2 Corinthians5
1 वास्तवमे हमसब जनैत छी जे एहि धरतीपर हमरासबके शरीर मरि जाएत। ई ओहि डेरा जकां अछि जेकरा लोक छोड़िक' चलि जाइत अछि। ओना परमेश्वर हमरासबके नव शरीर देथिन जे अनन्तकालधरि जीवित रहत। ओ ओहि भवन जकां होएत जे परमेश्वर स्वर्गीय स्थानसबमे बनबैत छथि।2वास्तवमे, जेना हमसब एहि शरीरमे रहैत छी, हमसब शोक करैत छी। हमसब तृष्णा करैत छी जे परमेश्वर हमरासबके नव शरीर देथि, जेना ओ हमरासबके नव वस्त्र पहिरा रहल होथि। ई नव शरीर ओहि भवनसबके समान होएत जे परमेश्वर हमरासबके स्वर्गस' दैत छथि।3जखन-कखनो अपन नव शरीर भेटत तखन ओ वस्त्र जकां भ' जाएत जे हमरासबके नंगटे रहबास' बचबैत अछि।4संगहि, जखन हमरासबलग रहल ई शरीर डेरा जकां अछि, त' हमसब शोक करैत छी, आ ई शरीर जीवनके कठिन बना दैत अछि। ताहि कारणे एहन नहि जे हमसब बिना शरीरक रहए चाहैत छी, जे बिना वस्त्र रहब जकां होएत। बल्कि हमसब नव शरीर प्राप्त करए चाहैत छी, जे नव कपड़ा पहिरब जकां होएत। एहि तरहें मरबाक आशा करबाक बदला हमसब सदाके लेल जीवित रहब।5परमेश्वरे छथि जे हमरासबके एहि नव शरीरक लेल तैयार करैत छथि। ओ हमरासबके पवित्र आत्मा देलनि, जे ई दर्शबैत अछि जे ओ हमरासबके ओ सबकिछु सेहो देथिन जे ओ प्रतिज्ञा कएने छथि।6तखन, परमेश्वर की देताह ताहिपर हमरासबके सदिखन आश्वासन भेटैत अछि। संगहि, हमसब जनैत छी जे जाधरि अपनासब लग ई शरीर अछि, हमसब प्रभु यीशुक संग नहि छी।7वास्तवमे, हमसब एहन व्यवहार करैत छी से एहिलेल नहि करैत छी जे हमसब हुनका देखैत छी, बल्कि एहिलेल जे हमसब प्रभु यीशुपर भरोसा करैत छी।8जेना हम कहलहुं परमेश्वर हमरासबके की देताह ताहिपर हमसब विश्वस्त रहैत छी। संगहि, हमसब अपन शरीरक बिना प्रभु यीशुक संग रहबाक लेल चुनाव करब।9तखन हमसब हुनकासंग रहू वा नहि, प्रभु यीशुके प्रसन्न करबाक प्रयास करैत छी।10 आ हम ई एहिलेल करैत छी जे हमरासबके मसीहके आसन समक्ष उपस्थित होबए पड़त आ ओ निर्णय लेताह जे हमरासबमेस' के भला कएने छी वा गलत। तखन, मसीह हमरासबके एहि शरीरसबमे रहैत जे काज हमसब कएलहुं ओकर अनुपातमे ओ देथिन जेकर हमसब हकदार छी।11तखन, किएकत हमसब एहि बातके आशा करैत छी जे प्रभु यीशुके भयके की माने होइत अछि, एहिलेल हमसब दोसरके हुनकर भय मानएलेल मनबैत छी। परमेश्वर जनैत छथि जे हमसब विश्वासयोग्य छी, आ हम चाहैत छी जे अहाँसब ई एहि बातके अपन विवेकमे जानि लिअ जे हमसब विश्वासयोग्य छी।12हम अहाँसबके दोसर बेर साबित नहि क' रहल छी जे हमसब विश्वासयोग्य छी। बल्कि हम अहाँसबके हमरासबके विषयमे नीक-नीक बात कहएमे सक्षम बना रहल छी। एहि तरहें अहाँसब जे केओ नीक बात कहत ओकर जबाब द' सकैत छी जे लोक बाहरस' केहन अछि से नहि, बल्कि लोकसब भितर आत्मामे केहन अछि।