Romans2
1एहि तरहें, जखन अहाँ दोसरके दोष लगाबए छी, त' अपनेके दोषमुक्त नहि भ' सकैत छी किएकत' अहाँ दोषी छी; ई अहीं लेल अछि किएकत' जखन अहाँ केकरो आओर के दोष लगबैत छी, त' वास्तवमे अहाँ स्वयंके दोषी मानैत छी, किएकत' अहाँ ओएह काज करैत छी जे ओ करैत अछि2हम निश्चितरुपस' जनैत छी की जे लोक एहि तरहें के अधलाह काज करैत रहैत अछि, ओकरा प्रति परमेश्वर सत्य न्यायी करथि।3अहाँ जे ओकरासबके दोष लगबैत छी जे एना अधलाह काज करैत अछि, जखन की अहाँ ओएह काज करैत छी, की अहाँ ई सोंचि सकैत छी की जखन परमेश्वर अहाँके न्याय करताह त' अहाँ बंचि सकैत छी?4अहाँ जे परमेश्वरक अनन्त कृपा, सहनशीलता, आ धैर्यके अनादर करैत छी, की अहाँ ई नहि जनैत छी की परमेश्वरक दया अहाँके पश्चातापके दिस ल' जएबाक चाहैत अछि?5मुदा, अहाँ हठी छी आ मन परिवर्तन करएस' मना करैत छी, एहि कारण अहाँ परमेश्वरके आओर बेसी दण्डके अपनालेल बढ़बैत छी। ई तखन होएत जखन परमेश्वर पापीके सजाय देथिन आ अपन निष्पक्ष न्यायके प्रगट करताह।6परमेश्वर सबटा लोकके ओकर कामके अनुसार प्रतिफल देथिन। 7अनन्त जीवन हुनकालेल इनाम अछि जे परमेश्वरक महिमा, आदर, आ अमरताके लेल सदिखन नीक करैत अछि।8एकर उनटा, परमेश्वर हुनकालेल कठोर दण्ड देत जे अधर्मी अछि आ सत्य आ धर्मके पालन करएस' मना करैत अछि।9कोनो मनुष्य जे अधलाह करैत अछि ओकरा दुख आ विपत्तिके सामना करए पड़त। ई विशेषरुपस' पहिने यहूदीसबके लेल होएत जे अधलाह करैत अछि आ तेकरबाद गैर-यहूदीसबके लेल जे एना करैत अछि।10एकर उनटा, परमेश्वर ओहि लोकसबके चाहे ओसब यहूदी होइक वा आन जाति ओकरासबके महिमा, आदर आ शान्ति प्रदान करथि जे नीक करैत अछि।11ई बात ठीक अछि किएकत' परमेश्वर केकरोलेल न्यायमे पक्षपात नहि करैत अछि। 12हम जनैत छी किएकत' जे लोक पाप करैत अछि आ यहूदी व्यवस्थाके विषयमे नहि बुझति अछि, परमेश्वर हुनका दोसर ढंगस' दण्डित करथि। आ संगे, जे लोक ई यहूदी व्यवस्था जनितो पाप करैत अछि, ओ ओहि व्यवस्थाके जकां न्याय कएल जाएत।13परमेश्वर सबके न्याय करथि किएकत' परमेश्वर मात्र ओकरे धर्मी नहि ठहराओत जे मात्र हुनकर व्यवस्था सुनैत अछि। बल्कि, परमेश्वर ओकरो धर्मी ठहरओत जे हुनक व्यवस्थाके पालन करैत अछि।14परमेश्वर सबहेगोटेके न्याय करताह किएकत' जखन कोनो आन जाति जे यहूदी व्यवस्था नहि जनैत अछि, स्वभाविक रुपस' ओहि व्यवस्थामेस' किछु नियमके पालन करैत अछि, ई सिद्ध करैत अछि जे ओ अपने मनमे व्यवस्थाके ज्ञानके जनैत अछि, ओना ओ परमेश्वरक व्यवस्थाके नहि जनैत होअए।15एहन लोक ई मानैत अछि जे परमेश्वर देने व्यवस्थाके ज्ञान ओकरासबके हृदयमे अछि। हुनकर इच्छा ई देखबैत अछि जे इहे सत्य अछि, किएकत' हुनका विवेक हुनकर काज या त' दोष लगबैत अछि वा ओ सही मानैत अछि।16जखन परमेश्वर एहि गुप्त बात सबके न्याय करताह जेहन लोक सोंचैत अछि ओ सुसमाचार जेकर हम प्रचार करैत छी ई सिखबैत अछि जे ओ न्याय मसीह यीशुद्वारा करताह।