2 Corinthians4

1ओहि बातसबके कारण, आ परमेश्वर दयापूर्वक हमरासबके एहि नव करारक अनुसार सेवा कर' मे सक्षम बनौलनि, एहिलेल हमसब हारि नहि मानैत छी।2बल्कि हमसब एहन व्यवहार करएस' अस्वीकारक' दैत छी जाहिस' हमरासबके लजाएके अवस्था नहि आबि सकए। हमसब दोसरके धोखा देब' के कोशिस नहि करैत छी, आ परमेश्वरक सन्देशके बदलबाक कोशिस नहि करैत छी। बल्कि, हमसब ओहि सत्य सन्देशके घोषणा करैत छी, आ लोकसबके विवेकमे साबित करैत छी जे परमेश्वर हमरासबपर भरोसा करैत छथि।3वास्तवमे, जे सुसमाचार हमसब घोषणा करैत छी, ताहिके ओ लोकसब नहि बुझति छथि जे नाश भ' रहल छन्हि।4 संसारपर राज करएबला शैतान एहि समय एहि अविश्वासी लोकसबके विश्वास नहि करएलेल समझ बंद कएने अछि। ओहि तरहें, महिमामय मसीहक विषयमे सुसमाचार, जे परमेश्वर केहन स्वरुप छथि से प्रगट करैत अछि, ओकरासबके नहि बदलैत अछि।5मसीहक विषयमे सुसमाचार अछि, हम ई एहिलेल घोषणा करैत छी जे हमसब दोसर लोकके अपने विषयमे नहि कहैत छी। बल्कि, हम हुनकासबके कहैत छी यीशु मसीहक विषयमे, जे प्रभु छथि, आ हुनकरे कारण हमसब अहाँसबके सेवक छी।6 हमसब एना एहिलेल करैत छी जे ओ परमेश्वरे छथि जे ई कहलनि, “जे अन्हार अछि, से इजोत भ' जाएत।” ओ हमरासबके ई सत्यके बुझएमे सक्षम बनौने छथि जे ओ कतेक महिमामय छथि, जेना ओ हमरासबके हृदयपर कोनो इजोत चमका देने होथि। यीशु मसीहद्वारा परमेश्वर ई प्रगट कएने छथि।7हमसब एहि अद्भुत बातसबके अनुभव आ घोषणा करैत छी, मुदा हमसब स्वयं कमजोर आ बेकार छी। एहिनाक' ई बात स्पष्ट अछि जे हमसब नहि, ओ परमेश्वर छथि जे एहिसब धनसबके बहुत शक्तिशाली बनबैत छथि।8हमसब बहुते कठिन बातके अनुभव करैत छी। लोकसब हमरासबके सतबैत अछि, मुदा हमरासबपर हावी नहि अछि। एहिपर की करब से हमसब तय नहि कएने छी, मुदा हमसब हारि नहि मानि रहल छी।9लोक हमरासबके नोक्सान पहुंचएबाक प्रयास करैत अछि, मुदा परमेश्वर हमरासबके एसगरे नहि छोड़ैत छथि। लोक हमरासबके विरुद्ध काज करैत अछि, मुदा हमरासबके नहि हराबि सकैत अछि।10हमरासबके लगातार शरीरमे कष्ट होइत अछि, ठीक ओहिना जेना यीशु भेल छलाह। तहिना परमेश्वर हमरासबके जीवित उठौताह, ठीक ओहिना जेना ओ यीशुके जीवित उठएलनि।11वास्तवमे, जाधरि हमसब जीवित छी, परमेश्वर हमरासबके यीशुक कारण लगातार कष्ट भोगए दैत छथि। एहि तरहें, जं हमसब मरि जाएब त' परमेश्वर हमरासबके शरीरके ओहिना जीवित करताह जेना ओ यीशुके जीवित उठएलनि।12जेना की अहाँ देख सकैत छी परमेश्वर हमरासबके कष्ट भोगए दैत छथि, मुदा ओ अहाँके जीवित क' देताह।13 आब हमसब आत्मामे परमेश्वरपर भरोसा करएबला लोक छी, ठीक ओहिना जेना ओ व्यक्ति जे भजनमे लिखने छथि, “कारण हमसब परमेश्वरपर भरोसा कएलहुं, तएं हमसब बजलहुं।” कारण हमसब सेहो परमेश्वरपर भरोसा करैत छी, तएं हमसब बजबो करैत छी।14हम ई एहिलेल करैत छी जे हमसब जनैत छी जे प्रभु यीशुके जीवित बनौलनि, तएं ओ हमरासबके सेहो जीवित बनौताह। त' हमसब प्रभु यीशुक संग आ अहाँके संग परमेश्वरक समक्ष उपस्थित भ' जाएब।15हम ओ सबटा काज अहाँके मदतिलेल करैत छी। एहि तरहें परमेश्वर बेसी लोकपर दयावान होएताह। तखन, लोकसब परमेश्वरके बेसीस' बेसी धन्यवाद देत, जाहिस' परमेश्वरके सम्मान भेटत।16तएं, हमसब हारि नहि मानैत छी। बल्कि हमरासबहक किछु हिस्सा जे नाश होइत लोक देखैत अछि, परमेश्वर हमरासबहक ओहि हिस्साके मजगूत क' रहल छथि जे लोकसब सबदिन नहि देख सकैत अछि।17हमसब हारि नहि मानैत छी किएकत' जखन हमसब अस्थायी आ तुच्छ ढंगस' कष्ट उठाएब त' ओ हमरासबके अनन्त आ महिमापूर्ण ढंगस' चमका देताह जेकर कल्पना धरि नहि क' सकैत छी।18एहिलेल, जे देखैत छी ताहिपर ध्यान देबाक बदला जे नहि देखैत छी ताहिपर ध्यान दैत छी। एकर कारण अछि जे हमसब नहि देखैत छी से सदाके लेल रहत, मुदा जे हमसब देखैत छी से बिला जाएत।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67