Deuteronomy32

1हे आकाश कान हमरा वचनसबपर ध्यान दिअ, हम बजैत छी। हे पृथ्वी हमर मुहंक शब्दसब सुनू। 2हमर शिक्षा वर्षा जकां बरसए दिअ, हमर बात शीत जकां गिरए, कोमल घासपर झिसी फुन्ही जकां, आ गाछसबपर मुसलधार वर्षा जकां।3हम यहोवाक' नामक घोषणा करब, आ अपन परमेश्वरक' महानताके प्रशंसा करु।4ओ चट्टान छथि, हुनकर काज एकदम सही अछि; किएक त' हुनकर सब मार्ग न्यायसंगत अछि। ओ विश्वासयोग्य परमेश्वर छथि, अधर्मके वंचित। ओ न्यायी आ सत्य छथि। 5इजराएली लोकसब यहोवाके विरुद्ध भ्रष्ट काज कएने अछि। लज्जित होबएबला बात ओसब हुनकर सन्तान नहि अछि। ओसब विकृत आ टेंढ़ पिढ़ी अछि। 6की एहि तरहे अहाँसब यहोवाक' प्रति कृतज्ञता देखबैत छी, मूर्ख आ बेबकूफ आदमीसब? की ओ अहाँसबके' सृजनहार आ सृष्टिकर्ता अहाँसबके परमेश्वर पिता नहि छथि? जे अहाँसबके स्थापित कएलनि।7बहुत पहिने बितल दिन सबके स्मरण करु, बितल युग-युगके पुस्ताके विषयमे सोंचू। अपन पितास' पुछू आ ओ अहाँसबके कहि देत, अहाँसबहक बुजुर्गस' पुछू आ ओ अहाँसबके कहताह।8जहिया सर्वोच्च परमेश्वर जातिसबके ओकर उत्तराधिकार देलनि, जहिया ओसब मनुष्य जातिके बिभाजन कएलनि, ओ इजराएलीसबके गनती अनुसार ओकर सीमा ठहरौलनि आ ओ मनुष्य सबहक जाति अनुसार सीमा निर्धारीत कएलनि, ओ ओकरासबहक देवता सबहक संख्या सेहो निर्धारीत कएलनि। 9कारण, यहोवाक' निजी हिस्सा हुनकर आदमीसब अछि। याकूब हुनकर बांटल गेल उत्तराधिकार अछि।10यहोवा ओकरा मरुभूमिमे भेटल, आ बन्जर आ हुंकारैत मरुभूमि स्थानमे। यहोवा इजराएलीसबके सुरक्षा देलनि आ ओकर देखभाल कएलथि, ओकरा अपन आंखिक' बूईया जकां रक्षा कएलथि।11जेना गरुड़ अपन खोतामे पांखि पसारिके अपन बच्चाके सुरक्षा करैत अछि, यहोवा अपन हाथ पसारिक' ओकरासबके समेटि लेलनि, आ ओकरासबहक' अपन पिठपर बोकि लेलनि।12यहोवा एसगरे ओकरा अगुवाइ कएलनि। हुनकासंगे कोनो विदेशी देवता नहि छल।13ओ ओकरा धर्तिक' उंच स्थानपर पहुंचा देलकनि, आ खेतक' उपजनी खुअओलनि। ओ ओकरा चट्टानस' मह, आ चकमक पत्थलक' चट्टानस' तेल द' क' पोसैत छलथिन।14ओ गायक हेंड़स' आ भेंड़के हेंड़स' मक्खन खिअबैत आ दूध पिअबइत छलथि, पोसाएल भेंड़के' बच्चा, बाशानक बोकरा, गहूमक' निसन दानासब आ अहाँ अंगूर स' बनल फेनवला मधु पीबैत रहिऐ।15मुदा यशूरून मोट भ' क' लात मारि देलक, अहाँ बढिया भोजन क' मोट भ' क' पसरि गेलीह, ओ अपन सृजनकर्ता परमेश्वरके त्याग क' देलक, आ ओ अपन उद्धारक' चट्टानके अस्वीकारक' देलक। 16यहोवाके लोकसब विदेशी देवता सबहक' लेल यहोवाके जड़निहार बनोलक। अपन घृणित काजसबस' हुनका क्रोधित कएलक।