Deuteronomy8
1मूसा इजराएलीसब संगे आओर बजलनि जे हमराद्वारा देल गेलसब आज्ञा अहाँसब होशियारीके साथ पालन करु, जाहिस' अहाँसब जीबि सकब आ आगु बढ़ब, आ कनान देशमे जा क' ओहि देशके उत्तराधिकारी बनब जे यहोवा अहाँसबके' पूर्वजसबके शपथ देने छलथि।2अहाँसब ओहि सब बाटके मोन करु जे अहाँसबके' यहोवा अहाँसबके एहि चालीस वर्ष धरि उजाड स्थानमे चअलोने छथि, जाहिस' ओ अहाँसबके नम्र बना सकथि, जाहिस' ओ अहाँसबके जानि सकथि जे अहाँसबमे हुनकर आज्ञा मानबाक हृदय अछि की नहि।3ओ अहाँसबके नम्र बनएलनि, भूखे रखलनि, आ अहाँसबके मन्ना खुअओलनि, जे अहाँसबमेस' केओ आ जेकरा अहाँसबके पूर्वजसब सेहो नहि जनैत छलनि। ओ ई काज एहिलेल कएलनि जे अहाँसब ई बुझि सकी जे मनुष्य केवल रोटीस' नहि मुदा, यहोवाके मुंहस' निकलए बाला हरेक वचनके द्वारा जिअए छए। 4ओहि चालीस वर्षमे अहाँके वस्त्र नहि फाटल आ पयर नहि फूलल।5अहाँ अपन मोनमे विचार करु जे कोना मनुष्य अपन बेटाके अनुशासित करैत अछि, तहिना यहोवा अहाँके परमेश्वर अहाँके अनुशासित करैत छथि। 6अहाँसब यहोवा अपन परमेश्वरक आज्ञाक पालन करब जाहिस' अहाँसब हुनकर बाटपर चलब आ हुनकर आदर करब।7किएकत' यहोवा अहाँसबहक परमेश्वर अहाँसबके नीक देशमे ल' जा' रहल छथि जे पानिक नदी, फव्वाराआ झरनाक देश अछि, जे उपत्यका आ पहाड़ सबहक बीच बहैत अछि।8ओ देश गहूम, जौ, अंगूर, अंजीर, अनारक गाछक देश अछि। जैतूनके तेल आ मधुस' भरल देश अछि।9ई एहन देश अछि जत' अहाँसब रोटीके' अभाव कहियो नहि होएत आ अहाँसबके किछु घटी कमी नहि रहत। एहन देश जेकर पत्थल लोहाके अछि आ जेकर पहाड़स' अहाँसब तामा निकालि सकैत छी।10अहाँसब भरि पेट भोजन करब, आ अहाँसब यहोवा अपन परमेश्वरके ओहि नीक देशके लेल प्रशंसा करब।11सावधान रहुं! जे अहाँसब यहोवा अपन परमेश्वरके नहि बिसरब, हुनकर आज्ञासब आ विधिविधानसबके उलंघन नहि करब जे हम आइ अहाँसबके आज्ञा द' रहल छी।12नहि त' जखन अहाँसब पेट भरि भोजन क' क' तृप्त भ' जाएब आ नीक घर बनाक' ओहिमे रहब तखन अहाँके बिसरि जाएब।13सावधान रहुं! जखन अहाँके भेंड़ा आ भेंड़ाके हेंड़ बढ़ि जाएत आ जखन अहाँके चानी आ सोना आ अहाँसबहक सब किछु प्रशस्त भ' जाएत,14तखन अहाँसब अहंकारी भ' क' अहाँ यहोवा अपन परमेश्वरके बिसरि जाइत छी, जे अहाँसबके दासत्वके देश मिश्र देशस' बाहर अनने छलथि।15जे अहाँसबके ओहि विशाल आ भयानक उजाड स्थानक बीचमेस' ल' गेल छल, जत' बिषधर सांप आ बिच्छ आ निर्जल जमीन छल, जे अहाँसबके चकमक पत्थलक चट्टानस' पानि निकालने छल। 16ओ अहाँसबके उजाड स्थानमे मन्ना खुअओलनि जे अहाँके पूर्वजसब नहि जनैत छलनि, जाहिस' ओ अहाँसबके नम्र बना सकैत छथि आ अहाँसबहक जांच करथि आ अन्तमे अहाँके भलाइ होए,17मुदा अहाँसब अपन मोनमे सोंचि सकैत छी, “हमर हाथके शक्ति आ बलस' ईसब धनसम्पती कमओने छी।”18मुदा अहाँसब यहोवा अपन परमेश्वरके मोन करु, किएकत' ओएह अहाँसबके धन-दौलत प्राप्त करबाक शक्ति दैत छथि। जाहिस' ओ अहाँसबहक पूर्वजसबके जे शपथ कएने छलाह, से अपन करार स्थिर करैत छथि, जेना आइधरि अछि।19जं अहाँ यहोवा अपन परमेश्वरके बिसरिक' दोसर जातिके देवतासबके पाछु चलब, ओकर आराधना करब आ ओकर आदर करब त' हम आइ अहाँसबके चेतावनी दैत छी जे अहाँसब अवश्य नाश भ' जाएब।20यहोवाक अहाँसब परमेश्वरक' वचन नहि मानब त' जहिना यहोवा अहाँसबहक सामने जे आन जातिसबके नाश कएने छथि, तहिना अहाँसबके' नाश करथिन।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.