Deuteronomy7
1मूसा इजराएलीसबके आओर कहलनि, जखन अहाँसब अधिकार करए लेल जा' रहल देशमे यहोवा अहाँसबके' परमेश्वर अहाँसबके ओहि देशमे अनतनि, तखन अहाँसबस' बहुत बेसी आ शक्तिशाली सात जाति हित्ती, गिर्गाशी, एमोरी, कनानी, परिज्जी, हिब्बी आ यबूसीसबके अहाँसबहक' सामनेस' ओ भगा देतनि। 2ई यहोवा अहाँसबहक' परमेश्वर छथि, जखन ओ ओकरासबके अहाँसबहक' बसमे क' देत आ अहाँसब ओकरासबके युद्धमे हरा देब तखन अहाँसब ओकरासबके पूर्णरुपस' नाश क' देब। अहाँसब ओकरासबस' कोनो प्रकारक' सहमती नहि करब आ नहि ओकरासबपर कोनो दया देखाएब।3आ नहि ओकरासबहक' संग अहाँसब विवाह करब। अहाँसब अपन बेटीके विवाह ओकरासबहक बेटाके संग नहि करब, आ अहाँसब अपन बेटाके लेल ओकरासबहक बेटी विवाह क' क' नहि लाएब।4किएक त' ओसब अहाँसबके' बेटासबके बहकाए क' हमरा छोड़ि दोसर देवता सबहक' पूजा आराधना करए लगाएत। जाहिस' यहोवाक' क्रोध अहाँसबपर पडत आ ओ अहाँसबके तत्काले नाश क' देतनि।5अहाँसब ओकरासबहक' संग एहि तरहे व्यवहार करब, ओकरासबहक वेदीसब तोड़ि देब, ओकरासबहक पत्थलके खम्हासबके टुक्रा-टुक्रा क' देब, ओकरासबहक' अशेरा देवीके' खम्हासबके काटि गिरा देब आ ओकरासबके मूर्तिसबके आगिमे जरादेब।6अहाँसब यहोवा अहाँसबके' परमेश्वरक' लेल अलग कएल गेल एकटा पवित्र जाति छी। ओ अहाँसबके पृथ्वीपर रहि रहल आन आदमी सबमेस' अपन निज सम्पत्ति होबएलेल अलग कएने छथि।7अहाँसब गन्तीमे दोसर जातिस' बेसी भेलाक कारण यहोवा अहाँसबके प्रेम कएलनि वा चुनलनि से नहि, किएक त' अहाँसब त' गन्तीमे सब आदमीसबस' कम छलहुं।8मुदा यहोवा अहाँसबके प्रेम कएलाक कारण आ अहाँसबके पूर्वजसबस' कएने प्रतिज्ञा पूरा करए लेल यहोवा अहाँसबके अपन पराक्रमी बांहिस बाहर निकालिक' मिस्रके राजा फारोके हाथस दासत्वके देशस' छुटकारा देलनि।9एहिस' ई जानि लिअ जे यहोवा अहाँसबके परमेश्वर मात्रे एकटा परमेश्वर छथि, विश्वासयोग्य परमेश्वर छथि। हुनकास' प्रेम करएबला आ हुनकर आज्ञा सबहक' पालन करएबला सबहक' हजार पिढ़ी धरि अपन प्रेमक' करार पूरा करैत छथि आ विश्वासक' सुरक्षित रखैत छथि।10मुदा हुनका तिरस्कार करएबलाके ओ अवश्य नाश करथिन। जे हुनकास' घृणा करत ओकरास' बदला लेबएलेल ओ बिलम्ब नहि करथिन।11एहिस' आइ हमराद्वारा देल गेल आज्ञासब, विधि आ विधानसब सावधानीपूर्वक पालन करब।12यदि अहाँसब एहि विधिविधानसबके सुनिक' पालन करब त' यहोवा अहाँसबके' परमेश्वर अहाँसबके' संग कएने प्रेमके करार पूरा करथिन जे करार ओ अहाँसबके' पूर्वजसब संग प्रतिज्ञा कएने रहथिन।