Genesis26
1किछु दिन बाद ओहि देशमे बड़ भरिगर अकाल पड़ि गेल। अब्राहमके समयमे पड़ल अकाल स' फरक छल। तखन इसहाक पलिश्तीसबके राजा अबीमेलेकस' बतियाएलेल दक्षिण-पूर्वमे भेल नगर गरारमे गेलाह।2मुदा यहोवा ओकरालग प्रगट भ' कहलनि, “मिस्रमे नहि जाउ! हम कहैत छी जे एहि ठाम रहू!3एहि देशमे रहू, हम अहाँके मदति करब आ आशीष देब, किएक त' हम ई सारा भूमिसब अहाँके आ अहाँक वंशजके देब, आ हम अहाँक पिता अब्राहमस' जे प्रतिज्ञा कएने रही से पूरा करब।4 हम अहाँक वंशजके आकाशके तरेगन जकां संख्यामे बना देब। हम अहाँक वंशजके ईसब भूमि देब, आ अहाँक वंशजद्वारा धरतीपर सब जातिक समूहके आशीष देबै।5हम एना करब किएक त' अब्राहम हमर आज्ञा मानने रहथि। हम जे किछु करएलेल ओकरा कहने रहिऐ, आ हम जे किछु करएलेल ओकरा आदेश देने रहिऐ आ घोषणा कएलिऐ आ सबटा व्यवस्था पालन कएलनि।”6इसहाक अपन पत्नी आ बेटा सबसंगे गरारमे रहि गेलनि।7गरारमे लोकसब ओकर पत्नीके विषयमे पुछलनि, तखन इसहाक कहलनि, “ई हमर बहिन छथि।” ओ ई एहिलेल कहलनि जे, “ओ ई कहएमे डेराइत छलनि जे ई हमर पत्नी छथि”। ओ सोंचलनि, “रिबका बहुत सुन्दर अछि, तएं ओसब ओकरा पाबएलेल हमरा मारि देत।”8इसहाक बहुत दिन धरि ओतए रहलनि, एकदिन पलिश्तीसबके राजा अबीमेलेक अपन महलके खिड़की दने नीचा तकलनि आ ई देखि आश्चर्यचकित भ' गेलनि जे इसहाक अपन पत्नी रिबकासंग प्रेमालाप क' रहल अछि।9अबीमेलेक इसहाकके बजाक' कहलनि, “आब हमरा बुझागेल जे ओ अहाँक पत्नी छथि। तखन अहाँ किएक कहलिऐ जे ओ हमर बहिन छथि?” इसहाक ओकरा जबाब देलनि, “हम ई बात एहिलेल कहली जे हम सोंचली जे ओकरा पाबएलेल एत' केओ हमरा मारि देत।”10अबीमेलेक कहलनि, “अहाँके हमरासबके संग एहन नहि कएने रहिती! हमर केओगोटे अहाँके पत्नीके संग सुति सकैत छल, आ अहाँ हमरासबके बड़का पापके भागी बना दितहुं!”11तखन अबीमेलेक अपन सबगोटेके आज्ञा दैत कहलनि, “एहि आदमी आ एकर पत्नीके कोनो प्रकारक कोनो दुख नहि दिऔ! जे केओ एहन काज करए त' ओकरा मृत्युदण्ड अवश्य देल जाएत!”12इसहाक ओहि वर्ष ओहि देशमे अनाज बाओग कएलनि आ ओ बहुत फसल कटलनि, किएक त' यहोवा हुनका आशीष देने छलाह।13इसहाक बेसीस' बेसी सम्पत्ति प्राप्त करैत रहलनि, जाधरि ओ बहुत सम्पन्न नहि भ' गेलनि।14हुनकालग भेंड़-बकरी, आ मालजालक बड़का हेंड़ आ बहुत दास छलनि। ताहिस' पलिश्ती लोकसब हुनकास' ईर्ष्या करैत छल।15हुनकर पिता अब्राहमके नोकरसब जे इनार कोरने रहए, ताहिके पलिश्तीसब माटि ल क' भरि देने रहैक।16तखन अबीमेलेक इसहाकके कहलनि, “अहाँ हमरासबस' संख्यामे बेसी भ' गेल छी, तएं हम चाहैत छी जे अहाँ हमरासबके इलाकास' चलि जाउ।”17इसहाक आ ओकर परिवार ओतहिस' चलि गेलनि। ओसब जा क' गरार घाटीमे अपन डेरा लगाक' ओतहि बसि गेलनि।18ओहि इलाकामे कतेको इनार छल जे इसहाकके बाबु अब्राहमके जिबैत काल खनल गेल छल, मुदा अब्राहमके मृत्युके बाद पलिश्ती लोकसब ओहिमे माटि भरि देने रहए। मुदा इसहाक आ ओकर नोकरसब फेरुस' इनार सबके खनलक आ इसहाक इनार सबके ओहे नाम देलक जे ओकर बाबु ओकरासबके रखने छलथि।