Deuteronomy34
1तेकरबाद, मूसा मोआबक मैदान स' यरीहोके सामने रहल नबो पहाड़के पिसगा पहाड़के चोटीपर चढ़ि गेलनि। ओतहि यहोवा हुनका गिलाद क्षेत्रस' दानधरि समस्त देश देखौलथि।2समस्त नप्ताली, इफ्राइम आ मनश्शेक' देश आ यहूदाक समस्त देश, भूमध्य सागर जतेक पश्चिम धरि।3आ यहूदाके दक्षिणी भाग आ यरीहो उपत्यकाक ' समथर भू-भाग, कहुरक' नगर, सोअर नगर धरि।4यहोवा मूसाके कहलथिन, “अहाँसबके' आबएबला सन्तानके देब कहिक' अब्राहम, इसहाक आ याकूबके साथ शपथ खा' क' प्रतिज्ञा कएने देश इएह अछि। अहाँ एहि देशके अपन आंखिस' देख सकैत छी मुदा ओतए' अहाँ जा' नहि सकब।”5तखन यहोवाक' वचन अनुसार यहोवाके' दास मूसा ओतहि मोआब देशमे मरि गेलनि।6यहोवा हुनका बेतपोर नगरके सामने मोआब देशके उपत्यकामे दफना देलकनि, मुदा आजुक दिन धरि हुनकर चिहान कत' अछि, ई केकरो नहि मालूम अछि।7एक सय बीस वर्षमे मूसाके मृत्यु भेलनि। हुनकर आंखि कमजोर नहि भेल छल, आ नहि हुनकर स्वभाविक बल सेहो कम नहि भेल छल।8इजराएलीसब तीस दिन धरि मोआबक' समथर भू-भागमे मूसाक शोक कएलक, तखन मूसाक' शोकक' दिन समाप्त भेल।9नूनक' पुत्र यहोशू बुद्धिके' आत्मास' भरल छलनि, किएकत' मूसा हुनकापर अपन हाथ राखि देने छलनि। इजराएलीसब हुनकर बात सुनिक' जे यहोवा मूसाक' देने आज्ञा पूरा कएलक।10तहियास' आइधरि इजराएलमे मूसा जकां कोनो प्रवक्ता नहि भेल अछि, जिनका यहोवा सोझामे चिन्हैत छलथि।11हुनका मिस्रदेशके राजा आ ओकरासब अधिकारीसब लग ओकर समस्त देशमे आश्चर्य चिन्ह आ आश्चर्यकाजसब करबाक लेल यहोवा हुनका पठौलनि, ताहिमेस' हुनका जकां कोनो प्रवक्ता कहियो नहि भेल अछि।12सारा इजराएलीके नजरिमे मूसा जकां महान, भयानक काजसब, हुनकर प्रबल शक्ति आओर केओ कहियो नहि देखएलक।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.