John9

1जेना यीशु रस्तास' जा रहल छलाह, त ओ एगो मनुष्यक देखलक जे तहियास आन्हर छल जाहि दिन ओ जनमल छल।2हुनकर चेलासब जे हुनकास पुछलक, “हे गुरु, केकर पाप जे एहि मनुष्यक आन्हर क देलक जखन ओ जनमल रहए? की एहि मनुष्यक वा एकर माय-बाबूक पाप?”3यीशु जे उत्तर देलक, “ई नहि त एहि मनुष्यक पाप छल आओर नहि एकर माय-बाबूक पाप छल जे केओ एकरा आन्हर क देलक जखन ई जन्म लेने रहैक। मात्रे एकर, जखन ई जन्म लेलक त ई आन्हर रहैक किएकत हम लोकसबपर ओहि चमत्कारीक काजसब क प्रगट करी जेकरा परमेश्वर ओकरामे करत।4जखन की हम एखन धरि अहाँक संगे छी, त हम ओहि चमत्कारीक काजसब क कएनाइ जरुरी अछि जेकरा हमर पिता जे हमरा पठौलनि चाहैत अछि जे की हम करी। जाहि तरहेंस दिनक बाद राति होएत अछि, जाहिमे लोक काज नहि क सकत, ओहने एक समय आएत जखन ओ करएलेल हमरा बहुत विलम्ब भ' गेल होएत जे परमेश्वर चाहैत अछि जे हम करी।5एहिदुआरे जे हम एखनो एहि संसारमे रही रहल छी, त हम ओएह छी जे एहि संसारमे रहनिहार लोकसबके परमेश्वरक भल आओर सांच इजोत प्रदान करैत अछि।”6जखन ओ ई कहलक, त ओ माटिपर थूकलक आओर अपन थूक के माटिक संगे मिलाक सनलक। फेरु ओ ओहि सानल माटिक लोइया क ओहि आन्हर मनुष्यक आंखिपर लगा देलक।7फेरु यीशु ओहि आन्हर मनुष्यस कहलक, “जो आओर लोइया शिलोह क कुण्डमे धो लिअ!” अरामी भाषामे “शिलोह” के माने पठाओल गेल होएत अछि। एहिदुआरे ओ मनुष्य चलि गेल आओर कुण्डमे लोइयाके धो लेलक। जखन ओ देखए पाबएमे सक्षम भ गेल त फेरु ओ घर चलि गेल।8ओहि मनुष्यक पड़ोसीसब आओर दोसरो जे जे सब ओकरा पहिनेस देखने रहथि आओर जनैत छल जे ओ एगो भीख मांगएबला आदमी छल आओर कहलक, “निश्चिते ई ओएह मनुष्य अछि जे एत बैसैत छल आओर भीख मांगैत छल!”9किछु लोकसब जे कहलक, “हं, ई ओएह मनुष्य एहि।” दोसर लोकसब जे कहलक “नहि, मुदा ई त खाली ओहि मनुष्यक जकां देखाइत अछि।” ओनात, ओ मनुष्य अपनेस कहलक, “हं, हम ओएह मनुष्य छी जे आन्हर रहए!”10एहिदुआरे ओसब ओकरास पुछलक, “त एना कोना भेलहुं जे तों आब देख सकैत छी?”11ओ उत्तर देलक, “ओ मनुष्य जेकरा लोक यीशु कहैत अछि ओ माटि आओर थूक स लोइया बनएलक आओर ओकरा हमरा आंखिपर लगा देलक। फेरु ओ हमरास शिलोह क कुण्डमे जाक लोइयाके धो लए लेल कहलक। ताहिस हम ओतए गेलहुं आ ओहि लोइयाके धो लेलहुं। तखन हम पहिन बेर देख सकए मे सक्षम भ' गेलहुं।”12ओसब ओकरास पुछलक, “ओ मनुष्य कत एहि?” ओ उत्तर देलक, “हम नहि जनैत छी जे ओ कत अछि।”13ओतएके किछु लोक ओहि मनुष्यक जे पहिने आन्हर रहैक किछु फरिसीसब लग ल गेल।14आब जाहि दिन यीशु जे अपन थूक स लोइया बनौने रहैक आओर ओहि मनुष्यक देख सकए मे सक्षम कएने रहथि ओ यहूदीसबहक विश्राम-दिन छल।