Genesis28

1तखन इसहाक याकूबके बजाक' हुनका आशीष देलथिन। ओ ओकरा ई कहलथि, “कनानी स्त्रीसबमेस' विवाह नहि करु।2बरु अखिने पद्दनराम, अपन नाना बतूएलके घर जाउ। अपन मामा लाबानके कोनो एकटा बेटीस' अपन विवाह करबाक लेल कहबनि।3हम प्रार्थना करब जे सर्वशक्तिमान परमेश्वर अहाँके आशीष देथिन आ अहाँस' बहुते वंशजके उत्पन्न करएमे सक्षम बनाबथि, जाहिस' ओसब आन लोकसबके समूह बनि जाए।4हम इहो प्रार्थना करब जे अहाँ आ अहाँके वंशजके आशीष देथि, जाहि देशमे अहाँ एखन परदेशी बनिक' रहि रहल छी एहि देशके अपन अधिकारमे राखि सकैत छी, जे परमेश्वर अब्राहम आ हुनकर वंशजके देबाक प्रतिज्ञा कएने छलथि।”5तखन इसहाक याकूबके पद्दनराममे पठौलथि जे ओ याकूब आ एसावके माय रिबकाके भाय अरामी लाबान बतूएलक बेटा संगे रहैक।6एसावके बुझए' मे आएल जे ओकर बाबु इसहाक याकूबके आशीष देलथिन आ तब ओकरा पद्दनराममे पठा देलकनि। हुनका इहो ज्ञात भेलनि जे जखन हुनकर बाबु याकूबके आशीष देलथिन त' ओ ओकरा कहलथि, “कनानी कोनो लड़कीस' विवाह नहि करु”7आ याकूब अपन बाबु आ मायके आज्ञा मानैत पद्दनराम चलि गेलनि।8एसावके इहो बुझागेल जे ओकर बाबु इसहाक कनानी स्त्रीके पसीन नहि करैत अछि।9एहिस' एसाव अपन परिजन इश्माएलके देखएलेल गेल आ इश्माएलक बेटी महलत स' विवाह कएलक। महलथ नबयोतक बहिन आ अब्राहमके पोती छलीह।10एहि बीच याकूब बेर्शेबा छोड़ि हारान दिस जाए लागल।11एकठाम पहुंचला पर ओतहि ठहरि गेल किएक त' सांझ पड़ि गेल छल। ओतए ओ एकटा पत्थल ल' क' आ सिरमा जकां माथतर राखि लेलक। तखन ओ ओतहि ओंघड़िक' सुति रहल।12जखन ओ सुतल छल तखन ओ एकटा सपना देखलक जे एकटा सिरही अछि आ ओहि सिरहीके जैर नीचा धरतीपर आ फुंजी उपर आकाशमे छै। याकूब इहो देखलनि जे परमेश्वरक स्वर्गदूतसब सिढ़ही दने चढ़ि उतरि रहल छथि।13तखन ओ यहोवाके सिरहीक उपरमे ठाढ़ भेल देखलनि आ ओ कहैत छलथि, “हम यहोवा परमेश्वर छी, जिनकर आराधना अहाँक बाबा अब्राहम करैत छलथि आ जिनकर इसहाक आराधना करैत छथि। हम अहाँ आ अहाँक वंशजके ओ जमीन देब जाहिपर अहाँ सुतल छी।14अहाँक वंशज जे पृथ्वीपर गरदा अछि, ताहिस' बेसी होएत आ ओकर क्षेत्र बहुत विशाल होएत। ईसब दिशामे, पूर्व आ पश्चिम, उत्तर आ दक्षिण दिस विस्तारित होएत। हम अहाँ आ अहाँक वंशजद्वारा पृथ्वीपर सबकुल आ लोकक समूहके आशीष देब।15 अहाँ जत' जाएब, हम अहाँक मदति करब आ रक्षा करब, आ हम अहाँके एहि देशमे घुराक लाएब। हम अहाँके नहि छोड़ब; हम जे किछु करबाक प्रतिज्ञा कएने छी से अहाँसबहक लेल करब।”16रातिमे जखन याकूब सुतिक' उठल तखन ओ सोंचलनि जे, “सत्ते यहोवा एहि ठाम छथि, आ एखन धरि हमरा एहि बातक जानकारी नहि छल!”17ओ डेराक' कहलनि, “ई स्थान भयावह अछि! ई निश्चितरुपस' परमेश्वरक निवास स्थान अछि, आ ई स्वर्गके प्रवेशद्वार अछि!”18दोसर दिन भोरे याकूब उठिक' अपन माथके नीचा राखल पत्थल ल' क' ओकरा छोर पर राखि देलनि जाहि ठाम परमेश्वर हुनका प्रगट भेल छलथि। ओ पत्थलक उपर कनिक जैतूनक तेल ढारि देलनि जाहिस' ओकरा परमेश्वरक लेल अलग राखल जा' सकए।19ओ ओहि ठामके नाम बेतेल रखलनि, जेकर अर्थ होइत अछि “परमेश्वरके घर”। पहिने एहि शहरके असली नाम लूज छल।20याकूब परमेश्वरके गम्भीरतास' वचन दैत कहलनि, “जं अहाँ हमरा एहि यात्रामे चलैत काल हमरा सहायता करब आ हमरा रक्षा करब, आ जं अहाँ हमरा खाएलेल पर्याप्त भोजन आ पहिरलेल कपड़ा देब,21हम बादमे सुरक्षित अपन बाबूक घर घुरिक' आबि सकी, त' अहाँ, यहोवा, ओ परमेश्वर जिनकर आराधना हम करब।22हम, परमेश्वर जाहि पत्थलके ठाढ़ कएने छी से ओहि ठामके चिन्हित करत जत' अहाँ हमरालग प्रगट भेलहुं। आ अहाँ जे किछु हमरा देब ओकर दसम भाग हम अहाँके देब।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67