John11

1लाजर नामक एगो मनुष्य बहुत बेमारी भ गेल। ओ बेतनिया गाममे रहैत छल जत ओकर बहिनसब मरियम आओर मार्था सेहो रहैत छल।2ई ओएह मरियम अछि जे बादमे प्रभु पर इत्रस' अभिषेक करत आ अपन केशस हुनकर पयरक तेल पोछ्त। ओ ओकर भाइ लाजर छल जे बेमारी छल।3एहिदुआरे ओ दुनू बहिन जे यीशु लग लाजर क विषयमे कहबाकलेल सन्देश पठौलनि। ओसब कहलक, “हे प्रभु, जेकरास अहाँ प्रेम करैत छी ओ बहुत बेमारी अछि। कृपाक आबि जाउ!”4जखन यीशु जे लाजर क बेमारीके विषयमे सुनलक, त ओ कहलक, “ई बेमारी लाजरके मृत्युमे समाप्त नहि होएत। मात्रे एकर, एहि बेमारीके माने ई प्रगट करबाक अछि जे परमेश्वरके कतेक महिमा अछि। लाजर एहिदुआरे बेमारी भेल ताहिस ई बेमारी प्रगट करए जे हम, परमेश्वरके पुत्र, कतेक महान छी।”5यीशु मार्था स, ओकर बहिन मरियमस, आओर लाजरस प्रेम करैत छल।6एहिदुआरे जं यीशु सुनलथि जे लाजर बेमार अछि, त' ओ जानि बुझिक' दू दिन धरि आओर ओतए रही गेल जत ओ रहथि।7फेरु ओहि दू दिनके बाद यीशु जे अपन चेलासबस कहलक, “आउ फेरुस यहूदिया दिसमे चलि।”8हुनकर चेलासब जे कहलक, “हे गुरु, एहि समयपर यहूदियामे यहूदी अगुवा अहाँक पत्थलस मारि देब चाहैत अछि! निश्चिते अहाँक फेरुस ओतए नहि वापस जाएके चाही!”9यीशु जे उत्तर देलक, “अहाँ जनैत छी जे दिनक समयमे 12 घण्टा होएत अछि। जे लोक दिनक समयमे चलैत अछि ओ एहिदुआरे सुरक्षित चलत आ ठेंस नहि लगैक किएकत एहि संसारके इजोत ओकरा ई देखए सकैत मे योग्य बनबैत अछि जे ओ कत जा रहल अछि।10ओनात, जखन केओ लोक रातिके समयमे चलैत अछि, त ओ एहिदुआरे ठोकर खाएत किएकत ओतए इजोत नहि अछि जे ओकरा ई देखा सकैत मे योग्य बनबए जे ओ कत जा रहल अछि।”11एहि बातक कहलाक बाद, ओ ओकरा कहलक, “हमर मित्र लाजर सुति रहल अछि, मुदा हम ओतए ओकरा जगाबएलेल जाएब।”12एहिदुआरे हुनकर चेलासब जे हुनकास कहलक, “हे प्रभु, जं ओ सुति रहल अछि, त फेरु ओ नीक भ जाएत।”13यीशु सत्यमे लाजर क मरए क विषयमे कहि रहल छल, मुदा हुनकर चेलासब जे सोंचलक ओ वास्तविक औंघी क विषयमे बात क रहल अछि।14एहिदुआरे यीशु जे ओकरा स्पष्टरुपस कहि देलक, “लाजर मारि गेल अछि।15आओर हम खुशी छी जे जखन ओ मरल, त हम ओतए नहि छलहुं। हम एकरा एहिदुआरे होअए देलिऐ ताहिस स अहाँ हमरापर विश्वास क सकी। ई अहाँक लाभक लेल अछि। एत रुकल रहएस' नीक, हमसब ओतए चली, जत ओ छनि।”