John20
1सप्ताहके पहिन दिन भोरमे जखन अन्हारे छल तखन मरियम मग्दलीनी कबरपर आबि गेलीह जत' ओसब यीशुके गाड़ने छलाह। देखलक जे कबरक प्रवेशद्वार परस' केओ पत्थल हटा देने छल।2ओ दौड़क' ओहि ठाम पहुंचलीह जत' सिमोन पत्रुस आ दोसर चेला यूहन्ना, जिनकास' यीशु प्रेम करैत छलाह, जखन जीबैत छलाह, ओ हुनकासबके कहलनि, “किछु लोक प्रभु यीशुक लासके कबरस' हटा देलक, आ हमरासबके ई नहि बुझल अछि जे कत' ओसब राखि देलक!”3ई बात सुनि, पत्रुस आ दोसर चेलासब ओतहिस' चलि भ' कबर दिस चलि भेल।4दुनूगोटे दौड़ि रहल छल, मुदा दोसर चेलासब पत्रुसस' बेसी तेज दौड़लनि आ हुनकास' पहिने कबरपर पहुंचल।5जखन यूहन्ना कबरक भितर देखबाक लेल झुकल त' देखलनि जे मलमलके पट्टी सब जेकरा ओसब यीशुके लासमे लपेटने छलाह जत' हुनकर लास राखल गेल छलनि ओतहि राखल देखलनि, मुदा ओ कबरक भितर नहि गेलाह।6सिमोन पत्रुस यूहन्नाक पाछु दौड़ि रहल छल। ओहो ओतए पहुंच कबरके भितर गेलाह। यीशुक लास जत' राखल गेल छल, ओतए' मलमलके पट्टी सेहो पड़ल देखलनि।7पत्रुस सेहो ओहि गमछाके देखलनि जे केओ यीशुक माथमे चारुकात लपेटने छल। ओ मलमलके कपड़ाक पट्टी के संगे नहि बिछाओल गेल छल। मुदा केओ मोड़िक' ओकरास' अलग क' देने छल।8तखन यूहन्ना, जे दोसर चेला पत्रुसक पहिने कबरपर पहुंचल छल, सेहो भितर गेल। ओ ई सबबात देख विश्वास कएलनि जे यीशु जीबि उठलाह।9ओहि समयमे ओकरासबके ई नहि बुझल छलनि जे प्रवक्तासब धर्मशास्त्रमे की लिखने छथि जे यीशु मरि क' जीबि उठताह। 10तखन चेलासब ओहि स्थानपर घुरिगेल जत' ओसब यरूशलेममे रहैत छल।11मरियम मग्दलीनी कबरके बाहर ठाढ़ भ' क' कानि रहल छलीह, जखन ओ कानि रहल छलीह तखन ओ झुकिक' कबरक भितर देखलीह12ओ दूटा स्वर्गदूतके उज्जर वस्त्र पहिरने देखलनि। ओसब ओहि ठाम बैसल छल जत' लोकसब यीशुक लास रखने छल। जाहि ठाम यीशुक माथ छलनि, ओहि ठाम एकटा स्वर्गदूत बैसल छलाह। दोसर स्वर्गदूत ओतए बैसल छलाह जत' यीशुक पयर छलनि।13ओसब हुनकास' पुछलनि, “ए बहिन, अहाँ किएक कानि रहल छी?” ओ हुनकासबस' बजलीह, “हम कानि रहल छी किएकत' किछु लोक हमर प्रभु यीशुक लासके एहि कबरस' निकालि देने छथि, आ हमरा नहि बुझल अछि जे ओसब कत' राखि देने छथि!”14हुनका एहन कहलाके बाद, ओ पाछु घुरिक' केकरो ओतए' ठाढ़ देखलीह। ओ यीशु छलथिन मुदा ओ हुनका नहि चिन्हलक।15ओ ओकरासबस' पुछ्लनि, “ए बेटी, अहाँ किएक कानि रहल छी? अहाँ केकरा खोजि रहल छी?” ओ सोंचलनि की जे लोक हुनकास' बातक' रहल अछि ओ माली छथि, एहिलेल ओ हुनकास' कहलीह, “यौ मालिक, जं अहाँ यीशुक' लासके उठाकए' ल' गेल छी, त' हमरा कहि दिअ की हुनका कत' रखने छी। आ हम जाक' हुनका ल' आएब आ हुनका फेरुस' गाड़ि देब।”16तखन यीशु ओकर नाम ल क' कहलनि, “ऐ मरियम!” ओ फेरुस' हुनका दिस घुरिक' आ हुनकास' कहलनि, “रब्बूनी!” जेकर अर्थ इब्रानी भाषामे “गुरु” होइत अछि।