Joshua17

1यूसुफके' जेठ सन्तान मनश्शेक कुलक लेल ई भाग छल, अर्थात् मनश्शेक जेठ सन्तान माकीरक लेल। गिलाद सबहक पिता माकीरक' यरदन पूरबके गिलिआद आ बाशान देल गेल, कारण जे ओ लड़क्का' सिपाही छल।2मनश्शेक' बांकी सन्तानसबके कुल-परिवारक भाग छल। अबीएजेरके सन्तानसब, हेलेकक' सन्तानसब, अस्रीएल क' सन्तानसब, शेकेमक' सन्तानसब आ हेपेरक' सन्तानसबके लेल आ शमीदाक' सन्तानसब ओकारा सबहक वंश अनुसार भाग पओलक। ईसब यूसुफके' जेठ सन्तान मनश्शेक' सन्तानसब छल।3मनश्शेके पुत्र माकीर, हेपेर जे गिलाद पुत्र, ओकर पुत्र सलोफादके पुत्र नहि छल, मुदा पुत्री मात्रे छल। ओकर पुत्री सबहक नाम छल: महला, नोवा, होग्ला, मिल्का आ तिर्सा।4ओसब एलीआजर पुजारी आ नूनक' पुत्र यहोशू आ प्रधान सबहक आगुमे आबिक' कहलक, “यहोवा मूसाके आज्ञा देने छलनि, जे हमरासबके अपन भाइसबके बीचमे उत्तराधिकार देथिन।” तएं यहोवाक' आज्ञाक' अनुसार ओकरासबहक' ओकर पिताक' भाइसबके बीच उत्तराधिकार देलनि। 5यरदन नदीक' ओहिपार गिलाद आ बाशान देशके' अतिरिक्त दस भाग मनश्शेके भेटल,6किएक त' मनश्शेक बेटीसबके ओकर पुत्र सबहक बीचमे उत्तराधिकार भेटलनि। गिलादक देश मनश्शेक शेष पुत्र सबहक भाग छल।7मनश्शेक' सीमाना आशेर स' शेकेमस' पूर्व मिकमतात धरि छल। ओ सीमाना दक्षिण दिस एनतप्पूहक' रहनिहार सबहक धरि पहुंचल छल।8तप्पूह क' देश मनश्शेक' छल, मुदा मनश्शेक' सीमाना तप्पूह इफ्राइमक' पुत्र सबहक भाग छल।9आब ओ सीमामा काना नदीधरि भ' गेल। मनश्शेक' सहर सबहक बीच धारक दक्षिणमे ई सहरसब इफ्राइमक' छल। मनश्शेक' सीमाना ओहि धारक' उत्तर दिस भू-मध्ये सागरमे समाप्त होइत छल।10दक्षिणमे इफ्राइमक' भाग आ उत्तरमे मनश्शेक' भाग छल आ ओकर सिमाना समुद्र छल। उत्तर दिस आशेर आ पूर्व दिस इस्साकारक' सीमाना धरि छल।11इस्साकार आ आशेर मे मनश्शेक' बेतशान आ ओकर गामसब, यिबलाम आ ओकर गामसब, दोर आ ओकर गामक', एनदोरक', तानाक क' आ मगिद्दोक' आ ओकर गामक' रहनिहारसब छल। तेसर नापेत छल।12तइयो मनश्शेक सन्तानसब ओहि सहरसबपर अधिकार नहि क' सकल, किएकत' कनानीसब एहि देशमे रहएलेल मोनमे ठानि लेने छल।13आब इजराएलक' सन्तानसब बलवान भेलाक बाद कनानीसबके बेगारीके काजमे लगाव लागल, मुदा ओकरासबके पूर्णरुपस' नहि भगएलक।14तब यूसुफके सन्तानसब यहोशूस' कहलनि, “जखन यहोवा हमरासबहक पैघ आशीष देने छथि ताहिस' हमसब पैघ आदमी छी, तथापि अहाँ हमरासबहक' अधिकारमे मात्र एकटा भाग किएक देलिऐ?”15यहोशू ओकरासबहक' कहलनि, “जं अहाँसब पैघ आदमीसब छी आ इफ्राइमक' पहाडी देश छोट पड़ैत अछि त' परिज्जी आ रपाई सबहक देशमे जा' क' अपनालेल जंगल फड़ानी करु।” 16मुदा यूसुफके' सन्तानसब कहलनि, “हमरासबहक लेल पहाड़ी देश पर्याप्त नहि अछि, आ बेतशान आ ओकर गामसबमे रहनिहार सबहक' संग आ यिज्रेलके उपत्यकामे रहनिहार कनानी सबहक संग लोहाके' रथ अछि।”17तब यहोशू यूसुफके' घराना – इफ्राइम आ मनश्शेस' कहलनि, “अहाँसब पैघ आदमीसब छी आ बहुत बलवान सेहो छी। अहाँसबहक' लेल एकटा मात्रे भाग नहि होएत।18मुदा पहाड़ी देशके' जंगल सेहो अहाँसबहक होएत। अहाँसब ओहि जंगलके फड़ानी करु आ ओकर दूर-दूर धरिके भू-भाग अहाँसबहक भ' जाएत, किएकत' अहाँ कनान लोकसबके ओत' स' भगा देब, भलेहि ओकरासबसंगे लोहाके रथ होए आ ओसब बलवान होए।”

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67