Exodus35

1तब मूसा सारा इजराएलीसबके एक्कठा कएलक आ ओकरासबके कहलक, “यहोवा अहाँसबके इहे आदेश देने छथि।2अहाँसब छओ दिन सप्ताहमे काज करब, मुदा सातम दिन, अहाँ विसराम करबे करब। ई अहाँसबहक लेल यहोवामे समर्पित, पवित्र दिन अछि। सातम दिन जे केओ काज करए तेकरा अहाँसब मारि देबै।3विश्रामके दिनसबमे अहाँसब अपन घरमे दिआ सेहो नहि जराएब।”4एकट्ठा भेल सबटा इजराएलीके मूसा आओर आगु कहलक, “यहोवा एहन आदेश देने छथि:5जे केओ चाहैत होइक जे यहोवाके किछु चढ़ाबी। ओसब एहन चढ़ौनासब लबैक: सोना, चानी, वा पीतरि,6बैगनी रंगस रंगल वस्त्र, नीक सूती वस्त्र, बकरीके केशस बनल वस्त्र,7लाल रंगल भेंड़ खालसब, सीलके खाल, बबूरक फरी वला काठसब,8जैतूनके तेल दिआ जराबएलेल, पुजारीसबके अभिषेक करए जैतूनके तेलमे मिलाबए लेल मसल्‍ला, आ सुगन्धित धुपमे मिलाबए लेल मसल्‍ला,9पुजारीके एपोदमे आ सीनाबन्द जे एपोदके उपर रहैत अछि ताहिमे जड़एलेल मणिक आ कीमती पत्थलसब। 10अहाँसबमे भेल सबटा कारीगर आबौक आ ई सबकिछु बनबौक जे यहोवा बनब लेल आदेश देने छथि:11भीतरमे भेल तम्बू सहितके पवित्र तम्बू; एकर झंपना, अंकुसासब, ढांचासब, धरइन सब, खम्हा खुटासब, आ आधार सब;12झंपना भेल खम्हा सहितके पवित्र सन्दूक, महा पवित्र स्थानस पवित्र स्थान अलग करए से पर्दा,13बोकएबला डंडा सहितके टेबुल आ एकर सबटा भाड़ा वर्तनसब, परमेश्वरके आगु चढ़ाएल जाएबला पवित्र रोटी,14इजोत करएलेल दिहैट आ एहिमे भेल सबटा दिआ आ आओर चीजसब, दिआके जराबलेल तेल,15धूप जराबलेल के वेदी आ वेदीके उठाबएलेल डंडा सब, अभिषेक करएलेल तेल आ सुगन्धित धूप, पवित्र तम्बूके प्रवेशद्वारि लेल पर्दा,16बलिदान चढ़ाबए लेल होमबलि वेदी आ एकर पीतरिके मेढ़ल, वेदीके उठाबलेल डंडा सब, अएलथि एकर सबटा चिज सब, कठौता आ एकर बिरबासब,17अंगनाके घेरए लेल पर्दा सब आ एकर खम्हासब पर्दाके खम्हासबके चाંड़ि देब आधार सब; अंगनाके प्रवेशद्वारिके पर्दा सब;18पवित्र तम्बू आ एकर अंगनाके लेल जौड़ी आ अकुसा सब,19हारून आ ओकर बेटासब जखन पवित्र स्थानमे पुजारीके काज करैत काल पहिरए लेल सुन्दर, पवित्र वस्त्रसब।”20तब सबटा इजराएलीसब मूसाके सुनएलेल जत एकट्ठा भेल छल ओसब मूसा अपन बात कहब समाप्त कएलाके बाद, मूसा लगस' चलि गेलनि।21जे जे ओ यहोवाके लेल दान देब चाहैत छल से देलक। ओसब पुजारीसबके पहिरए लेल पवित्र वस्त्रसब, आ पवित्र विधिके लेल उपयोगमे आबएबला लग आओर चीजसब, पवित्र तम्बू बनाबए लेल आवश्यक समानसब ल क आएल।22सबटा स्त्री आ पुरुषसब जे इच्छा कएलक से सिकरी, कुण्डल, औंठी, सोनाके गहनासब — सोनास बनल सब प्रकारक के चीजसब ल क आएल। तब ओसब ओहि चीजसबके उपर उठाक यहोवाके लेल समर्पण कएलक।23बहुते लोक जेकरालग नीला, बैगनी, वा चमकौआ लाल वस्त्र, वा मिहीन सूती, वा बकरीके केशस बनल वस्त्र, वा लाल रंगल भेंड़के खाल वा, सीलके छाला छल से एहन किछु चीजसब ल क आएल।24जे केओ चानी चढ़ाबी के इच्छा कएलक वा पीतरिके उपहार दबा चाहलक से ल क यहोवा लग आएल। केकरो लग बबूर गाछक काठ रहैक से भवन निर्माणमे कोनो भाग बनाबए लेल ल क आएल।25सब स्त्री जे वस्त्र बनाबएमे कारीगर छलीह से नीला, बैगनी, वा लाल ऊन आ मेही सूतीके धागा ल क आएल जे ओसब हाथस बनौने छलीह।26सब कारीगर स्त्रीसब जे बकरीके केशस धागा बनाबए चाहैत छलीह।27हारूनके पवित्र सिनाबन्द आ पवित्र एपोदमे बान्हएलेल अगुवासब अनिक्स नामक कीमती पत्थल आ आओर नीक पत्थलसब लएलक,28दिआके लेल, अभिषेकके तेल, आ सुगन्धित धुपके लेल मसल्‍ला आ तेल सब ल क आएल।29सबटा इजराएली स्त्री आ पुरुष जे एहन चीजसब यहोवाके लेल लाबिक स्वतन्त्र मनस यहोवाके लेल चढ़ाबए चाहैत छल जे काज मूसाद्वारा ओकरासबके करब ओ आदेश देने छलथि।30मूसा इजराएलीसबके कहलक, “ध्यानस सुनू। यहोवा ऊरीके बेटा, आ हूरके पोता, बजलेल नामक व्यक्तिके चुनने छथि जे यहूदा कुल अबैत अछि।31सब प्रकारक के चीजसब बुद्धिमानीपूर्वक आ कुशलतापूर्वक कोन तरहे बनाएब से जानके लेल यहोवाके आत्मा ओकरा सिखऔने छथि।32ओ सोना, चानी आ पीतरि मे कुशलतापूर्वक खोधिक कारीगरी सकैत अछि।33ओ कीमती पत्थल काटिक आ ओकरा सोनाके छोट-छोट बूटा जड़ि सकैत अछि। ओ काठमे खति सकैत अछि आ आओर उन्नत काज, आ कुशलतापूर्वक काज क सकैत अछि।34यहोवा दानके कुलके अहीसामाकके बेटा, बजलेल आ ओहोलीआबके आओर सब की करत सिखाबए योग्य बनाउने अछि।35ओ ओकरासबके सब किसिमके कारीगरी काजसब कुशलतापूर्वक करब योग्य बनौने छथि — जे अनेको शिल्पकारी वला काजसब, जे नीला, बैगनी, वा लाल ऊनी धागा स मेही सूती वस्त्रमे बूटा आ काढ़ाइ आ बुनए बला काजसब क सकैत अछि। ओसब विभिन्न किसिमके योजना बनाबए आ विभिन्न किसिमके शिल्पकारी काजसब क करएमे योग्य अछि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67