Acts28
1जखन हमसब सुरक्षित तटपर पहुंचलहुं त' जानकारी भेल जे ओहि द्वीपके नाम माल्टा अछि।2ओहि द्वीपके गैर-यहूदी स्थानीय लोकसब हमरासबके साधारण दया नहि, मुदा सदैव वर्षा आ जाढ़क कारणे आगि तपएलक आ हमरासबके स्वागत कएलनि।3मुदा जखन पौलुस जरनाके एकटा बोझा बटोरिक' आगिपर राखि देलकनि तखन गर्मीके कारणे एकटा सांप निकलिक' हुनका हाथपर लेपटा गेल।4जखन ओहि ठामके गैर-यहूदी स्थानीय लोकसब हुनका हाथपर सांप लटकल देखलनि त' ओसब एक दोसरास' कहए' लागल, “ई आदमी निश्चितरुपस' एकटा हत्यारा अछि जे समुद्रस' सुरक्षित भ' क' निकलि गेल, मुदा न्याय ओकरा जीवित रहबाक अनुमति नहि दैत अछि।”5मुदा तखने पौलुस सांपके आगिमे फेक देलक आ हुनका कोनो नोक्सान नहि भेल।6मुदा ओसब सोंचैत छल जे हुनका जल्दिए फुलि जाएत वा अचानक मृत भ' खसि पड़त से अपेक्षा क' रहल छल। मुदा ओसब बहुत समय धरि देखलाक बाद हुनकासंग कोनो नोक्सान नहि देखलाक बाद ओसब अपन विचार बदलिक' कहलकनि, “जे ई त' देवता छथि।”7ओहि द्वीपके पुबलियुस नामक अधिकारीके जमीन ओहिके लगमे छल। ओ हमरासबके स्वागत क' क' तीन दिन धरि अतिथि-सत्कार कएलनि।8भेल ई जे पुबलियुसक पिता बोखार आ सुलबाइ रोगी छल। पौलुस हुनकालग जा' क' हुनकापर हाथ राखि प्रार्थना कएलनि आ हुनका ठीक कएलनि।9एहि घटनाक बाद द्वीपपर जे लोक बेमार छलाह, ओहोसब सेहो आबि गेल आ ओसब ठीक भ' गेल।10ओहि द्वीपके स्थानीय लोकसब सेहो हमरासबके बहुत आदरके संग मान-सम्मान कएलक। जखन हमसब जहाजपर चढ़एके तैयारीमे छलहुं तखन हमरासबके जे चाही से समानसब देलकनि।11मुदा, तीन महिना माल्टामे रहलाके बाद हमसब एकटा जहाजमे ओत' स' विदा भेलहुं जे जाड़क महिनामे ओहि द्वीपपर रुकल छल, ओ सिकन्दरिया जाएबला एकटा जहाजक आगुमे “जौंवा देवता” क' मूर्ति बनाएल छल। 12हमसब सुरकूसा नगरमे उतरलाक बाद तीन दिन ओतहि रहलहुं।13ओत' हमसब जहाजस' रेगियुम बंदरगाह नगर पहुंचलहुं। एक दिनक बाद दक्षिणी बिहारि चलए लागल आ दू दिनमे हमसब पुतियुली नगर पहुंच गेलहुं।14ओत' हमरासबके किछु विश्वासीसब भेटल आ हमरासबके सात दिनधरि हुनकासबहक संग रहबाक लेल आग्रह कएलाके कारण ओत रहि गेलहुं। अन्तमे हमसब रोम आबि गेलहुं।15ओत' स' भाइसब हमरासबहक आगमनके' विषयमे सुनि हमरास' भेट करबाक लेल अपियुसके बजार आ तीन सराय नाम भेल स्थान धरि अएलाह। पौलुस जखन विश्वासीसबके देखलनि त' परमेश्वरके धन्यवाद कएलनि आ साहस पओलनि।16जखन हमसब रोम पहुंचलहुं त' रोमी सरकार द्व्रारा पौलुसके अलग क' क' एकटा सिपाहीसंगे एसगरे रहबाक अनुमति भेटलनि जे ओ एहिलेल पहरा दैत छलनि जे ओ नहि भागि सकए।17पौलुस अएलाके तेसर दिनक बाद ओ यहूदीसबके अगुवासबके बजौलनि। जखन ओसब एकठाम जमा भेल त' ओ हुनकासबके कहलथिन, “यौ हमर संगी इजराएली बाबू-भैयासब, हम अपन पूर्वजसबके रीति-रिवाजक' विरुद्ध किछु नहि कएलहुं, मुदा हमरा यरूशलेमस' कैदी बनाक' रोमी अधिकारीसबके हाथमे सोंपल गेल।18रोमी अधिकारीसब हमरास' जांचबूझ कएलाक बाद ओसब हमरा छोड़ए चाहैत छल, किएकत' हमरामे मृत्युदण्डके' कोनो कारण नहि छल।