Luke12
1एहि बीचमे हजारो लोक यीशुके चारुकात जुटि गेलै। एतेक लोक रहए जे एक दोसरास' पिचा रहल छल। यीशु पहिने अपन चेलासबस' कहलनि, “सावधान रहू, फरिसीसब जकां नहि बनू, जे सार्वजनिकरुपस' धार्मिक काज करैत अछि, मुदा गुप्तरुपस' कपटपूर्ण काज करैत अछि।2लोकक लेल अपन पापके गुप्त रखबाक प्रयास करब व्यर्थ अछि। कहियो परमेश्वर सबलोकके ओसब बातके खुलस्त क' देथिन जे लोक नुकएबाक कोशिस क' रहल अछि।3कहियो लोक अहाँके सबटा बात सार्वजनिक रुपमे सुनत जे अहाँ गुप्तमे बाजल रही। कहियो केओ छतपर चढ़िक' सबके सुनएबाक लेल चिचिआओत जे अहाँ अपन कोठलीमे जे कमे जोरस' प्रचार कएने रही।4यौ हमर मित्र सब! ध्यानस' सुनू! लोकसबस' नहि डेराएब। ओसब अहाँके शरीर मारि सकैत अछि, मुदा तेकरबाद ओसब अहाँसंगे ओहिस' बेसी किछु नहि क' सकैत अछि।5हम अहाँके कहब जे वास्तवमे अहाँके कोन चीजस' डेरएबाक चाही। परमेश्वरस' डेराउ जे हुनकालग लोकसबके मारि देबाक मात्रे अधिकार नहि छनि, हुनका लोकसबके पातालमे फेक देबाक अधिकार सेहो छनि! हं, हम अहाँके कहैत छी जे परमेश्वरेस' अहाँसबके वास्तवमे डेरएबाक चाही!6बगड़ासबके विषयमे विचार करु। ओकर मोल एतेक कम होइत अछि जे अहाँ ओकरा दू पाइमे पांचटा बगेड़ी किन सकैत छी। आ परमेश्वर ओहिमेस' कोनोके कहियो नहि बिसरैत छथि!7परमेश्वर जनैत छथि जे अहाँके माथपर कएटा केश अछि। डेराउ नहि, कारण अहाँसब परमेश्वरके लेल बगेड़ीसबस' बेसी मुल्यवान छी।8हम अहाँसबके ईहो कहैत छी जे जं लोकसब दोसर लोकसबके कहत जे ओसब हमर चेला अछि, तखन हम, मनुष्यक पुत्र, परमेश्वरके स्वर्गदूतसबके कहब जे ओ लोकसब हमर अपन चेला अछि।9मुदा जं ओसब दोसर लोकसबके ई कहत जे ओसब हमर चेला नहि अछि, त' हम परमेश्वरक स्वर्गदूतसबके कहब जे ओ लोकसबके हमर चेला नहि अछि।10हम अहाँसबके ईहो कहैत छी जे जं लोक हमरा, मनुष्यक पुत्रके विषयमे अपमानके बात करत, त' परमेश्वर ओकरासबके ओहिलेल क्षमाक' देथिन। मुदा जं लोक पवित्र आत्माके विषयमे अधलाह बाजत, त' परमेश्वर ओकरासबके एहिलेल क्षमा नहि करथिन।11तएं जखन लोकसब अहाँसबके सभाघरमे आ आन लोकसबलग ल' जाएत जे ओहि देशके अधिकारी आ शासकसब अछि, त' एहि बातके चिन्ता नहि करु जे अहाँसब ओकरासबके कोना जबाब देब वा अहाँसब की बाजब,12किएकत' पवित्र आत्मा ओहि समयमे अहाँके कहथिन जे अहाँके की कहबनि।”13तखन भीड़मेस' एक आदमी यीशुके कहलनि, “यौ गुरुजी, हमरा भैयाके कहि दिऔ जे हमरासबके बाबूके धन हमरासबके फांटि दैक!”14मुदा यीशु ओकरा उत्तर देलथिन, “यौ भाइ, अहाँसबके सम्पत्ति अंशक विवाद समाधान करएलेल हमरा केओ न्यायाधीश नहि बनौने छथि!” 15तखन यीशु ओकरासबके कहैत गेलथि, “सावधान रहू, अहाँसब कोनो तरहें लोभी नहि बनू! कोनो व्यक्तिके जीवनमे ई बात महत्वपूर्ण नहि अछि जे ओ कतेक सम्पत्तिके मालिक अछि।”