Exodus37
1तब बजलेल बबूरके काठस करारके पवित्र सन्दूक बनौलक। ओ एहिके एक सय पचीस सेंटीमीटर लम्बा, पचहतरि सेंटीमीटर चौड़ा, आ पचहतरि सेंटीमिटर उंचगर बनौलक।2ओ सन्दूकके बाहर भीतर शुद्ध सोनास मोहोरि देलक आ एहिके चारुदिस सोनाके घेरेबा बनौलक। 3ओ सोनाके चारिटा चुड़ी बनौलक आ सन्दूकके उपरका चारु पौवामे बान्हि देलक। ओ दूटा चुड़ी सन्दूकके दुनू दिस लगा देलक।4ओ बबूरके दूटा खम्हा बनौलक आ ओहिके सोनास मोहोरि देलक।5ओ ओहि खम्हाके सन्दूकके पौवामे लागल चुड़ी सबमे घुसिया देलक जे की लेवी एहिके उठाएल जा सकैक।6तेकरबाद बजलेल सन्दूकके ढकना शुद्ध सोनास' बनौलक। ई एक सय पचीस सेन्टिमिटर लम्बा आ पचहतरि सेन्टिमिटर चौड़ा छल।7ओ सोना बड़का ढेरस पिटक' सन्दूकके ढकनापर दुनू कात दूटा जीवनके रुप बनौलक जेकरा दूटा पांखि छल।8ओ सोनास' दूटा पांखिबला दूटा जीव सन्दूकके ढकनाके दुनू कात बनौलक, एकटा एक दिस आ एकटा आओर छल से दोसर दिस।9जीवनके पांखि खुजल छल आ ढकनाके झंपैत छल। ओसब एक-दोसरके सोझा सामने छल, बीचमे रहल सन्दूकके ढकना दिस मुंह कएने छल। 10तब बजलेल बबूरक काठस' एकटा टेबुल बनौलक। जे एक मीटर लम्बाइ, आधा मीटर चौड़ाइ, आ पौन मीटर उचाइक छल।11ओ टेबुलके शुद्ध सोनास मेढ़ देलक आ एहिके चारुदिस सोनाके घेरेबा बना देलक।12ओ एहिके चारुदिस सोनाके आठ सेंटीमीटर चौड़ाइ बिट बना देलक, आ ओहि बिट के चारुदिस सोनाके घेरेबा बना देलक। 13ओ सोनाके चारि गो चुड़ी गढ़लक। ओ एहिके टेबुलके चारु कोन्हपर बान्हि देलक। प्रत्येक चुड़ी ताबुल के प्रत्येक पौवा के लगमे छल14बिट के लगमे। ईसब टेबुलके उठाक ल जाएलेल डंडा घुसियाब लेल छल।15बबूर काठस ओ दूटा डंडा बनौलक आ ओहिके सोनास मेढ़ देलक। ईसब टेबुलके उठाक लजाएलेल छल।16टेबुलपर के सबटा सामग्रीसब ओ शुद्ध सोनास बनौलक — थारी स सब, बाटीसब, कटोरा सब, आ घैला सब उझैलक पुजारीके प्रयोग करएलेल यहोवाके लेल दाखमद्य चढ़ाबए लेल।17ओ दिहैट शुद्ध सोनास बनौलक। एकटा बड़का सोनाके ढेरके पिटक' एकर आधार आ डंडा बनौलक। ओ ओहि सोनाके ढेरस, कटोरा सब बनौलक, ओहिके सजाबलेल ओहिमे फुलाए लागल फूलक कोढ़ आ पत्ता सब सेहो बनौलक।18दिहैट मे छओटा डाइढ़ छल, तीन गो डंडाके दुनू दिस तीनटा।19प्रत्येक डाइढ़ पर सोनाके कटोरा छल जे ओहिपर बदाम के फूल जकां देखाइत छल। ओहि फूलसबमे फूलक कोढ़ आ पत्ता सेहो छल। दिहैटके छओ डाइढ़ मे एहने छल।20दिहैटके डाइढ़ पर चारिटा कटोरीसब सेहो छल जे बदाम के फूल जकां देखाइत छल, प्रत्येक मे फूलक कोढ़ आ पत्ता छल।21ओ प्रत्येक दूटा डाइढ़ के नीचा एकटा फूल बनौलक। ओ डाइढ़ के प्रत्येक जोड़ा एहिमे जेना ई बढ़ैत होइक बनौलक। ओ दिहैटके छओ डाइढ़ के एहने बनौलक।22ओ ईसब फूलक कोढ़सब आ डाइढसब, डंडा सहित, शुद्ध सोनाके एकटा बड़का ढेरस पिटक' बनौलक।23ओ शुद्ध सोनास बनौलक: सातटा दिआसब, जरल बथियर निकालि लेल चिमटा सब, आ जरल बथियर धर लेल बथियरदानी बनौलक।24ओ दियैठ, चिमटा सब, आ बथियरदानी बनाबलेल तेतीस किलो शुद्ध सोनास बनौलक।25बजलेल धूप जराबएलेल बबूरक काठस वेदी बनौलक। ई वर्गाकार चाल, आधा मीटर सब दिस आ एक मीटर उचाइ छल। वेदीपर सौंसे काठमे सिंघ जकां देखाएबला उठल छल।26ओ ओहिके चारुदिस सिंघ जकां देखाएबला अंश, शुद्ध सोनास बनल छल। ओ एहिके चारुदिस सोनास मेढ़ देलक। ओ एहिके चारुदिस सोनाके बिट लगा देलक।27ओ सोनाके दूटा चुड़ी बनौलक आ बिट के नीचा जोड़ी देलक। ई चुड़ी सब वेदीके डंडा घुसियाक उठाबि लेल छल।28ओ बबूरक काठस दूटा डंडा बनौलक आ एहिके सोनास मेढ़ देल।29बजलेल अभिषेकके लेल तेल आ शुद्ध मीठ गमकए वला धूप बनौलक। सुगन्धित धूप बनाबएबला धुपके एकसाथमे मिला दैत छल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.