Acts22
1“यौ संगी यहूदी भाइसब आ बाबूसब, की भेल से हम अहाँसबके समक्ष किछु रखैत छी से सुनू।”2जखन भीड़ सुनलक जे पौलुस ओकरासबस' इब्रानी भाषामे बाजि रहल छथि, तखन ओसब बिलकुल चुप भ' गेलाह। तखन ओ कहलथिन,3“हम एकटा यहूदी छी, जे किलिकिया प्रान्तके तरसुस नगरमे जनमल छी, मुदा हमर पालन-पोषण यरूशलेम शहरमे भेल आ गमालिएल विद्वानके चरणमे एहि नगरमे पढ़ल-लिखल छी। हमरा हमर पूर्वजक' नियमक' कठोर विधि विधानक' अनुसार निर्देशन देल गेल छल। हम परमेश्वरक' लेल उत्साही छी, ठीक ओहिना जेना आइ अहाँसब छी।4हम एहि प्रभु यीशु मसीहके मार्गके मृत्यु धरि सतबैत रहलहुं, ओकरासबके स्त्री-पुरुष विश्वासीसबके बान्हिक' जहलमे राखि देलहुं,5मुख्य पुजारी आ सब महासभा सेहो हमरालेल गवाही द' सकैत छथि। हमरा हुनकासबहक दिसस' दमिश्कमे यहूदी अगुवासबके लेल पत्र सेहो भेटल छल, आ ओहि ठाम जे लोकसब छल, ओहि विश्वासीसबके सजाय देबाक लेल, हुनकासबके बान्हिक यरूशलेममे वापस अनबाक लेल ओतए गेलहुं।6जेना हम यात्रा करैत दमिश्क लग पहुंच रहल छलहुं त' दुपहरके लगभग अचानक स्वर्गस' एकटा पैघ इजोत हमरा चारुकात चमकए लागल।7तखन हम जमीनपर खसि पड़लहुं आ एकटा आवाज सुनलहुं जे, ‘साउल, साउल, अहाँ हमरा किएक सता रहल छी?’8तखन हम पुछलिऐक, ‘हे प्रभु, अहाँके छी? हम नासरतक यीशु छी, जेकरा अहाँ सतबैत छी।’9आ हमर संगी ज्योतिके देखलनि, मुदा जे हमरास' कहैत छल ओकर बात नहि सुनली।10तखन हम कहली, ‘प्रभु, हम की करु?’ हम ओहि इजोतक चमकए कारणे देख नहि सकलहुं, हमरासंग रहनिहार सबहक हाथ पकड़िक हम दमिश्कमे आबि गेलहुं।11जखन ओहि इजोतक महिमा हमरा किछु देखाइ नहि देलक, त' हम अपन संगीके हाथ पकड़ल दमिश्क शहरमे अएलहुं।12ओहि शहरमे हमरा एकटा हननियाह नामक आदमीस' भेट भेल, जे व्यवस्था अनुसार जीवन निर्वाह करएबला भक्त छलाह आ ओहि ठाम रहनिहारसब यहूदीसबमे हुनक नीक गवाही छलनि।13ओ हमरालग आबिक' ठाढ़ भ' क' हमरा कहलथिन, ‘साउल भाइ, दृष्टि प्राप्त करु।’ ओहि क्षण हमरा दृष्टि प्राप्त भेल, आ हम हुनका देखलहुं।14तखन ओ कहलथिन, ‘हमरासबहक पूर्वजक परमेश्वर अहाँके अपन इच्छाके जानबाक लेल आ धर्मी के देखबाक लेल आ हुनकर मुंहस' निकलएबला आवाजके सुनबाक लेल चुनने छथि।15किएकत' अहाँसब जे सम्मुख देखलहुं आ सुनलहुं से सब लोकक सामने परमेश्वरके गवाही बनब।16आब अहाँ किएक प्रतीक्षा क' रहल छी? उठू, बपतिस्मा लिअ आ ओकर नाम पुकारैत अपन पापके धोउ।’