16तब यीशु भीड़के ई दृष्टान्त सुनौलथि: एकटा धनीक व्यक्तिके खेतमे बहुते उपजा भेल।17ओ अपना मनमे विचार कएलक जे हम आब की करु से नहि जनैत छी, किएकत' हमरालग ई उपजा भण्डार करएलेल ओतेक नमहर जगहो नहि अछि!18तब ओ मनमे सोंचलक, “हम बुझि गेलहुं जे हम की करब! हम अपन गहुमक बखारीके तोड़िक' नमहर बनाएब! तब हम अपन सबटा अन्नके ओहि नमहर बखारीमे राखब।19तब हम मोने-मोन कहबनि जे आब हम कतेको वर्षलेल पर्याप्त वस्तु जमा क' लेने छी। तएं हम सुख-विलासमे जीवनके बिताएब। हम खाएब पीबि आ आनन्दित रहब!”20मुदा परमेश्वर ओकरा कहलथि जे ए मूर्ख आदमी! आइए राति तोहर प्राण ल' लेल जएतौ! तखन जे किछु तों अपनालेल जमा कएने छे से तोहर नहि, बल्कि दोसरेके भ' जएतौ!21तखन यीशु एहि दृष्टान्तके ई कहिक' समापन कएलथि, “अपनेलेल मात्र वस्तुसब संग्रहित करएबला आ परमेश्वरके महत्व नहि देबएबलासबके संग सेहो एहिना होएत।”22यीशु अपन चेलासबके फेरु कहलथि, “अहाँसबके एहि दृष्टान्तस' किछु सिखबाक चाही। अहाँ अपन शरीरके जीवित रहएलेल पर्याप्त भोजन वा पहिरबाकलेल पर्याप्त कपड़ा नहिओ रहए त' ओकर चिन्ता नहि करु।23किएकत, अहाँके जीवन अहाँके भोजनस' बेसी महत्वपूर्ण आ अहाँके शरीर कपड़ास' बेसी महत्वपूर्ण अछि।24चिड़ै-चुनमुनके विषयमे सोंचू। ओसब ने बिआ बोऐत अछि आ ने फसल कटैत अछि। ओकरासबलग एहन बखारी वा भवनो नहि अछि जाहिमे अन्न जमाक' सकैक, मुदा परमेश्वर ओकरासबके भोजन दैत छथि। आ निश्चितरुपस' अहाँसब चिड़ैसबस' बेसी मूल्यवान छी। 25अहाँमेस' केओगोटे एकर चिन्ता क' क' अपन जीवनमे एको मिनट नहि थपि सकैत छी। 26जं अहाँसब ई एकटा छोटो काज सेहो नहि क' सकैत छी, त' निश्चितरुपस' अहाँसबके आन कोनो बातक चिन्ता नहि करबाक चाही।27फूल कोना बढ़ैत अछि, ताहिपर विचार करु। ओसब पाइ कमाएलेल काज नहि करैत अछि, आ ने अपन कपड़ा स्वयं बनबैत अछि। मुदा हम अहाँसबके कहैत छी जे बहुत पहिने सुलेमान जीवित छलथि से गौरवशाली वस्त्र पहिरैत रहथि, ओहो फूलसबमेस' एकोटा जतेक सुन्दर कपड़ा नहि पहिरने रहथि।28परमेश्वर घासके सेहो सुन्दर बनबैत छथि, भलेहि ओ कनिके काललेल पनपैत होअए। तेकरबाद लोकसब ओकरा काटिक' आगिके भट्ठीमे फेक दैत अछि। मुदा परमेश्वरक लेल अहाँ बहुत मूल्यवान छी। ओ अहाँसबके गाछस' बेसी चिन्ता करैत छथि। अल्प विश्वासीसब, अहाँके अपनापर जतेक भरोसा अछि ओहिस' बेसी परमेश्वरपर भरोसा करबाक चाही।29अहाँसब, की खाएब आ की पीबि एहि बातसबके चिन्ता करिते के करिते नहि रहू।30एमहर जे संसारके आन लोकसब परमेश्वरके नहि जनैत अछि से सब एहन बातसबके चिन्ता करैत अछि। तखन अहाँसब निश्चिन्त भ' सकैत छी जे अहाँके पिता जे स्वर्गमे छथि से जनैत छथि जे अहाँके एकर आवश्यकता अछि।