17ओसब भुत सबके बलि चढ़बैत छल, जे परमेश्वर नहि छथि। ओसब ओहि देवतासबके नहि जनैत छल, जे हाले-सालमे प्रगट भेल छल, अहाँसबके पूर्वजसब ओहि देवतासबके भक्ति नहि कएने छलाह। 18अहाँसबहक' जन्म देबएबला चट्टानके त्याग देलिऐ, आ अहाँसबके जन्म देनिहार परमेश्वरके अहाँसब बिसरि गेलीह। 19ई देख यहोवा ओकरासबहक' तिरस्कार क' देलकनि, किएकत' ओकरासबहक' बेटाबेटी सबहक' कारणे ओ क्रोधित भेलथि।20ओ कहलथिन, “हम ओकरासबस' अपन मुंह नुका लेब,” आ हम देखब जे ओकरासबहक अन्त की होएत। किएकत' ओसब टेंढ़ पिढ़ी अछि, विश्वासघातीके सन्तानसब अछि। 21जे ईश्वर नहि अछि, ओकरे कारण ओसब हमरा जड़निहार बनएने छथि आ ओकरासबहक बेकारके मूर्तिसबस' हम खिसिया गेल छी। जे कोनो जाति नहि अछि, ओहि आदमीसबस' हम ओकरासबके डाही बनएबैक। मूर्ख जातिसबके द्वारा हम ओकरासबहक' क्रोधित करब। 22किएकत' हम पित्तस' जड़ि रहल छी आ नीचा पाताल धरि जराके राखिक' देत। ओ पृथ्वी आ ओकर फसलके डाहि देत। पहाड़क जड़िमे आगि सुनगादेत।23हम ओकरासबपर विपत्तिक' ढेर लगाएब। हम अपन बाण ओकरासबपर चलाएब।24ओसब भुखमरी, अनिकाल, प्रचण्ड तापस' नाश भ' जाएत। हम ओकरासबहक लेल हिंसक जंगली जानबरके पठाएब, जमीनमे घिसियाबला बिषधर।25बाहर गल्ली गल्लीमे तरुवारिक' शोक रहत, आ सुतएबला घरमे आतंक राज करत। ई युवक आ कन्या दुनूके नाश करत। दूध पिआ बच्चासब आ केश पाकि गेल बुजुर्ग सब सेहो।26हम कहलिएनि, “हम ओकरासबके दूर दराज धरि छिड़िया देब, हम ओकरासबहक' स्मरण आदमीसबके बीचस' मिटा देब।27हमरा दुश्मनके' उकसाहटि पसन्द नहि भेल, ओकरासबहक दुश्मनसब गल्तीस' न्याय करत, आ कहत जे ‘हमरसबहक हाथस' जीत भेटल,’ हम ईसब काज क' लेतीह।28कारण इजराएलीसब सुझबुझ नहि भेल जाति अछि, आ ओकरासबमे कोनो समझे नहि अछि।29आओर, ओसब बुद्धिमान रहितैए, आ ई बात बुझए वला रहितैए, ओसब अपन भविष्यपर विचार करत! 30ओकरासबहक चट्टान ओकरासबहक नहि बेचने रहितैए, यहोवा ओकरासबहक नहि त्यागने रहितैए त' कोना एक आदमी एक हजार इजराएली सेनाके खिहारि सकैत छल आ दू आदमी दस हजार इजराएलीसबके?31किएक त', हमरासबहक दुश्मनके' चट्टान हमरासबहक' चट्टान जकां नहि अछि, ई बात हमरासबहक दुश्मनसब सेहो स्वीकार करैत छै।32ओकरासबहक लत्ती सदोमक' लत्तीस', आ गमोराक' खेतस' अबैत अछि। ओकरासबहक अंगूर बिषक' अंगूर अछि। ओकरासबहक अंगुरक' थौंकाके थौंका तीत छै।33ओकरासबहक दाखमद्य सांपके बिष आ काला नागक बिष अछि।34की ई योजना हमरा मनमे आ हमर भण्डारमे छाप लगाक' राखल नहि अछि?35प्रतिशोध देबएके आ इनाम देबएके काज हमरे अछि, ओकरासबहक पयर पिछरला पर प्रगट होएत। किएकत' ओकरासबहक विपत्तिक' दिन लग आबि गेल अछि, आ जे दुख कष्ट ओकरासबपर आबएबला अछि से जल्दिए आबि रहल अछि।” 