John10

1यीशु कहलथि, “हम अहाँस' सांच्चे कहि रहल छी: जे केओ भेंड़शालामे दुआरि छोड़िक' कोनो दोसर रस्तास घुसैत अछि ओ चोर वा डाकू अछि जे भेंड़ासबके चोराबएलेल आएल अछि।2जे मनुष्य भेंड़शालामे दुआरिस' भ' क' घुसैत अछि ओ भेंड़ाके चरबएबला अछि जे देख-रेख करएबला अछि।3जखन चराबएलेल कतौ गेल होअए त ओ व्यक्ति जे द्वारिके पहरदारी करएबला अछि जखन ओ अबैत अछि चरबाहके लेल दरबाजा खोलि दैत अछि। भेंड़ासब चरबएबलाके आवाज सुनैत अछि। ओ भेंड़ासब मे स सब गोटेक जे ओकर अछि नाम ल क बजबैत अछि आओर ओकरा घेरामेस बाहर ल' जाइत अछि।4जखन चरबाह ओहि सब भेंड़ाके घेरास बाहर ल' गेल रहैत अछि जे ओकर अछि, त ओ ओकर आगु-आगु चलैत अछि। ओकर भेंड़ा पाछु-पाछु ओकरा अनुसरण करैत अछि किएकत ओ ओकर बोली क चिन्हैत अछि।5ओकर भेंड़ा कखनो कोनो एहन लोकक पाछु नहि जाइत अछि जेकरा ओ जनैत नहि अछि। खाली एकर, ओ ओकरा लगस भागि जाएत किएकत ओ ओहि लोकसबके बोली क नहि चिन्हैत जेकरा ओ जनैत नहि अछि।”6यीशु जे चरबाह मारफत कएल जाएबला काजस ल क ई दृष्टान्त फरिसीसबके बतएलक। तथापि ओ बुझलक नहि जे ओहि दृष्टान्तक की माने छल।7एहिदुआरे यीशु ओकरा फेरुस कहलक, “हम अहाँस सांच्चे कहि रहल छी: हम ओ दुआरि छी जेकरास भ' क' भेंड़ासब भेंड़शालामे प्रवेश करैत अछि।8सबटा अगुवा जे हमरास पहिने परमेश्वरक अधिकार बिना आएल ओ चोर आओर डाकू छल। ओनात, सांच भेंड़ा जे ओकर कहल नहि मानलक।  9हम स्वर्ग प्रवेशके दुआरि छी। परमेश्वर ओहि व्यक्तिके भयंकर दण्डस' देतैए जे हमरापर विश्वास करएके कारण ओकरा लग अबैत अछि। जे केओ हमरापर विश्वास करैत अछि ओ एहन भेंड़ जकां होएत जे उद्धार पाबिक' एमहर-ओमहर घुमैत अछि आओर अहरा पबैति अछि। 10अहाँक अगुवा चोरके जकां अछि जे खाली भेंड़के चोरबए, लेहू करए, आओर नाश करएलेल अबैत अछि। हम भेंड़ासब क सब दिनक जीवन देबएलेल आएल अछि, जे आशीषसब भरपूर भ जाएत। 11हम अपने एगो नीक चरबाह क जकां छी। नीक चरबाह अपन भेंड़ाके जीवन सुरक्षित करए क आओर बचबए लेल मारि जाहिलेल तैयार रहैत अछि आओर ओहिना हमहूं अपन चेलाके लेल मारि जाहिलेल तैयार छी। 12केओ एकटा एहन लोकके भाड़ापर रखैत अछि जे चरबाह नहि अछि ओहि भेंड़ाक देख-रेखक लेल जे ओहि व्यक्ति भेंड़ा नहि अछि। त' जं ओ भेंड़ासबके खाएलेल नढ़ियासबके अबैत देखैत अछि, त ओ भेंड़ाके छोड़िक' भागि जाइत अछि, जाहिस जे नढ़िया ओहिमेस किछुके पकड़ि लैत अछि आओर बांचलसबके एमहर-ओमहर क' दैत अछि।13ओ भाड़ापर रखलहा व्यक्ति एहिदुआरे भागि जाएत अछि किएकत ओ भेंड़ा सबहक सुरक्षा मात्रे रुपैया कमाएलेल क रहल अछि। एहिदुआरे भेंड़ा सबहक संगे जे घटना घटैत अछि ओ ओहि विषयमे चिन्ता नहि करैत अछि।