Deuteronomy9
1मूसा इजराएलीसबके आओर कहलनि, “हे इजराएलीसब सुनू। अहाँसब आइ यरदन नदीपार अपनास' पैघ तथा शक्तिशाली जातिसब आ आकाश धरि पैघ देवालबला शहरसबके बेदखल करए जा' रहल छी।2ओतए' बड़का-बड़का आ नमगर पोरगर आदमी अनाकीक सन्तानसब रहैत अछि, जेकरा अहाँसब जनैत छी। अनाकीक सन्तानसबके आगुके ठाढ़ भ' सकैत अछि? से कहावत अहाँसब सुनने छी। 3आइ ई निश्चय जानि लिअ जे, भस्म करएबला आगि जकां अहाँसबहक आगु-आगु ओहिपार जाएबाला यहोवा अहाँसबहक परमेश्वरे छथि। ओ ओकरासबके नाश क' देताह, आ ओकरासबके अहाँसबके वशमे क' देथिन। जेना यहोवा अहाँसबहक परमेश्वर अहाँसबहक आज्ञा कएने छथि, अहाँसब ओकरासबके भगा देब आ ओकरासबके जल्दिए नाश क' देब। 4यहोवा अहाँसबहक परमेश्वर ओकरासबके अहाँसबहक सोझा स' बाहर निकालि देलाके बाद अहाँसबके अपन मोनमे ई नहि कहब, ‘हमरासबहक धार्मिकताक कारणे यहोवा हमरासबहक एहि देश अधिकार करएलेल एत' अनने छथि।’ मुदा ईसब ओकरासबके दुष्टताक कारणे यहोवा ओहि जातिसबके अहाँसबहक सोझा स' भगा रहल छथि। 5अहाँसबहक धार्मिकता वा हृदयके इमानदारिताक कारणे अहाँसब ओकरासबहक भूमिपर कब्जा करए लेल जा रहल छी से नहि। मुदा एहि जाति सबहक दुष्टताक कारणे अहाँसबहक परमेश्वर, यहोवा ओकरासबके अहाँसबके सोझा स' भगा रहल छथि। जाहिस जे वचन ओ अहाँसबके पूर्वज, अब्राहम, इसहाक आ याकूबके साथ कएने प्रतिज्ञाक वचन पूरा होथि।6एहिलेल ई जानि लिअ जे यहोवा अहाँसबहक परमेश्वर अहाँसबहक धार्मिकताक' कारणे ई नीक भूमि अहाँसबके अपन अधिकारमे नहि दबए जा' रहल छथि, किएकत' अहाँसब अनाज्ञाकारी हठी मनुष्य छी।7स्मरण करु आ नहि बिसरु जे अहाँसब कोना यहोवा अपन परमेश्वरके उजाड स्थानमे क्रोधित कएने छलीह। जहियास' अहाँसब मिस्र देश छोड़िक' एहि ठाम नहि पहुंचली, ता' धरि अहाँसब यहोवाक विद्रोह करैत छी। 8होरेबमे सेहो अहाँसब यहोवाक क्रोधित कएली आ अहाँसबके पूर्णरुपस' नाश करएलेल यहोवा क्रोधित भेल छलाह।9जखन हम यहोवा अहाँसबहक संग कएने करारक शिलापाटी लेबएलेल पहाड़पर चढ़ल छलीह। ओतए' हम चालीस दिन आ चालीस राति धरि रहली। नहि हम रोटी खएलहुं आ नहि हम पानि पिलहुं।10परमेश्वर हमरा अपन आंगुरस' लिखल दूटा शिलापाटी देलनि। ओहिपर सबकिछु ओहिना लिखल छल। पहाड़पर आगिके बीचमेस' सभाके दिनमे यहोवा अहाँसबके घोषणा कएल सब आज्ञासब ओहिमे छल। 11ओहि चालीस दिन चालीस रातिके अन्तमे यहोवा हमरा करारक' दूटा शिलापाटी देलथिन।12यहोवा हमरा कहलथिन, ‘उठिक' एतस' जल्दी नीचा जाउ किएक त' अहाँ मिस्रस' निकालिक' लाओल गेल अहाँके आदमीसब अपनाके भ्रष्ट क' क' दुष्टकाज कएने अछि। हम ओकरासबके जे आज्ञा देने रही ओहि मार्गस' ओसब बहुत जल्दिए मुहं मोड़ि लेलक। ओसब अपनालेल ढालिक' एकटा मूर्ति बनौने अछि।’13संगहि, यहोवा हमरास' आओर कहलथिन, ‘हम एहि मनुष्यसबके देखलहुं। ओसब हठी मनुष्य अछि।