John19
1त' ओहि समय पिलातुस अपन सिपाहीसबके आदेश देलथिन जे यीशुके ल' क' जाउ आ हुनका कोड़ास' मारु।2सिपाहीसब किछु कांटबला डाढ़ि सेहो लएलक आ ओहिस' एकटा मुकुट जकां किछु बनौलक। तखन ओसब यीशुके माथपर राखि बैगनी रंगके वस्त्र पहिराक' जाहिस' ओकर मजाक उड़ा सकी।3ओसब हुनकालग आबिक' हुनकर उपहास करैत कहैत रहलाह, “हे यहूदीसबहक राजा, हमसब अहाँके प्रणाम करैत छी!” आ मुंहपर चमेटा मारैत रहल।4पिलातुस फेरु बाहर आबि यहूदी नेता सबके कहलनि, “देखू, हम हुनका अहाँसबहक लेल बाहर अनबाक लेल तैयार छी जाहिस' अहाँसब ई जानि सकब जे हमरा कोनो प्रमाण नहि भेटल अछि जे ई आदमी कोनो नियमक उल्लंघन कएने छथि।”5तखन यीशु बाहर आबि गेलथि। ओ कांटबला डाढ़िस' बनल ओ मुकुट आ बैगनी रंगके वस्त्र पहिरने छलथि। पिलातुस यहूदी अगुवासबके कहलनि, “देखू, ओ आदमी एत' अछि!”6जखन मुख्य पुजारी आ मन्दिरक पहरदार सब यीशुके देखलनि त' ओसब चिचिआ उठलनि, “ओकरा क्रूसपर चढ़ा दिऔ! ओकरा क्रूसपर चढ़ा दिऔ!” पिलातुस हुनकासबके कहलनि, “अहाँसब हुनका ल' क' क्रूसपर चढ़ा दिऔ! जत धरि हमर बात अछि, हमरा कोनो प्रमाण नहि भेटल अछि जे ई आदमी कोनो नियम तोड़ने अछि”7यहूदी अगुवासब पिलातुसके उत्तर देलथिन, “हमरासबहक एकटा निश्चित नियम अछि जे ओकरा मरए पड़तैक, किएकत' ओ अपनेके परमेश्वरक पुत्र होएबाक दाबी करैत छल।” 8ई बात सुनि पिलातुस पहिनेस' बेसी डेरा गेलनि जं ओ यीशुके मृत्युदण्डके सजाय देथिन त' हुनका की होतनि।9ओ एक बेर फेरु अपन मुख्यालय मे चलि गेलनि आ सिपाहीसबके आदेश देलथिन जे यीशुके वापस भितर अनबाक चाही। तखन ओ यीशुस' पुछलथिन, “अहाँ कत' स' आएल छी?” मुदा, यीशु हुनकर प्रश्नके उत्तर नहि देलनि।10तखन पिलातुस हुनका कहलनि, “अहाँके हमरा उत्तर देब' पड़त! अहाँके अवश्य बुझल अछि जे हमरा अहाँके मुक्त करबाक अधिकार अछि, आ अहाँके क्रूसपर चढ़एबाक अधिकार सेहो अछि!”11यीशु हुनका उत्तर देलथिन, “हमरापर अहाँक एकमात्र अधिकार अछि जे परमेश्वर अहाँके उपरस' देने छथि। ताहिके लेल जे आदमी हमरा अहाँके लग अनलकनि ओ अहाँ जे काज क' रहल छी ताहिस' बेसी खराब पाप कएने अछि।”12ओहि क्षण स' पिलातुस यीशुके मुक्त करबाक प्रयास कएलनि। मुदा, यहूदी नेतासब होहल्ला उठलाह, “अहाँ एहि आदमीके छोड़ि देब त' अहाँ कैसर प्रति निष्ठावान मित्र नहि छी! जे राजा होएबाक दाबी करए छै, ओ कैसरके विरोध करए छै।”13पिलातुस ई बात सुनिक' यीशुके बाहर निकलबाक आज्ञा देलथिन। तखन पिलातुस फैसलाके घोषणा करए लेल सिंहासनपर बैसलाह जत' स' ओ प्राय फैसलाके घोषणा करैत छलाह। ई ओ जगह छल जेकरा लोक “चबूतरा” कहैत छल, जेकरा इब्रानी भाषामे “गबथा” छल।