14हम एगो अपने नीक चरबाह क जकां छी। जाहि तरहेंस नीक चरबाह अपन भेंड़ाके जनैत अछि आओर ओकर भेंड़ा ओकरा जनैत अछि, ओनाहिए जे हमर अछि हम ओकरा जनैत छी, आओर ओ हमरा जनैत अछि।15ओहि तरहेंस हम एक-दोसरके जनैत छी जेना हमर पिता आओर हम एक-दोसरके जनैत अछि। हम ओहि भेंड़ा सबहक भलाइके लेल जे हमर अछि प्राण देबएलेल तैयार छी।16एहन भेंड़ासब जे अछि जे हमर अछि मुदा कोनो दोसर भेंड़शाला क अछि ओ एहन लोक अछि जे यहूदी नहि अछि। हमरा ओकरो अपने लग ल क आबि अछि। जे हम कहैत छी ओ ओकर उत्तर दितए, आओर जे हमर अछि ओसब एकटा झुण्ड जकां एकजुट भ जाएत, आओर हम ओकर एकेटा चरबाह होएब। 17हमर पिता हमरास एहिदुआरे प्रेम करैत अछि किएकत हम अपन जीवन देबएलेल तैयार छी जेकरास जे हम स्वयंके फेरुस जीवित क' सकी।18केओ हमरापर मरएलेल दबाव नहि द' रहल अछि। मुदा एकर, हम अपनेस मरए क चुनाव कएने अछि हमरालग अपन इच्छास मरए क अधिकार अछि आओर हमरालग अपनेके फेरुस जीवित करए क अधिकार सेहो अछि। ई ओ काज अछि जेकरा करए क आज्ञा हमरा हमर पिता जे देने अछि।”19जे यीशु कहने रहथि ओकरा विषयमे यहूदी अगुवा विरोध करएबला समूहमे फेरुस मतभेद भ गेल।20बहुते यहूदी अगुवासब जे कहलक, “ओकरा कोनो दुष्टात्मा नियन्त्रित क रहल अछि, आ आओर ओ बताह अछि! ओकर नहि सुनू!”21किछु दोसर लोकसब कहलक, “जे बात ओ कहि रहल छनि ओ एहन किछु नहि अछि जे कोनो दुष्टात्मास' नियन्त्रित मनुष्य कहि सकैत अछि। निश्चिते कोनो दुष्टात्मा कोनो आन्हर व्यक्तिके देखएमे सक्षम नहि क' सकैत अछि।”22फेरु यरूशलेममे परमेश्वरके भवनके समर्पणके उत्सव मनाबएके पर्वके समय आएब गेल।23यीशु मन्दिरक आंगनमे ओहि जगहमे टहैल रहल छलाह जे सुलेमानक असोरा कहबैत अछि।24यहूदी अगुवा यीशुक चारुदिस जमा भ गेल आओर कहलक, “अहाँ हमरासबके मनके कहिया धरि एहि विषयमे भरममे राखब जे अहाँके छी? जं अहीं मसीह छी, त खुलमखुला रुपस हमरा कहि दिअ जे हम जानि सकी।”25यीशु जे ओकरा उत्तर देलक, “हम अहाँक कहि देने रही, मुदा एखनो अहाँ हमरा नामपर विश्वास नहि करए छी। जे चमत्कारी काजसबके हम हमर पिताक गवाही कहैत छी ओएह अहाँक कहि देब जे अहाँक हमरा विषयमे जानब क जरुरति अछि।26ओनात, अहाँ लोक कखनो हमरा नामपर एहिदुआरे विश्वास नहि करैत छी, किएकत अहाँ हमरास' सम्बन्धित नहि छी। अहाँ एहन भेंड़ाके जकां छी जे हमर झुण्डके हिस्सा नहि अछि।27जाहि तरहेंस भेंड़ सब अपन चरबाह क बोली क पालन करैत अछि, ओनाहिए जे हम कहैत छी हमर लोक ओकर उत्तर दैत अछि। हम ओकरा जनैत छी, आओर ओ हमरे चेला अछि।