13ओ अहाँसबस' प्रेम करथिन, अहाँसबके आशीष देथिन, आ अहाँसबके वृद्धि करओथिन। ओ अहाँसबके' देब कहिक' अहाँसबके' पूर्वजसबस' प्रतिज्ञा कएने देशमे अहाँसबके' सन्तानसब आ अहाँसबके' खेतक' फसलसब, अहाँसबके' अनाजमे, नवका दाखमधमे आ तेलमे, मालजालमे आ हेंड़के भेंड़ाके' बच्चासबमे सेहो आशीष देथिन।14अहाँसब दोसर आदमीसबस' बेसी आशीर्वादी होएब। अहाँसबके बीचमे केओ पुरुष आ स्त्री नि:सन्तान नहि रहब आ अहाँसबके मालजालमे कोनो मादा नट्ठा नहि रहत।15यहोवा अहाँसबके रोग बेमारीस' छुटकारा देथिन। मिस्र देशमे देखल भयानक रोगसब अहाँसबपर नहि लाओत मुदा अहाँसबके' तिरस्कार करएबलासबपर लाओत।16यहोवा अहाँसबके' परमेश्वर अहाँसबके जे जातिसबके अहाँसबके देथिन ओकरासबके नाश क' देब, आ ओकरासबपर दया नहि करब। अहाँसब ओकरासबहक' देवता सबहक' पूजा आराधना नहि करब, किएक त' इएह अहाँसबके' लेल फसाबएबला जाल बनि जाएत।17यदि ई जाति हमरास' बहुत बेसी अछि, हम कोना ओकरासबके बेदखल क' सकब से अहाँसब अपन मनमे कहब।,18ओकरासबस' भयभीत नहि होउ। यहोवा अहाँसबके परमेश्वर फेरु आ समस्त मिस्रवासीके आ राजाके जे कएने छलथिन से स्मरण करु।19पैघ-पैघ कष्टसब, आश्चर्य चेन्हसब, आश्चर्यक' काजसब, पराक्रमी हाथ आ पसरल बांहि प्रयोग क' क' यहोवा अहाँसबके' परमेश्वर अहाँसबके बाहर निकाललनि से ओतए' अहाँसब स्वयं देखने रही। यहोवा अहाँसबके' परमेश्वर एखन अहाँसब जेकरास' डराएत ओहि जाइ सबहक' संग सेहो एहने करथिन।20एतबे नहि, यहोवा अहाँसबके परमेश्वर जा' धरि ओसब बचल अछि आ अहाँसब से नुकाएल सब नाश नहि भ' जाएत, ओकरासबहक बीचमे भिलोर पठौतनि। 21अहाँसब ओहि लोकसबके समूहसबस' भयभीत नहि होएब, किएक त' यहोवा अहाँसबके परमेश्वर अहाँसबके बीचमे छथि, ओ महान आ भययोग्य परमेश्वर छथि।22यहोवा अहाँसबके परमेश्वर ओहि जातिसबके धीरे-धीरे अहाँसबके आगुस' भगओतनि। एके बेरमे ओकरासबके अहाँसब नाशकरए नहि पाएब, नहि त' अहाँसबके' आसपास जंगली जानवरसब बहुत बेसी भ' जाएत। 23मुदा यहोवा अहाँसबके परमेश्वर ओकरासबपर अहाँसबके विजय बनाओत। ओसब खतम नहि होए धरि ओकरासबहक' बीचमे बहुत गोलमाल क' देथिन।24ओ ओकरासबहक राजासबके अहाँसबके अधिकारमे द' देथिन आ अहाँसब ओकरासबहक नाम आकाशके नीचांस' नाश क' देब। अहाँसबके आगु केओ ठाढ़ नहि भ' सकए, अहाँसब ओकरासबके नाश क' देब।25अहाँसब ओकरासबहक देवता सबहक मूर्तिसब आगिमे जरादेब। ओकरासबके झांपल चानी वा सोनाके लोभ नहि करब आ अपनालेल नहि लेब, जं एना करब त' अहाँसबके लेल ई फन्दा होएत। किएक त' यहोवा अहाँसबके परमेश्वरक लेल ई घृणित काज अछि।26अहाँसब अपन घरमे अन्य जाति जकां कोनो घृणित वस्तु आनि ओकर पूजा आराधना करए नहि लागब। अहाँसब ओहिके तिरस्कार आ घृणा करब, किएक त' ई विनाशक' लेल अलग कएल गेल अछि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.