John18

1यीशु प्रार्थना कएनाइ समाप्त कएलाके बाद ओ अपन चेलासबहक संग किद्रोन घाटीके पार गेलथि। धारक दोसर कात ओसब एकटा गाछ जैतूनक गाछक मे प्रवेश कएलनि।2ई यहूदा छल जे यीशुके विरोधीसबके पकड़बामे मदति करए जा रहल छल। ओ ओहि जगहके जनैत छल जत' यीशु छलथिन, किएकत' यीशु अपन चेलासबहक संग बेसी काल ओतए' जाइत छलाह।3तखन यहूदा रोमी सैनिकसबके एकटा समूह आ मन्दिरक किछु पहरदारसबके बगीचामे अनलकनि जे मुख्य पुजारीसब आ फरिसीसब द्वारा पठाओल गेल छल। ओकरासबलग मशाल, आ हथियार छलनि।4यीशुके बुझल छलनि जे हुनकासंग की होबएबला अछि, तएं ओ आगु बढ़िक' सिपाहीसब आ मन्दिरक पहरदार सबकेओ पुछलथिन, “अहाँसब केकरा ताकि रहल छी?”5ओसब हुनका उत्तर देलथिन, “नासरतक यीशुके।” यीशु हुनकासबके कहलनि, “हम ओएह व्यक्ति छी।” यहूदा हुनकासबके बगलमे ठाढ़ छल। ओ यीशुके विरोधीसबके पकड़बामे मदतिक' रहल छल।6जखन यीशु हुनकासबके कहलनि, “हम ओएह व्यक्ति छी,” तखन ओसब पाछु हटि गेलाह। आ अचानक जमीनपर खसि पड़लाह।7तखन यीशु हुनकासबके ओ फेरु पुछलथिन, “अहाँसब केकरा ताकि रहल छी?” ओसब उत्तर देलथिन, “नासरतक यीशुके।”8यीशु उत्तर देलथिन, “हम अहाँसबके कहली जे हम ओएह व्यक्ति छी। त जं हमहीं छी जेकरा अहाँसब ताकि रहल छी, तखन हमर एहि चेलासबके जाए दिऔ।9ई एहिलेल भेल जे ओ अपन पितासे जे कहने छलाह, से पूरा भ' जाए जे अहाँ हमरा जे किछु देने छलहुं, ताहिमेस' एकोटा हम नहि गमएलहुं।” 10सिमोन पत्रुसके संग एकटा छोट तरुआरि छल। ओ ओकरा म्यानमे स' निकालि मुख्य पुजारीके सेवकपर प्रहार कएलनि, आ ओकर दहिना कान काटि देलक। ओहि नोकरके नाम मलखुस छलनि।11तखन यीशु पत्रुसके कहलनि, “अपन तरुआरिके फेरुस' ओकर म्यानमे राखि दिऔ! हमरा ओहि तरहें कष्टके कटोरा अवश्य पीबए पड़त जेना हमर पिता हमरालेल योजना बनौने छथि!”12रोमी सैनिकके एकटा समूह, यहूदी अगुवा सबहक' संगी आ मन्दिरक किछु पहरदार सब यीशुके पकड़ि लेलक आ हुनकर हाथ बान्हि देलनि।13तखन ओसब पहिने हन्ना लग ल' गेलाह, किएकत' ओ काइफाके ससुर छलाह आ ओहि साल काइफा मुख्य पुजारी छलाह।14ई काइफा छल जे आन यहूदी अगुवासबके ई सुझाव देलक जे एक आदमीके लोकके दिसस' मारल बहुत नीक होएत ओहिस' जे रोमीसब ओकरा मारत।15सिमोन पत्रुस यीशुके पाछु-पाछु ओ घुरि गेलाह, आ एकटा आओर चेला सेहो। मुख्य पुजारी हन्ना दोसर चेलाके चिन्हैत छलाह, तएं जखन सिपाही आ पहरदार यीशुके ओतए अनलनि तखन हुनका मुख्य पुजारीक आंगनमे प्रवेश करबाक अनुमति भेटलनि।