Galatians4

1आब, हम बालक आ उत्तराधिकारीसबके विषयमे आगु चर्चा करब। उत्तराधिकारी ओ व्यक्ति होइत अछि जेकरा अपन पितास' विरासतमे भेटल सब वस्तुपर मालिकाना अधिकार आ नियन्त्रण होएत अछि। मुदा जहियाधरि उत्तराधिकारी बालके रहैत अछि ताधरि दोसर लोक ओकरापर नियन्त्रण रखैत अछि, जाहिके परिणाम ई अछि जे ओ दास जकां होइत अछि।2ओहि दिन धरि, जेकरा ओकर पिता पहिनहि निर्धारीत क' लेने रहैक, ताधरि दोसर लोक बालकके देखभाल करैत अछि आ ओकर सम्पत्तिक प्रबन्धन करैत अछि।3तहिना, जखन अपनासब आत्मिकरुपस' अपरिपक्व रही आ हमसब एखन धरि मसीहमे विश्वास नहि कएने रही तखन हमसब संसारके शासन करएबला आत्मासबके अधीन भ' गेल रही जाहिस' एहि संसारमे सब केओ जिऐत अछि। ओ प्रारम्भिक सिद्धान्तसब हमरासबपर ओहिना नियन्त्रण रखैत छल जेना मालिक अपन दासपर नियन्त्रण रखैत अछि।4मुदा जं ओ ठीक समय आएल जे परमेश्वर पहिनेस' निर्धारीत कएने छलाह, ओ अपन पुत्र यीशुके संसारमे पठौलथि। एकटा मानवीय मायस' जन्मलनि, आ हुनका ओहि व्यवस्थाके पालन करए पड़लनि जे परमेश्वर मूसाके देने रहथि।5परमेश्वर यीशुके जे हमसब जेकरा परमेश्वरक धर्म-नियमक पालन करबाक छल जे ओ मूसाके देने रहथि ओहि नियमक पालन नहि करबाक कारण दोषी ठहरएस' बचएबाक लेल पठौलनि। परमेश्वर ई काज एहिलेल कएलनि जे हमसब हुनकर सन्तानके दर्जा पाबि सकी।6संगहि, परमेश्वरके आत्माके हमरासबहक भितर रहबाक लेल पठौलनि, किएकत' आब हमसब परमेश्वरसंगे एतेक घनिष्ट सम्बन्धमे छी जे जेना हमसब हुनकर पुत्रसब छी। ई हुनक आत्मा अछि जे हमरा उत्साहस' परमेश्वरके “हे अब्बा, हे पिता” कहबाकलेल सक्षम बनबैत अछि!7एहिलेल, परमेश्वर जे कएने अछि, ओहि कारण अहाँमेस' सबगोटे आब दास जकां नहि रहलहुं। संगहि, अहाँसबमेस' प्रत्येक लोक आब परमेश्वरक सन्तान जकां छी। किएकत' अहाँसबमेस' प्रत्येक लोक आब परमेश्वरक सन्तान जकां छी, एहिदुआरे परमेश्वर जे अहाँसबमेस' सबगोटेके अपन उत्तराधिकारी बनौने अछि जेकरा ओ ओएहसब देत जेकरालेल ओ प्रतिज्ञा कएने रहथि।8अहाँसब प्रभु यीशुमे विश्वास करएस' पहिने, अहाँसब ओहि देवता सबहक सेवा करैत छल जे वास्तवमे कोनो अस्तित्वमे नहि छल। अहाँसब ओहि समयमे दास जकां रही, कारण अहाँसब आत्मिक बन्हनमे छल।9मुदा आब अहाँसब परमेश्वरके नीक जकां जनैत छी। शायद ई कहल नीक होएत जे आब परमेश्वर अहाँसबमेस' प्रत्येकके बहुत नीक जकां जनैत छथि। त' आब अहाँ मूर्खइ काज क' रहल छी! अहाँसब फेरुस' विश्वासक' रहल छी जे सिद्धान्तसब आ संस्कारके पालन करब अहाँके आत्मिकरुपस' फायदा होएत! ओ नियम अप्रभावी आ अपर्याप्त अछि! अहाँ फेरु हुनकासबहक बात मानए चाहैत छी जेना दास अपन मालिकके बात मानैत अछि।10अहाँ गैर-यहूदीसब यहूदीसबहक नियम आ रीति-रिवाजसबके ध्यानस' पालन करैत छी जे यहूदीसबके किछु खास दिनमे आ किछु खास समयमे किछु मासक, मौसम आ वर्षमे अहाँके की करबाक चाही।11हम अहाँक गलत विचारस' भयभीत छी! एतेक मेहनती भ' क' हम व्यर्थमे अहाँक सेवा नहि करए चाहैत छी।