14हमरा एसगरे छोड़ि दिअ, जाहिस' हम ओकरासबके नाश क' क' स्वर्गके नीचांस' ओकरासबके नाम मेटा देब, आ अहाँस' ओकरासबस' बेसी शक्तिशाली आ पैघ जाति बनाएब।’15तएं हम पहाड़स' नीचा उतरलहुं, आ पहाड़ आगिस' जड़ि रहल छल। करारक दूटा पाटी हमरा हाथमे छल।16हम देखलहुं जे अहाँसब यहोवा अपन परमेश्वरक विरुद्ध पाप कएलहुं। अहाँसब अपनालेल एकटा बछड़ा ढालने रही। अहाँसब जल्दिए परमेश्वरके आज्ञाक मार्गस' मुंह मोड़िलेने छलहुं।17हम दुनू पाटी ल' क' हाथस' फेक देलिऐ। अहाँसबहक आंखिक आगु तोड़ि देलहुं।18हम फेरु चालीस दिन चालीस राति धरि यहोवाक समक्ष मुंहके बल खसल रहलहुं। हम भोजन नहि कएलहुं आ नहि पानि पिबलहुं। कारण जे यहोवाक नजरिमे कुकर्म क' क' अहाँसब अपन सब पापक' कारणे हुनका क्रोधित बनएलहुं।19यहोवाक ओहि क्रोध आ पैघ रुसि स' हमरा डर लागल, कारण अहाँसबहक नाश करए जकां ओ अहाँसबपर क्रोधित छलाह। मुदा एहिबेर सेहो यहोवा हमर बात सुनलनि। 20यहोवा हारून पर बहुत क्रोधित भ' गेलथि जे ओकरा नाश करी। हम ओहि समयमे हारूनके' लेल सेहो प्रार्थना कएलहुं।21हम अहाँसबहक पापक बस्तु, अहाँसबके द्वारा बनाओल गेल ओ बछड़ा ल' क' ओकरा जरा देलिऐ, ओकरा चकनाचुर क' क' गरदा जकां पीसि लेलियै। हम ओहि गरदाके पहाड़स' नीचा बहैत नदीमे फेक देलिऐ।22तबेरा, मस्सा आ किब्रोतहत्तावामे अहाँसब यहोवाके क्रोधित कहलहुं। 23जखन यहोवा अहाँसबके कादेशबर्नेस' ई कहिक' पठौलनि जे, ‘जा' क' हम जे देश अहाँसबके देने छी, ओतए' जाक' अधिकार करु’ तखन अहाँसब यहोवा अपन परमेश्वरक आज्ञाक विरोध कएलहुं आ नहि हुनकर आवाज सुनलहुं आ नहि हुनकापर विश्वास कएलहुं। 24हम जहियास' अहाँसबके चिन्हित छी , तहियास' अहाँसब यहोवाक विरोध करैत छी।25तएं हम चालीस दिन आ चालीस राति यहोवाक समक्ष मुंह कएने रहि गेलहुं, किएक त' ओ कहने छलाह जे ओ अहाँसबके नाश क' देथिन।26हम यहोवास' एनाक' प्रार्थना करैत कहलिएनि ‘हे यहोवा परमेश्वर, अहाँ अपन लोक आ अपन उत्तराधिकारके नाश नहि करियौ जेकरा अहाँ अपन महानताक कारणे छोड़ा देने छी, जेकरा अहाँ अपन पराक्रमी हाथस' मिस्रस' निकालने छी।27अपन दाससब अब्राहम, इसहाक आ याकूबके स्मरण कएल जाओ। एकरा सबहक जिद्द, दुष्टता, आ पाप दिस नहि देखिऔ।28नहि त' जाहि देशस' अहाँ हमरासबके अनने छी, मिश्र देशके ओ लोकसब कहत जे, “यहोवा ओकरासबके प्रतिज्ञाक' देशमे नहि आनि सकलाह, आ ओकरासबस' घृणा करैत छलाह, तएं ओ ओकरासबके उजाड स्थानमे मारबाक लेल ल' गेल छथि।” हम एनाक प्रार्थना कएली।29तइयो ओसब अहाँके प्रजा आ अहाँके उत्तराधिकार अछि जेकरा अहाँ अपन पैघ शक्तिस' आ अपन शक्तिक प्रदर्शनके द्वारा मिस्रस' बाहर निकालि अनलहुं।’” हम एनाक प्रार्थना कएली।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.