14फसह-पर्वस' एकदिन पहिने छल, जखन यहूदीसब पावनि लेल तैयारी करैत छल। दुपहरके लगभग समय छल। पिलातुस यहूदीसबहक नेता सबके कहलनि, “देखू, अहाँके राजा एत छथि!”15ओसब होहल्ला कएलक, “ओकरा मारि दिऔ! ओकरा मारि दिऔ! ओकरा क्रूसपर चढ़ा दिऔ!” पिलातुस हुनकासबहक उपहास क' क' कहलनि, “की हमरा अपन सिपाहीसबके आदेश देबाक चाही जे अहाँसबहक राजाके क्रूसपर चढ़ाबथि?” मुख्य पुजारीसब टोकैत बजलाह, “कैसर हमरासबहक एकमात्र राजा छथि!”16तखन हुनकासबहक बातक कारणे पिलातुस अपन सिपाहीसबके यीशुके क्रूसपर चढ़एबाक लेल सोंपि देलनि। तखन सिपाहीसब यीशुके क्रूसपर चढ़ाबए लेल ल' गेल।17यीशु अपन क्रूस ल' क' ओहि ठाम जएबाक लेल निकललाह जे लोकसब “खोपड़ीक स्थान” कहैत छथि, जे इब्रानी भाषामे “गुलगुता” छल।18ओहि ठाम सिपाहीसब हुनका क्रूसपर चढ़ा देलनि। ओसब हुनकासंगे दूटा आओर आदमीके सेहो क्रूसपर चढ़ा देलथिन। यीशुक दुनू कात एक-एकटा आदमी छल, आ यीशु ओकरासबके बीचमे छलाह।19पिलातुस सेहो केकरो आदेश देलथिन जे ओ एकटा सूचना लिखक' यीशुक क्रूसपर बान्हि दिऔ। ओ आदमी ओकरापर लिखलक, “नासरतके यीशु, यहूदीके राजा।”20बहुत यहूदी लोक ई सन्देश पढ़लनि, किएकत' जत सिपाही यीशुके क्रूसपर चढ़एलक, ओ जगह यरूशलेम शहरके लग छल आ केओ ई जानकारी लिखलक जे तीन भाषामे छल, जे रोमी, यूनानी आ इब्रानी भाषामे छल।21यहूदी मुख्य पुजारीसब पिलातुस लग घुरिक' कहलनि, “अहाँके ई नहि लिखबाक चाही छल, ‘यहूदीसबहक राजा’ बल्कि अहाँके लिखबाक चाही जे ‘ई आदमी हम यहूदीसबके राजा छी कहने छल।’”22पिलातुस उत्तर देलथिन, “हम सैनिकसबके प्रतिवेदनमे जे लिखबाक आदेश देलहुं से ओसब लिखने छथि। हम ओकरा नहि बदलब।”23सिपाहीसब यीशुके क्रूसपर चढ़ा देलाके बाद हुनकर कपड़ा ल' क' चारि भागमे बांटि लेलक। आ सब सैनिक लेल एक-एकटा भाग। मुदा ओकर कुर्ता एक कात राखि देलनि। बुनाइ करएबला ओहि कुर्ताके उपरस नीचा धरि एकेटा कपड़ास बुनने छल जेकर कोनो सिलाइ नहि छल।24तएं सिपाहीसब एक-दोसरके कहलनि, “आउ, ई कुर्ता नहि फाड़ब। बल्कि जुवा खेलैत ई निर्धारीत करी जे के राखत आ विजेता के देल जाएत।” ई एहिलेल भेल जे पवित्र शास्त्रक बात पूरा भ' जाए: “ओसब हमर वस्त्र आपसमे बांटि लेलक। हमर कपड़ा लेल जुवा खेलत।” तएं सिपाहीसब ईसब काज कएलक। 25यीशुक माय, हुनक मौसी, क्लोपासक पत्नी मरियम आ मरियम मग्दलीनी सब ओहि क्रूसक लगमे ठाढ़ छलीह, जाहिपर ओ लटकाओल गेल छलथि।26जखन यीशु अपन मायके ओतए ठाढ़ आ चेला यूहन्नाके ठाढ़ देखलनि, जिनकास यीशु प्रेम करैत छलाह, तखन ओ अपन मायके कहलनि, “माय, एत एकटा एहन व्यक्ति छथि जे अहाँक देखभाल ओहिना करत जेना बेटा करैत छथि।”27तखन चेलासब यूहन्नाके कहलनि, “एत अहाँक अपन माय जकां देखभाल करबाक अछि!” ओहि क्षण स यूहन्ना ओकरा अपन घरमे रहएलेल ल' गेल।28किछु समयक बाद यीशु जनैत छलथि जे परमेश्वर हुनका जे किछु करबाक लेल पठौने छलथि, से सबकाज क' चुकल छथि, आ धर्मशास्त्रक एकटा आओर भविष्यवाणीके पूरा करबाक लेल ओ कहलनि, “हम पियासल छी!”29केओ ओतए' तिताह दाखमद्यस' भरल बर्तन राखि देने छल तखन यीशु पियासल छलथि। तएं सिपाहीसब जूफाक ठाढ़िस सिरका ल' क' ओहिपर एकटा पनिसोखा राखि देलक। तखन ओसब ओहि पनिसोखा के तिताह दाखरसमे डुबा देलथिन आ यीशुक मुंहमे पहुंचा देलथिन। 