Romans1

1पौलुसक दिसस' जे यीशु मसीहके सेवक छी, हुनका प्रेरित होएबाक लेल बजाओल गेल रही आ परमेश्वरक सुसमाचार प्रचार करबाक लेल चुनल गेल रही।2जे ओ अपन प्रवक्तासबद्वारा पवित्र शास्त्रमे पहिनहिस' प्रतिज्ञा कएने रहथि,3अपन पुत्र, हमर प्रभु यीशु मसीहक विषयमे कहने रहथि, शरीरक रुपस' हुनकर जन्म राजा दाऊदके वंशस' भेल रहनि।4पवित्र आत्मा अपन सामर्थ्यस' मृत्यु पश्चात जीवित क' प्रभु यीशु मसीहके परमेश्वरक पुत्र घोषित कएने रहथि।5हमरासबके हुनकाद्वारा अनुग्रह आ प्रेरित भेटल जाहिस' सब जातिके लोक हुनकर नामक लेल हुनकापर विश्वास करथि आ हुनकर आज्ञा मानथि।6अहाँसब सेहो हुनकासबहक बीचस' यीशु मसीहक लेल बजाओल गेल छी।7रोम शहरमे जे सब परमेश्वरके पवित्र आ प्रिय लोक, अपनासबके पिता परमेश्वर आ प्रभु यीशु मसीहद्वारा अहाँसबके कृपा आ शान्ति मिलैत रहए।8सबस' पहिने हम अहाँसबहक लेल यीशु मसीहद्वारा अपन परमेश्वरके धन्यवाद दैत छी, किएकत' अहाँसबके विश्वासक प्रशंसा संसारे भरि भ' रहल अछि।9परमेश्वर, जिनकर सेवा हम हुनकर पुत्रक सुसमाचारमे अपन आत्मास' करैत छी, ओएह हमर गवाह छथि जे हम अहाँसबके लेल सदैव अपन प्रार्थनामे स्मरण करैत रहैत छी।10आ हम सदिखन प्रार्थना करैत छी जे कोनो तरहें अहाँ लग आबए के हमर यात्रा आब परमेश्वरक इच्छास' सफल होअए।11कारण हम रोम आबिक' अहाँस' भेट करबाक तृष्णामे छी जाहिस' हम अहाँके किछु आत्मिक वरदान द' सकी, जे अहाँसब विश्वासमे स्थिर भ' सकी,12अर्थात् जखन हम अहाँसबके बीच रोममे रहब तखन हमरासबमे आ अहाँसबमे जे विश्वास अछि, ताहिस' एक-दोसरके प्रोत्साहित करी।13संगी-विश्वासी भाइसब, हम नहि चाहैत छी जे अहाँसब अनभिज्ञ रहू, जे हम बेर-बेर अहाँसबलग आबए चाहैत छलीह, जाहिस' अहाँसबके ओहिना फल भेटए जेना आओर गैर-यहूदीके भेटल रहए, मुदा एखनधरि हमरा रोकल गेल अछि।14हम यूनानी, गैर-यहूदी, बुद्धिमान आ निर्बुद्धि सबके ऋणी छी।15तें हम रोममे रहनिहार अहाँसबके सेहो सुसमाचार प्रचार करबाक लेल पूर्णरुपस' तैयार छी।16किएकत' हम सुसमाचारस' नहि लजाइत छी, तें विश्वास करएबलाके लेल पहिने यहूदीसबके लेल तब गैर-यहूदीसबके लेल उद्धारके लेल परमेश्वरके सामर्थ्य छन्हि। 17परमेश्वरक धार्मिकता हुनकामे विश्वास आ विश्वासक कारणे प्रगट होइत छनि। जेना धर्मशास्त्रमे लिखल अछि, “धर्मी विश्वासस' जीवित रहत।” 18परमेश्वरक क्रोध स्वर्गस' प्रगट होइत अछि जे सत्यके दबाओल अधर्मके विरुद्ध अछि।19कारण परमेश्वरक ज्ञान लोकसबके हृदयमे प्रगट होइत छनि, जे परमेश्वर स्वयं ओकरासबके ई प्रगट कएलनि अछि।20ई सत्य अछि किएकत' लोक परमेश्वरक ओहि अलौकिक गुणसबके स्पष्टरुपस' देख सकैत अछि जेकरा ओ अपन आंखिस' नहि देख सकैत अछि। ई गुण अछि परमेश्वरक अनन्त सामर्थ्य आ ई तथ्य जे ओ परमेश्वर अछि। लोकक एहि बातके बुझि सकैत अछि जखनस' परमेश्वर जे एहि जगतके सृष्टि कएलनि। परमेश्वरक बनौलनि गेल वस्तुसबके बुझि गेल अछि। एहि कारणस', लोकसबलग परमेश्वरक अस्तित्व स्वीकार नहि करएलेल कोनो बहाना नहि अछि। 