15तखन ओ फरिसीसब जे ओहि मनुष्यस दोसर बेर प्रश्न कएलक। एहिबेर फेरु, ओसब ओकरास एहि विषयमे पुछलक जे देख सकए मे सक्षम कोना भेल। ओ ओकरास कहलक, “ओ मनुष्य जे हमर आंखिपर लोइया लगएलक, आओर हम ओकरा धो लेल, आओर आब हम पहिन बेर देख सकए मे सक्षम छी।”16तखन फरिसीसब मे स किछु जे कहलक, “हम जनैत छी जाहि मनुष्य परमेश्वरक दिसस नहि आएल अछि, किएकत ओ यहूदीसबहक विश्राम-दिनके नियमसबके पालन नहि करैत अछि।” किछु दोसर फरिसीसब जे कहलक, “निश्चय त केओ पापी मनुष्य एहि प्रकारक चमत्कारीक चेन्हसब क नहि क सकत जे ई मनुष्य करैत अछि!” एहिदुआरे ओ फरिसी एहि विषयमे जे यीशुके छलाह एक-दोसरस असहमत भ गेल।17एहिदुआरे फरिसीसब जे ओहि आन्हर मनुष्यस एक बेर फेरुस पुछलक, “ओहि मनुष्यक विषयमे तों की कहैत छी, जं तों कहैत छी जे ओ अछि जे तोरा देख सकए मे सक्षम कएलक?” ओ मनुष्य जे कहलक, “ओ ठीके मे एगो प्रवक्ता अछि।”18किएकत ओ मनुष्य जे ई विश्वास कएलक जे यीशु एगो प्रवक्ता छल, एहिदुआरे यहूदी अगुवासब जे विश्वास नहि कएलक जे ई मनुष्य आन्हर छल आओर फेरु देखएमे सक्षम भ गेल जखनधरि जे ओसब ओहि मनुष्यक माय-बाबूके बजा नहि लेलक एहिदुआरे जे ओकरास प्रश्न करए।19ओसब ओहि मनुष्यक माय-बाबूस' पुछलक, “की ई मनुष्य अहाँक बेटा अछि? की अहाँ ई कहैत छी जे जखन ओ जनमल त ई आन्हर छल? जं एहन अछि त, फेरु एहि समय ई देख मे सक्षम कोना अछि?”20ओकर माय-बाबू उत्तर देलक, “हमरा निश्चय एहि जे की ई मनुष्य हमरे बेटा अछि। हमरा इहो त निश्चय एहि जे जखन ई जनमल त ई आन्हर रहए।21तथापि, हम नहि जनैत छी जे एहि समय ओ देख मे सक्षम कोना अछि। हम इहो नहि जनैत छी जे ओकरा देखएमे के सक्षम कएलक। ओकरेस' पुछू। ओ अपने दिसस बाजएक लेल उमेर भ' गेल अछि।”22यहूदी अगुवासब जे पहिनेस जे अपनेमे एहि बातक सहमत क' लेने छल की जे त ई घोषणा करत जे यीशु एहि मसीह अछि ओ ओकरा यहूदी सभास्थलमे घुसएस' प्रतिवन्धित क' देब। एहिदुआरे स, ओहि मनुष्यक माय-बाबू ओकरासबस डेरा गेल छल आओर ओ एहि बातके कहने छल।23इहो कारणे स ओसब यहूदीक अगुवासबस कहने रहथि जे “ओकरेस पुछू। ओ पूरा उमेरक अछि।”24एहिदुआरे यहूदी अगुवासब जे दोसर बेर ओहि मनुष्यक बजौलनि जे पहिने आन्हर छल। ओसब ओकरास कहलक, “मात्र सांच बाजू कारण परमेश्वरक महिमा करु! हमरा अपनो त निश्चय अछि जे ओ मनुष्य जेकरालेल अहाँ कहैत छी जे ओ अहाँक नीक कएलक पापी अछि।”25ओ मनुष्य जे जेकरा यीशु जे नीक कएने रहथि उत्तर देलक, “हम नहि जनैत छी जे ओ पापी अछि वा नहि। हम त एगो बात जनैत छी जे ई अछि जे हम पहिने आन्हर रही, मुदा आब हम देख सकैत छी।”