13तएं जखन हमसब बताह देखाइ दैत छी तखन परमेश्वरक सेवा क' रहल छी। जखन हमसब सामान्य रुपमे सोंचैत देखाइत छी त' हमसब अहाँके सेवा क' रहल छी।14ओ बातसब ठीक अछि किएकत' मसीह हमरासबस' प्रेम करैत छथि, आ इएह हमरासबके एहि तरहें काज करबाक लेल मार्गदर्शन करैत अछि। हमसब जाहि ढंगस' सोंचैत छी जे ई ओएह व्यक्ति छथि जे अर्थात्, मसीह लोकसबके बचाबएलेल मरि गेलाह। ताहि कारण एना बुझाति अछि जेना सब मरि गेल।15संगहि, एहिलेल ओ लोकसबके उद्धार करबाक लेल मरि गेलाह। एहि तरहें जे आत्मिकरुपस' जीवित छथि, आब ओ काज नहि करताह जे ओ करए चाहैत छथि। बल्कि, ओसब ओहिना करताह जेना मसीह चाहैत छथि, किएकत' ओ हुनकासबके बचाबएलेल मरि गेलाह आ परमेश्वर हुनका फेरुस' जीवित क' देलनि।16ओहि सबहक कारण आब हमसब विशुद्ध मनुष्यके दृष्टिस' केकरो विषयमे नहि सोंचैत छी। ठीके, भलेहि हमसब कहियो मसीहक विषयमे विशुद्ध मानवीय शब्दमे सोंचैत छलिऐ, मुदा आब ओकरा विषयमे ओहि प्रकारस' नहि सोंचैत छी।17 एहिलेल फेरु, जखन-कखनो परमेश्वर लोकसबके मसीहक संग एकजुट करैत छथि, तखन ओ ओकरासबके नव लोक बना दैत छथि। पहिने जे छलाह से आब खतम भ' गेल अछि। देखू, एहि समयमे जे छथि से किछु नव अछि!18ईसब वस्तु हमरासबके परमेश्वरे दैत छथि। मसीहक माध्यमस' काज क' क' ओ हमरासबके हुनकासंग मेल-मिलापमे रहबाक योग्य बना देने छथि। एहिके संगहि परमेश्वर हमरासबके सेवा करबाक लेल सशक्त करैत छथि किएकत' दोसर लोकसब सेहो हुनकासंग रहि सकए।19ओ जे काज करैत छथि, परमेश्वर मसीहक माध्यमस' संसारके प्रत्येक व्यक्तिके हुनकासंग मेल-मिलापमे रहबाक लेल सक्षम बनाबएमे काज करैत अछि। एना करैत ओ लोकक दुष्टकाज माफ क' दैत छथि। एकर अतिरिक्त, परमेश्वर हमरासबके आज्ञा दैत छथि जे दोसर लोकसबके कहल जाए ओसब परमेश्वरक संग कोना रहि सकैत छथि।20 कारण परमेश्वर हमरासबके आज्ञा देने छथि, हमसब मसीहक राजदूत करैत छी। तएं परमेश्वर हमरासबहक माध्यमस' दोसरो व्यक्तिके प्रोत्साहित करैत छथि। जखन हम अहाँसबस' सुसमाचारपर विश्वास करबाक लेल आग्रह करैत छी जाहिस' अहाँसब सेहो परमेश्वरक संग मिलापमे रहब, तखन हमसब मसीहक लेल बजैत छी।21यीशु पाप नहि कएने छलथि। तथापि, हमरासबके लेल परमेश्वर हुनकासंग एहन व्यवहार कएलनि जेना ओ पाप होथि। एकर परिणाम स्वरुप परमेश्वर हमरासबके यीशुक संग एकठाम क' क' धर्मी बनबैत छथि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.