Joshua19

1दोसर चिट्ठा शिमिओनक' शिमोनक' कुलक' नाममे ओकरासबहक वंश-वंश अनुसार निकलल। ओकरासबहक उत्तराधिकार यहूदाक' सन्तानसबके उत्तराधिकारक' बीचमे पड़ल।2ओकरासबहक उत्तराधिकारक लेल बेर्शेबा, शेबा, मोलादा,3हसर्शूआल, बाला, एसेम,4एलतोलद, बतूल, होर्मा,5सिकलग, बेत्मर्काबोत, हसर्शूसा,6बेतलबाओत आ शारूहेन छल। ओकरासबहक तेरह सहर आ गामसब।7ऐन, रिम्मोन, एतेर आ आशान। चारिटा सहर आ गामसब,8आ ओहि सहर सबहक चारुकातक' गामसब, बालत्बेर नेगेवक' रामा धरि छल। शिमोनक' कुलक' अधिकार ओकरासबहक वंश-वंश अनुसार इएह छल।9शिमोनक' सन्तानसबके' भाग यहूदाक' सन्तानसबके उत्तराधिकारमे स' हिस्सा पओने छल, किएकत' यहूदाक' सन्तानसबके भाग ओकारा सबहक लेल बहुत पैघ छल, तएं शिमिओनक' सन्तानसबके अपन उत्तराधिकार यहूदाक' भागके सिमाना भीतर उत्तराधिकार भेटल छल।10तेसर चिट्ठा जबूलूनक' सन्तानसबके ओकरासबहक वंश-वंश अनुसार एहि तरहे निकलल छल। ओकारा सबहक उत्तराधिकारक' सीमाना सारीद धरि पसरल छल।11ओकरासबहक सीमाना पश्चिम दिस मरला दिस बढ़िक' दब्बेशेत धरि पहुंच योकनाम दिसक धार धरि पसरल छल।12ओहि सिमाना सारीद स' पूर्व दिस किसलोत्ताबोरके सीमाना धरि पूर्व दिस घुमल छल। ओ दाबरातस' निकलिक' यापी धरि गेल छल।13ओत' स' ओ पूर्व दिस गथेपेर आ इत्कासीन धरि पहुंच क' रिम्मोन शहरमे जा क' नेआ दिस घुमि गेल छल।14तब ओहि सीमाना उत्तर दिस हन्नातोन दिस घुमि यिप्तहेल उपत्यकामे जा क' समाप्त भेल छल।15एहि सिमाना भीतरमे कतात, नहलाल, शिम्रोन, यिदला आ बेतलेहम सहभागी छल। ओकर बारह सहर आ गामसब छल।16ओकरासबहक कुल कुल अनुसार जबूलूनक' कुलक' उत्तराधिकारक' सहर आ ओकर गामसब एहए छल।17चारिम चिट्ठा इस्साकारक' सन्तानसबके नाममे ओकरासबहक वंश-वंश अनुसार एहि तरहे निकलल छल।18ओकरासबहक ईलाकाक' सिमाना यिज्रेल, कसुल्लोत, शूनेम,19हपारैम, शीओन, अनाहरत,20रब्बीत, किश्योन, एबेस,21आ रेमेत, एनगन्नीम, एनहद्दा आ बेत्पस्सेस छल।22ओ सीमाना ताबोर, शहसूमा आ बेतशेमेश धरि पहुंच यरदन नदीपर जा क' समाप्त भेल छल। ओकर सोलह सहर आ गामसब।23इस्साकारक' कुलक' ओकर वंश-वंश अनुसार अधिकारक' सहर आ गामसब इएह छल।24पांचम चिट्ठा आशेर क' कुलक' लेल ओकरासबहक वंश-वंश अनुसार एहि प्रकार निकलल छल।25ओकरासबहक अधिकार ईलाकाक' सिमाना हेल्कात, हली, बेतेन, अक्षाप,26अलाम्मेल्लेक, अमाद, मिशाल आ पश्चिममे कर्मेल आ शीहोर्लिब्नात धरि पसरल छल।27आ ओ पूर्व दिसस' घुमिक' बेतदागोन दिसस' जबूलून आ यिप्तहेल एलक' उपत्यका धरि पहुंचल छल, बेतेमेक आ नीएल स' उत्तर जा क' बामा हाथ दिस काबूल धरि पसरल छल।