17यीशु ओकरा कहलनि, “हमरालग आबएस' रुकि जाउ, किएकत' हम अपन पितालग स्वर्गमे रहएलेल नहि गेलीह। आ हमर भाइसब लग जाउ, आ ओकरासबके कहियौ की हम अपन परमेश्वर आ पिताके संग स्वर्गमे रहएलेल जा रहल छी, जे अहाँसबके सेहो परमेश्वर आ पिता अछि।”18मरियम मग्दलीनी यीशुक चेलासब लग जा क' हुनकासबके कहलनि, “हम प्रभु यीशुके देखलहुं!” ओ हुनकासबके सेहो कहलनि जे यीशु हुनकास' जे बात कहलनि।19ओहि सप्ताहके पहिन दिनके सांझमे, चेलासब ओहि ठामक दरबाजापर ताला लगा देने छल, कारण ओसब यहूदी अगुवासबस' डेराइत छलाह। एकाएक यीशु प्रगट भेलाह आ हुनकासबहक बीच ठाढ़ भ' गेलाह। ओ हुनकासबके कहलनि, “परमेश्वर अहाँसबके शान्ति देथिन!”20ई कहलाक बाद, ओ अपन चेलासबके अपन हाथ आ कातमे लागल घाव देखौलनि। जखन ओसब प्रभु यीशुके देखलनि त' ओसब गदगद भ' गेलाह!21तखन यीशु दोसर बेर हुनकासबके कहलनि, “परमेश्वर अहाँसबके शान्ति देथिन! हम अहाँसबके संसारमे ओहिना पठा रहल छी जेना हमर पिता हमरा पठौलनि।”22ई बात कहलाक बाद, यीशु हुनकासबपर सांस छोड़ि कहलनि, “पवित्र आत्मा ग्रहण करु।23जं अहाँ केकरो पाप माफ करब त', परमेश्वर ओहि व्यक्तिके सेहो ओहि पापक लेल माफ क' देथिन। जं अहाँ केकरो पाप नहि माफ करब, तखन परमेश्वर ओहि व्यक्तिके ओहि पापक लेल माफ नहि करताह।”24बारह चेलामेस' एकगोटे, थोमा, जेकरा ओ “जौंवा” कहैत छल, हुनकर आओर चेलासबहक बीचमे तखन ओ ओतए' नहि छल जखन यीशु हुनकासबहक बीचमे छलथिन25आन चेलासब थोमाके कहलनि, “हमसब प्रभु यीशुके देखलहुं!” मुदा, ओ हुनका लोकनिके कहलनि, “हम तखने अहाँपर विश्वास करब जखन हम हुनकर हाथमे जे छेद कांटी से भेल छल से देखब आ ओहिमे अपन औंरी धरब आ जं हम हुनकर कातक घाव मे हाथ राखब जे भाला स' भेल छल।”26आठ दिनक बाद यीशुक चेलासब फेरु घरक भितर आबि गेल, आ एहिबेर थोमा हुनकासबहक संग छल। ओना त' ओसब दरबाजा बंद क' देने छल, मुदा यीशु हुनकासबहक बीच आबिक' ठाढ़ भ' गेलाह। ओ हुनकासबके कहलनि, “परमेश्वर अहाँसबके शान्ति देथिन!”27तखन ओ थोमाके कहलनि, “अपन औंरी एत' छेदमे राखू, आ हमर हाथके छेद के देखू, आ हाथ बढ़ाक' हमर कातक घाव मे हाथ राखू! शंका कएल छोड़ू की हम फेरुस' जीवित भेल छी। बल्कि विश्वास करु जे ई सत्य अछि!”28थोमा उत्तर देलनि, “अहाँ हमर प्रभु आ हमर परमेश्वर छी!”29यीशु हुनका कहलनि, “आब अहाँ हमरा देखबाक कारणे विश्वास करैत छी जे हम जीवित छी। परमेश्वर निश्चितरुपस' ओकरासबके आशीर्वाद देथिन जे हमरा नहि देखने छथि मुदा एखनो मानैत छथि जे हम फेरु जीवित छी”30यीशु ओहि दिनमे आओर बहुत रास चमत्कारी चमत्कार कएलनि, जखन हुनकर चेलासब हुनकासंग छलाह, मुदा एहि पोथीमे हुनकासबहक विषयमे नहि लिखली।31तथापि, एहि पुस्तकमे हम चेन्हक विषयमे लिखने छी जाहिस' अहाँसब विश्वास करी जे यीशु मसीह, परमेश्वरक पुत्र छथि। हम ओहे बात सबके विषयमे सेहो लिखने छी जाहिस', यीशुए मसीह छथि ओहिपर भरोसा क' क', अहाँसब हुनका नामद्वारा अनन्त जीवन पाबि सकब।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.