1 थिसलुनिका5

1आब भाइसब, जहिया ईसब होएत ताहि समय आ अवसरके विषयमे हमरासबके लिखबाक कोनो आवश्यकता नहि अछि।2किएकत' अहाँसब नीक जकां जनैत छी जे प्रभुके दिन एहि तरहें अबैत अछि, अनपेक्षित होएत जेना रातिमे कोनो चोर अबैत अछि।3जखन लोकसब कहताह, “शान्ति आ सुरक्षा” तखन अचानक विनाश हुनकासबपर गर्भवती महिलाके प्रसव-पीड़ा जकां आबि जाएत आ ओसब निश्चितरुपस' नहि बंचि सकैत छथि। 4मुदा, भाइसब, अहाँसब अन्हारमे नहि छी जे चोर जकां चलैत रही ओ प्रभुके दिन अहाँसबपर चलि आबए।5किएकत' अहाँसब इजोतक पुत्र आ दिनक पुत्र छी। हमसब ने राति छी आ ने अन्हार;6तएं एहिलेल, हमरासबके आन लोक जकां नहि सुतबाक चाही, बल्कि जागल आ सतर्क रहबाक चाही।7कारण जे सुतल अछि, रातिमे सुतैत अछि, आ जे निसामे अछि, ओ रातिमे निसामे मातल अछि।8मुदा हमरासबके, दिनक कारणे, विश्वास आ प्रेमक कवच आ उद्धारक आशाक टोप पहिरने संयम करबाक चाही। 9किएकत' परमेश्वरके क्रोध हमरासबके लेल नहि, बल्कि हमरासबहक प्रभु यीशु मसीहद्वारा उद्धार करबाक लेल नियुक्त कएलनि अछि।10जे मसीह हमरासबके लेल मरि गेलाह जाहिस' हमसब जागल रही वा सुतल, हुनकासंग जीवन व्यतीत करी।11तएं एक-दोसरके सान्त्वना दिऔ आ एक-दोसरके निर्माण करु, ठीक ओहिना जेना अहाँसबके' रहल छी।12भाइसब, हम अहाँसबस' विनती करैत छी जे अहाँसबमे जे परिश्रम करैत छथि, हुनकासबके स्वीकार करु जे अहाँसबके मसीही जीवनमे अहाँसबके प्रभु अगुवाइ करैत छथि आ अहाँसबके चेतबैत छथि।13आ हुनकर काजके कारण स्नेहस' सम्मान करु। आपसमे शान्ति बनाउ।14भाइसब, आब हम अहाँसबके आग्रह करैत छी जे, परेशान करएबलाके चेताउ, हतोत्साहितके प्रोत्साहित करु, कमजोरके मदति करु, सबहक प्रति धैर्य राखू।15देखू केओगोटे अधलाहके बदला अधलाह नहि करु, बल्कि सदिखन एक-दोसर आ सबहक लेल नीकक पाछु लागू। 16सदाके लेल आनन्दित रहू।17सदैव प्रार्थना करु।18सब किछुमे परमेश्वरके धन्यवाद दिऔ, किएकत' अहाँसबहक लेल मसीह यीशुमे परमेश्वरक इच्छा इएह अछि।19पवित्र आत्माके नहि मिझाइ दिऔ।20भविष्यवाणीसबके तुच्छ नहि बुझू।21सब बातके जांच करु। जे नीक अछि ओकरा मजगूतीस' पकड़ू।22सब तरहें खराब स दूर रहू। 23आब शान्तिक परमेश्वर स्वयं अहाँसबके पूर्णरुपस' पवित्र करथि, आ हमरासबहक प्रभु यीशु मसीहक आगमनमे अहाँके सम्पूर्ण आत्मा, प्राण आ शरीर निर्दोष पाओल जाए।24परमेश्वर जे अहाँसबके बजबैत अछि से विश्वासयोग्य छथि, आ ओहो काज करतथि।25भाइसब, हमरासबहक लेल सेहो प्रार्थना करु।26सब भाइके स्नेहस' पवित्र हाथ मिलाक' अभिवादन करु।27हम अहाँसबके प्रभुद्वारा निष्ठापूर्वक आज्ञा दैत छी जे ई पत्र सबसंगी-विश्वासी भाइसबके लेल पढ़ब।28हमरासबहक प्रभु यीशु मसीहक कृपा अहाँसबहक संग बनल रहए।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67