Judges15
1किछु दिनके बाद, गहुमके कटनीके समयमे, शिमशोन एकटा पठरुके ल' क' अपन पत्नीस' भेट करए लेल गेल। ओ कहलक, “हम अपन पत्नीक' संग ओकर कमारामे समय बिताबए चाहैत छी।” मुदा ओकर बाबु ओकरा जाएके अनुमति नहि देलक।2ओकर बाबु कहलक, “हम वास्तबमे कहैत छी की अहाँ ओकरा घृणा करबए, किएकत' हम ओकरा अहाँके घनिष्ट मित्रके पत्नी होबएलेल द' देने छी। की ओकर छोटकी बहिन ओकरास' सुन्दर नहि अछि? हे अपन पहिन पत्नीके बदला अहाँ ओकरा लग जाउ।”3शिमशोन ओकरासबके कहलक, “एहिबेर हम पलिश्तीसबके हानि करबनि त' तथापि हम निर्दोष रहब।”4तखन शिमशोन जाएक तीन सय नढ़िया पकड़लखिन ल क आ ओकरासबके नङरी बानहए देलनि आ ओहिमे आगिके लुती लगा देलक।5ओ आगिके लुती लगौने नरहियाके पलिश्तीसबके पाकल अन्नके खेतमे छोड़ि देलक। पाकल अन्नबालि, अंगूर बगान, आ जैतूनके बारी सेहो जड़ा देलक।6तएं पलिश्तीसब कहलक, “ई कामके कएने अछि?”, ओसब उत्तर देलक, “शिमशोन, तिम्नाहके जमाय, किएकत' ओकर पत्नी हुनका घनिष्ट मित्रके द' देलक।” तएं पलिश्तीसब जा' क' स्त्रीके आ हुनकर बाबु दुनूके जरा देलक।7शिमशोन ओकरासबके कहलक, “किएक अहाँसबके' कामक' कारणे हम सपत खा' कहैत छी की अहाँसबस' बदला नहि लेब ट धरि हम शान्त नहि रहब।”8ओ ओकरासबमेस' बहुतके मारि देलक। आ ओहिके बाद एतामके गुफाके चट्टानमे रहए लागल।9तब पलिश्तीसब उपर गेल आ यहूदामे डेरा बनौलक, आ लही धरि बसि गेल।10आब यहूदाके लोकसब कहलक, “अहाँसब किएक हमरासबके विरुद्धमे आएल?” ओसब उत्तर देलक, “हमसब शिमशोनके पकड़िक' बानहए लेल आएल, जेना ओ हमरासबके कएने अछि ओहिना हमसब ओकरा करबनि।”11तखन यहूदाके तीन हजार पुरुषसब एतामके चट्टानके गुफामे गेल, ओसब शिमशोनस' कहलक, “की अहाँके नहि मालूम अछि की पलिश्तीसब हमरासबके उपर शासन करी रहल अछि? अहाँ हमरासबके संगे की कएलहुं?” ओ उत्तर देलथिन, “जेना ओसब हमरासंगे व्यवहार कएने रहए, ओहिना हम कएली।”12ओसब हुनका उत्तर देलथिन, “की हमसब अहाँके बान्हिक' पलिश्तीसबके हाथमे द' देब लेल आएल।” मुदा शिमशोन कहलक, “की शपथ खाउ की अहाँसब हमरा नहि मारब।”13ओसब हुनका उत्तर देलथिन, “नहि, हमसब अहाँके बानहएक' ओकरासबके हाथमे द' देब। वास्तबमे हमसब अहाँके नहि मारब।” तखन ओसब हुनका नबका जौरीस' बानहएक' चट्टानमेस' लौलक।14ओ जखन लही धरि आएल तब पलिश्तीसब जोरस' हलला करैत आएल। तखन यहोवाके आत्मा हुनकाप' तुरन्ते आएल आ हुनका बानहएक' जौरीसब आगिमे जड़ैक' सनठीके सन जेना भ' गेल। हुनकर हाथ आब खाली भ' गेल।15हुनका गदहाके गलफर मिलि गेल, आ ओहि ल' क' एक हजार आदमीसबके मारि गिरओलक।16तखन शिमशोन कहलक, “गदहाके गलफरस' हम ओकरासबके नाश क' देलनि, गदहाके गलफरस' हम हजार पुरुषके मारि देलनि।”17आब एना भेल जे ओ ई बात कहिक अपन हाथमेस' गलफर फेक देलक, आ ओहि ठामके नाम रामत-लही रखलक। 18तब ओ बहुत पियासल रहए आ यहोवाके बाजओलक आ कहलक, “अहाँ अपन दासके अपनेस' विजय देने छी। की हम पियासके कारणे एहि बिना खतानाबलाके हाथमे पड़ि जाउ?”19तएं परमेश्वर लहीके खधियाके चिरिक फोड़ि देलथिन, आ ओहिमेस' पानि निकलल'। शिमशोन ओ पानि पिब लेलक आ फेरुस टटका भ' गेल। तएं ओ ओहि ठामके एनहक्कोरे रखलक, जे आइके दिन धरि लहीमे अछि।20तएं शिमशोन पलिश्तीसबके समयमे इजराएलके बीस वर्षधरि न्याय कएलक।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.