19इसहाकके नोकरसब ओहि घाटीमे खनलक आ एकटा टटका पानिक इनार भेटल।20मुदा गरार घाटीके चरबाहसब इसहाकके चरबाहसब संगे झगड़ा करैत छल। ओसब कहलकनि, “एहि इनारके पानि हमरासबके अछि!” तएं इसहाक एहि इनारक नाम एसेक रखलनि, जेकर अर्थ होइत अछि “विवाद” किएक त' ओसब एहि बातपर विवाद करैत छल जे ओकर मालिकके अछि।21तखन इसहाकके नोकरसब एकटा आओर इनार खनलक, मुदा ओसब एहि बातपर झगड़ा क' रहल छल जे ओ इनार केकर अछि। तएं इसहाक एकर नाम सित्ना रखलनि, जेकर अर्थ होइत अछि “विरोध”।22ओसब ओतएस' आगु बढ़िक' दोसर इनार खनलनि, मुदा एहिबेर केकरो एहि बातपर झगड़ा नहि भेल जे ई केकर अछि। तएं ओ एकर नाम रेहोबोत रखलनि, जेकर अर्थ होइत अछि “खाली जगह”, ई कहैत जे, “यहोवा हमरासबके रहबाक लेल एकटा खाली स्थान देने छथि, जे एहन स्थान जे आन लोकके नहि चाही, आ हमसब एत बहुत समृद्ध भ' जाएब।”23ओतहिस' इसहाक बेर्शेबामे चलि गेलनि।24पहिन राति जखन ओ ओतए छलनि तखन यहोवा हुनकालग प्रगट भ' कहलनि, “हम ओ परमेश्वर छी जिनकर आराधना अहाँक बाबु अब्राहम कएलथि। अहाँ कोनो बातस' नहि डेराउ। हम अहाँक मदति करब आ आशीष देब, आ हम अपन सेवक अब्राहमस' जे प्रतिज्ञा कएने रही, ताहि कारणे हम अहाँक वंशजके संख्यामे बहुत वृद्धि करब।”25इसहाक ओतए एकटा वेदी बनौलनि आ यहोवाके आराधना करबाक लेल बलि चढ़एलनि। ओतहि ओकरासब डेरा गिरौलक, आ ओकर नोकरसब इनार खनएलेल शुरु कएलक।26जखन ओसब इनार खनैत छलनि तखन राजा अबीमेलेक ओकर सल्लाहकार अहुज्जत आ हुनकर सेनापति पीकोल संगे गरार स' इसहाक लग आबि गेलनि।27इसहाक हुनकासबस' पुछलथि, “अहाँसब पहिने हमरा प्रति शत्रुतापूर्ण व्यवहार क' क' हमरा विदाह क' देने रही। तखन आब हमरालग किएक आएल छी?”28हुनकासबमेस' एकगोटे उत्तर देलथिन, “हमसब देखलहुं जे यहोवा अहाँके सहायता करैत छथि। तएं हमसब एक-दोसरके कहलिएनि, ‘हमरासबके आ इसहाकके बीच शपथ रखबाक चाही।’ तएं हमरासबके अहाँसबके संग एकटा शान्तिके करार करबाक चाही,29जाहिस' अहाँ हमरासबके कोनो नोक्सान नहि पहुंचाएब, ओहिना हमहूंसब अहाँके तंग नहि करब। हमसब सदिखन अहाँक संग नीक व्यवहार करैत छलहुं, आ अहाँके शान्तिपूर्वक विदाह क' देली। आब यहोवा अहाँके आशीष द' रहल छथि।”30इसहाक ओकरासबहक लेल भोज कएलनि आ ओसब खान-पान कएलक।31दोसर दिन भोरे-पराते सब एक-दोसरके लेल किरिया खएलक जे पूरा करब से ओसब प्रतिज्ञा कएने छल। तखन इसहाक ओकरासबके शान्तिपूर्वक घर पठा देलनि।32ओहि दिन इसहाकके नोकरसब हुनकालग आबिक' हुनका ओहि इनारक विषयमे कहलनि जे ओसब खननाइ समाप्त कएने रहए। ओसब कहलक, “हमरासबके इनारमे पानि भेटल!”33इसहाक इनारक नाम शिबा रखलनि, जे इब्रानी शब्द जकां लगैत अछि जेकर अर्थ होइत अछि “शपथ”। वर्तमान समय धरि ओहि शहरके नाम बेर्शेबा छै जेकर माने छै “शान्ति संधि कुआँ”34एसाव चालीस वर्षके भेल त' ओ बेरीके बेटी यहूदीत आ एलोनक बेटी बासमत स' विवाह कएलनि। ओ दुनू स्त्री हित्तीक वंशज छलीह।35एसावके दुनू पत्नी इसहाक आ रिबकाके जीवनके दुखित बना देलक।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.