Galatians6
1हे संगी-विश्वासी, यदि अहाँके बुझल होए त' कोनो दोसर विश्वासी किछु अपराध क' रहल अछि, त' अहाँ जे आत्मिक विश्वासी छी आ परमेश्वरके आत्मामे चलैत छी, ओकरा ओहि व्यक्तिके धीरे-धीरे सुधारबाक चाही। ई करैत काल अहाँके बहुत सावधान रहए पड़त जाहिस' अहाँ परीक्षामे नहि पड़ि जाइ।2एक-दोसरके अपन समस्यास' उबारएमे मदति करु। एहि तरहें अहाँसब मसीहक व्यवस्था पूरा करब।3हम ई एहिलेल कहैत छी जे जे गलत तरीकास' स्वयंके दोसरस' नीक बुझति अछि, ओ स्वयंके धोखा दैत अछि आ सत्यपर नहि विश्वास करैत अछि।4बल्कि, अहाँसबमेस' प्रत्येकके अपन काजके लगातार जांच करबाक चाही। की अहाँ की क' रहल छी। तखन अहाँ जे केकरो आन कएने अछि ताहिपर गलत गर्व करबाक बदला स्वयं जे कएलहुं, ताहिपर सही गर्व क' सकब।5हम ई एहिलेल कहैत छी जे अहाँसबमेस' प्रत्येकके ओ काज करबाक चाही जे परमेश्वर अहाँसबके करबाक लेल देने छथि।6जं संगी-विश्वासीसब अहाँसबके परमेश्वरक वचनस' नीक बात सिखबैत छथि, त' जे किछु अहाँ लग अछि से हुनकासबहक' संग सझिया क' लिअ।7स्वयंके धोखा नहि दिऔ: केओ परमेश्वरके तिरस्कार नहि क' सकैत अछि! एहन एहिलेल अछि किएकत', ठीक ओहिना जेना किसान ठीक ओएह फसल काटत जे ओ बोइत अछि, लोकके अपन कएल काजक परिणामके अनुभव करए पड़ैत छै।8जे सब अपन पापपूर्ण स्वभाव जे करए चाहैत अछि से करैत अछि, तखन ओकरासबके एना करबाक परिणाम भोगए पड़तैक। परमेश्वर हुनकासबके अनन्तकालधरि सजाय देथिन। मुदा पवित्र आत्माके प्रसन्न करएबला लोकनि एना करबाक फल भोगताह। पवित्र आत्मा हुनकासबके परमेश्वरक संग अनन्त जीवनमे रहएमे सक्षम बनाओत।9हमसब नीक काज करबामे नहि थाकब, किएकत' हम जे करब ओकर उचित समयपर नीक फल भोगब। जं हमसब ई नीक काज करब बंद नहि करब त' ई निश्चितरुपस' होएत।10एहिलेल, जखन हम क' सकी, हम ओएह करी जे सबहक लेल नीक होए। आउ हम विशेषरुपस' यीशुमे भेटएबला अपनासब विश्वासीसबके परिवारके लेल ओएह करी जे नीक अछि।11हम ई बात अहाँके अपने हाथस' लिख रहल छी। ध्यान दिऔ जे अक्षर कतेक पैघ अछि!12जे केओ अपन शरीर रुपस' यहूदीसबके प्रभावित करए' चाहैत अछि, से अहाँसबपर दबाव बनबैत अछि जे अहाँक' खतना कराओल जाए। ओसब ई केवल एहिलेल करैत अछि की ई मानबाक लेल जे यीशु मसीह हमरासबहक उद्धार करबाक लेल क्रूसपर मरि गेलाह, जे यहूदीसबहक अत्याचारस' बंचि सकी।13हम ई एहिलेल कहैत छी जे जेकरा केकरोद्वारा खतना कएल गेल अछि से सब सेहो ओहि व्यवस्थाके पालन नहि करैत अछि जेकरा परमेश्वर यहूदीसबके देने छलथि। बल्कि, ओसब अहाँक खतना एहिलेल करए चाहैत छथि जे ओ अहाँक शरीरपर गर्व क' सकथि।14जत' धरि हमर बात अछि, हम खाली हमरासबहक उद्धार करबाक लेल क्रूसपर मरला हमर प्रभु यीशु मसीहके विषयमे घमण्ड करब! किएकत' यीशु क्रूसपर मरल, एहिलेल पापी संसार हमरालेल एकटा मृत आदमीके जकां भ' गेल अछि, आ हम एहि पापी संसारके लेल एकटा मृत आदमीके जकां भ' गेल छी।15हम यीशुके क्रूसपर मरए पर गर्व एहिलेल क' सकैत छी किएकत' लोकक' खतना भेल अछि की नहि भेल अछि, ई बात जरुरी नहि अछि। बल्कि, पवित्र आत्मा हुनकासबके नवका लोक बना रहल छथि, इहे बात महत्वपूर्ण अछि। 16हम प्रार्थना करैत छी जे परमेश्वर एहि प्रकारक व्यवहार करएबलासबके शान्ति प्रदान करथि आ हुनकापर कृपा करथि। हम ओहि इजराएली सबहक लेल सेहो ई बातके प्रार्थना करैत छी जे यीशुपर भरोसा करैत अछि आ परमेश्वरक लोक छथि!17हमर देहपर यीशुके घावके दाग एहिलेल अछि, किएकत' हम यीशुके विषयमे सत्यके प्रचार कएने छल। एहिलेल कोनो व्यक्तिके दोबारा एहिसब बातपर हमरा परेशान नहि करए दिऔ!18हे संगी-विश्वासीसब, हम प्रार्थना करैत छी जे हमरासबहक प्रभु यीशु मसीह अहाँसबके आत्मापर कृपा करथि! हम इएह आशा करए छी। आमीन!
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.