12हे हमर संगी-विश्वासी भाइसब, हम अहाँस' जोरदार अनुरोध करए छी, जे जेना हम करैत छी ओहिना अहूं करु। ई सोंचनाइ छोड़ू जे मूसाक व्यवस्थामे निर्धारीत यहूदी नियम आ संस्कारके पालन करए पड़त। जखन हम अहाँक संग छलहुं, तखन हम यहूदीसबहक सब नियम आ संस्कारके पालन नहि कएलहुं, जेना अहाँ सेहो ओकर पालन नहि कएलहुं। ओहि समय अहाँ हमरासंग अधलाह व्यवहार नहि कएलहुं जेना हमरासंगे अहाँके करबाक चाही।13अहाँसबके स्मरण होएत जे हम अहाँसबके ई सुसमाचार एहिलेल प्रचार कएलहुं जे हम शारीरिक रुपस' कमजोर छल आ ठीक भ रहल छल। ओहि बेमारीस' भेटल अवसरके कारण हम अहाँसबके सुसमाचार सुना सकलहुं।14हमर शारीरिक बेमारीक कारण अहाँसब हमरा तिरस्कारपूर्ण व्यवहार क' सकैत रही, मुदा हमरा तिरस्कार नहि कएलहुं आ नहि हमरा अस्वीकार कएलहुं। बल्कि, अहाँ हमरा ओहिना स्वागत कएलहुं जेना परमेश्वरक कोनो स्वर्गदूतके करब। अहाँ हमरा ओहिना स्वागत करैत छी जेना अहाँ स्वयं यीशु मसीहक स्वागत करब!15हम निराश छी जे अहाँ बिसरि गेलहुं जे ओहि समयमे अहाँ गवाही देने रही जे अहाँ हमरापर प्रसन्न रही। हमरा पक्का बुझल अछि जे अहाँ हमरा किछु मदति कएने रहितहुं।16एहिलेल हम बहुत निराश छी जे आब अहाँसब एहन व्यवहार करैत छी जेना हम अहाँक शत्रु बनि गेल छी, किएकत' हम अहाँसबके मसीहक सत्य सुसमाचारक प्रचार सुनबैत रहलहुं। 17जे सब यहूदी धर्म-नियमक पालन करबाक जिद्द करैत अछि, ओसब उत्सुकतापूर्वक अहाँसबस' रुचि देखा रहल छथि, मुदा ओसब एना एहिलेल नहि क' रहल अछि जे ओकरासबके मनसाय नीक अछि। ओसब ई एहिलेल क' रहल अछि जे ओसब चाहैत अछि जे अहाँ हमरा आ ओहि झुट्ठा शिक्षकसबके संग संगति नहि करु जे मसीहक विषयमे सत्य सिखबैत अछि। ओ चाहैत अछि जे अहाँ ओकरास' जुड़एस' बेसी हुनकामे उत्सुकतापूर्वक रुचि राखी, हमरासबमे नहि18मुदा, सदिखन उचित काज करबाक लेल उत्सुकतापूर्वक इच्छास' करब एकटा सम्मानजनक बात अछि। हम चाहैत छी जे अहाँ उत्सुकतापूर्वक उचित काज करबाक इच्छा राखू, जखन हम अहाँक संग रहब आ जखन हम अनुपस्थित रही,19अहाँसब जे हमर सन्तान जकां छी, एकबेर फेरु हम अहाँसबहक लेल बहुत चिन्तित छी, आ जाधरि अहाँसब अपन सोंच आ व्यवहारमे मसीह जकां नहि भ' जाएब, ताधरि हम अहाँसबहक चिन्ता करैत रहब।20मुदा, हम एखन अहाँसबहक संग रहि सकितहुं आ अहाँसबस' बेसी कोमलतास' बात क' सकितहुं, किएकत' एखन हमरा नहि बुझल अछि जे अहाँसबहक लेल की करी।21अहाँसबमेस' किछुगोटे ओहि पूरा व्यवस्थाके पालन करए चाहैत छी जे परमेश्वर मूसाके देलनि। हम कहैत छी जे मूसा जे किछु शास्त्रमे लिखने छथि तेकर अर्थ पर विचार करु।22ओ शास्त्रमे लिखने छलाह जे अब्राहम दूटा बेटाके पिता भेलनि। हुनकर दासी हागार एकटा बेटा आ हुनकर पत्नी सारा जे दासी नहि छलीह, दोसर बेटाके जन्म देलनि। 23ओहि पुत्र सबहक बीच मतभेद सेहो छल। दासी हागारस' जन्मल पुत्र इश्माएल शरीरस' गर्भमे आएल छल। मुदा इसहाक, हुनकर पत्नी सारास जनमल पुत्र छल, जे दासी नहि रही, चमत्कारीक रुपस' गर्भमे आएल छल, कारण परमेश्वर अब्राहमसंगे जे प्रतिज्ञा कएने रहथि ओकरा पूरा करएलेल ओ हस्तक्षेप कएने छलथि।24हम ई बात अहाँसबके उदाहरणक रुपमे कहि रहल छी। ई दुनू स्त्री दू प्रतिज्ञाके प्रतीक अछि। परमेश्वर पहिन करार कएलनि, जाहिमे सीनै पर्वतपर परमेश्वर मूसाके देल गेल व्यवस्थाके पालन करब सेहो सहभागी छल। कारण ई वचनबद्धता एकरा स्वीकार करएबलाके अपन सब नियमके पालन करए लेल बाध्य करैत अछि, ई एकटा दासत्वके माय जकां अछि जे दासके जन्म दैत अछि। तएं दासी हागार एहि प्रतिज्ञाके प्रतीक अछि।