1 थिसलुनिका3
1अन्तमे, जखन ई बात आब सहन नहि भ' सकल तखन हमरा लोकनि एथेन्स शहरमे एसगरे छोड़ि देब नीक बुझलहुं,2हमसब मसीहक सुसमाचारमे सहकर्मी भाइ आ परमेश्वरक सेवक तिमुथियुसके पठएलहुं जे अहाँसबहक विश्वासके अहाँसबके दृढ़ करैत सान्त्वना देथि।3जे एहि क्लेश सबस' केओ घबड़ा नहि जाए। किएकत' अहाँसब स्वयं जनैत छी जे हमरासबके ई काज करबाक लेल नियुक्त कएल गेल अछि।4किएकत' हमसब जखन अहाँसबहक संग छलहुं तखनो हमसब अहाँसबके कहि रहल छलहुं जे हमरासबके कष्ट भोगए पड़त, आ सएह भेल, जेना अहाँसब जनैत छी।5एहि कारणे हम आब ई बात नहि सहलहुं आ अहाँसबहक विश्वासक विषयमे पुछताछ करबाक लेल पठएलहुं, जाहिस' परीक्षक अहाँसबहक परीक्षा नहि लेत आ हमरासबहक परिश्रम व्यर्थ नहि भ' जाए।6मुदा एखनहि तिमुथियुस अहाँके दिसस' हमरासब लग आबि गेल छथि, आ अहाँके विश्वास आ प्रेमक सुसमाचार हमरासबके अनलनि, आ अहाँके हमरासबहक प्रति सदिखन नीकस' स्मरण रहैत अछि, जेना अहाँके देखबाक लेल हमरासबके ललसा लागल अछि, तहिना अहूंके ओहिना देखबाक लेल ललसा लागल होएत।7तएं भाइसब, अहाँसबहक विश्वासक कारणे अहाँसबद्वारा हमरासबके उत्साह भेटैत अछि।8जं अहाँसब प्रभु प्रति दृढ़तापूर्वक ठाढ़ छी त' आब हमसब जीवित छी।9हमसब अपना परमेश्वरक समक्ष अहाँसबहक कारणे जे आनन्दित छी, ताहिके लेल परमेश्वरक धन्यवाद द' सकैत छी,10आ राति-दिन हमसब इमानदारीस' परमेश्वरसंगे प्रार्थना करैत छी, अहाँके चेहरा देखबाक लेल आ अहाँके विश्वासमे जे कमी अछि से उपलब्ध कराबए' लेल?11मुदा हमरासबहक परमेश्वर आ पिता आ हमर प्रभु यीशु हमरासबहक रस्ता अहाँसबलग आबएके मार्गदर्शन करथि।12आब प्रभु अहाँसबके बढ़बथि आ अहाँसब एक-दोसर आ सबहक प्रति प्रेम बढ़ए, जेना हमसब अहाँसबहक लेल सेहो करैत छी।13अहाँसबहक हृदयके मजगूत करबाक लेल, हमरासबहक परमेश्वर आ पिताक समक्ष पवित्रतामे निर्दोष पाओल जएबाक लेल, जखन हमर प्रभु यीशु अपन सब पवित्र लोकसबके संग फेरुस' अओतथि। आमीन!
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.