Luke13
1ओहि समय, किछु लोकसब जे भीड़मे छल से यीशुके एहि विषयमे कहलनि जे किछु ओहि गलीलके लोकसबसंग हाले-सालमे घटल रहए। रोमी राज्यपाल, पिलातुस अपन सैनिकके ओहि गलीलवासीसबके मारि देबाक आ ओकरासबके लेहूके ओसब मारने जानबरसबके लेहूमे मिझरा दैक से आदेश देने रहैक, जाहि समय ओसब परमेश्वरके भवनमे बलिदान चढ़बैत रहए।2यीशु ओकरासबके पुछलथिन, “की अहाँसबके लगैत अछि जे ओसब बांकी गलीलवासीसब पापी रहए तएं ओकरासबसंगे एना भेल?3हम अहाँसबके आश्वस्त करैत कहैत छी, एना नहि रहए! जं अहाँसब अपन पापस' पश्चाताप नहि करब त' परमेश्वर अहाँसबके एकहि तरहें दण्डित करताह।4वा ओहि अठारह गोटेके विषयमे जेकरापर शिलोहके मीनार खसि पड़ल त' मरि गेल रहए? की अहाँसब ई सोंचैत छी जे ओसब यरूशलेममे रहनिहार आन लोकसबस' बेसी पापी रहए?5हम आश्वस्त करैत छी, एकर कारण ई नहि छल! बल्कि अहाँके ई बुझब आवश्यक अछि जे जं अहाँ अपन पापके पश्चाताप नहि करब त' परमेश्वर अहाँसबके ओहिना दण्ड देथि।”6तखन यीशु ओकरासबके एकदिन ई दृष्टान्त सुनौलनि: “एकटा आदमी अपन अंगूर बगानमे अंजीरक गाछ रोपलक। प्रत्येक साल ओ अंजीर लेबए अबैत छल, मुदा सब बेर ओहिमे किछु नहि भेटैत छल। 7तखन मालिक बगीचा रखबारके कहलनि, ‘देखू ई गाछ! पछिला तीन सालस' हम एहिमे प्रत्येक साल फल खोजैत छी, मुदा अंजीरक गाछमे एकोटा अंजीर नहि भेटल। एकरा काटि दिऔ! ई माटिस' पोषक तत्वके व्यर्थमे उपयोग भ' रहल अछि!’8मुदा रखबार उत्तर देलकनि, ‘यौ मालिक, एक साल आओर एहि गाछके रहए दिऔ। हम एकर चारुकात कोरिक' मलखाद देब।9यदि अगिला वर्ष एहिमे फल लागि जाएत, त' हमसब एकरा आओर बढ़ए देब! मुदा ओहि समय धरि फल नहि देत त' अहाँ एहि गाछके कटबा सकैत छी।’”10एक विश्राम-दिनमे, यीशु एकटा सभाघरमे लोकसबके शिक्षा द' रहल छलथि।11एकटा एहन स्त्री छलीह जे अठारह सालस' कोनो दुष्टात्माके कारण ओकर डांढ़ टेंढ़ भ' गेल रहैक। ओ सदिखन प्रणाम करैत रहलीह। सोझस' ठाढ़ नहि भ' सकैत छलीह।12यीशु ओकरा देख अपनालग बजौलनि। ओ ओकरा कहलनि, “बहिन, हम अहाँके एहि बेमारीस' ठीक क' देलहुं!”13ओ अपन हाथ ओहि स्त्रीपर राखि देलनि। ओ झटस' ठाढ़ भ' गेलीह आ परमेश्वरक स्तुति करए लगलीह!14मुदा सभाघरके अधिकारी तमसा गेलै, किएकत' यीशु यहूदीसबके विश्राम-दिनमे ओकरा ठीक कएने छलथि। तएं ओ लोकसबस' कहलकनि, “सप्ताहमे छओ दिन एहन होइत अछि जहिया अपनासबके व्यवस्था लोकके काज करबाक अनुमति दैत अछि। जं अहाँके स्वस्थ होएबाक आवश्यकता अछि त' ओहि छओ दिनसबमे केओ सभाघरमे ठीक करबाक लेल अबैक। हमरासबहक विश्राम-दिनमे नहि!” 15तखन प्रभु ओकरा उत्तर देलनि, “अहाँ आ अहाँके संगी बूढ़-पुरानसब पाखण्डी छी! अहाँसबमेस' प्रत्येक कखनोकाल विश्राम-दिन सेहो काज करैत छी! जेना, अहाँ अपन बैल वा गदहाके खोलिक' एक ठामस' दोसर ठाम पानि पियाबए ल' जाइत छी।16ई स्त्री यहूदी अछि, आ अब्राहमके वंशज अछि! मुदा शैतान ओकरा अठारह सालस' अपांग बना देने अछि, जेना ओकरा बन्हनमे राखि देने होइक! निश्चितरुपस' अहाँसब सहमत होएब जे ई ठीक अछि जे हम ओकरा एहि रोगस' ठीक करी, भलेहि हम ई काज विश्राम-दिनमे कएलहुं!” 17ई कहलाक बाद हुनक शत्रु स्वयं लज्जित भ' गेलै। मुदा ओ जतेक अद्भुत काज क' रहल छलाह, ताहिपर बांकी सबगोटे खुश छल।18तखन ओ बजलाह, “हम बुझाबए चाहैत छी जे जहिया परमेश्वर राजाके रुपमे शासन करताह तहिया केहन होएत। हम एकटा दृष्टान्त देब जे अहाँके बुझएमे मदति करत।19जेना छोट-छोट सरिसोके बिआ आदमी अपन खेतमे छिट देने रहए। ओ बढ़िक' गाछ जकां भ' गेल। ओ एतेक नमहर भ' गेल जे ओकर ठाढ़ि पर आकाशके चिड़ैसब खोंता सेहो बना लेलक।” 