26फेरु ओसब ओकरास पुछलक, “ओ तोरा नीक करएलेल तोरा संग की कएलकौ? ओ तोरा देखएमे कोना सक्षम कएलकौ?”27ओ उत्तर देलक, “हम अहाँक पहिने पहिनहि ओहि प्रश्नसब क उत्तर द देने छी, मुदा जे हम कहली अहाँ जे ओ सुनलहुं नहि। अहाँ किएक चाहैत छी जे हम अहाँक फेरुस कहू? की एहन भ सकैत अछि जे अहाँसब ओकर चेला बनए क इच्छा करैत छी?”28तखन ओसब निरादर करैत जकां ओकरास कहलक: “तोंही ओहि मनुष्यक चेला छे! जत धरि हमर बात अछि, हम मूसाक चेला छी!29हमरा निश्चय अछि जे परमेश्वर जे बहुत समय पहिने मूसास बात कएलक। जत धरि एहि मनुष्यक बात अछि, त हम जनितो नहि जे ओ कतस आएल अछि!”30ओ मनुष्य जे उत्तर देलक, “हम आश्चर्यचकित छी! अहाँ जनितो त नहि छी जे ओ कतस आएल अछि, मुदा ओएह त अछि जे हमरा देखएमे सक्षम कएलक!31हमरा निश्चय अछि जे परमेश्वर पापी लोकक जे प्रार्थनासबके उत्तर नहि दैत अछि। बदला एकर, ओ ओहि लोकसबके प्रार्थना सबहक उत्तर दैत अछि जे हुनकर आराधना करैत अछि आओर जे ओएह करैत अछि जे ओ चाहैत अछि जे ओ करए।32पहिने कखनो त केओ त नहि सुनलक जे कोनो व्यक्ति जे एना मनुष्यक देखएमे सक्षम कएलक जे जखन जनमल रहए तखनस जे आन्हर रहए!33जं ई मनुष्य परमेश्वरक दिसस नहि आएल होइतए, त ओ एहि तरहें चमत्कार नहि क सकैत छल!”34यहूदी अगुवासब ओकरा उत्तर देलक, “तोंसब तरहेंस तोहर माय-बाबूक पापक परिणाम स्वरुप आन्हर जनमल छले! तोरा हमरा शिक्षा देबाक के हिम्मत कोना भेलो!” तखन ओसब ओकरा यहूदी सभास्थल स निकालि देलक।35यीशु जे सुनलक जे यहूदी अगुवासब जे ओहि मनुष्यक यहूदी सभास्थल स प्रतिवन्धित क देलक जेकरा ओ नीक कएने रहथि। जखन ओ हुनका तकलनि आओर हुनका खोजि लेलक, त ओ ओकरास पुछलक, “की अहाँ मनुष्यक पुत्रके विश्वास करैत छी?”36ओ मनुष्य जे उत्तर देलक, “यौ मालिक, ओ के छथि? हमरा कहि दिअ, जाहिस हम हुनकापर विश्वास करी।”37यीशु ओकरास कहलक, “अहाँ हुनका पहिने पहिनहि देख लेने छी। हम ओएह छी जे अहाँस बात क रहल अछि।”38ओ मनुष्य जे कहलक, “हे प्रभु, हम विश्वास करैत छी जे अहीं मनुष्यक पुत्र छी।” तखन ओ अपन पयरपर खसि गेलनि आ यीशुके आराधना कएलक।39यीशु जे कहलक, “हम एहि संसारमे एहिदुआरे आएल छी जाहिस एकर लोकक न्याय करी। एकर परिणाम होएत जे ओ लोक जे जनैत अछि जे ओ परमेश्वरक सत्यता क नहि बुझति अछि ओ ओकरा एना बुझए, जेना कोनो आन्हर लोक देखएमे सक्षम भ रहल अछि। दोसर परिणाम एहन होएत जे जे लोक सोंचैत अछि जे ओ परमेश्वरक सत्यता क बुझति अछि ओ ओकरा नहि बुझत, जेना ओ व्यक्ति जे देखैत छल आओर आन्हर भ गेल।”40किछु फरिसीसब जे यीशुक लगमे छल जखन ओकरा ई बजैत सुनलक, त ओसब हुनकास पुछलक, “की अहाँ एना सोंचैत छी जे हमहूं आन्हर लोकसबके जकां परमेश्वरक सत्यताके नहि बुझि सकैत छी?”41यीशु जे उत्तर देलक जे जं अहाँ जनैत छी जे अहाँ आत्मिकरुपस आन्हर छी, त अहाँ पापक लेल दोषी नहि मानल जाएब। एहिदुआरे, किएकत अहाँ कोनो देखएबला क जकां परमेश्वरक सत्यता क बुझए क दाबी करैत छी, त अहाँ एखनो अपन पापक लेल दोषी छी।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67