Galatians5

1मसीह हमरासब विश्वासीके परमेश्वरद्वारा यहूदीसबके देल गेल व्यवस्थाके पालन स' मुक्त कएलनि जाहिस' हमरासबके ओकर फेरुस' व्यवस्थाके जुआ पालन नहि करए पड़ए। एहिलेल दृढ़तापूर्वक प्रभुके प्रति समर्पित बनल रहू। फेरु कहियो केओ अहाँके ओहि नियमक पालन करबाक लेल बाध्य नहि करए दिऔ जेना अहाँ ओहि नियमक दासत्वमे छी।2हम पौलुस छी। हम जे कहि रहल छी ताहिपर ध्यान दिअ! जं अहाँ केकरो खतना करए' देब, त' मसीह अहाँक लेल जे कएने छथि, से अहाँक कोनो मदति नहि करत!3हम एकबेर फेरु खतना कएल गेल प्रत्येक आदमीके गम्भीरतास' गवाही द' रहल छी जे ओकरा धर्मी ठहरबाक लेल परमेश्वरद्वारा यहूदीसबके देल गेल समस्त व्यवस्थाके अधीन रहबाक चाही।4अहाँसब जे ओहि नियमक पालन क' क' जे परमेश्वर यहूदीसबके देलनि, स्वयंके धर्मी बनएबाक प्रयास क' रहल छी, त' अहाँसब मसीहस' अलग भ' गेल छी। परमेश्वर आब अहाँपर अनुग्रह नहि करताह।5एहन एहिलेल अछि किएकत' हमसब विश्वासी लोक यीशुपर भरोसा करैत छी आ पूरा आशा रखैत छी जे परमेश्वर हमरासबके धर्मी ठहराओत। पवित्र आत्मा हमरासबके एहन करएमे सक्षम बनबैत अछि।6एहन एहिलेल अछि किएकत' जखन परमेश्वर हमरासबके यीशु मसीहक संग एकजुट कएलनि, तखन लोकक खतना भेल अछि वा नहि, ई महत्वपूर्ण नहि अछि। बल्कि, महत्व एतबे अछि की हम मसीहपर भरोसा करैत अछि की नहि। विश्वास जे प्रेम द्वारा काज करैत अछि एनाक' हमसब ई देखाबएमे सक्षम छी जे हमसब मसीहपर विश्वास करैत छी।7अहाँसब त' मसीही जीवनमे आत्मिकरुपस' बहुत नीक प्रगति क' रहल रही! अहाँके कहियो केकरो आगु बढ़एस' नहि रोकए नहि देब चाही, जाहिस' जे बात सत्य अछि ओ अहाँके विश्वासमे नहि ल' सकए! 8ओ परमेश्वरे छथि जे अहाँसबके बजबैत छथि। ओ ओहन व्यक्ति नहि छथि जे अहाँसबके एहन सोंचएलेल प्रेरित क' रहल छथि!9ई झूठ शिक्षा अहाँसबके धोखा द' सकैत अछि, जेना कनि आंटामे कनि खमीर मिला देलापर सबटा आंटाके फुला दैत अछि।10किएकत' परमेश्वर हमरासबके प्रभु यीशुके संग एकजुट कएने छथि, तएं हमरा विश्वास अछि जे अहाँसब मात्र जे हम अहाँसबके कहलहुं एकर विपरीत अहाँसबके दोसर सोंच नहि होएत, परमेश्वर ओकरासबके दण्डित अवश्य करताह जे अहाँके एहि बातसबके विषयमे भ्रमित क' रहल अछि, चाहे ओ केओ होइक।11हे संगी-विश्वासी, रहल बात हमर, जं हम एखनो प्रचार करैत छी जे मनुष्यके खतना करबाक चाही धर्मी ठहरबाक लेल त' निश्चितरुपस' हमरा केओ नहि सताओत! एना अछि त क्रूसके ठोकर हटि जएबाक चाही।12भला होएत जे अहाँसबके परेशान करएबला लोक, स्वयंके नपुंसक बना लेत!13यौ भाइसब, अहाँसब स्वतन्त्रताक लेल बजाओल गेल छी। मुदा एहि स्वतन्त्रताके शारीरिक इच्छा लेल नहि बनए दिअ। मुदा प्रेमक द्वारा एक दोसराक सेवा करु।