36किएकत' जखन यहोवा अपन प्रजा सबके बल जा' रहल अछि आ बंधुआ आ फुक्का केओ नहि रहल ओ देखथिन। तखन यहोवा अपन प्रजाके न्याय करथिन आ अपन सेवकसबपर दया देखओथिन।37तखन ओ कहथिन, “ओकरासबहक देवता कत' अछि, ओसब शरण लेल चट्टान?”38जे देवतासब ओकरासबहक' चढ़ओनाक' अपन यज्ञक चर्बी खाइत छल आ ओकरासबहक चढाएल दाखमद्य पीबैत छल? ओसब उठिक' तोरा सबहक सहायता करए। ओहे तोरा सबहक ढाल बनए।39आब देखू, जे हम ओएह छी, हमरा छोड़िक' कोनो परमेश्वर नहि छथि। हम ही मारैत आ जीवित करैत छी। हम घायल आ हम ही ठीक करैत छी, आ हमरा सामर्थ्यस' केओ नहि बचा सकैत अछि।40किएकत' हम अपन हाथ स्वर्ग दिस उठाक' कहैत छी जे जहिना हम अनन्तकालधरि जीबैत छी।41जखन हम अपन चमकैत तलबारपर साम चढाएब, आ जखन हमर हाथ न्याय करए शुरु करत, हम अपन शत्रुसबस' बदला लेब, आ हमरास' घृणा करएबलासबस' बदला लेब।42हमर बाण लेहूके होरी खेलत, आ हमर तरुआरि मंगलहुं खाएत मारल गेल आ कैदी सबहक लेहू, आ दुश्मनके अगुवा सबहक माथ।43हे जाति जातिके लोकसब, परमेश्वरके प्रजा सबहक संग आनन्द मनाउ, किएकत' ओ अपन सेवक सबहक खूनक बदला लेतनि। ओ अपन दुश्मनसबस' बदला लेतनि, आ अपन देश आ अपन प्रजाक' लेल प्रायश्चित करतनि।44मूसा आ नूनके पुत्र यहोशू आबिक' ई भजनके सबटा शब्द आदमीसबके सुना देलनि।45मूसा समस्त इजराएलीसबके ई वचनसब सुना क' अन्त कएलनि।46मूसा ओकरासबके कहलनि, “आइ हम अहाँसबके गम्भीरतापुर्वक देने सब वचन अहाँसबके मनमे राखू, जाहिस' अहाँसब अपन बच्चासबके एहि व्यवस्थाके' सब वचन होसियारीपूर्वक पालन करबाक आज्ञा द' सकब।47ई अहाँसबके लेल मामूली बात नहि अछि, किएकत' ई अहाँसबके जीवन अछि, आ एहिस' अहाँसब यरदन नदीपार अधिकार करएलेल जा' रहल देशमे अहाँसबके आयु बढ़ए।”48ओहि दिन यहोवा मूसास' कहलथिन।49यरीहो शहरके सामने मोआब देशमे रहल अबारीम पहाड़क' नबो टील्ला पर चढ़ू। ओतए' स' अहाँ कनान देश देखब, जे हम इजराएलीसबके ओकरासबहक अधिकार करएलेल देब जा' रहल छी।50जेना अहाँके भैया हारून होर पहाड पर मरि क' अपन पूर्वजसबके संग मिलि गेलनि, ओएह प्रकार अहाँ जाहि पहाड़पर चढ़ब, ओहि पहाड़पर मरब, आ अहाँ अपन पूर्वजसबके' संग मिलि जाएब।51किएक त' अहाँ दुनूगोटे सीनके उजाड़-स्थानमे कादेश लगमे मरीबाके पानिमे इजराएलीसबके वीचमे हमरा प्रति अविश्वासी भेल रही। किएक त', अहाँ इजराएली सबहक बीचमे हमरा पवित्र आदर नहि कएने छलीह। 52एहिलेल जे देश हम इजराएली सबहक' देब ओहि देशके अहाँ अपना सामने देखब, मुदा ओहि देशमे जाए नहि सकब।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67