16मुदा पत्रुसके बाहर फाटक लग प्रतीक्षा करए पड़लनि। आ मुख्य पुजारीके चिन्हएबला चेला फेरु बाहर निकलि दरबाजापर पहरा देनिहार दासी स' बात कएलक। तखन हुनका पत्रुसके संग आंगनमे प्रवेश करबाक अनुमति देल गेलनि।17तखन दरबाजापर पहरा देनिहार एकटा दासी पत्रुसके कहलीह, “अहाँ ओहि आदमीके चेलामेस' एक छी जेकरा ओसब बंदी बना लेने छथि!” ओ बजलाह, “नहि, हम नहि छी!”18जाढ़ छल, तएं मुख्य पुजारीक सेवक आ मन्दिरक पहरदार सब आगि जराक' ओकरा चारुकात ठाढ़ भ' क' आगि तापि रहल छल। पत्रुस हुनकासबके संग ठाढ़ भ' गेलाह।19तखन मुख्य पुजारी यीशुस' हुनकर चेलासबके विषयमे पुछलथिन की हुनकासबके की शिक्षा द' रहल छी।20यीशु हुनका उत्तर देलथिन, “हम एहि संसारके सबलोक स' बातक' रहल छलहुं जे सुनए चाहैत छल। हम सदिखन यहूदी सभाघरमे आ मन्दिरमे पढ़बैत छलहुं। हम ओहि ठाम सेहो पढ़बैत छलहुं जत' बहुते यहूदी जमा होएत छथि। हम कहियो नुकाक' किछु नहि कहलहुं।21अहाँके हमरास' नहि पुछबाक चाही! जे सुनने छथि हुनकासबके पुछू जे हम हुनकासबके की सिखबैत छलहुं। हम की कहलहुं से हुनकासबके अवश्य बुझल छनि।”22यीशुके ई बात कहलाक बाद हुनका बगलमे ठाढ़ मन्दिरक पहरदार मे स' एकगोटे हुनका मुंहपर चमेटा मारि देलथिन। ओ कहलनि, “अहाँके मुख्य पुजारीके एहन उत्तर नहि देबाक चाही!” 23यीशु हुनका उत्तर देलथिन, “जं हम जे गवाही देलहुं से गलत अछि त' हमरा कहू जे ओ की छल। ओना जं हमर बात सत्य छल त' अहाँके हमरापर चमेटा नहि मारबाक चाही छल।”24तखन हन्ना यीशुके दोसर मुख्य पुजारी काइफा लग पठौलनि, तखन यीशुके हाथ बान्हल छल।25एहि बीच सिमोन पत्रुस एखनो आंगनमे ठाढ़ भ' क' आगि तापि रहल छलाह, तखन ओतए ठाढ़ भेल किछु लोक हुनका कहलनि, “अहाँ सेहो ओहि आदमीक चेलामेस' एक छी जेकरा ओसब बंदी बना लेने छथि!” पत्रुस एकरा नकारैत कहलक, “नहि, हम नहि छी!”26मुख्य पुजारीके एकटा सेवक ओकर नातेदार छल जेकर कान पत्रुस काटि देने छल ओ पत्रुसके पुछलनि, “हम अहाँके जैतूनक गाछक बगीचामे ओहि लोकके संग देखलहुं जे ओसब बंदी बना लेने अछि!”27तखन पत्रुस फेरु एहि बातस' अस्वीकार कएलनि जे ओ यीशुके संग छथि। ओकरा ई कहलाके बाद तुरन्त एकटा मुर्गा बांग देलक।28तखन यहूदीसबके अगुवासब यीशुके काइफाके घरस' रोमी राज्यपाल पिलातुसके दरबारमे अनलनि। ई भोरके भोर छल। यहूदी अगुवासब पिलातुसके दरबारमे प्रवेश नहि कएलनि कारण पिलातुस यहूदी नहि छलनि। ओसब सोंचैत छलाह जे जं ओसब गैर-यहूदी घरमे प्रवेश करताह त' ओसब स्वयंके अशुद्ध क' लेताह। आ फसह-पर्वके भोजन करबाक लेल अयोग्य ठहरि जएताह।