16एहिदुआरे थोमा जे, जेकरा ओ “जौंवा” कहैत छलाह, बांकी चेलासबस कहलक, “आउ हमहूंसब गुरु संगे चलि एहिदुआरे हमहूंसब हुनकासंगे मरि।”17एहिदुआरे जखन यीशु बेतनिया गाममे पहुंचल, त हुनका मालूम भेल जे लोकसब जे ओहि ठामस चारि दिन पहिने पहिनहि लाजर क मारल शरीरक एगो कबरमे राखि देने छल।18बेतनिया गामस यरूशलेम खाली लगभग तीन किलो मीटर क दूरीपर छल।19बहुते स यहूदी लोक मार्था आओर मरियमक लग ओकर भाइ लाजर क मरए क विषयमे ओहि दुनूके भरोसा देबएलेल बेतनियामे आएल रहथि।20जखन मार्था जे केकरो कहैत सुनलक जे यीशु आबि रहल अछि, त ओ ओकरास भेट करए लेल बहरा निकलि गेल। मरियम ओकरासंगे नहि गेल मुदा घरेमे रही गेल।21जखन मार्था यीशुस भेटल, त ओ ओकरास कहलक, “हे प्रभु, जं अहाँ एत किछु आओर पहिने आबि गेल रहितहुं, त हमर भाइ नहि मरितए!22ओनात, एखनो जखन ओ मारि गेल अछि हमरा निश्चय अछि की जे किछु त अहाँ ओकरास करए क लेल कहि परमेश्वर ओकरा अहाँलेल करताह।”23यीशु ओकरास कहलक, “अहाँक भाइ फेरुस जीवित भ जाएत।”24मार्था हुनकास कहलक, “हमरा निश्चय अछि जे हमर भाइ ओहि समय फेरुस' जीवित भ जाएत जखन परमेश्वर सब मारि गेल लोकसबके अन्तिम दिनमे जीवित करताह जखन ओ सबगोटेके न्याय करतै।” 25यीशु ओकरास कहलक, “हम पहिनहि छी जे मारि गेल लोकसबके फेरुस' जीवित करए छी। हम पहिनहि छी जे लोकसबके अनन्त जीवन दैत छी। जे केओ त हमरापर विश्वास करैत अछि ओ सदैव जीविते रहत, एतधरि जे जं ओकर शरीर मरियो जाएत।26ओसब जे अनन्त जीवन प्राप्त करैत अछि आओर हमरापर विश्वास करैत अछि ओ निश्चिते सदैव जीविते रहताह। की अहाँ विश्वास करैत छी जे ई बात सांच अछि?”27मार्था ओकरास कहलक, “हं, हे प्रभु, हम विश्वास करैत छी! हम सत्यमे विश्वास करैत छी की एहि जे परमेश्वरक पुत्र, मसीह छी। अहाँ ओएह छी जेकरा एहि संसारमे आबएमे प्रतिज्ञा परमेश्वर जे कएने रहथि।”28एना कहलाक बाद, ओ घर घुरि आएल आओर चुपचाप स अपन बहिन मरियमक बजौलनि। ओ ओकरास कहलक, “गुरुजी आबि गेल अछि, आओर ओ तोरा बजबैत छौ।”29जखन मरियम जे ई सुनलक जे ओकर बहिन जे कहने रहथि, त ओ तुरन्ते उठल आओर यीशुस भेट लेल बहरा चलि गेल।30ओहि समय धरि यीशु जे बेतनिया गाममे प्रवेश नहि कएने रहथि। मात्रे एकर, ओ ओहि जगहमे छल जत मार्था ओकरास भेटल रहथि।31ओ दोसर यहूदीसब जे मरियमके ओकरा घरमे सान्त्वना द रहल छल ओकरा तुरन्ते उठिक बाहर जाइत देखलक, त ओहो पाछु-पाछु गेल। ओसब सोंचलक जे ओ कबरपर जा रहल अछि जत ओसब लाजरके दफनएने रहए जे शोक मनाबी।