20तेकरबाद ओ फेरु कहलनि, “हम अहाँके एकटा आओर तरीका कहब जे जहिया परमेश्वर शासन करताह तहिया केहन होएत।21ई कनि खमीर जकां अछि जेकरा कोनो स्त्री लगभग तीन किलो आंटामे मिला दैत अछि। ओहि कनि खमीर मिला देलास' पूरे आंटाके फुला देलक।”22यीशु यरूशलेम दिस अपन यात्रा जारी रखलनि। रस्तामे सब शहर आ गाम दने लोकसबके शिक्षा दैत छलथि।23केओ हुनकास' पुछलक, “यौ प्रभु, की परमेश्वर किछुए गोटेके उद्धार करताह?” यीशु उत्तर देलनि जे ओतए उपस्थित सबलोक सेहो सुनि सकथि,24“अहाँके सकेत दुआरिस' प्रवेश करएलेल उत्तम प्रयास करबाक आवश्यकता अछि, कारण ई बहुत कठिन अछि। हम कहैत छी जे बहुत लोक भितर जएबाक प्रयास करताह, मुदा ओसब ओहिमे असमर्थ भ' जएताह।25घरक मालिक उठिक' केबाड़ी बंद कएलाके बाद अहाँ बाहर ठाढ़ भ' क' दरबाजा खटखटाएब। आ अहाँ प्रभुस' निहोरा करब आ हुनका कहब जे प्रभु, हमरासबके लेल दरबाजा खोलू!' मुदा ओ उत्तर देताह, ‘नहि, हम केबाड़ी नहि खोलब, कारण हम अहाँके ने चिन्हैत छी, आ ने जनैत छी जे अहाँ कत के निवासी छी!’26तखन अहाँ कहब, ‘अहाँ ई बात बिसरि गेल होएब जे हमसब अहाँके संग भोजन कएलहुं, आ अहाँ हमरासबके शहरके सड़कपर हमरासबके बीच प्रचार कएलहुं!’27मुदा ओ कहताह, ‘हम फेरु कहैत छी, हमरा नहि बुझल अछि जे अहाँ कत छी। अहाँसब दुष्ट लोक छी! एतस' भागू!’” 28तखन यीशु आगु बजलाह, “अहाँ अब्राहम, इसहाक आ याकूबके दूरस' देखब। बहुत पहिने जे सब प्रवक्ता छलनि ओ सेहो ओतहि रहताह जत राजाक रुपमे परमेश्वर सब किछुपर शासन करताह। मुदा अहाँ बाहर कनैत रहब आ दुखमे दांत कटकटबैत रहब!29मुदा भितर संसारक सब ठामके लोक रहत, जाहिमे बहुते गैर-यहूदी लोक सेहो रहत। सब एकसंग ओतए उत्सव मनाओत जत राजाक रुपमे परमेश्वर सबकिछुपर राज करतथि। 30एहिपर विचार करु: किछु लोक जे एखन कम महत्वपूर्ण बुझाति छथि, ओ तहिया सबस' बेसी महत्वपूर्ण होएताह, आ किछु लोक जे एखन महत्वपूर्ण बुझाति छथि, हुनकर महत्व तहिया कम होएत।”31ओहि दिन, किछु फरिसीसब आबिक' यीशुके कहलनि, “एहि क्षेत्रस' बाहर निकलि जाउ, किएकत' शासक हेरोद अन्तिपास अहाँके मारि देब चाहैत अछि!”32ओ ओकरासबके उत्तर देलनि, “जाउ ओहि खिखिरके हेरोदके कहि दिऔ जे हम कहैत छी, ओ जे सोंचैत अछि जे हमरा हानि क' सकैत अछि, मुदा वास्तवमे ओ नहि क' सकैत अछि, ई सन्देश हमरा दिसस' अछि। ‘सुनू! हम एखन दुष्टात्मासबके बाहर निकालि रहल छी। आ चमत्कार करैत रहब। आ हम किछुए कालधरि करैत रहब, तेकरबाद हम अपन काज समाप्त क' लेब।’33मुदा आबएबला दिनमे सेहो हमरा यरूशलेमके यात्रा जारी रखबाक अछि। किएकत' यहूदी अगुवा सबदिन एहि प्रकारक कामक' रहल अछि। यरूशलेमके तुलनामे कोनो आन स्थानपर प्रवक्ताके हत्या करब उचित नहि अछि।34हे यरूशलेमके लोकसब! अहाँ ओहि प्रवक्तासबके मारि देलिऐ जे बहुत पहिने जीवित रहथि। तखन अहाँ ओकरासबके मारि देलिऐ जेकरा परमेश्वर अहाँ लग पठौने छलाह। अहाँ ओकरासबपर पत्थल फेकक' मारि देलिऐ। जेना मुर्गी अपन बच्चाके पांखिके निचा जमा करैत अछि, हम अहाँके रक्षाके लेल कतेको बेर अहाँसबके जमा करए चाहैत छलहुं। मुदा अहाँ नहि चाहैत छलहुं जे हम एना करी।35देखू! हे यरूशलेमके लोकसब, प्रभु आब अहाँके रक्षा नहि करताह। हम ईहो कहब जे हम एकबेर आओर अहाँके शहरमे प्रवेश करब। तेकरबाद जाधरि हम नहि घुरब ताधरि हमरा नहि देखब, तखन हमरा विषयमे कहब जे परमेश्वर ओहि आदमीके आशीर्वाद देथिन जे परमेश्वरके नामके अधिकार ल' क' अबैत छथि!'”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.