Luke11

1एकदिन यीशु कोनो निश्चित स्थानपर प्रार्थना क' रहल छलथि। जखन हुनकर प्रार्थना समाप्त भ' गेलनि, त' एकटा चेला हुनकास' कहलकनि, “यौ प्रभु, हमरासबके प्रार्थना करबाक तरीका सिखाएल जाओ। यूहन्ना बपतिस्मा देनिहार अपन चेलासबके संग सेहो एहने कएलनि, आ हमसब चाहैत छी जे अहाँ हमरासबहक संग सेहो एहने करु।”2ओ ओकरासबके कहलथि, “जं अहाँसब प्रार्थना करैत छी, त' एहि प्रकारक बात बाजू, ‘हे पिता, सबलोक अहाँके नाम पवित्र मानिक' आदर करए। जल्दिए अहाँ सबठाम, सबलोकपर राज करु।3हमरासबके सबदिन आवश्यकता अनुसार भोजन उपलब्ध कराउ।4हमसब जे गलत काज कएने छी ओहिलेल क्षमा करु। हमसब स्वयं ओहि लोकके क्षमाक' दैत छी जे हमरासबसंगे गलत काज कएने अछि। जं कोनो प्रकारके परीक्षामे नहि ल' जाउ, हमरासबहक सहायता करु, जाहिस' हमसब पाप नहि करी।’”5तखन यीशु अपन चेलासबके कहलनि, “मानि लिअ जे अहाँमेस' केओ अधरतियामे कोनो मित्रके घर जाइत अछि। ओ बाहर ठाढ़ भ' क' हुनका आवाज दैत छै, ‘यौ मित्र, कृपया हमरा तीनटा रोटी पैंचा दिअ!6हमर एकटा आओर मित्र एखने यात्रा करैत काल हमर घर पहुंचल अछि। मुदा हमरालग कोनो तैयार भोजन नहि अछि जे हम हुनका खिआ सकी!’7आ मानि लिअ जे ओ घरक भितरस' जबाब दैत छथि, ‘हमरा परेशान नहि करु! हम केबाड़ी सेहो लगा देने छी, आ हमर पूरा परिवार पलंगपर अछि। हमरालेल उठिक' अहाँके किछु देब बड्ड कठिन होएत!’8हम अहाँके कहैत छी, भलेहि ओ मित्र होएबाक कारणे उठिक' किछु भोजन नहि देब' चाहैत होथि। मुदा जं ओ मंगिते रहत त' भितरमे जे व्यक्ति अछि ओ अवश्य उठिक' ओकरा जे किछु चाही से द' देतैक।9तएं हम अहाँसबके कहैत छी जे अहाँसबके जे किछु चाही से परमेश्वरस' मंगिते रहब, त' ओ अहाँसबके द' देताह। ओसब वस्तु परमेश्वरस' खोजैत रहू, त' अहाँसब ओहिके पाबि लेब। परमेश्वरस' मांगू जे ओ अहाँलेल काज सम्भव बनाबथि, तखन ओ अहाँके दिसस' काज करताह।10अहाँके ई एहिलेल करबाक चाही जे, जे केओ पिता परमेश्वरस' अपन जरुरतिके चीज मांगत, त' ओकरा भेटत। जे केओ परमेश्वरस' ओसब चीज तागत, त' ओ प्राप्त करत। जं केओ परमेश्वरस' कहत जे ओकरालेल काज सम्भव बनाउ, त' परमेश्वर ओकर दिसस' काज करताह।11मानि लिअ जे अहाँके बेटा अहाँस' खाएलेल माछ मांगत, त' निश्चितरुपस' अहाँ ओकरा खाएलेल सांप नहि देबनि!12मानि लिअ जे ओ अहाँस' एकटा अण्डा मांगत त' अवश्य अहाँ बिच्छ नहि देबनि!13जं अहाँसब पापी होइतो, अपन बालबच्चासबके नीक चीज कोना दी से प्रयत्न करैत छी। तएं ई आओर बेसी निश्चिन्त अछि जे अहाँके पिता परमेश्वर जे स्वर्गमे विराजमान छथि, हुनकास' अहाँ पवित्र आत्मा मांगब, त' ओ द' देताह।”14एकदिन यीशु एकटा एहन दुष्टात्माके निकालैत रहनि जे ओहि आदमीके बाजएस' रोकैत छलनि। यीशु ओहि दुष्टात्माके बाहर निकाललाके बाद ओ आदमी बाजए लागल। एहि बातस' ओतए' उपस्थित लोकसबके भीड़ आश्चर्यचकित भ' गेलनि।