Judges13

1ओहि दिनमे इजराएली सबहक सन्तानसब फेरुस' यहोवाके नजरिमे जे दुष्टकाज रहए ओहे कएलक, तएं यहोवा ओकरासबके चालीस वर्ष धरि पलिश्तीके अधीनमे क' देलनि।2ओत' दान वंशके' सोरा निबासी मानोह नामक एकटा पुरुष छल। हुनकर पत्नी बांझिन छल आ हुनका सन्तान नहि छल।3यहोवाके दूत मानोहके पत्नी समक्ष उपस्थित भ' क' ओकारा कहलक, “देखू, अहाँ बांझिन छी आ अहाँके कोनो सन्तान नहि अछि, मुदा अहाँ गर्भवती होएब आ अहाँके एकटा बेटाके जन्म देब।4तएं अहाँ सावधान रहू, अहाँ कोनो किसिमके दाखरस आ माधक नहि पिबू, आ केओ अशुद्ध भोजन नहि खाएब। 5किएक अहाँ गर्भवती होएब आ अहाँ एकटा बालकके जन्म देबिन। ओकरा माथमे छुरा नहि लगाएब, किएक ओ जन्मस' ओ परमेश्वरक' लेल अलग कएल नाजीर होएत आ ओ पलिश्तीके हाथस' इजराएलके छुटकारा देतनि।” 6तखन ओ स्त्री अपन पतिस' सब बात कहलनि, “परमेश्वरक' एकटा आदमी हमरालग' आएल छल। हुनकर रुप परमेश्वरके दूत जकां छलनि, हुनकर चेहेरा बहुत भययोग्य छल, तएं हम हुनकास' नाम नहि पुछली, आ ओ सेहो नहि कहलक।7तखन ओ हमरा कहलक, ‘अहाँ वास्तबमे गर्भवती होएब आ अहाँ एकटा बालकके जन्म देबिन। तएं केओ किसिमके दाखरस आ मद्यके नहि पिबए, आ केओ अशुद्ध भोजन नहि खाएब। किएक ओ जन्मस' मरनधरि यहोवाके लेल नाजीर होएत।’”8तखन मानोह यहोवाके ई कहिक प्रार्थना कएलक, “यौ हमर प्रभु, कृपाक' क' कहैत छी, अहाँ जिनका पठौने रही, हुनका फेरुस हमरालग' पठा दिअ आ ओहि बालकके पालन-पोषण कोनाक' करु से बतादिए।”9परमेश्वर मानोहके प्रार्थना सुनिक, आ परमेश्वरके दूत फेरुस बारीमे बैसल स्त्रील' आएल। मुदा मानोह हुनकर पति हुनकासंगे नहि छल।10तब ओ स्त्री दौड़क अपन पतिके कहलक, “देखू ओहि दिन आएल पुरुष फेरुस आएल अछि!”11तएं मानोह अपन पत्नीके पाछु आएल। जखन ओ ओहि पुरुषल' आएल, आ हुनकास' पुछलक, “की हमरा पत्नीसंगे बात कएने ओ मनुष्य अहीं छी?” ओ उत्तर देलक, “हं हमहीं छी।”12तखन मानोह कहलक, “आब अहाँके वचन पूरा होए। ओहि बालकके केहन जीवन आ की काम होएत?”13तखन यहोवाके दूत मानोहस' कहलक, “किएक त' हम सबटा बात स्त्रीके कहि देने छी, आब ओकरा ओ सवधानीपूर्वक पालन करए कहियौ।14कोनो चीजस' दाखरस बनल रहत ओ नहि खाए। कोनो किसिमके दाखरस आ माधक नहि पिबए, आ केओ अशुद्ध भोजन नहि खाएब। किएक ओ जन्मस' मरनधरि नाजीर रहत।”15तखन मानोह यहोवाके दूतस' कहलक, “कृपाक' क', किछुकाल रुकू, अहाँके उपस्थितिके कारणे हम अहाँके लेल पठरुके तैयार करी।”16यहोवाके दूत मानोहस' कहलक, “अहाँ हमरा रोकिक राखब तथापि मुदा हम नहि खाएब, मुदा अहाँ तैयार कएने छी त' यहोवाके होमबलि करु।” किएक मानोह हुनका यहोवाके दूत अछि से नहि जानि सकल।17तब मानोह यहोवाके दूतके पुछलक, “अहाँके की नाम अछि, जखन अहाँके वचन पूरा भ' जाएत तखन हम तब अहाँके आदर कर सकी?”18यहोवाके दूत हुनका उत्तर देलथिन, “अहाँ किएक हमर नाम पुछैत, ई नाम अहाँके बूझबस' बाहर अछि!”19मानोह बकरीके बच्चा पठरु आ अन्नबलिक यहोवाके लेल ओहि चट्टानप' चढ़एलक। जखन मानोह आ हुनकर पत्नी ई काम करैत छल ओहि समय परमेश्वरके दूत हुनकासबके जीवनमे अद्भुत काम कएलक। 20आब एना भेल की मानोह आ हुनकर पत्नी देखैत काल स्वर्गस' धधरा ओहि वेदीके दिस आएल, ओहि धधरा पर द' क यहोवाके दूत चलि गेल। ई बात देखक ओसब मुहंभरे खसि गेल।21मुदा यहोवाके दूत मानोह आ हुनकर पत्नीके फेरुस कहियो नहि देखाइपडल। तखन मानोह ई बुझि गेल की ओ यहोवाके दूत छल।22मानोह अपना पत्नीस' कहलक, “आब अपनासब जरुर मरि जाएब किएक हमसब यहोवाके देखलि!” 23मुदा हुनकर पत्नी हुनकास' कहलक, “यदि यहोवाके अपनासबके मारएके मन रहित त' ओ हमरा अहाँके होमबलि आ अन्नबलि ग्रहण नहि करथिन। ओ ई सबटा बात नहि देखौथिन, आ ई समयमे विषयमे ओ हमरासबके नहि सुनएलथि।”24किछु महिना बाद ओ स्त्री एकटा बालकके जन्म देलनि, आ ओ हुनकर नाम शिमशोन रखलनि। ओ बालक जवान होएत गेल आ यहोवाक' आशीष ओकारा पर रहल।25आब सोरा आ एश्ताओलके बीचमे महनेदानमे रहैत काल यहोवाके आत्मा नेतृत्व ओकारा मिल' लागल।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67