32जखन मरियम ओकर जगहमे पहुंचल जत यीशु जे मार्था स बात कएने रहथि आओर ओकरा देखलक, त ओकर पयरक आगु जमीनपर सुति गेल। ओ ओकरास कहलक, “हे प्रभु, जं अहाँ एत कनिक आओर जल्दी आबि गेल रहिती, त हमर भाइ नहि मरैत!”33जखन यीशु जे ओकरा शोक मनबैत देखलक, आओर ओ यहूदी लोक सेहो आत्मामे बहुत शोक मनबैत छल जे ओकर संगे छल, त ओ बहुते व्याकुल भ गेल।34ओ पुछलथिन, “अहाँ ओकर शरीरक कत गाड़ने छी?” ओ हुनकास कहलक, “हे प्रभु, आबिक देख लिअ जे ओ कत अछि।”35यीशु कानए लागल।36एहिदुआरे ओ यहूदी लोक जे मरियमक संगे छल एक-दोसरके कहलक, “देखू ओ लाजरस कतेक प्रेम करए छल!”37ओनात, ओकरा बीचमेस दोसरसब जे कहलक, “ई आन्हर मनुष्यक देखए सकए मे समक्ष कएलक। मुदा शायद एकरा लग एहि मनुष्यक मरएस रोकएलेल पर्याप्त शक्ति नहि होअए!”38जखन ओ कबरपर पहुंचल तखन यीशु फेरुस भावनात्मक रुपस व्याकुल भ' गेल। ई एगो गुफा छल, आओर एगो नमहर चट्टानस ओकर घुसएबला दुआरि झांपल छल।39यीशु आदेश देलथिन, “गुफामे ढुकएबला द्वारिस' चट्टानके हटा दिऔ।” ओनात, लाजर क बहिन मार्था हुनकास कहलक, “हे प्रभु, एहि समय त ओकर शरीर खराब गंध दैत होएत किएकत ओ चारि दिन पहिने मारल छल।”40यीशु ओकरास कहलक, “हम निश्चिते अहाँक कहने छलहुं जे जं अहाँ हमरापर विश्वास करी, त अहाँ परमेश्वरके महिमा देखब!”41एहिदुआरे किछु लोकसब जे गुफाक प्रवेशद्वारस चट्टानक हटा देलक। यीशु जे उपर स्वर्गके दिस देखलक आओर प्रार्थना कएलथि, “हे पिता, हमर सुनि लिअ लेल हम अहाँक धन्यवाद करैत छी।42हम जनैत छी जे अहाँ सदिखन हमर सुनैत छी। तथापि त, हम एत ठाढ़ लोकसबके लेल एहन कहली। हम ई एहिदुआरे कहली जाहिस' विश्वास भ जाए जे एहि हमरा पठौने छी।”43हुनकर एहि प्रार्थना क कहलाक बाद, ओ उच्च स्वरमे चिचिआ उठलाह, “हे लाजर, कबरस बाहर आबि जाउ!”44ओ लाजरस जे मारि गेल छल कबरस' बाहर आबि गेल! जे लोकसब जे ओकरा दफनाब जाएलेल तैयार कएने रहथि ओसब ओकर पयर आ हाथके कपड़ाक पट्टीस लपेटि देने रहथि आओर ओकर मुंहके चारुदिस सेहो एगो गमछास' लपेटि देने रहथि। एहिदुआरे यीशु ओतए ठाढ़ लोकसबस कहलनि, “कपड़ाक ओहि पट्टी क हटा दिऔ जेकरास ओ बान्हल अछि, आओर ओकरा जाए दिऔ।”45एहि क परिणाम स्वरुप, यहूदी लोकसबमेस बहुते जे ओकरापर विश्वास कएलक जे मरियमक सान्त्वना दिअ आएल रहथि आओर जे ओहि बातक गवाह रहथि जे यीशु जे कएने रहथि।