19मुदा जखन यहूदी अगुवासब आपत्ति जनएलक त' हम रोमी सम्राट कैसरके समक्ष अपील करएलेल बाध्य भ' गेलहुं, मुदा ई एहन नहि अछि जेना हमरा अपन जातिपर कोनो आरोप लगाबएबला बात नहि अछि।20एहि कारणे हम अहाँसबके देखबाक लेल आ अहाँसबस' बात करबाक लेल आग्रह सहित बजौने छी। हम इजराएलके आशा जे मसीहा छथि हुनके कारण एहि कैदीके झिझिरमे बान्हल छी।”21तखन ओ अगुवासब हुनका कहलनि, “हमरासबके यहूदिया प्रदेशस' अहाँक' विषयमे कोनो पत्र नहि भेटल आ नहि केओ भाइसब आबिक' अहाँक विषयमे कोनो अधलाह बातक सूचना देलक।22मुदा हमसब अहाँस' एहि पन्थके विषयमे की विचार करैत छी, से सुनए चाहैत छी, किएकत' हमरासबके ई बुझल अछि जे सबठाम एकर विरोध कएल जाइत अछि।”23तखन ओसब हुनकालेल एकदिन निर्धारीत क' लेलक त' आओर लोक हुनकालग हुनकर निवास स्थानपर आबि गेल। ओ हुनकासबहक समक्ष परमेश्वरक राज्यके विषयमे गवाही घोषणा कएलनि। ओ भोरस' सांझ धरि मूसाके व्यवस्था आ प्रवक्ता दुनूगोटेके यीशुक विषयमे हुनकासबके बुझएबाक प्रयास सेहो कएलनि।24किछुगोटे पौलुसके कहल बातपर विश्वास करएलेल मना लेलनि, मुदा किछुगोटे विश्वास नहि कएलनि।25जखन ओसब एक-दोसरस' मतभेद क' क' जाए लागल त' तखन पौलुस अपन अन्तिम बात कहलथिन: पवित्र आत्मा यशायाह प्रवक्ताद्वारा अहाँसबहक पूर्वजसबके कहल बात ठीके छल,26“ओ कहलथिन जे एहि लोक लग जाक' कहूं जेसुनएलेल सुनब, मुदा नहि बुझब।आ देखएलेल देखब, मुदा समझ नहि सकब।27
किएकत' एहि लोकक हृदय मन्द भ' गेल अछि,आ कानस' बहिर भ' गेल छै, आ आंखि मुनि लेने छै।नहि त' ओसब आंखिस' देखतैक, आ कानस' सुनतैक,आ हृदयस' समझ सकतैक आ फेरु घुमिक' अएतऐ,आ हम ओकरासबके ठीक क' दितिऐ।” 28“तएं ई बात अहाँसबके ज्ञात होअए जे परमेश्वरक ई उद्धार गैर-यहूदीसबके पठाओल गेल अछि आ ओसब ई सुनत।”29हुनकाद्वारा ई बात कहिते यहूदीसब आपसमे बड्ड विवाद करैत ओत' स' चलि गेल।30पौलुस पूरा दू साल धरि अपन भाड़ाक' घरमे रहलाह आ हुनकालग आबएबला सब लोकक स्वागत कएलनि।31ओ बिना कोनो डरके खुलमखुला आ बिना रोकटोकके परमेश्वरक राज्यके प्रचार क' रहल छलाह आ प्रभु यीशु मसीहक विषयमे बड्ड साहसस' सिखा रहल छलाह।
किएकत' एहि लोकक हृदय मन्द भ' गेल अछि,आ कानस' बहिर भ' गेल छै, आ आंखि मुनि लेने छै।नहि त' ओसब आंखिस' देखतैक, आ कानस' सुनतैक,आ हृदयस' समझ सकतैक आ फेरु घुमिक' अएतऐ,आ हम ओकरासबके ठीक क' दितिऐ।” 28“तएं ई बात अहाँसबके ज्ञात होअए जे परमेश्वरक ई उद्धार गैर-यहूदीसबके पठाओल गेल अछि आ ओसब ई सुनत।”29हुनकाद्वारा ई बात कहिते यहूदीसब आपसमे बड्ड विवाद करैत ओत' स' चलि गेल।30पौलुस पूरा दू साल धरि अपन भाड़ाक' घरमे रहलाह आ हुनकालग आबएबला सब लोकक स्वागत कएलनि।31ओ बिना कोनो डरके खुलमखुला आ बिना रोकटोकके परमेश्वरक राज्यके प्रचार क' रहल छलाह आ प्रभु यीशु मसीहक विषयमे बड्ड साहसस' सिखा रहल छलाह।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.