Acts21

1जखन हमसब इफिसुस मण्डलीके देख-रेख कएनिहारसबस' विदा ल' क' जहाजपर चलि गेलहुं, सिधा कोस द्वीप आबि गेलहुं आ दोसर दिन रूदुस द्वीप आ ओतएस' पतरा नगर अएलहुं।2जखन हमरासबके फीनिकी देश जाएबला जहाज भेटल त' हम सन ओहि जहाजपर चढ़िक' चलि गेलहुं।3साइप्रस द्वीपके देख बामा कात छोड़ि हमसब सीरिया दिस आगु बढ़लहुं आ सूर उतरलहुं, कारण जहाजक ओतहि मालसमान उतारबाक छल।4तखन हमसब किछु विश्वासीसबके भेटलाक बाद सात दिनधरि ओतहि रहलहुं। पवित्र आत्माद्वारा ओसब पौलुसके यरूशलेम नहि जएबाक आग्रह करैत रहलाह।5मुदा जखन हमरासबहक सात दिन समाप्त भेल तखन हमसब ओतएस' विदा भ' गेलहुं आ ओसब अपन पत्नी आ बच्चासबके संग हमरासबहक संग नगरक बाहरक छोड़ि धरि विदा करए लेल आबि गेलाह। तखन हमसब समुद्र तटपर ठेहुन रोपि प्रार्थना कएलहुं,6आ एक-दोसरके विदा कएलनि। तखन हमसब जहाजपर चढ़ि गेलहुं, आ ओसब घर घुरि गेलाह।7जखन हमसब सूर नगरस' यात्रा करैत तुलमाइस नगर पहुंचलहुं। हमसब विश्वासी भाइसबके अभिवादन कएली आ एकदिन हुनका ओकरासबहक संग रहली।8तखन दोसर दिन हमसब विदा भ' कैसरिया नगर चलि गेलहुं। हमसब सुसमाचार-प्रचारक फिलिपुसके घरमे गेलहुं जे सात गोटेमेस' एक छलाह आ हुनकासंग रहलहुं।9एहि आदमीक चारिटा कुमारि बेटी छलनि जे पवित्र आत्मा दिसस' पाओल सन्देश भविष्यवाणी करैत छलीह।10हमसब ओत' बहुत दिन धरि रहलहुं त' यहूदिया प्रान्तस' अगबुस नामक एकटा प्रवक्ता अएलाह।11ओ हमरासबलग आबि पौलुसक गमछा ल' लेलक। ओहिस' ओ अपन पयर आ हाथ बान्हिक' कहलनि, “पवित्र आत्मा कहैत छथि जे यरूशलेममे यहूदीसब एहि गमछाके मालिकके बान्हि देत आ ओकरा गैर-यहूदीसबके हाथमे सोंपि देत।”12जखन हमसब ई बात सुनली त' हमसब आ ओहि ठामक लोकसब पौलुसस' निहोरा कएलहुं जे अहाँ यरूशलेम नहि जाउ।13तखन पौलुस उत्तर दैत कहलनि, “अहाँसब की क' रहल छी, कानि रहल छी आ हमर मन दुखा रहल छी? कारण, हम मात्र बान्हल नहि, मुदा प्रभु यीशुक नामक लेल यरूशलेममे मरबाक लेल सेहो तैयार छी।”14पौलुसके मनाबएके प्रयासके बादो नहि मानलापर “प्रभुके इच्छा पूरा होए।” कहिक' हमसब चुप भ' गेलहुं।15एहि दिनक बाद हमसब अपन झोरा ल' क' यरूशलेम चलि गेलहुं।16कैसरियाक किछु चेलासब सेहो हमरासबहक संग गेलाह। ओसब अपना संग साइप्रस द्वीपके शुरुवाती दिनके पुरना चेला म्नासोन नामक एकटा आदमीके अनलनि, जेकरा घरमे हमरासबके रहए पड़ल रहए।17जखन हमसब यरूशलेम पहुंचलहुं त' विश्वासी भाइसब हमरासबके खुशीस' स्वागत कएलनि।18दोसर दिन पौलुस हमरासबहक संग मण्डलीके देख-रेख कएनिहार याकूब लग गेलाह।19पौलुस मण्डलीके अगुवासबके अभिवादन क' क' एक-एकक' ओहि काजसबके सुना देलथिन जे परमेश्वर अपन सेवाक' द्वारा गैर-यहूदीसबके बीच कएलनि।20ई बात सुनि ओसब परमेश्वरक स्तुति कएलनि आ हुनका कहलथिन, “देखू, भाइ, यहूदीसबहक बीच कतेक हजार लोक विश्वास कएने छथि। ओसब मूसाके व्यवस्था पालन करबाक लेल उत्साही छनि।21हुनकासबके अहाँके विषयमे कहल गेल अछि जे अहाँ गैर-यहूदीसबके बीच रहनिहारसब यहूदीके मूसाके व्यवस्था छोड़बाक लेल सिखबैत छी आ हुनकासबके कहैत छी जे ओसब अपन बच्चासबके खतना नहि करए आ नहि पुरना प्रथाके पालन करए।22त' हमरासबके की करबाक चाही? ओसब अवश्य सुनत जे अहाँ आबि गेलहुं।23एहिस' हमसब जे अहाँसबके कहैत छी से करु। हमरासबहक संग चारिगोटे छथि जे स्वयंके कबुला कएने छथि।