46तथापि जे, ओतएके किछु लोक फरिसीसब लग चलि गेल आओर जे यीशु जे कएने रहथि ओकरा ओकर खबरि देलक।47एहिदुआरे मुख्य पुजारीसब आओर फरिसीसब जे सर्वोच्च यहूदी शासकीय परिषदक सदस्यसब क एके संगे एकट्ठा कएलक। ओ एक-दोसरस कहि रहल छल, “हम एहि मनुष्यक विषयमे की करएलेल जा रहल छी? ओ बहुत स चमत्कारी चेन्हक प्रगट क रहल अछि।48जं हम जे ओकरा एहि चमत्कारी काजसब क करैत रहए क अनुमति दी, त सब लोक ओकरापर विश्वास क लितए आओर ओकरा ओकर राजा बना दितए। तहन रोमी सेना आओत आओर हमरासबहक मन्दिर आओर हमर लोक दुनूके खतम क' दितए!”49काइफा यहूदी परिषदके एकटा सदस्य छलाह। ओ ओहि वर्षक मुख्य पुजारी सेहो छलाह। ओ ओकरास कहलनि, “अहाँ लोक किछु त नहि जनैत छी!50अहाँ ई नहि सोंचैत छी जे रोमीसबके कारणे सबटा यहूदी लोकसबके मारि दिऔ तुलनामे लोकसबके दिसस एगो लोकक मरनाइ अहाँक लेल सबस नीक होएत।”51काइफा जे ई एहिदुआरे नहि कहलखिन किएकत ई ओ अपनेस सोंचने रहथि। बल्कि एकर, मुदा ओ ओहि वर्ष मुख्य पुजारी छल, एहिदुआरे ओ भविष्यवाणी क रहल छल जे यहूदी लोकसब दिसस यीशु मरितए।52ओ इहो भविष्यवाणी क रहल छल जे, यीशु नहि खाली यहूदी लोकसबके लेल मरतै, मुदा इहो जे परमेश्वरक सब सन्तानसबके एगो प्रजाक रुपमे एकट्ठा करएलेल, जेकरा परमेश्वर सम्पूर्ण संसारमे फैलएने अछि।53एहिदुआरे जखन काइफा जे भविष्यवाणी कएलक त ओहि दिनके बाद आबएबला दिनसबमे, यहूदी परिषद् जे यीशुक हत्या करएके षड्यन्त्र बनएलक।54एहिदुआरे स, यीशु जे अपन यहूदी विरोधीसब क बीच सार्वजनिकरुपस फेरु यात्रा नहि कएलक। बल्कि एकर, ओ यरूशलेमक छोड़िक इफ्राइम नामक एगो नगरमे चलि गेल, जे निर्जन जगह क लग अछि। ओ ओतए अपन चेलासबहक संगे किछुकाल लेल रुकल।55ओहि समय यहूदीसबहक फसहके पावनि आबएबला छल। ओहि जगहस बहुते लोक उपर यरूशलेमक गेल। ओ फसहके पावनिक शुरु होअएस पहिने पावनिमे सहभागी होअएलेल यहूदी नियमक अनुसार स्वयंके शुद्ध करएलेल आएल रहथि। 56जे लोक फसह पावनिक लेल यरूशलेम आएल रहथि ओ यीशुक खोजि रहल छल। जखन ओ मन्दिरक आंगनमे ठाढ़ छल, त ओसब एक-दोसरस पुछलक, “अहाँ की सोंचैत छी? निश्चिते ओ फसहके पावनिमे नहि औताह!”57किछु समय पहिने एहि यहूदी मुख्य पुजारीसब आओर फरिसीसब जे एगो आदेश देने रहथि जे जाहि कोनोके जे ई पता लागए जे यीशु कत अछि, ओकरा ओकर जगह क खबरि दिअ पड़तैक जाएस ओ हुनका बंदी बना सकए।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67