Joshua18
1तब इजराएलक' सारा समुदाय शीलोमे जमा भ' भेल, ओतहि भेट होबलेल तम्बू ठाढ़ कएलक आ ओ देश ओकारा सबहक अधिकारमे छल। 2मुदा इजराएलक' सन्तान सबमे सातटा कुल छल जे अपन अधिकार नहि पओने छल।3यहोशू इजराएली सबहक सन्तानसबके कहलनि, “अहाँसबहक पूर्वजसबके परमेश्वर यहोवा अहाँसबके देने ओहि देशपर अधिकार करबामे कखन धरि देर करब?4कुले पच्छे तीन तीन आदमी अपनालेल चुनू, हम ओकरासबके बाहर पठाएब, आ ओसब ओहि देशमे जा' क' घुमिक' अपन अधिकारक' भागके' विवरण ल' क हमरालग घुरिक' आबि जाएत।5ओसब एहिके सात भागमे बांटि लेत। यहूदा दक्षिणमे अपन ईलाकामे आ यूसुफके' घराना उत्तरमे अपन अधिकार ईलाकामे रहए पडत।6अहाँसब सात भाग जमीनक' वर्णन क' क' हमरालग आनब। हम अहाँसबहक लेल एत यहोवा अपनासबके परमेश्वरक आगु अहाँसबहक लेल चिट्ठा लगाएब।7मुदा लेवीसबके अहाँसबमे कोनो भाग नहि होएत, किएकत' यहोवाक' पुजारीपद ओकरासबहक उत्तराधिकार अछि। गाद, रूबेन आ मनश्शेक' आधा कुलके अपन उत्तराधिकार मिलि गेल अछि, जे यरदन नदीक ओहिपार, जे यहोवाक' दास मूसा ओकरासबके देने छथि।”8तब ओ आदमीसब उठिक' गेल आ यहोशू ओहि देशके' विवरण ल' क' आबएबला सबके ई कहिक आज्ञा देलनि, “जाउ, ओहि देशमे घुमिक' ओकर विवरण उतारु आ हमरालग घुरि आउ। हम एत शीलोमे यहोवाक' आगु अहाँसबहक लेल चिट्ठा लगाएब।”9ओ आदमीसब जा क' ओहि देशमे घुमिक' ओकर सहर सबहक' सात भागमे भाग लगाक' ओकर विवरण उतार क' ओ आदमीसब शीलोक' तम्बूमे यहोशू लग घुरि आएल।10तब यहोशू ओकारा सबहक लेल शीलोमे यहोवाक' आगु चिट्ठा लगओलनि आ ओतहि यहोशू एहि देशके इजराएली सबहक सन्तानसबके ओकारा सबहक अपन भाग अनुसार बांटि देलनि।11बिन्यामीनक' कुलक वंश-वंश अनुसार चिट्ठा एहन छल। ओकरासबहक अधिकारक ईलाका यहूदा आ यूसुफके' पुत्र सबहक बीचमे पड़ि गेल।12उत्तर दिस ओकारा सबहक' सीमाना यरदन नदीस' शुरु भ' क' यरीहोक' उत्तरमे ढलान धरि, पहाड़ी इलाकामे पश्चिम दिस बढ़ैत बेतावेन के उजाड स्थान धरि पहुंचल छल।13ओतएस' ओ सीमाना लूज धरि, दक्षिण दिस लूजक ढलान धरि अर्थात् बेतेल धरि। ओहे सीमाना दक्षिण दिसके नीचा बेथोरोनके दक्षिण दिस पहाड स' अत्रोतदार धरि गेल छल।14तब ओतएस' ओ सीमाना पश्चिम दिस आगु जा क' दक्षिण दिस घुमि बेथोरोनक' पहाड़ी स' दक्षिण दिस यहूदाक' सन्तानसबके शहर किर्यतबाल अर्थात् किर्यत्यारीम धरि पहुंचल छल। ई पश्चिमी कातके सामना छल।15दक्षिण दिस किर्यत्यारीम कातस' शुरु भ' क' पश्चिम दिस नेप्तोहक' पानिक' मुहान धरि छल।16ओहि सीमाना ओहिबेन-हिम्मोनक' उपत्यकाक' आगु आ रपाई उपत्यकाक' उत्तरमे रहल पहाड़क' ओहिपार जा क' यबूसी सबहक दक्षिण दिस हिन्नोमक' उपत्यका स' भ' क' एनरोगेलमे पहुंचल छल।17ओहि सिमाना उत्तर दिस जा क' एनशेमेश दिस आगु बढ़ि अदुम्मीम चढ़ाइक' आगु गलीलोत स' निकलिक' रूबेनक' सन्तान बोहन पत्थल धरि पहुंचल छल। 18ओहि समिना उत्तरमे बेत-अराबाक' सिधा उत्तर दिस पुगि फेरुस' अराबामे पहुंचल छल। 19फेरु ओहि सीमाना बेथोग्ला क' उत्तर दिस पार भ' क' यरदन नदिक' दक्षिण दिस रहल खारा समुद्रक' उत्तरी खारही पर जा क' समाप्त भेल छल। ई दक्षिण भरके सिमाना छ्ल। 20यरदन नदी ओकर पूर्व दिसक' सीमाना छल। बिन्यामीनक' सन्तानसबके अधिकार चारुकातक' सीमाना ओकर वंश अनुसार इएह छल।21बिन्यामीनक' कुलक' ओकर वंश-वंश अनुसार भेटल सहरसब इएह छल: यरीहो, बेथोग्ला, एमेक्कसीस,22बेतराबा, समारैम, बेतेल,23अब्बीम, पारा आ ओप्रा,24आ कपरम्मोनी, ओफनी आ गेबा। ओकरासबहक बारह शहर आ गामसब।25गिबोन, रामाह, बेरोत,26मिस्पे, कपीरा, मोसा,27रेकेम, यिर्पेल, तरला,28सेला, एलेप आ यबूसी अर्थात् यरुशलेम, गिबा आ किर्यत। ओकरासबहक चौदह सहर आ गामसब। बिन्यामीनक' सन्तानसबके अधिकार ओकरासबहक वंश-वंश अनुसार इएह छल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.