25एकर अतिरिक्त हागार अपन नियम आ रीति-रिवाजक संग ओहि प्रतिज्ञाके प्रतीक अछि जे परमेश्वर अरब देशमे सीनै पर्वतपर मूसाक संग कएने छलाह। हागार यहूदी धर्मके प्रतीक सेहो अछि। यहूदी धर्म यरूशलेमस' एकटा दासी माय जेना अछि, आ जे यहूदी धर्मक पालन करैत अछि, ओ दास बच्चा जेना अछि, कारण ओकरासबके ओहि नियमक पालन करए पड़ैत छै जे परमेश्वर मूसाके देने छलाह।26मुदा एकटा स्वर्गीय यरूशलेम अछि, आ हमसब स्वर्गीय यरूशलेमके छी एहिलेल ओ हमरासबहक लेल माय जकां छथि जे मसीहपर विश्वास करैत अछि जे लोक स्वर्गीय यरूशलेमके छै, ओ मूसाके व्यवस्थाके पालन करए लेल स्वतन्त्र अछि आओर ओ व्यवस्थाके पालन नहि कएलक कारण निनस' मुक्त अछि।27हमरासबहक नव नगरमे यरूशलेममे रहनिहार लोकस' बेसी लोक रहत। ई ठीक ओएह होएत जेना यशायाह भविष्यवाणी शास्त्रमे लिखने छलाह ओहि लोकक विषयमे जेकरा ओ निर्वासन स' यरूशलेम घुरबाक आशा रखैत छलाह। ओकरा आशा छलनि जे ओसब निर्वासनमे लेल गेल लोकसबस' बेसी भ' जएताह। ओ लिखने छथि: यरूशलेममे रहनिहारसब, आनन्दित रहू! एहि समय अहाँक कोनो सन्तान नहि अछि, जेना निसन्तान स्त्री जे कोनो सन्तान नहि जन्म दैत अछि! मुदा कहियो अहाँ जतेक जोरस' हंसी-खुशीस' चिचिआएब, भलेहि एखन अहाँक संख्या ओतेक कम अछि जतेक कोनो एहन महिला जे सन्तान नहि पैदा क' सकैत अछि, आ अहाँ स्वयंके त्यागलहुं बुझति छी। अहाँ बहुत खुश रहब कारण अहाँक बहुत रास बच्चा होएत जेसब अहाँ लग आओत। ओ बच्चासब ओकरासबस' कतेको बेसी होएत जे पतिक संग रहनिहारि कोनो स्त्रीस' जन्म भ' सकैत छल। 28आब, हमर संगी-विश्वासीसब, अहाँसब परमेश्वरक सन्तान बनि गेल छी किएकत' परमेश्वर अब्राहमसंगे कएने प्रतिज्ञा पूरा कएलथि। अहाँ इसहाक जकां छी, जे एहिलेल उत्पन्न भेलाह जे परमेश्वर अब्राहमके जे वचन देने छलाह से पूरा कएलनि।29संगे बहुत दिन पहिने अब्राहमके पुत्र इश्माएल, जेकर शरीर अनुसार जन्म भेल छल, अब्राहमके पुत्र इसहाकके परेशानी उत्पन्न कएने छल जे परमेश्वरके आत्मास' गर्भमे भेल छल। तहिना, जे आब ई सोंचैत छथि जे परमेश्वर हमरासबके उद्धार करबाक लेल परमेश्वर मूसाके देल गेल व्यवस्थाके पालन करबाक चाही, ओसब अब्राहमके वंश, अर्थात् मसीहमे विश्वास करएबलासबके सतावि रहल अछि। 30मुदा मूसा उत्पत्तिक पुस्तकमे एकटा पवित्र शास्त्रमे ई बात लिखने छथि: “ओ स्त्रीके बेटा जे दास नहि छल, ओकरा अपन पिताक सम्पत्ति उत्तराधिकारी भेटतैक। दासक बेटाके ओसब वस्तु अवश्य उत्तराधिकारमे नहि भेटतैक। तएं ओहि दासी आ ओकर बेटाके एहि ठामस' भगा दिऔ!” 31हे हमर संगी-विश्वासीसब, हागार ओहि धर्म-नियमक प्रतीक अछि जे परमेश्वर मूसाके देलथिन। मुदा हमसब एहन नहि छी जे परमेश्वरद्वारा मूसाके देल गेल समस्त व्यवस्थाके पालन करए पड़त। तएं हमसब दासी हागारके आत्मिक वंश नहि छी। मुदा साराके वंश ओ लोक छै जे परमेश्वरक अब्राहमके प्रतिज्ञाके पालन करएके परिणाम स्वरुप उत्पन्न होइत अछि। एहिलेल हम साराके आत्मिक वंश छी, यानी ओहि स्त्रीके जे दासी नहि छलीह।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67