1 थिसलुनिका4

1अन्तत, भाइसब, हमसब प्रभु यीशुस' अहाँसबके आग्रह करैत छी आ बुझबैत छी जे जेना अहाँसबके एहि विषयमे हमरासबस' शिक्षा भेटल अछि, अहाँसबहक लेल कतेक आवश्यक अछि जे अहाँसब योग्य रुपस' जीवन व्यतीत करब आ परमेश्वरके प्रसन्न करी जेना अहाँसब चलितो छी, जाहिस' अहाँसब आओर बेसी बढ़ैत जाएब से विनती करैत छी।2अहाँसब जनैत छी जे हमसब प्रभु यीशुद्वारा अहाँसबके कोन-कोन आज्ञा देलहुं।3अहाँसबहक पवित्रताक लेल परमेश्वरक इच्छा छन्हि जे अहाँसबके यौन-अनैतिकतास' दूर राखि।4जे अहाँसब गोटेके ई बुझल होअए जे पवित्रता आ आदरक संग ओ अपन पात्रके अधिकारी छथि,5कामवासनाके ललसामे नहि रहू जेना परमेश्वरके नहि चिन्हएबला आन लोकसब रहैत अछि।6एहन काज करएबलाके विषयमे जे केओ अपन भाइके उल्लंघन आ शोषण नहि करए, किएकत' प्रभु एहि सब बातक बदला लेबएबला छथि, जेना हमसब पहिने अहाँसबके चेतावनी आ गवाही देने रही। 7कारण परमेश्वर हमरासबके अशुद्धताक लेल नहि, पवित्रताक लेल बजौने छथि।8तएं जे व्यक्ति एहिके अस्वीकार करैत अछि, से मनुष्यके नहि, बल्कि परमेश्वरके अस्वीकार करैत अछि जे अहाँसबके अपन पवित्र आत्मा दैत अछि।9मुदा हमरासबके अहाँसबहक भाइ-बहिनके प्रेमक विषयमे लिखबाक कोनो आवश्यकता नहि अछि, किएकत' अहाँसब एक-दोसरस' भातृ-स्नेह करबाक लेल परमेश्वरद्वारा सिखाओल गेल अछि। 10कारण, अहाँसब मकिदुनिया प्रान्तमे रहनिहारसब भाइसबके संग ई काज करैत छी। मुदा, भाइसब, हम अहाँसबके आग्रह करैत छी जे ई काज आओर बेसी करु11आ शान्तिस' जीवन व्यतीत करबाक आ अपन काज करबाक आ अपन हाथस' काज करबाक प्रयास करु, जेना हम अहाँके आज्ञा देने रही।12जाहिस' अविश्वासीके सामने ठीकस' व्यवहार करु आओर कोनो वस्तुक जरुरति नहि पड़ए।13आब भाइसब, हमसब नहि चाहैत छी जे अहाँसब सुतल लोकसबके आशाके विषयमे अनभिज्ञ रहू, जाहिस' अहाँसब आन लोक जकां शोक नहि करु जिनका कोनो परमेश्वरसंगे रहबाक कोनो आशा नहि छनि।14कारण जं हमसब ई विश्वास करैत छी जे यीशु मरि गेलाह आ जीवित भ' उठलाह, तखन परमेश्वर हुनकासबके सेहो ओकरासंगे अनताह जे यीशुमे विश्वास कएने मरि गेल अछि।15हमसब प्रभुक वचनद्वारा अहाँसबके कहैत छी जे हमसब जे जीवित छी आ प्रभुक आगमन धरि पाछु रहि गेल छी, ओसब जे सब जे मरि गेल अछि, तेकरा सबहक आगु नहि जाएब।16किएकत', प्रभु स्वयं स्वर्गस', प्रधान स्वर्गदूत आ परमेश्वरक बिगुलक आवाजमे उतरताह आ जे मसीहमे मरि गेल छथि, ओसब पहिने जीवित भ' उठताह।17तेकरबाद, हमसब जे जीवित छी, जे पाछु रहि गेल छी, मेघपर चढ़ाएल जाएब, जाहिस हवामे प्रभुस' भेट सकी, आ एहि तरहें हमसब सदिखन प्रभुक संग रहब।18तएं एहि बातसबस' एक-दोसरके सान्त्वना दिऔ।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67