31बल्कि एहि बातपर ध्यान दिऔ जे अहाँ परमेश्वरके राज्यलेल की क' सकैत छी। जखन अहाँ ई काज करब, त' अहाँ परमेश्वरपर भरोसा क' सकैत छी जे ओ अहाँके सबकिछुके प्रबन्ध करताह।32तएं छोट झुण्ड अहाँसबके नहि डेराएबाक चाही। स्वर्गमे विराजमान अहाँके पिता चाहैत छथि जे अहाँ हुनकर राज्यके हिस्सा बनी आ ओकर सब लाभ प्राप्त करी।33तएं जे वस्तु अहाँ लग अछि से बेचक' ओ पाइ ओकरासबके द' दिऔ जेकरा अन्न, कपड़ा वा जीवन-यापनके लेल जगह चाही। एहन बटुआ अपनालेल लिअ जे नहि फाटए। हमर कहबाक अर्थ अछि जे धन स्वर्गमे जमा करु जत ओ सदाके लेल सुरक्षित रहत। ओतए कोनो चोर ओकरा ने चोरा सकैत अछि आ कोनो कीड़ा अहाँके कपड़ाके नाश नहि क' सकत।34अन्तोत, जे किछु वस्तुके संग्रह करब, ओहिपर अहाँ सोंचए मे समय बिताएब।35सदिखन परमेश्वरके काज करबाक लेल ओकरासब जकां तैयार रहू, जे सब अपन काज करएबला वस्त्र पहिरक' भरि राति डिबिया बारिक' रखैत अछि। 36हमर घुरबाक लेल तैयार रहू, जेना दास विवाह क भोजमे भाग लेलाके बाद अपन मालिकके घुरबाक प्रतीक्षामे रहैत अछि। ओ पहुंचैते केबाड़ी खटखटाबए त' ओसब हबड़-हबड़ दरबाजा खोलएलेल प्रतीक्षा क' रहल अछि।37ओहि दाससबके लेल बहुत नीक होइत जं ओसब ओहि समय जागल रहत, जखन ओकर मालिक घुरताह। हम अहाँसबके सांच्चे ई कहैत छी: जे ओ दासबला वस्त्र पहिरक' आ ओकरासबके बैसाक' भोजन परसिक' सेवा-टहल देथिन।38भलेहि ओ भोरहरियामे वा अधरतियामे घर आबि जाए, मुदा जं ओकरा पता चलत जे ओकर दास जगले अछि आ हुनकालेल तैयार अछि त' ओकरासबस' बहुत बेसी प्रसन्न होएताह।39हम चाहैत छी जे अहाँ एहि बातपर ध्यान दिऔ जे जं कोनो घरक मालिकके बुझल रहत जे कोन समयमे चोर आबि रहल अछि, त' ओ जगले रहैत आ ओहि चोरके अपन घरमे घुसए नहि देत।40तएं तैयार रहू, किएकत' हम मनुष्यक पुत्र ओहि समयमे घुरब जखन अहाँसब हमरा अपेक्षा नहि करैत होएब।”41पत्रुस पुछलनि, “यौ प्रभु, की अहाँ ई दृष्टान्त हम चेलेसबके लेल दैत छी?” आ की भीड़क लेल सेहो?42यीशु उत्तर देलथिन, “हम ई ओहि सबगोटेके कहि रहल छी जे एकटा विश्वासी आ बुद्धिमान दास जकां अछि जे अपन मालिकके घरमे भण्डारी अछि। ओकर मालिक ओकरा आन दाससबके प्रभारी बना दैत अछि जाहिस' ओ ई सुनिश्चित क' सकए जे सबगोटेके अपन भोजन सही समयपर भेटए।43जं ओकर मालिक घर आबिक' देखत जे ओ अपन काज क' रहल अछि, त' ओ ओहि दासके धन्य कहत।44हम अहाँके ई सांच्चे कहि रहल छी: ओ मालिक ओहि दासके सब सम्पत्ति उपर प्रभारी ठहरौतथि।45मुदा प्रभारी नियुक्त भेल दास मनेमन कहलक, ‘हमर मालिक बहुत दिनके लेल दूर जा रहल छथि।’ तखन ओ आन दास आ दासीसबके मारिपीट करए लागल। ओ बेसी खा-पीबक' माति गेल।