24एहि आदमीसबके ल' जाउ आ हुनकासबहक संग स्वयंके रीतिके अनुसार शुद्ध करु आ हुनकासबहक खर्च दिऔ स' ओहोसब माथके केश कटबा सकए। तखन सबके बुझएमे होएतनि जे अहाँसबहक विषयमे जे बात कहल गेल अछि से झूठ अछि, आ अहाँसब सेहो व्यवस्थाके अनुसार स' चलैत छी आ धर्म-नियमक पालन करैत छी। 25मुदा विश्वास करएबला गैर-यहूदीसबके विषयमे हमरासबहक निर्णय मुताबिक लिखक' निर्देशन पठा देने छिएन्हि जे ओसब मूर्तिसबके चढ़ाएल मासुस', लेहूस', घेंउट मसोरिक' मारल गेल मासु आ व्यभिचारस' बचबाक चाही।”26तखन पौलुस ओहि चारु आदमीसबके ल' गेलाह आ दोसर दिन हुनकासबहक संग रीति मुताबिक स्वयंके शुद्ध क' क' मन्दिरमे गेलाह आ पवित्रताक दिनक समयक घोषणा करए मन्दिरमे गेलाह जाधरि हुनकासबमेस' प्रत्येकके लेल बलिदान नहि चढ़ाएल जाएत। 27मुदा सात दिन शुद्धि विधि समाप्त होबएबला छल, पर आसिया प्रदेशक किछु यहूदीसब पौलुसके मन्दिरमे देख सब लोकके भड़का देलक आ हुनका पकड़ि लेलक।28ओसब हल्ला क' रहल छल, “इजराएलीसब, हमरासबके एहि आदमीके दण्ड देबएमे मदति करु। ई ओएह आदमी अछि जे सब ठामक सब लोकके एहन बात सिखबैत अछि जे लोक, धर्म-नियम आ एहि स्थानक विरुद्ध अछि। एकर अतिरिक्त यूनानीसब सेहो मन्दिरमे अनने छनि आ एहि पवित्र स्थानके अशुद्ध कएने छनि।”29किएकत' ओसब पहिने इफिसुस-निवासी त्रोफिमुसके नगरमे देखने छल, जेकरा ओसब सोंचैत छल जे पौलुस मन्दिरमे अनने छथि।30यरूशलेम पूरा नगरके लोकसब एकदम पीता गेल आ आदमीसब एके साथ दौड़क' पौलुसके पकड़ि लेलक। ओसब ओकरा घिसिअबैत मन्दिरस' बाहर निकालि लेलक आ तुरन्ते मन्दिरक दरबाजा बंद कएल गेल।31जखन ओ भीड़ हुनका मारबाक प्रयासमे छलाह तखने सैन्यदलक प्रमुख सेनापति लग ई खबरि आएल जे पूरा यरूशलेममे उपद्रव भ' रहल अछि।32ओ तुरन्त सिपाही आ सेनानायक सबके ल' क' भीड़क दिस दौड़ल गेलाह। जखन आदमीसब प्रमुख सेनापति आ सिपाहीसबके देखलक त' ओसब पौलुसके मारिपीट कएनाइ छोड़ि देलक।33तखन प्रमुख सेनापति पौलुस लग आबिक' पौलुसके दूटा झिझिरस' बन्हबाक आज्ञा देलथिन। तखन पुछलथिन जे ई के छथि आ की कएलहुं।34मुदा भीड़मे किछुगोटे एकटा आ केओ दोसर बात कहिक हल्ला करैत छलाह। ओना कप्तानके ओहि सब हल्ला-गुल्लाक कारणे की भ' रहल अछि ताहिके सत्य तथ्य पता नहि चललनि, तएं ओ आदेश देलनि जे पौलुसके सेनाक छावनीमे आनल जाए।35जखन ओ सिढ़हीपर पहुंचलाह तखन भीड़क हिंसाक कारणे सिपाहीसब हुनका ल' गेलाह।36आदमीक भीड़ पाछु-पाछु अबैत रहल आ हल्ला करैत रहल, “ओकरा खतम करु!”37जखन पौलुसके सेनाक छावनीमे आनएबला छल तखन पौलुस कप्तानस' कहलथिन, “हमरा अहाँस' किछु कहबाक अनुमति चाही?” कप्तान उत्तर देलथिन, “अहाँ यूनानी भाषा बजैत छी?38तखन की अहाँ ओ मिस्री नहि छी जे किछु समय पहिने विद्रोह शुरु क' क' चारि हजार उग्रवादीके जंगलमे ल' गेलऐ?”39मुदा पौलुस कहलथिन, “हम त' किलिकिया प्रदेशके तरसुस निवासी यहूदी छी। हम ओहि महत्वपूर्ण शहरक नागरिक छी। एहिलेल हम अहाँस' आग्रह करैत छी जे हमरा आदमीसबके संग बात करबाक अनुमति दिअ।”40जखन सेनापति हुनका अनुमति देलथिन, तखन पौलुस सिढ़हीपर ठाढ़ भ' क' आदमीसबके हाथस' इशारा कएलथि। जखन आदमीसब बिलकुल शान्त भ' गेल तखन ओ ओकरासबस' इब्रानी भाषामे कहलनि। ओ कहलनि,

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67