15मुदा किछुगोटे कहलकनि, “ओ बालजबूल अछि, जे दुष्टात्मासबके शासक अछि, जे एहि आदमीके दुष्टात्मासबके बाहर निकालएमे सक्षम बनबैत अछि!”16ओतए' उपस्थित आन लोकसब हुनकर अधिकारपर प्रश्नचिन्ह ठाढ़ कएलनि। ओसब हुनकास' एकटा चमत्कारीक चेन्ह मांग कएलनि जाहिस' ई सिद्ध होअए जे हुनका स्वर्गके परमेश्वर पठौने छथि।17मुदा ओसब की सोंचि रहल अछि से हुनका बुझल छलनि। तएं ओ ओकरासबके कहलखिन, “जं एकहि देशके लोक, एक दोसरास' लड़ए लागत त' ओ अपना देशके तबाह क' देत। एकहि घरके लोक, जं एक-दोसर विरुद्ध भ' जाएत' अपन परिवारके तबाह क' देत।18तहिना जं शैतान आ दुष्टात्मासब एक-दोसरके विरुद्ध लड़त त' निश्चितरुपस' ओ ओकरासबपर राज नहि क' सकत! हम ई एहिलेल कहैत छी जे अहाँ कहैत छी जे हम दुष्टात्माके शासकके सामर्थ्यस' दुष्टात्माके बाहर निकालैत छी!19यदि ई सत्य अछि जे बालजबूल हमरा दुष्टात्मासबके बाहर निकालएमे सक्षम क' रहल अछि, त ईहो सत्य होएत जे ओ अहाँसबके चेलासबके सेहो दुष्टात्मासबके बाहर निकालएमे सक्षम बनबैत होतैक। मुदा अहाँ जनैत छी जे ई बात सत्य नहि अछि। ताहिके लेल अहाँके चेलासब अहाँ गलत छी से न्याय करैत अछि।20हमरा वास्तवमे परमेश्वरक सामर्थ्यस' दुष्टात्मासबके बाहर निकालैत छी। एकर माने ई जे परमेश्वर अहाँपर शासन करए लगलथि।”21यीशु आगु बजलाह, “जखन बहुते शस्त्र ल' क' कोनो बौकार आदमी अपन घरके आंगन पहरा दैत अछि, जे भितरका चीज सुरक्षित रहैत अछि।22मुदा जखन ओकरास' बेसी शक्तिशाली केओ ओहि आदमीपर आक्रमण क' क' अपन वशमे क' लेत, त' ओ ओहि हथियारसबके छिन लेत जाहिपर ओ आदमी भरोसा करैत छल। तेकरबाद ओ ओहि आदमीके घरस' ओकरा जे चाही से चोरा सकैत अछि।23जे केओ हमरा सहयोग नहि करैत अछि त' ओ हमरा विरोध क' रहल अछि। जे केओ हमरालग लोकके नहि अनैत अछि त' ओ ओकरा हमरास' दूर पठा रहल अछि।”24तखन यीशु कहलनि, “कोनो व्यक्तिमेस' एकटा दुष्टात्मा बाहर निकलिक' निर्जन क्षेत्रमे घुमैत अछि आ ओ चाहैत अछि दोसर गोटेमे पैसि जाइ। जं ओत' केओ नहि भेटल त' ओ अपन मनमे कहत जे हम पहिने जाहि व्यक्तिमे छलहुं, घुरिक' ओतहि जाइछी!'25तएं ओ घुरिक' जाइत अछि आ देखैत अछि जे ओ व्यक्ति एहन घर जकां अछि जेकरा बहारल सोहारल आ सजाओल गेल अछि मुदा ओहिमे केओ नहि रहैत अछि।26तखन ओ दुष्टात्मा जाक' एहन सातटा आओर दुष्टात्मासबके अनैत अछि जे ओकरो स' बेसी दुष्ट रहए। ओसब ओहि व्यक्तिमे प्रवेश कएलक आ ओहिमे रहल। ओहि व्यक्तिके हालत पहिनेस' बेसी खराब भ' गेल, आ ई आओर बेसी खराब भ' जाइत अछि।”27यीशु जखन ई बात कहलनि, त' भीड़मेस' एकटा स्त्री जे सुनैत छलीह से जोरस बाजिक' हुनका कहलकनि, “जे अहाँके जन्म देबएबाली आ पालन-पोषण करएबाली स्त्री धन्य छथि!”28तखन ओ उत्तर देलथिन, “परमेश्वर ओहि लोकपर आओर बेसी प्रसन्न छथि जे हुनकर सन्देश सुनैत अछि आ ओकर पालन करैत अछि!”29यीशुके चारुकात बहुते लोक आबिक' बड़का भीड़ लगौने रहए। ओ कहलथि, “एहि समयके लोकसब दुष्ट अछि। ओसब चाहैत अछि जे हम एकटा चमत्कार करी ई साबित करबाक लेल जे हम परमेश्वरद्वारा चुनल छी। मुदा एकमात्र प्रमाण जे ओसब देखत से किछु एहन चमत्कार जे योनासंगे भेल रहए।