Exodus36
1“बजलेल आ ओहोलीआब आओर कारीगर सबसंगे ई काज करत। यहोवा ओकरासबके पवित्र तम्बू कोना बनाएबमे हुनकर सुझबुझ ओहि अनुसार करब ओकरासबके कुशल बनौने छथि।”2एहिलेल मूसा बजलेल आ ओहोलीआब आ आओर लोकसबके जेकरा यहोवा कुशल बनौने छथि ओकरा बजबएलकनि जेकरा ओहि काजसबमेस किछु काज ओसब करए से इच्छा छलथि।3ओसब पवित्र तम्बू निर्माणके लेल सबटा भेट मूसास' लेलक जे इजराएलीसब ओकरा लग ल क' आएल छल। मुदा इजराएलीसब मूसालग खुशीपूर्वक आओर भेट प्रत्येक भोर लबिते के लबिते रहए।4जाहिके परिमाण स्वरुप, प्रत्येक आ सब कुशल कारीगरसब पवित्र तम्बू बनाबएके अपन काज छोड़िक' मूसालग आएल।5मूसा कारीगरसब ओकर कहलक, “यहोवा हमरासबके आदेश देने अनुसार बनाबएस बहुते बेसी इजराएलीसब भेट लाबि रहल अछि!”6एहिलेल मूसा ओकरासबके छावनीमे एना घोषणा कर कहलक, “सब केओ आब पवित्र तम्बूके लेल भेट लओनाइ बंद करु!” त एहिलेल लोकसब भेट लओनाइ रोकि देलक।7ओकरासबलग जरुरति स बेसी समानसब छल।8काज कएनिहारसब मध्यमेस सबटा कुशल काज करएबलासब दसटा सूतीके मेहीस बांटल लम्बा परदास', पवित्र तम्बू बनौलक। एकटा कुशल करीगढ़ नीला, बैगनी, आ लाल धागा, लेलक आ एहि पर्दाके सन्दूकके छातीपर देखओने नमूना अनुसार गढ़लक जे करूबसब जकां देखाइत छल जे सन्दूकपर छल। ई बहुत कुशल कारीगर बजलेल द्वारा बनाओल गेल छल।9प्रत्येक पर्दा साढ़े चौदह मीटर लाम्बा आ दू मीटर चौड़ा छल। सबटा पर्दा एके आकारके छल।10ओ पांचगो पर्दाके एकसंग सिब देलक एकटा बनाबए, आ दोसर भागके लेल पांचगो पर्दाके एके संग सिब देलक।11प्रत्येक भागके लेल, ओ नीला वस्त्रस छोंरी बनौलक आ पर्दाके बहरिया भागमे ओकरासबके बान्हि देलक, एना ओ प्रत्येक भागके लेल कएलक।12ओ पचासटा छोंरी पहिन भागके कोन्हपर ध देलक, आ पचासटा दोसर भागके कोन्हपर जे छोंरीसब सोझा सामने होइक।13ओ पचास गो सोनाके अकुसा बनौलक आ दुनू भागके संगे बान्हि देलक जे ई एकटा पवित्र तम्बूके एकाइ भ जाइक।14बकरीके केशस बनल एघार गो वस्त्रस पवित्र तम्बूके उपरस झंपना बनएलक।15ई एगारहो वस्त्र एके माप के छल: पन्द्रह मीटर लम्बा आ दू मीटर चौड़ा छल।16ओ पांचटा टुकड़ाके एक भाग बनाबए लेल सिदेलक, आ छह टा टुकड़ाके दोसर भाग बनाबए लेल एकसंग सिब देलक।17ओ नीला वस्त्रस एक सय छोंरी बनौलक, आ पचासटा एक भागके कोन्हसब पर आ पचासटाके दोसर भागके कोन्हसब पर बान्हि देलक।18तम्बूके एकटा नमहर भागके जोड़ लेल ओ पीतरिके पचासटा कंड़ी बनौलक।19ओ दोसर भाग लाल रंगल भेंड़के खालस' बनल तम्बूके झंपना बनौलक, आ उपरका झंपना सीलके खाल बनौलक।20ओ पवित्र तम्बूके लेल ठाढ़ भेल पटहा बबूरके काठस बनौलक।21प्रत्येक पटहा पांच मीटर लम्बा आ पओने मीटर चौड़ा छल।22ओ दूटा नीचामे ठोकना बनौलक जे पटहा एकसंग जोड़ा जाइक। ओसब वासस्थान के लेल प्रत्येक पटहा एहने बनौलक।23ओ पवित्र तम्बूके दक्षिणबरिया भागके लेल बीसटा पटहा बनौलक।24ओ बीसटा ढांचाके नीचा चानीके चालीसटा आधार बनौलक। ओ प्रत्येक ढांचाके नीचा दूटा आधारके ध देलक आ दूटा ठोकना स आधारमे ठोकिक कसि देलक।25दोसर दिस — जे अछि, उत्तरदिसि — बीसटा पटहा ओहि पवित्र तम्बूके लेल बनौलक26आ ओकरासबहक लेल चालिसटा चानीके आधार बनौलक। ओ प्रत्येक पटहा के नीचा दूटा आधार राखि देलक।27पवित्र तम्बूके पछिलुके भागके लेल, पश्चिम दिसमे, ओ छौटा पटहा बनौलक।28पवित्र तम्बूके पछिलुके कोन्ह के लेल दूटा पटहा बनौलक।29ओ ओकरासबके निचास उपर धरि नीक जकां जोड़ी देलक। ओ उपर बलाल भागके एकटा चुड़ी स बान्हि देलक। ओ दुनूके कोन्हबला टुकरा, बनाबलेल कएलक।30ओ आठटा पटहा बनौलक आ सोलहटा चानीके आधार, दूटा आधार प्रत्येक पटहा के नीचा।31ओ बबूरके काठस घेरबा बनौलक। ओ पवित्र तम्बूके उत्तर दिस पटहा के लेल पांचटा घेरबा बनौलक,32पवित्र तम्बूके दक्षिण दिस पटहा के लेल पांचटा घेरबा, आ पवित्र तम्बूके पश्चिम दिस रहल पटहा के लेल पांचटा घेरबा बनौलक।33ओ बीचमे बिचला घेरबा पटहा के ठीक बीचमे बनौलक, एक कोन्हस दोसर कोन्ह धरि छुबैत छल।34ओ घेरबा आ पटहा के सोनास मोहोरि देलक। ओ घेरबा सबके पटहा मे बान्ह लेल सोनास चुड़ी बनौलक।35ओ मेही सूती स पर्दा बनौलक। कुशल कारीगरसब एहिके नीला, बैगनी, आ लाल धागा, स कढ़ाइ कएलक, जे पवित्र सन्दूकके उपर रहल पंखिबला जीवनके नमूना जेहन छल।36ओ पर्दा टांगएलेल बबूरके खम्हासब बनौलक। ओ ओहिसबके आ ओकर अकुसा सबके सोनास मोहोरि देलक। ओ खम्हाके लेल चानीके चारिटा आधार बनौलक।37ओ तम्बूके प्रवेशद्वारपर पर्दा बनौलक। एकटा कुशल बुनिहार मेही सूती संग नीला, बैगनी, आ लाल धागा स ओहिके कढ़ाइ क' क' बनौलक।38पांचगो खम्हासब आ ओहिपर अंकुसासब ओ इहो बनौलक। ओ खम्हासबके फुंची के आ चूर सबके सोनास आ मोहोरि देलक आ प्रत्येक खम्हाके आधार पीतरि स बनौलक।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.