30तखन यीशु तिताह दाखमद्य पीबिक' कहलनि, “हमसब काज करबाक लेल एत आएल छलहुं से पूरा क' लेलहुं!” आ ओ अपन माथ झुकाक' स्वेच्छास अपन प्राण छोड़ि देलथिन।31तखन यहूदी अगुवासब पिलातुसस आग्रह कएलनि जे ओ अपन सैनिकसबके क्रूसपर लटकल तीनू आदमीक टांग तोड़बाक आदेश देथिन जाहिस ओ लोकसब जल्दी मरि सकैत आ हुनकासबहक लास हटाबथि जाहिस यहूदीसबहक विश्राम-दिनमे लास क्रूसपर लटकल नहि रहए। ओ ई आग्रह कएलनि कारण ओ दिन छल जखन यहूदीसब फसह आ विश्रामक दिनक तैयारी करैत छल आ ओहि दिन मारल शरीर छोड़ल यहूदीसबहक नियमक उल्लंघन छल। किएकत' दोसर दिन विश्रामक दिन छल, तएं ई बहुत महत्वपूर्ण दिन छल। 32तखन सिपाहीसब आबिक' यीशुक संग क्रूसपर चढ़ाएल गेल पहिन आदमीक पयर तोड़ि देलक। तखन ओसब दोसर आदमीक पयर तोड़ि देलक।33मुदा, यीशु लग पहुंचलाह पर, ओसब देखलक जे ओ पहिनेस मरि गेल छथि। ताहिके लेल ओसब ओकर टांग नहि तोड़लक।34एकर बदलामे एकटा सिपाही यीशुक कातमे भाला घोंपि देलक आ ओहि समय घाव मे स' हत्या आ पानि बाहर निकलि गेल।35हम, यूहन्ना, ईसब देखलहुं आ एहि विषयमे गवाही देलहुं आ हम जे गवाही देलहुं से सत्य अछि। हमरा पूर्ण विश्वास अछि जे हम जे कहैत छी से सत्य अछि। हम ई एहिलेल कहैत छी जे अहाँसब सेहो यीशुपर भरोसा क' सकब।36ई सबबात यीशुके शरीरके साथ भेल जे शास्त्रके ई भविष्यवाणी पूरा भ' सकैत: “केओ हुनकर कोनो हड्डी नहि तोड़ि सकैत अछि।” 37ओ धर्मशास्त्रक दोसर भविष्यवाणीके सेहो पूरा कएलनि। ओहिमे लिखल अछि: “जे आदमीके ओसब बेधने छल, ओकरा देखतैक।” 38एहि बातसबके बाद यूसुफ, जे वास्तवमे अरिमतिया नगरक रहनिहार छलाह, पिलातुसस विनती कएलनि जे यीशुक लासके लए जएबाक अनुमति देथिन। ओ ई काज एहिलेल कएलनि किएकत' ओ यीशुक चेला छलाह। ओना ओ केकरो नहि कहलक किएकत' ओ आन यहूदी अगुवासबस डेराइत छल। पिलातुस यूसुफके यीशुक लास लए जएबाक आ दफनाबके अनुमति देलथिन, तएं यूसुफ जा क' ओहिना कएलनि।39निकोदेमुस सेहो आबि गेलाह। ओ ओएह आदमी छल जे एक बेर रातिमे आबि यीशुस बतिआएल रहए। ओ सुगन्धित द्रव्य आ गन्धरस मसल्लासबके मिश्रण यीशुके लासके दफनके लेल तैयार करए लेल अनलनि। ओहि मसल्लासबके वजन लगभग 33 किलो छल।40ओसब यीशुक लास ल' क' ओकरा चारुकात मलमलके कपड़ाके पट्टी लपेटिक' मसल्ला, सुगन्धित द्रव्य आ गन्धरस कपड़ाक पट्टी सबहक नीचा राखि देलक। ओ ई काज कएलनि यहूदीसबहक मृत शरीर गाड़बाक प्रथाक अनुसार।41जत' सिपाहीसब यीशुके क्रूसपर चढ़एने छल, ओहि ठामक लगमे एकटा बगीचा छल। ओहि बगीचामे एकटा नव निर्मित दफन गुफा छल। ओहि गुफामे एखन धरि केकरो कबर नहि बनल छल।42ओसब यीशुक लासके ओहि कबरमे राखि देलक कारण ओ लगमे छल आ कारण ओहि दिन यहूदीसब विश्रामके तैयारी करैत छल तएं सूर्यास्त होअएस पहिने ओकरासबके लास गाड़ए पड़ल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.