30बहुत पहिने परमेश्वर योनालेल एकटा चमत्कार कएने छलथि जे ओ निनवे शहरमे रहनिहार लोकसबके देखा सकथि जे ओ हुनका पठौने छथि। तहिना परमेश्वर हमरा, मनुष्यक पुत्रके लेल सेहो एहने चमत्कार करताह जे एहि दिनमे रहनिहार लोकसबके ई देखाबि सकी जे ओ हमरा पठौलथि।31दक्षिणके रानी बहुत पहिने सुलेमानके बुद्धिके बातसब सुनएलेल पृथ्वीके दोसर छोरस' यात्रा कएने छलीह। एहि समयमे सुलेमानस' पैघ केओ एत' अहाँके संग उपस्थित अछि। तएं जखन परमेश्वर सबलोकके न्याय करताह तखन ओ ठाढ़ भ' क' एहि समयमे जीवित लोकपर आरोप लगौतीह। 32निनवे शहरके लोकसब जं योना ओकरासबके प्रचार कएलनि त' अपन पापके लेल पश्चाताप कएलक। एहि समयमे हम, जे योनास' पैघ छी, आबिक' अहाँसबके प्रचार कएलहुं। मुदा अहाँसब अपन पापके लेल पश्चाताप नहि कएलहुं। तएं परमेश्वर जहिया सबलोकके न्याय करताह, त' नीनवेमे रहनिहार लोकसब ठाढ़ भ' एहि समयमे रहनिहार लोकसबके दोषी ठहराओत। 33जे व्यक्ति डिबिया बारैत अछि से नुकबैत नहि अछि आ ने मौनीके नीचा रखैत अछि। बल्कि एकरा दिहैटपर राखि दैत अछि जाहिस' जे केओ घरमे प्रवेश करए से इजोत देखए।34अहाँके आंखि अहाँके शरीरमे प्रकाशके प्रवेश कर' दैत अछि। जं अहाँके आंखि ठीकस' काज क' रहल अछि, तखन अहाँके सौंसे शरीर इजोतस' भरल रहत। मुदा जं अहाँके आंखि ठीकस' काज नहि क' रहल अछि त' अहाँके शरीरके कोनो प्रकारक इजोत नहि भेटत।35तएं, सावधान रहू आ ई नहि सोंचू जे अहाँके आंखि ठीकस' काज क' रहल अछि आ प्रकाशके प्रवेश करा रहल अछि जं वास्तवमे ई ठीकस' काज नहि क' रहल अछि आ कोनो प्रकाश नहि प्रवेश क' रहल अछि।36तएं जं इजोत अहाँके शरीरके प्रत्येक अंगमे प्रवेश क' रहल अछि, एहि कारणे ओकर कोनो अंग अन्हारमे नहि अछि, तखन अहाँके सौंसे शरीर इजोतस' भरल रहत। अहाँके सम्पूर्ण जीवन एना इजोत भ' जाएत, जेना नमहर तेज प्रकाश अहाँपर चमकैत होइक।37जखन यीशु ई बातसब कहलाके बाद, एकटा फरिसी हुनका भोजन करबाक लेल विनती कएलनि। तएं यीशु फरिसी घरमे भोजन करबाक लेल भितर बैसि गेलाह।38ओ फरिसी तखन आश्चर्यचकित भेलनि जखन ओ देखलनि जे यीशु भोजन करएस' पहिने अपन विधि अनुसार हाथ नहि धोएने छलाह। 39प्रभु ओकरा कहलनि, अहाँ फरिसीसब भोजन करएस' पहिने थारी आ बर्तनके बाहरी भाग साफ करैत छी, मुदा भितरस' बहुत लोभी आ दुष्ट छी।40मूर्ख लोक! निश्चितरुपस' अहाँके बुझल अछि जे परमेश्वर बाहरी भागके मात्र नहि बनौने छथि, बल्कि भितरी भागके सेहो बनौने छथि!41बर्तन ठीकस' साफ होएबाक चिन्ता करबाक बदला दयालु बनू आ जे किछु बर्तनमे अछि से जरुरतिमे भेल व्यक्तिके दिऔ। तखन अहाँके भितरी आ बाहरी दुनू भाग परमेश्वरके स्वीकार होएत।