2 Corinthians3

1हमसब दोसर बेर अहाँ समक्ष साबित नहि करए जा' रहल छी जे हमसब विश्वासयोग्य छी। जेना अहाँसब जनैत छी जे अहाँके कोनो एहन पत्र लिखबाक वा प्राप्त करबाक आवश्यकता नहि अछि जे साबित क' सकए हमसब विश्वासयोग्य छी, भलेहि अहाँके दोसरके लेल ओ काज करबाक जरुरति होअए।2अहींसब छी जे हृदयपर लिखल पत्र जकां काज करैत छी एहिस' ई सिद्ध होइत अछि जे हमसब विश्वासयोग्य छी। जखन हमसब एक-दोसरके देखभाल करैत छी तखन सबगोटेके बुझएमे आबि जाएत जे हमसब विश्वासयोग्य छी, जेना ओसब अहाँके कोनो पत्र पढ़ि रहल होथि।3 सबगोटे जनैत अछि जे अहाँसब एकटा पत्र जकां छी जे मसीह लिखने छथि आ जे सेवा हमसब पहुंचा देलहुं। मसीह सियाही ल' क' पत्थलक पाटीपर ई पत्र नहि लिखने छलाह। बल्कि, एना बुझाति अछि जेना ओ पवित्र आत्माके माध्यमस' हृदयके मासु रुपी पाटीपर लिखने छथि, जे एकमात्र जीवित वास्तविक परमेश्वर छथि।4हम ओ बात एहिलेल कहैत छी जे हमसब निश्चिन्त छी जे परमेश्वर हमरासबहक विषयमे की सोंचैत छथि। आ हमसब निश्चिन्त छी कारण मसीह हमरासबके निश्चिन्त करैत छथि।5ओना त' हम स्वयं सुसमाचारक घोषणा नीक जकां नहि क' सकैत छी, आ हम ई नहि सोंचैत छी जे हम जे किछु नीक काज करैत छी से हमरा कारणे अछि। बल्कि, ई परमेश्वर छथि जे हमरा नीक जकां सुसमाचारक प्रचार करएमे सक्षम बनबैत छथि।6 ओ नव करार देलाक कारण हमरासबके सेवाके काज करबामे फेरुस जीवित बनौने अछि। पवित्र आत्मा ई नव करार प्रदान कएने छथि, तएं ई खाली शब्द नहि अछि जे केओ लिख देने अछि। ई महत्वपूर्ण एहिलेल अछि, जे केओ पवित्र आत्मापर भरोसा करत ओ जीवित रहत, मुदा जे केओ लिखल शब्द पर भरोसा करत ओ मरि जाएत।7 एहिके बाहेक, जखन मूसाक ओ पुरना करार जे लोकसबके मृत्युदण्डके लेल दोषी ठहरबैत छल जे परमेश्वर ओहि करारक वचनसब पत्थलक पाटीपर खोधि देलनि। मूसा जे सेवा कएलनि, ओ एतेक महिमामय छल जे इजराएलीसब हुनक चेहरा धरि नहि देख सकैत छल, किएकत' ई ओहि बातके दर्शबैत छल जे परमेश्वर कतेक महिमामय छथि, ओना ओ महिमा अन्तमे बिलाइते चलि जाइत अछि।8तएं जखन लोक पवित्र आत्माके नव करारक प्रावधान अनुसार सेवा करैत अछि, तखन ई आओर महिमामय भ' जाइत अछि।9वास्तवमे जखन मूसा लोकसबके दोषी ठहराबएलेल पुरना करार जे परमेश्वरद्वारा निर्देशित छल सेवा कएलनि तखन ई महिमामय छल। तएं जखन लोकसब ओहि नव करारक अनुसार जे लोकक नेतृत्व करैत अछि, धर्मी लोक बनएलेल काज करैत अछि, तखन ओ आओर महिमामय भ' जाइत अछि!10 वास्तवमे नव करार एतेक महिमामय अछि, जाहिस' महिमामय पुरना करार महिमामय बुझएबे नहि करैत अछि।11वास्तवमे जे पुरना करार बितैत जाइत छल से महिमामय छल। तएं आब, नव करार जे सदाके लेल रहत, ओ आओर महिमामय भ' गेल अछि!12तएं हमसब एहि महिमामय वस्तुके प्राप्त करबाक लेल सहासपूर्वक अपेक्षा करैत छी, ताहिके लेल हमसब सहासिक व्यवहार करैत छी।13 हमसब मूसा जकां नहि छी जे अपन मुंह नुकएबाकलेल झांपि लेलनि। एहि तरहें इजराएलीसब ई नहि देख सकल जे कोना हुनकर चेहरापर परमेश्वर कतेक महिमामय छथि।14परमेश्वर की प्रगट कएने छथि से वास्तवमे, इजराएली लोकसब ई नहि बुझि सकल छल। एहि समयमे सेहो जखन केओ ओ शास्त्र पढ़ैत अछि जाहिमे पुरना करार भेटैत अछि, एना बुझाति अछि जेना मूसा जे पर्दा लगा देने छलाह से लोकके एकरा बुझएमे रोकैत छल, एकर कारण छल जे जाधरि परमेश्वर ओकरा मसीहक संग एकजुट नहि क' दैत छै, ताधरि ई पवित्र शास्त्रके' केओ नहि बुझि सकैत अछि।15वास्तवमे एहि समयमे सेहो जखन केओ ओहि मूसाक व्यवस्था पढ़ैत अछि त' लगैत अछि जेना ओकरासबके मनपर पर्दा लोकसबके बुझएमे रोकैत अछि।16 ओना, जखन लोकसब प्रभु पर विश्वास करब शुरु करैत छथि, तखन परमेश्वर हुनकासबके मूसाक व्यवस्थाके समझ' मे सक्षम करैत अछि, मानि लिअ जे हुनक पर्दा हटा देल गेल होइक।17जखन हम प्रभु परमेश्वरक बात करैत छी त' हमर माने पवित्र आत्मास' रहैत अछि। पवित्र आत्मा लोकसबके पवित्र शास्त्र समझएमे सक्षम बनबैत अछि।18तएं हमसब विश्वासी लोक प्रभु परमेश्वर कतेक महिमित छथि से प्रगट करैत छी, आ अपन चेहरा पर्दास' झपनहि बिना हमसब ई काज करैत छी। परमेश्वर हमरासबके बदलि रहल छथि जाहिस' हमसब मसीह जकां बनि सकब। एहि तरहें महिमाके प्रभु जे पवित्र आत्मा छथि, हमरासबके सेहो महिमित बना दैत छथि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67