21लोक स्वयंके माफ नहि क' सकत किएकत' ओ हुनका परमेश्वरक रुपमे आदर नहि देत, मुदा ओ जनैत अछि केओ अस्तित्वमे अछि। ओ हुनका धन्यवाद दिअस' अस्वीकार करैत अछि। एकर उनटा, ओ व्यर्थ वस्तुपर विचार करैत अछि, आ ओ आत्मिक वस्तु समझमे असमर्थ अछि।22मुदा ओ दाबी करैत अछि केओ बुद्धिमान अछि, ओ वास्तवमे मूर्ख अछि। 23ओ अविनाशी परमेश्वरके महिमा करब छोड़िक' एकर उनटा नश्वर लोकसबके, चिड़ैसबके, चारि टांगबला जानबरसबके आ रेंगएबला जानबरके मूर्तिसबके पूजा क' क' महिमा करैत अछि। 24एकर परिणाम स्वरुप, परमेश्वर एहि लोकसबके ओ मन सोंचने काम करए दैत अछि जे ओ करए चाहैत अछि, जाहिस' ओ आत्मिकरुपस' अपवित्र भ' जाए आ एक-दोसरके संग अनैतिक कुकर्मके कारण अपन शरीरके अपमान करए।25ई लोक परमेश्वरक विषयमे सत्यके मानल बंद क' देत अछि आ एकर उनटा मूर्तिसबके विषयमे असत्यपर विश्वास करैत अछि। ओ ओहि वस्तुसबके भयपूर्ण रुपस' आराधना करैत अछि जेकरा परमेश्वर बनौने अछि, बदलामे परमेश्वरके जे ओहि वस्तुसबके बनाबएबला अछि। ओ ओएह परमेश्वर छथि जिनका लोक सदिखन प्रशंसा कएल जाएके चाही! एहिना होए! 26किएकत' ई लोक एहन करैत अछि, परमेश्वर ओकरा ओ अपमानजनक काम करए देत अछि जेकरा ला ओ तीव्र इच्छा रखैत अछि। उदाहरणक लेल, हुनक महिला प्राकृतिक यौन कृत्य के छोड़ि देत अछि पुरुषसबके संग आ एकर बदलामे महिलासबहक संग अप्राकृतिक यौन कृत्य करैत अछि।27एहि तरहें, पुरुष सेहो महिलासबके संगे प्राकृतिक सम्बन्धमे रहनाइ छोड़ि दैत अछि आ एक-दोसरपर तीव्र वासना रखैत अछि। ई पुरुष एक-दोसरके संगे शर्मनाक शारीरिक कृत्य करैत अछि। ओसब अपने शरीरमे जाहिके योग्य अछि से दण्ड परमेश्वरस' पएने अछि। परमेश्वर ओकरा दण्डित करत किएकत ओ प्राकृतिक शारीरिक कृत्य के विकृत करैत अछि। 28किएकत' ई लोकसब ई बुझलक की परमेश्वरक मानल बेकार अछि, परमेश्वर ओकरा एहन क' देलक की ओकर मन सेहो बेकार भ' गेल। एकर परिणाम स्वरुप, ओ अनुचित काम करए लागल।29ई लोकसब प्रकारक अधर्म, दुष्टता, लालच, आ द्वेषक विचारस' पूर्ण रीतिस' नियन्त्रित अछि। ओ ईर्ष्या करए, केकरो जीवन लए, बहस करए, धोखा दिए आ दोसरके विरुद्ध अधलाह काज करएलेल पूर्णरुपस' तैयार अछि। ओ दोसरके विषयमे रहस्य उजागर करैत अछि।30ओ दोसर लोकसबके हानि करैत अछि। ओ परमेश्वरस' घृणा करैत अछि। ओ हिंसक काज करैत अछि। ओ स्वयंके बेसी महत्व देत अछि31ई लोक नैतिकरुपस' मूर्ख अछि। ओ जे प्रतिज्ञा करैत अछि, ओकरा पूरा नहि करैत अछि। ओकरा दोसरक वास्ता नहि होएत अछि। ओ दोसर पर दया नहि देखबैत अछि।32ई लोक पूरा तरहें बुझति अछि की परमेश्वर धार्मिक रीतिस' ई घोषित कएने अछि की जे लोक एहन अनुचित काम करैत रहैत अछि, ओ आत्मिकरुपस' मरलाके योग्य अछि। तथापि ओ नहि खाली ओहि अनुचित काजसबके करैत रहैत अछि, बल्कि ओ एहन काज करएबलाके खुशी-खुशी प्रशंसा सेहो करैत अछि!

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67