42मुदा अहाँ फरिसीसबके लेल ई कतेक भयावह होएत! अहाँ अपन जे किछु अछि ओकर दसम भाग परमेश्वरके सावधानीपूर्वक द' दैत छी, एतधरि जे अहाँके बारीमे जे जड़ी-बूटी उपजबैत छी। मुदा तखन अहाँ दोसर प्रति परमेश्वरक प्रेम वा निष्पक्षता नहि देखबैत छी। अहाँके ई सुनिश्चित करबाक चाही जे अहाँ परमेश्वरके देबएके अतिरिक्त ई काज करब। 43अहाँ फरिसीसबलेल ई कतेक भयावह होएत, कारण अहाँसबके सभाघरसबमे सबस' बेसी महत्वपूर्ण आसनपर बैसए चाहैत अछि, आ अहाँसबके पसीन अछि जे लोक अहाँसबके बजारमे विशेष आदरपूर्वक अभिवादन करए।44अहाँसबके लेल ई कतेक भयावह होएत, कारण अहाँसब बिना चिन्हएबला कबर जकां छी जेकरापर लोक बिना जनने चलैत अछि आ एहि तरहें ओ अशुद्ध भ' जाइत अछि।”45एकटा यहूदी व्यवस्थाके शिक्षक जे उपस्थित छलनि, यीशुस' उपराग कएलनि, “यौ गुरु, जं अहाँ एहन बात कहैत छी त' अहाँ हमरासबके सेहो अपमान क' दैत छी!”46मुदा यीशु उत्तर देलनि, “अहाँसब जे यहूदी व्यवस्थाके शिक्षक छी, अहाँसबलेल ई कतेक भयावह होएत! हम ई एहिलेल कहैत छी जे अहाँ लोकके कहैत छी जे एतेक नियमके पालन करु, तथापि अहाँ ओकरा मदतिके लेल छोटस' छोट काज धरि नहि करैत छी।47अहाँसबलेल कतेक भयावह होएत, किएकत' अहाँ प्रवक्तासबके कबरपर निशान लगाबएलेल भवन बनबैत छी, मुदा अहाँसबके पूर्वज जे रहए से हुनकासबके मारि देलकनि।48तएं जं अहाँसब ओहि भवनसबके बनबैत छी, त' अहाँ घोषणा क' रहल छी जे अहाँसब ओहि प्रवक्तासबके मारैत काल अहाँके पूर्वज जे कएने रहए ताहिके अहाँसब साक्षी द' रहल छी।49तएं परमेश्वर जे बहुत बुद्धिमान छथि, से इहो कहलथि, ‘हम अपन लोकके मार्गदर्शन करबाक लेल प्रवक्ता आ प्रेरितसब पठाएब। मुदा ओसब ओकरासबके बहुत परेशान करत। एतधरि जे किछु गोटेके मारि देत।’50एकर परिणाम ई छै जे एहि समयमे रहनिहार लोकके प्रवक्ताके हत्या करबाक लेल सजाए भेटतैक जेकरा लोकसब संसारके उत्पत्तिके बाद मारि देलकऐ।51हुनकासबके हत्याके सजाय भेटतनि, आदमके बेटा जे कैनद्वारा मारल गेल छल, हाबिलस' ल' क' जकरयाह प्रवक्ताके हत्या धरि अछि, जाहिमे राजाके प्रतिनिधिसबद्वारा पवित्र स्थान आ वेदी आ भवनके बीचमे मारल गेल। 52यहूदी व्यवस्थाके शिक्षक, अहाँसबके लेल ई कतेक भयावह होएत। अहाँसब ज्ञानके कुंजी लइतो परमेश्वरके बुझएस' लोकसबके रोकैत छिऐ! अहाँ अपनो परमेश्वरके नहि जनैत छी, आ अहाँसब दोसरो लोकसबलेल काजसबके कठिन बना दैत छी जे परमेश्वरके नीकस' जानए चाहैत अछि।”53यीशु ई बात कहि समाप्त कएलाक बाद, ओ फरिसीके घरस' बाहर निकलि गेलथि। तब शास्त्री आ फरिसीसब हुनकास' बहुत शत्रुतापूर्ण व्यवहार करए लगलनि। ओसब हुनका बहुते कठिन प्रश्नसब पुछलक।54ओसब हुनका एहन किछु बात कहैत सुनए' चाहैत छल जे ओसब हुनका विरुद्ध ओहिके प्रयोग क' सकैक।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67