17आब, जे स्वयंके यहूदी कहबैत छी: अहाँ ओहि व्यवस्थाके जे परमेश्वर अहाँके देलक ताहिपर निर्भर करैत छी की अहाँ परमेश्वरके न्यायस' बंचि जाएब। अहाँ ओहिना कहैत छी जे अहाँ परमेश्वरके जनैत छी।18अहाँ बुझति छी जे परमेश्वर की चाहैत छथि। किएकत' केओ अहाँके परमेश्वरक नियम सिखऔने अछि, अहाँ महान बातके मानैत छी।19अहाँ इहो विश्वास क' लेने छी जे अहाँ ओ छी जे दोसर जातिसबके सिखा सकैत छी जे परमेश्वरके नहि जनैत अछि। अहाँ स्वीकार कएने छी केवल अहाँ अपरिचित समझा सकैत छी की परमेश्वरके छथि।20अहाँ मूर्ख लोकके सिखा सकैत छी। अहाँ ओकरा सिखा सकैत छी जे बालवोध जकां अज्ञानी छथि। किएकत' अहाँ ओहि मूसाके व्यवस्थाके जनैत छी जे परमेश्वर यहूदीसबके देलथिन, जे हमरासबके ज्ञान दैत अछि जे सत्य की अछि।21तएं अहाँके स्वयंके ई प्रचार करए पड़त जे अहाँ दोसरके प्रचार करैत छी अहाँ दोसरस' कहैत छी जे चोरी नहि करु, मुदा अहाँ स्वयं चोरी करैत छी! 22अहाँ लोकसबस' कहैत छी जे व्यभिचार नहि करु मुदा अहाँ एना स्वयं करैत छी! अहाँ मूर्तिस' घृणा करबाक नाटक करैत छी, अहाँ ओहि मन्दिरके लुटैत छी जाहिमे मूर्ति अछि!23अहाँ ओहि व्यवस्थाके विषयमे बात मारए छी, परमेश्वरके अपमान करए छी ओहि व्यवस्थाके उल्लंघन क' क'!24ई बात सांच अछि किएकत' प्रवक्ता यशायाहके मतलब ई छल जखन ओ पवित्र शास्त्रमे ओ लिखलनि, “किएकत' अहाँ यहूदीसबहक दुष्ट व्यवहारके कारण, गैर-यहूदी लोकसब परमेश्वरक प्रति निन्दाजनक बात बजैत अछि।” 25अहाँ जे यहूदी पाप करैत छी ओकर न्याय कएल जाएत किएकत' अहाँक खतना तखने लाभदायक होएत जं अहाँ व्यवस्थाके पालन करैत छी जे परमेश्वर देलनि अछि। मुदा, जं अहाँ ओहि व्यवस्थाके उल्लंघन करैत छी त' खतनाक कोनो लाभ नहि अछि। 26तखन, जं गैर-यहूदी लोकसब ओहि नियमके पालन करैत छथि जे परमेश्वर यहूदीसबके देलनि, तखन परमेश्वर ओहि गैर-यहूदीसबके खतनारहित मानताह जखन ओ खतना नहि कएल गेल छथि।27आ जे लोक शारीरिक रुपस' खतना नहि करैत अछि मुदा परमेश्वरक व्यवस्थाके पालन करैत अछि, ओ अहाँक न्याय करत। यद्यपि अहाँ लिखित कानून जे परमेश्वर यहूदीसबके देलनि जनैत छी आ खतना नहि कएल गेल अछि, मुदा अहाँ ओहि व्यवस्थाके उल्लंघन कएने छी!28ई सत्य अछि किएकत' असल यहूदी ओ नहि होइत अछि जे केवल बाहरी रुपस' यहूदी परम्पराक पालन करैत अछि। तहिना, सही खतना कोनो एहन वस्तु नहि अछि जे लोक बाहरी शरीरपर देख सकैत अछि।29बल्कि असल यहूदी ओ होइत अछि जेकर यहूदीपन भितरस अबैत अछि। असल खतना मनके होएत अछि आ पवित्र आत्मा ओकरा करैत छथि। जे लिखित व्यवस्था परमेश्वर यहूदीसबके देलथिन ओ एना नहि क सकैत छथि। परमेश्वर असली यहूदीसबहक प्रशंसा करैत छथि, मुदा लोक नहि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.