28हम ओकरा सदाके लेल स्वर्गमे परमेश्वरक संगे जिअएलेल समक्ष करैत छी। केओ त ओकरा खतम नहि क सकत, आओर केओ त कखनो त ओकरा हमरा लगस नहि ल जा सकैत अछि।29हमर पिता जे ओकरा हमरा देने अछि। ओ सबस बढ़िक अछि, आओर केओ त ओकरा लगस' ल लए मे समक्ष नहि अछि।30हमर पिता आओर हम एके परमेश्वर छी।”31ओ यहूदी अगुवासब जे फेरुस पत्थल उठालेलक जे हुनकापर फेक आओर ओकरा मारि दैए।32यीशु जे ओकरास कहलक, “अहाँसब जे हमरा ओहि बहुते चमत्कारी भल काजसब क करैत होअए देखलहुं जेकरा हमर पिता जे हमरा करए लेल कहने रहथि। ओकरामेस केकरा लेल अहाँ पत्थलस हमर हत्या करएलेल जा रहल छी?”33ओ यहूदी अगुवासब जे उत्तर देलक, “हम पत्थलस अहाँक हत्या करएलेल एहिदुआरे नहि चाहैत छी किएकत अहाँ जे भल काजसबके कएने रही। मात्रे एकर, हम अहाँक हत्या एहिदुआरे करएलेल चाहैत छी किएकत अहाँ परमेश्वर होअए क दाबी करए क कारणे परमेश्वरक निन्दा कएलहुं, एहिदुआरे जे अहाँ एगो मनुष्ये जे छी!” 34यीशु जे उत्तर देलक, “व्यवस्थामे एगो प्रवक्ता जे लिखलक की परमेश्वर जे कहलक, ‘हम कहने रही जे अहाँ ईश्वर छी।’ 35एहिदुआरे परमेश्वर जे ओकरा बजौलनि जेकरा ओ ‘ईश्वर’ कहलनि आओर केओ त ई साबित नहि क सकल जे पवित्र शास्त्र झुट्ठा अछि,36त' अहाँ किएक कहैत छी जे हम परमेश्वरक निन्दा क' रहल छी किएकत' हम जे कहली जे हम परमेश्वरक पुत्र छी? ओ हमहीं छी जेकरा हमर पिता जे विशेष तरहेंस हुनके लेल अर्पित होअएलेल चुनलनि आ एहि संसारमे पठौलनि।37जं हम ओहि चमत्कारी काजसब क नहि क रहल छी जेकरा हमर पिता चाहैत अछि जे हम करी, त फेरु अहाँक हमरापर विश्वास नहि करबाक चाही।38एहिदुआरे, किएकत हम एहि चमत्कारी काजसब क क रहल छी, त ठीके अछि जे अहाँ हमरापर विश्वास नहि करए छी, त जाहि काजसब जे हमरा विषयमे प्रगट कएने अछि ओकरापर अहाँक विश्वास करए क चाही। अहाँक ई एहिदुआरे करए क चाही जाहिस सिखू आओर समझू जे हमर पिता आओर हम पूर्णरुपस एकेगो छी।”39किएकत ओ एहि बातसब क कहलक, एहिदुआरे यहूदी अगुवासब जे फेरुस यीशुक बंदी बनबए क कोशिस कएलक, मुदा ओ ओकरा लगस निकलि गेल।40तखन यीशु यरदन नदीक पूर्व दिशाक पार चलि गेल। ओ ओहि जगहमे गेल जत यूहन्ना बपतिस्मा देनिहार अपन सेवकाइ के शुरुएमे लोकसबके बपतिस्मा देल करैत छल। यीशु ओतए किछु समयक लेल रहल।41बहुते लोकसब ओतए यीशु लग आएल। ओसब जे कहलक, “यूहन्ना बपतिस्मा दिअएबला जे त कखनो जे कोनो चमत्कारी चेन्ह प्रगट नहि कएलक, मुदा यूहन्ना ओ जे किछु एहि मनुष्यक विषयमे कहलक ओ सांच अछि!”42ओहि जगहपर बहुते लोकसब जे हुनकापर विश्वास कएलक।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67