28आ ओहि सिमाना अब्दोन, रहोब, हम्मोन आ काना स' ल' क' मह सीदोन धरि पहुंचल छल।29आ ओहि सीमाना रामाह आ गढ़बला सोर सहर दिस घुमि गेल छल। ओहि सीमाना फेरु होसा दिस घुमिक' ओ अकजीब क' ईलाकामे समुद्रमे समाप्त भ' जाइत छल।30उम्मा, अपेक आ रहोबक' इलाका सब सेहो छल। ओकर बाइस सहर आ गामसब।31आशेर क' कुलक' ओकर वंश-वंश अनुसार उत्तराधिकारक' सहर आ गामसब इहे सब छल।32छठम चिट्ठा नप्तालीके सन्तानसबके', कुलक' वंश-वंश अनुसार एहन निकलल छल।33ओकरासबहक' सीमाना हेलेपस' ल' क' सानन्नीममे बड़का झमटगर गाछस' ल' क' अदामी-नेकेब आ यब्नेल धरि लक्कूम भ' क' यरदन नदीमे समाप्त होइत छल।34आ ओहि सीमाना पश्चिम दिस घुमिक' अजनोत्ताबोर दिस मोड़िक' हुक्कोकमे निकालल छल। फेरु ओ सिमाना दक्षिणमे जबूलून धरि आ पश्चिममे आशेर धरि आ पूर्वमे यरदन नदीक कात यहूदा धरि पहुंचल छल।35गढ़बला सहरसब सिद्दीम, सेर, हम्मत, रक्कत, किन्नेरेत,36आदमा, रामाह, हासोर,37केदेश, एद्रेई, एन्हासोर,38यिरोन, मिगदलेल, होरेम आ बेतनात आ बेतशेमेश छल। ओकरासबहक उनैस सहर आ गामसब छल।39नप्तालीके कुलक ओकर वंश-वंश अनुसार उत्तराधिकार सहर आ गामसब छल।40सातम चिट्ठा दानके कुलक' ओकरे वंश-वंश अनुसार एहि तरहे निकलल छल।41ओकरासबहक उत्तराधिकारक सीमाना सोरा, एश्ताओल, ईरशेमेश,42शाल्बीम, अय्यालोन, यितला,43एलोन, तिम्नाह, एक्रोन,44एलतके, गिब्बतोन, बालात,45यहूद, बनेबराक, आ गत्रिम्मोन,46मे मेयर्कोन, आ रक्कोनके संगे-संगे याफाके पारके इलाका सब छल।47दानके सन्तानसबके इलाका ओकरासबहक हाथमे छुटि गेल तब दानके सन्तानसब लेशेममे जा क' ओकारा सबस' युद्ध क' क' ओकरासबपर अधिकार जमओलक आ ओकारा सबहक तरुवारिक' धारस' मारि देलक। आ ओहिमे रहए लागल आ ओकर नाम अपन पिता दानके' नामपर लेशेम-दान राखि देलक। 48दानके' कुलक' ओकरासबहक वंशके वंश-वंश अनुसार उत्तराधिकारक सिमाना सहर आ गामसब इएह छल।49जखन ओसब अपन सीमाना अनुसार देशके' बंटबरा पूराक' लेलक त' इजराएली सबहक सन्तानसब नूनक' पुत्र यहोशूके अपन बीचमे एक भाग उत्तराधिकारक लेल देलक।50यहोवाक' आज्ञा अनुसार ओसब हुनका ओ सहर द' देलनि जे ओ मांग कएलनि, इफ्राइमके पहाड़ी देशके तिम्नत्सेरह। तएं ओ सहर बसएलनि आ ओहिमे रहिऐ लगलनि।51एलीआजर पुजारी, नूनक पुत्र यहोशू आ इजराएली सबहक कुलक मुखियासब शीलोमे, यहोवाक' समक्ष, भेट करएबला तम्बूके प्रवेशद्वारपर चिट्ठाद्वारा बांटिक' अधिकार करएबला सिमाना इएह अछि। एहि तरहे ओसब जमीनक' बंटबराके काज समाप्त कएलक।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67