Acts20
1ई होहल्ला बंद भेलाक बाद, पौलुस विश्वासीसबके बजौलक आ प्रोत्साहनक किछु शब्द कहैत, ओकरासबस' विदा भ' क' मकिदुनिया लेल प्रस्थान कएलखिन।2जखन ओ ओतस' विदा भ' क' ओहि क्षेत्र होइत गेलाह आ विश्वासीसबके अनेको सन्देश द्वारा प्रोत्साहित करैत गेलाह आ यूनान देश पहुंचलाह।3तीन महिना ओत रहलाके बाद, जहाजस' सीरिया देश दिस जएबाक विचार कएलक मुदा यहूदीसब यात्रामे हुनकर विरुद्ध षड्यन्त्र कएलाक कारणे ओ मकिदुनिया भ' क' जएबाक निर्णय लेलनि।4तखन बिरीया निवासी पिरुसके बेटा सोपात्रोस, थिसलुनिका स' अरिस्तर्खुस आ सिकुन्दुस, दरबेके गयुस, आ तिमुथियुस, आ आसिया तुखिकुस आ त्रोफिमुस हुनकासंग गेलाह।5मुदा ओसब पहिने त्रोआस पुगिक' हमरा सबके बाट जोहैत छल।6तखन हमसब अखमीरी रोटीके पावनि दिनके बाद फिलिप्पी स' जहाजमे बैसिक' पांच दिनमे त्रोआसमे आबि गेलहुं। आ ओत सात दिनधरि रहलहुं।7सप्ताहके पहिन दिन जखन हमसब रोटी तोड़ए लेल जमा भेलहुं, पौलुस आधा राति धरि ओतुका विश्वासीसब संग बातचित करैत रहल किएकत' ओ दोसर दिन जएबाक विचार कएने छलाह।8हमसब जत जमा भेल छलहुं ओकर उपरका कोठलीमे बहुत डिबिया जरि रहल छल।9युतखुस नामक एकटा युवक खिड़कीपर बैसल छल। पौलुस बहुत अबेर धरि बात करैत रहल कारण ओ औंघीस' सुति रहल आ निनमे भेलाके कारण तेसर मन्जिल स' खसि पड़ल आ मृत अवस्थामे ओकर उठाएल गेल।10पौलुस उतरिक' नीचा अएलाह आ ओकरा उपर सूतीके ओकरा कसिक' पजिआ लेलकनि। तखन ओ कहलखिन, “नहि घबड़ाउ, किएकत' ओ जीविते अछि।”11तखन ओ फेरु उपरका कोठली पर गेल आ भिनसर धरि बातचित करैत रहि गेल। ओहिके' बाद ओ ओतएस' प्रस्थान कएलनि।12आब विश्वासीसब ओहि बौआके जीविते ल' गेल आ ओहिस' बहुते लोकके सान्त्वना भेटल।13मुदा हमसब पौलुसस' पहिने जहाज धरि गेली आ जहाज चढ़िक हमसब असुस शहर अएलहुं। हमसब पौलुसके जहाजमे चढ़एबाक विचार कएने रहि। पौलुस एहि तरहें व्यवस्था क' क' ओ अपने पैदल जएबाक योजना कएने छलथि।14जखन ओ असुसमे हमरा सबके भेट भेलनि, हमसब हुनका पानिक जहाजमे राखिक' मितुलेन शहरमे आबि गेली।15ओत' स' जहाजक यात्रास' हमसब दोसर दिन खियुस द्वीप आगुमे आबि गेली। आ परसु भेने सामोस शहरमे पहुंचलहुं। ओहिके एकदिन बाद हमसब मिलेतुस नगरमे अएलहुं।16पौलुस निर्णय कएने छलाह जे हम इफिसी छोड़ि निकलि जाएब जाहिस' आसिया प्रान्तमे बेसी समय खर्च नहि होए। सम्भवत पेन्तेकुस्तके दिन धरि यरूशलेम पहुंच जाइ, ओहिलेल ओ जल्दबाजीमे करैत छलाह।