17तेकरबाद, हमरासंग एना भेल हम यरूशलेम मन्दिरमे प्रार्थना करैत काल हम प्रभुके दर्शन पएलहुं।18हम देखलहुं जे ओ हमरा कहैत छथि, ‘जल्दी-जल्दी यरूशलेमस' चलि जाउ, किएकत' ओसब हमरा विषयमे अहाँक गवाहीके स्वीकार नहि करत।’19हम कहलिएनि, ‘प्रभु, ओसब स्वयं जनैत छथि जे हमसब सभाघरमे अहाँपर विश्वास करएबलासबके जहलमे राखिक' मारिपीट करैत छलहुं।20जखन अहाँक साक्षी स्तिफनुसके' लेहू बहल छल तखन हमहूं ठाढ़ भ' क' सहमत छलहुं आ ओकरा मारएबला सबहक वस्त्रके रखबारी करैत छलहुं’21मुदा ओ हमरा कहलथिन, ‘जाउ, किएकत' हम अहाँके दूर-दूर धरि गैर-यहूदीसबके लग पठा रहल छी।’”22ओसब हुनकर एतबे बात सुनलक। तखन ओसब अपन जोर-जोरस स' चिचिआइत कहए लागल, “एहन आदमीके पृथ्वीस' हटाउ, किएकत' ओ जीवित रहए योग्य नहि अछि।”23जखन ओसब पीतस' चिचिआ रहल छल आ अपन कपड़ा उतारिक' हवामे फेक रहल छल आ हवामे गर्दा उड़बैत छल ,24प्रधान सेनापति पौलुसके सैनिक गढ़मे अनबाक आज्ञा देलक। ओ आदेश देलथिन जे कोड़ा मारिक' जांचबूझ कएल जाए, जाहिस' ओकरा पता चलए जे कोन कारणस' ओकरापर एना चिचिआ रहल अछि।25मुदा जखन सिपाहीसब ओकरा कोड़ा मारबाक लेल डोंरी ल' क' बान्हि लेने रहैक त' पौलुस ओहि ठाम ठाढ़ सेनापतिके पुछलथिन, “की अहाँके रोमी नागरिकके कोड़ा मारब उचित अछि जे दोषी नहि अछि?”26सेनापति ई बात सुनिक' प्रधान सेनापतिक' लग जा क' कहलनि, “अहाँ की करए' जा रहल छी? किएकत' ई आदमी रोमी नागरिक अछि।”27तखन प्रधान सेनापति आबि हुनका पुछलथिन, “की अहाँ रोमी नागरिक छी?” पौलुस कहलथिन, “हं, हम रोमी नागरिक छी।”28तखन प्रधान सेनापति उत्तर देलथिन, “हम अपन नागरिकता बहुत रास पाइस' किनने छी।” मुदा पौलुस कहलथिन, “हम त' जन्मस' रोमी नागरिक छी।”29तखन जे लोकसब हुनकास' जांचबूझ करए जा रहल छल, ओसब तुरन्त हुनका छोड़ि देलक। प्रधान सेनापति सेहो डेरा गेलाह , जखन ओकरा पता चललनि जे पौलुस रोमी नागरिक छथि, आ किएकत' ओ हुनका बान्हि देने छलाह।30दोसर दिन ओ मुख्य पुजारी आ यहूदी महासभाके सदस्यद्वारा पौलुसपर जे आरोप लगाओल गेल छल, ओकर सत्य तथ्य जानए चाहैत छलाह। तएं सेनापति हुनका बन्हन खोलि देलथिन आ मुख्य पुजारीसब आ महासभाके जम्मे सदस्यके बैसबाक आदेश देलथिन। तखन ओ पौलुसके नीचा लाबिक' हुनकासबहक बीचमे राखि देलथिन।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.