Judges14
1एकदिन शिमशोन तिम्नाहमे गेल, आ ओ ओत' एकटा जवान स्त्रीके देखलक, जे पलिश्तीके बेटी छल।2ओ अपन घर घुरिक आबि गेल आ अपन माय-बाबुके कहलक, “हम तिम्नाहमे एकटा स्त्रीके देखलि, ओ पलिश्तीके बेटी अछि। तएं आब अहाँ हमरा ओकरास' विवाह करा दिअ।”3हुनकर माय-बाबु हुनका कहलक, “की हमरा अपन कर-कुटुम्बमे आ अपन जातिमे केओ स्त्री नहि अछि, जे अहाँ खतना नहि भेल पलिश्तीके बेटीस' विवाह करब?” मुदा शिमशोन अपना बाबुस' कहलक, “ओहि स्त्री हमरालेल ल क आउ, ओहि स्त्री हमरा ठीक रहत।”4मुदा की ई बात यहोवा पलिश्तीसबके विरुद्धमे मौका खोजि रहल अछि ई बात हुनकर माय-बाबु ई नहि जनैत छल। किएक ओहि समय पलिश्तीसब इजराएलीसबपर' शासन करैत छल।5तखन शिमशोन अपन माय-बाबुसंगे तिम्नाहमे गेल, ओत' दाख खेतमे एकटा जवान शेर शिमशोनके सामनेमे गरजैत ओकारा उपर कुदि पड़ल।6तखन यहोवाके आत्मा ओकारामे शक्ति स्वरुपमे आएल, आ ओ बकरीके बच्चा पठरु जकां ओकरा चिरफारि देलक, ओ जे काम कएने छल ओहि सम्बन्धमे अपन माय-बाबूके नहि कहलक।7तब ओ नीचा जाएक ओहि स्त्रीस' बात कएलक, आ ओ स्त्री शिमशोनके निमन लागल।8किछु दिन बितएलाक' बाद ओ फेरुस' ओहि स्त्रील' विवाह करए लेल गेल, ओ शेरके मरि देखए लेल ओहि दिस गेल, आ ओहि शेरके मरिमे मद्धुमख्खी छता लगएने रहल।9आब ओ मधु अपना हाथमे लगाक' खाइत अपन माय-बाबु लग गेल आ हुनकासबके सेहो देलिन, ओसब सेहो खएलक, मुदा ओ मधु शेरके मरिमे स' निकालिक' लएने अछि से बात अपन माय-बाबूके नहि कहलक।10तब हुनकर बाबु ओहि स्त्रीके देखबाक लेल गेलथिन, आ शिमशोन जवानसबके रीतिरिवाज अनुसार ओहि ठाम भोज देलथिन।11जखन ओसब हुनका देखक', ओसब तीसटा साथी हुनकासंगे रहबाक लेल आएल।12शिमशोन ओकारा सबहक' कहलक, “हम अहाँसबके एकटा मोहवरा कहैत छी। यदि अहाँसब ई मोहवरा भोजके सातमा दिन धरि कहि देब त' हम अहाँसबके तीसटा वस्त्र आ तीस जोरी कपड़ा देब।13यदि अहाँसब ई मोहवरा नहि कहि सकब त' अहाँसबके हमरा तीसटा वस्त्र अहाँसबके तीस जोरी कपड़ा देबे पड़त।” ओसब हुनका कहलक, “ओ मोहवरा की अछि से पहिने कहू।”14तब ओ हुनका कहलक, “खाएबला स' खाना निकलल, आ बलवान स' मीठ चीज निकलल।” मुदा ओसब तीन दिन धरि ओहिके अर्थ नहि कहए सकल।15चारिम दिनमे ओसब शिमशोनके पत्नीके कहलक, “अहाँके अपन पतिके फुसलाउ की ओ ओहि मोहवराके अर्थ कहि दिअ नहि त' हमसब अहाँके संगे अहाँके बाबुके घर जरादेब। की अहाँ हमरासबके सबकिछु छिनएलेल बजौने छी?” 16तखन शिमशोनके पत्नी हुनका ल' जा' क' कानिक' हुनका कहलनि, “अहाँ वास्तबमे हमरा घृणा करैत छी आ हमरा प्रेम नहि करैत छी! अहाँ हमर लोकसबके मोहवरा कहलीह मुदा अहाँ हमरा नहि बतएने छी।” ओ ओकारा कहलक, “देखू, ई बात हम अपना माय-बाबुके सेहो नहि कहने छी, त' अहाँके कोनाक' कहूं?”17ओ स्त्री भोजके सातमा दिन धरि ओ कानि रहल रहए। आब एना भेल सातमा दिन ओ हुनका खूब तंग करएलाके बाद ओ मोहवराके अर्थ कहि देलथिन आ ओ स्त्री अपन लोकसबके जाएक कहि देलथिन।18तखन शहरके लोकसब सातम दिनके सूर्य डुबएस' पहिने हुनका कहलक, “मधुस' केओ चीज मीठ होएत अछि? आ शेरस' बलवान की होएत अछि?” तएं ओ शिमशोन हुनकासबके कहलक, “हमरा बाछीके बिना जोतने त' अहाँसब पहेलीके अर्थ कहियो नहि बंटा सकैत छली।” 19यहोवाके आत्मा हुनकापर आएल। ओ अश्कलोनमे जा' क' तीसटा आदमीके मारलक। आ ओकरासबके सबटा चीज ल' क' पहेलीके अर्थ बनाबएबलाके द' देलक। आ ओ बहुत पित्ताक' अपन पिताके घर चलि गेल।20शिमशोनके पत्नी ओकर घनिष्ट मित्रके पत्नी बनि गेलथिन, जे हुनकासंगे रहित छल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.