46जं ओ एना करत त' ओकर मालिक ओहि समय घुरि आओत जेकर अपेक्षा ओ दास नहि कएने होएतै। तखन ओकर मालिक ओकरा कठोर दण्ड देतैक आ ओकरा एहन लोकके संग राखि देतैक जे अविश्वासके कारण निष्ठापूर्वक सेवा नहि करैत अछि।47जे दास ओकर मालिक की चाहैत अछि से जनैत छल मुदा ओ स्वेच्छास' करबाक लेल तैयार नहि भेल त' ओकरा कठोर सजाय देल जाएत।48मुदा जे दास ई नहि जनैत अछि जे ओकर मालिक की चाहैत छल, आ फेरु किछु अनुचित काज करैत अछि, ओकरा मात्र कम दण्ड भेटतैक। ओ मालिक ओहि सबदासस' बहुत बेसी आशा करत, जेकरा ओ बेसी सोंपने छथि। आ ओ मालिक ओहि दाससबस' आओर बेसी अपेक्षा करतथि जेकरापर ओ एतेक बेसी जिम्मेवारी द' क' भरोसा करैत छथि।49पृथ्वीपर हम लोकसबके आत्मिक आवेगके झकझोरएलेल आएल छी। हम इच्छा करैत छी जे ओसब पहिनेस' ओहिसबपर काज क' रहल रहितथि!50जल्दिए हमरा भयंकर कष्टके बपतिस्मास' गुजरए पड़त। जाधरि हम अपन यातनाके अन्त नहि करब ताधरि हम व्यथीत रहब।51अहाँसबके ई बुझबाक चाही जे हम पृथ्वीपर एहिलेल नहि आएल छी जे लोक शान्तिपूर्वक एकसंग रहए। नहि, अहाँसब ई बुझब जे एकर बदलामे लोक हमरालेल आ हमरा विरुद्ध पक्ष लेत।52तैयार रहू, कारण जे ई होबएबला अछि। पांच गोटेके परिवारमे केओ हमरापर विश्वास करत आ किछुगोटे विश्वास नहि करत। परिवारके तीनटा सदस्य बांकी दू गोटेक विरोधमे एकसंग जुटत।53परिवारक सदस्यके बीच झगड़ा होएत। बाबू बेटाके विरोध करत, आ बेटा बाबूके विरोध करत। माय बेटीके विरोध करत, आ बेटी मायके विरोध करत। सासु पुतहु के विरोध करत, आ पुतहु सासुके विरोध करत।” 54ओ भीड़के इहो कहलथि, “अहाँ पश्चिममे कारी मेघ लगैत देखैत छी, त' तुरन्त कहैत छी, ‘वर्षा होबएबला अछि!’ आ होएबो करैत अछि।55दक्षिण दिसस' हवा बहैत अछि त' अहाँ कहैत छी, ‘गरम दिन होएत!’ आ अहाँ ठीके कहैत छी।56ऐ पाखण्डीसब! हवा आ पृथ्वीके देखक' अहाँसब बुझएमे सक्षम छी जे आकाशके मौसमक संग की भ' रहल अछि। अहाँसबके सेहो ई बुझएमे सक्षम होएबाक चाही जे परमेश्वर एहि वर्तमान समयमे की क' रहल छथि!57अहाँसब गोटेके अपन निर्णय अवश्य करबाक चाही जे की सही अछि!58एत एकटा काज अछि जे अहाँसब अवश्य करु। ओहि समयमे जखन अहाँ न्यायालय जाएबला बाटपर छी त' अहाँके ओहि व्यक्तिस' विवाद समाधान करबाक कोशिस करबाक चाही जे अहाँके छोड़ि दए। यदि ओ अहाँके न्यायाधीशलग जाएलेल मजबूर करए, त' न्यायाधीश अहाँके दोषी होएबाक फैसला करत जे अहाँके न्यायालय अधिकारीके हाथमे सोंपि सकैत अछि। तखन ओ अधिकारी अहाँके जहलमे राखि देत।59हम कहैत छी जे जहल चलि जाएब त' न्यायाधीशके कहल अनुसार जे कर्ज अछि जाधरि सबटा पाइ नहि चुका नहि देब ताधरि ओतएस' कहियो छुटि नहि सकैत छी।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.