Deuteronomy33

1परमेश्वरक' दास मूसाद्वारा अपन मृत्युस' पहिने इजराएली सबहक' लेल देल गेल आशीर्वादके वचन इएह अछि।2मूसा कहलनि, यहोवा सीनैस' अएलनि आ सेईर स' ओकरासबहक उपर उठलनि। पारानके पहाड स' ओ चमकलनि, दस हजार अपन पवित्र स्वर्गदूतसबके संग ओ अएलनि। आ हुनका दहिना हाथमे बिजलीक' चमक सहित अएलनि।3निश्चय, यहोवा अपन जनस' प्रेम करैत छथि, सब पवित्र जनसब अहाँके' हाथमे छथि, आ हुनकर लोक इजराएल सब अहाँके' चरणमे दण्डवत प्रणाम करैत अछि आ ओसब अहाँके उपदेश ग्रहण करैत अछि।4मूसा हमरासबके लेल व्यवस्था, याकूबके' समुदायक' लेल देलनि।5ओ यशूरूनके राजा छलथि, जखन प्रजा सबहक' नेतासब, इजराएलके कुलसब जमा भ' गेलाह। 6रूबेन बांचल रहए आ नहि मरए, मुदा ओकर आदमीसब कम होबए।7यहूदाक' आशीर्वादक' लेल मूसा कहलनि: हे यहोवा, यहूदाक' सोर सुनिऔ, आ ओकरा अपन आदमीसबलग फेरुस' लाबि दिऔ। ओकरालेल युद्धके' दिऔ; ओकर दुश्मनसबके' विरुद्ध ओकर मदतिगार बनिऔ।8लेवीके विषयमे मूसा कहलनि, अहाँके' तुम्मीम आ अहाँके' ऊरीम अहाँके' विश्वासयोग्य सेवक लेवीसब लग अछि, जेकरा अहाँ मस्सामे जांच कएने रहिऐ, जेकरास' अहाँ मरीबाके पानिमे झगड़ा कएने रहिऐ। 9ओ आदमी अपन पिता आ मायक' विषयमे कहने छल, “हम ओकरासबके आदर नहि करब।” ओ अपन भाइसबके' अस्वीकार कएलक, ओ अपने सन्तानसबके स्वीकार नहि कएलक। किएकत' ओ अहाँके' वचनके' रखबारी करैत छल आ अहाँके' करारक' पालन करैत छल।10लेवीसब याकूबके अहाँके' आदेशसब आ इजराएलीके अहाँके व्यवस्था सिखबैत अछि। ओ अहाँके' आगु धूप चढ़बैत अछि आ पूरा होमबलि अहाँके' वेदीपर चढ़बैत अछि।11हे यहोवा, ओकर सम्पत्तिमे आशीष दिऔक, आ ओकर हाथके' काजके ग्रहण करियौ। ओकर विरुद्ध उठएबला आदमीसबके' डाढ़ तोड़ि दिअए, आ ओसब फेरु नहि उठि सकी जे आदमीसब ओकरास' जरैत अछि।12बिन्यामीनके विषयमे मूसा कहलनि: यहोवाक' प्रियजन हुनका बगलमे सुरक्षित रहतनि। यहोवा भरि दिन ओकर ढाल बनल रहैत छथि, आ ओ यहोवाक' कान्हपर आराम करैत अछि।13यूसुफके' विषयमे मूसा कहलनि: उपर आकाशस' आबएबला अनमोल शीत', आ नीचा गहीरमे रहल पानिस' भिजा क' यहोवा ओकर देशके आशीष देथिन।14सूर्यके तापस' फलित अनमोल बालीस', प्रत्येक महिनाके फलित अनमोल उपज स' आशीषित होए।15प्राचीन पहाड़क' सबस उत्तम वस्तुसब आ अनन्त पहाड़क' अनमोल वस्तुसबके संग।16ओकर भूमि धर्ति आ ओकर प्रचुरताक' अनमोल बस्तु सबस', आ जड़ि रहल झाड़ीमे प्रगट हुअएबला यहोवाके नजरि यूसुफके' माथपर रहए, आ ओ ओकर भाइसबके' माथके' पर राजकुमार बनए।17प्रतापमे पहिन बिआएल बाछा जंका अछि, आ ओकर सींग जंगली सांढ़के सींग अछि। ओहिस' ओ लोकसबके पृथ्वीक' छोर धरि प्रहार करत। इफ्राइमक' दस हजार एहने होएत। मनश्शेक' हजारो एहने होएत।18जबूलूनके विषयमे मूसा कहलकनि, हे जबूलून, अहाँ बाहर हर्षित भ' क' जाउ, आ हे इस्साकार, अहाँ अपन तम्बूमे। हर्षित होउ।19ओसब आदमीसबके पहाड पर बजाओत। ओतए' ओसब धार्मिकताके बलि चढाओत। किएक त' ओसब समुद्रक प्रचुरता, आ समुद्रक कातक' बालुमे रहल धन उपभोग करत।20गादके विषयमे मूसा कहलकनि, गादके बढ़ाबए बला धन्य होए। ओ ओतए' शेर जकां रहत आ बांहि वा माथ चीरफार करत।21ओ अपनालेल सबस' नीक जमीन चुनलक, कारण नायक सबहक जमीन ओकर लेल अलग कएल गेल छल। आदमीसबके नायक सब जमा भेल छल। ओ इजराएली सबहक यहोवाक' न्याय आ हुनकर आदेशसब पूरा कएलनि।22दानके विषयमे मूसा कहलकनि, बाशानस' उछैल कुदैत आबएबला दान शेरके बच्चा अछि।23नप्तालीके विषयमे मूसा कहलकनि, यहोवाके' प्रशस्त अनुग्रहस भरल नाफ्तली हुनकर आशीष स' परिपूर्ण अछि। ओ पश्चिम आ दक्षिणके देशपर अधिकार करत।24आशेरके विषयमे मूसा कहलकनि, आन इजराएली कुलसबस' बेसी आशेरके कुल आशीषित अछि। अपन भाइसबके बीचमे स्वीकार होए आ ओ जैतूनक' तेलस' अपन पयर धोएत। 25अहाँसबके' सहरक' देवाल लोहा आ कांसके होएत, जेना अहाँके' दिन ओहने अहाँके' शक्ति रहत।26यशूरूनके परमेश्वर जकां केओ नहि अछि, जे मदतिके लेल आकाशमे सबार छथि, आ अपन प्रतापमे मेघपर। 27अनन्तके परमेश्वर शरण स्थान छथि, आ नीचा सनातनके पखुरा छथि। ओकरा “नाश करु!” कहैत ओ अहाँसबके सामनेस' दुश्मनसबके भगा देथिन।28अन्न आ नव दाखमद्यके देशमे जत' आकाश शीत खसबैत अछि, याकूबके सन्तान सुरक्षित रहत।29हे इजराएल अहाँ बहुत आशीषित छी, यहोवाके' द्वारा उद्धार कएल जाति अहाँसबके' समान दोसरके अछि? अहाँसबके' सहायताक' ढाल, आ अहाँसबके' महिमाक' तरुआरि? अहाँसबके दुश्मनसब डरस' थरथराइत अहाँसबलग आबि जाएत। अहाँसब ओकरासबहक' उच्च स्थान सबपर कब्जा करब।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67