14एहन एहिलेल करु जे एकटा आज्ञामे समस्त व्यवस्थाके संक्षेपमे कहल गेल अछि जे परमेश्वर यहूदीसबके देलनि। ओ आज्ञा ई अछि जे “लोकस' ओतबे प्रेम करु जतेक अहाँ स्वयंस' प्रेम करैत छी।” 15आब जं अहाँसब जंगली पशु जकां एक-दोसरपर हमला करैत रहब आ क्षति पहुंचबैत रहब, त' सावधान रहू, जे एक-दोसरके पूर्णरुपस' नाश क' सकैत छी।16हम अहाँसबके कहैत छी जे पवित्र आत्माके अहाँसबहक अगुवाइ करए' दिऔ। जं अहाँ ई करब त', अहाँ निश्चितरुपस' ओ नहि करब जे अहाँक शरीरके पापपूर्ण व्यवहार करए चाहैत अछि।17एहन एहिलेल अछि जे अहाँक शरीरके पापपूर्ण व्यवहार करए चाहैत छथि जे ओकर विपरीत अछि जे पवित्र आत्मा करए चाहैत छथि। संगहि, पवित्र आत्मा जे करए चाहैत अछि, ओ ओकर विपरीत अछि जे अहाँक' पापपूर्ण स्वभाव करए चाहैत छथि। एहन एहिलेल अछि जे ओसब एक-दोसरके विरुद्ध सदिखन रहैत अछि। जेकर परिणाम ई जे अहाँ सदिखन ओ नीक काज नहि क' सकैत छी जे अहाँ वास्तवमे करए चाहैत छी।18मुदा, जं पवित्र आत्मा अहाँसबके अगुवाइ करए छथि, त' धर्म-नियम जे परमेश्वर यहूदीसबके देलनि अहाँसबपर नियन्त्रण नहि रखैत अछि।19अहाँसब साफ-साफ जनैत छी जे लोक अपन पापपूर्ण स्वभावके कारण की करैत अछि। ओसब यौन-अनैतिकता, अशुद्ध काम, आ असंयम अनैतिक कर्म करैत छथि।20संगे ओसब झूठ देवताके आराधना करैत छथि, जादू-टोना करैत छथि, बेर-बेर शत्रुता करैत छथि, लोकक संग झगड़ा करैत छथि, ईर्ष्या करैत छथि, क्रोधित व्यवहार करैत छथि, महत्वाकांक्षी काज करैत छथि, लोकक समूहक भितर विभाजनकारी काज करैत छथि, आ विभाजनकारी समूहक निर्माण करैत छथि।21संगे ओसब दोसरस' ईर्ष्या करैत छथि, निसामे धुत्त भ' जाइत छथि, निसामे धुत्त भ' क' उत्सव मनबैत छथि, आ एहन आन पापी काज करैत छथि। हम आब अहाँसबके ई पापपूर्ण काज करबाक विषयमे चेतबैत छी, ठीक ओहिना जेना हम अहाँसबके पहिने चेतावनी देने रही: जे केओ नियमित रुपस' एहि पापपूर्ण काज सबके करैत अछि, ओ परमेश्वरक राज्यके उत्तराधिकार नहि होएत।22तइयो पवित्र आत्मा हमरासबके जे मसीहमे विश्वास करैत छी दोसरस' प्रेम करए' मे आ आनन्दित, शान्ति प्रिय, धैर्यवान, दयालु, नीक, इमानदार, विनम्र आ आत्म-संयमके लेल सक्षम बनबैत अछि। कोनो एहन व्यवस्था नहि अछि जे लोकके ई नीक काज करएस' रोकए।24हमसब जे यीशु मसीहक लोक छी, ओ कएनाइ छोड़ि देने छी जे हमर पापपूर्ण स्वभाव करए चाहैत अछि आ मानवीय स्वभावके इच्छा आ ललसासबके क्रूसपर चढ़ा देने छी।25किएकत' पवित्र आत्मा हमरासबके आत्मिकरुपस' जीवित क' देने छथि, तएं हमरासबके पवित्र आत्माके अपनासबके नेतृत्व करबाक अनुमति देबाक चाही।26घमण्ड नहि करु। एक-दोसरके क्रोधित नहि करु। एक दोसरास' ईर्ष्या नहि करु।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67