29तखन पिलातुस हुनकासबस' बात करबाक लेल बाहर आबि गेलथि। ओ हुनकासबस' पुछलथिन, “अहाँसब एहि आदमीपर की आरोप लगा रहल छी?”30यहूदीसबके मुखिया उत्तर देलथिन, “जं ई आदमी अपराधी नहि रहितथि त' हमसब ओकरा अहाँसबके लग नहि अनितहुं!”31तखन पिलातुस हुनकासबके कहलनि, “अहाँसब हुनका ल' क' अपन व्यवस्था अनुसार न्याय करु।” यहूदी अगुवासब उत्तर देलथिन, “हमसब ओकरा फांसीके सजाय देब चाहैत छी, मुदा अहाँके रोमी कानून हमरासबके एहन करब रोकैत अछि।”32ई एहिलेल भेल जे यीशुके कहल बात पूरा भ' सकैत केओ कोना लगले मरताह।33तखन पिलातुस अपन मुख्यालयके भितर गेलथि। ओ सिपाहीसबके आदेश देलनि जे यीशुके हुनकालग अनबाक अछि, आ ओ हुनकास' पुछलथिन, “की अहाँ यहूदीसबहक राजा छी?”34यीशु उत्तर देलथिन, “की अहाँ हमरास' ई प्रश्न एहिलेल पुछि रहल छी जे अहाँ स्वयं एहन सोंचैत छी आ की दोसर लोक अहाँके हमरा विषयमे एहन बात कहने अछि?”35पिलातुस उत्तर देलथिन, “हम यहूदी नहि छी! अहाँके अपन देशवासी आ मुख्य पुजारीसब अहाँके हमरालग अनने छथि। अहाँ कोन गलती कएलहुं?”36यीशु उत्तर देलथिन, “हम जे राज्यपर शासन करैत छी, से एहि पापपूर्ण संसारके नहि अछि। जं से बात रहैत त' हमर नोकरसब लड़ितनि जे यहूदी अगुवासब हमरा बंदी नहि बनाबथि। मुदा, जेना अछि, हम जे राज्यपर राज करैत छी, से एहि पापपूर्ण संसारके नहि अछि।”37तखन पिलातुस हुनकास' पुछलनि, “त' अहाँ राजा छी?” यीशु उत्तर देलनि, “अहाँ स्वयं गवाही दैत छी। ताहिके लेल हम एहि संसारमे जन्म लेने रही: आ हम लोकके ई कहए लेल आएल रही जे परमेश्वरके विषयमे की सत्य अछि। जे केओ परमेश्वरके विषयमे जे सत्य छै ओकरापर विश्वास करए छै, ओ हमर बातके स्वीकार करए छै आओर ओकर पालन करए छै।”38पिलातुस हुनका कहलनि, “वास्तवमे केओ नहि जनैत अछि जे सत्य की अछि!” पिलातुस ई बात कहलाक बाद ओ बाहर निकलि गेलनि आ फेरु यहूदी अगुवासबस' बात कएलनि। ओ हुनकासबके कहलनि, “हमरा कोनो प्रमाण नहि भेटल अछि जे ई आदमी कोनो कानून तोड़ने छथि।39मुदा, अहाँ यहूदीसबके एकटा प्रथा अछि जे सब साल फसह पर्वमे हम अहाँसबके लेल जहलमे बंद कैदीके मुक्त क' दैत छी। त' की अहाँ चाहैत छी जे हम अहाँसबके लेल अहाँसबके राजाके मुक्त करी?”40तखन यहूदीसब फेरु चिचिआ उठलनि, “नहि, एहि आदमीके मुक्त नहि करु, बल्कि बरब्बाके मुक्त करु!” बरब्बा एकटा उग्रवादी छलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67