17पौलुस मिलेतुसस' सन्देश पठाक' इफिसुसके मण्डलीके देख-रेख कएनिहारसबके बजएलक।18जखन ओसब हुनका लगमे आएल त' ओ ओकरासबहक कहलनि, अहाँसब अपने जनैत छी जे हम आसिया अएलाह पहिन दिनस' ल' क' सम्पूर्ण समय कोना हम अहाँसबहक संग गुजारली।19हम प्रभुके सेवा बहुत नम्रतास' नोर बहाक' ओहि संकट घड़ीमे, जे यहूदीसबके षड्यन्त्र क' कारण हमरापर आएल छल, करैत छल।20अहाँसबहक भलाइके बात अहाँसबहक बीचमे कहएस' ल' क' सभा सबमे आ घरे-घर जा' क' शिक्षा देबएबला काजस' कहियो पाछु नहि भेलहुं।21यहूदीसब आ यूनानीसब दुनूके पापक पश्चातापक' क' परमेश्वर दिस घुरि अएबाक लेल आ प्रभु यीशुपर विश्वास करए लेल हम गवाही घोषणा कएने छी।22आबि देखू, हम पवित्र आत्माके प्रेरणा स' यरूशलेम जा' रहल छी, नहि पता ओत हमरासंग की होएत।23एतबे जनैत छी जे हरेक नगरमे कष्ट आ जहल हमर प्रतीक्षा क' रहल अछि से पवित्र आत्मा हमरा चेतावनी दैत छथि।24मुदा हमरालेल हमर प्राणके कोनो मूल्य नहि अछि। हमरा एहि बातक सुर्ता अछि जे हम परमेश्वरक अनुग्रहके सुसमाचारक गवाही घोषणा खातिर हम अपन दौड़ आ प्रभु यीशुस' भेटल हमर सेवाक काज पूरा क' सकी।25हम जनैत छी जे अहाँसब, जेकरा बीचमे हम परमेश्वरक राज्यके' विषयमे प्रचार कएलहुं, हमर मुंह फेरु कहियो नहि देखब।26एहि कारणे, हम गवाही दैत छी की हम केकरो लेहूके दोषी नहि होएब।27कारण, हम अहाँसबके परमेश्वरक पूरा अभिप्राय बताबएमे कोनो कन्जूसी नहि कएलहुं।28अहाँसब अपन आत्मिक जीवनक लेल आ अपन झुण्डके सदस्य सबहक लेल सचेत आ सावधान रहू। पवित्र आत्मा अहाँसबके मण्डलीके जिम्मेवार बनौने छथि ताहिके लेल ओ अपना लेहूस' किनने परमेश्वरके मण्डलीके अहाँसब देख-रेख करु। 29हमरा बुझल अछि जे हमरा गेलाकबाद अहाँसबके बीचमे झुट्ठा शिक्षकसब जंगली नढ़िया जकां आबि जाएत आ भेंड़के झुण्डके नहि छोड़त।30हम जनैत छी जे अहाँसबमेस' किछु लोक भरमाबएबला बात कहैत आबि जाएत जे चेलासबके ओसब अपन चेला बना लेत।31एहिस' सावधान रहू। मन राखू जे तीन साल धरि हम अहाँसबमेस' एक-एक गोटेके राति-दिन नोर बहबैत चेतावनी दैत रहलहुं।32आब हम अहाँसबके परमेश्वर आ हुनकर अनुग्रहके वचनपर सोंपैत छी, जे अहाँसबके मजगूती देब' मे सक्षम अछि आ पवित्र कएल गेल सब लोकक बीच अहाँसबके उत्तराधिकार देब' मे सक्षम अछि।33हम केकरो चानी आ सोना आ वस्त्रके' ललसा नहि कएलहुं।34अहाँसब स्वयं जनैत छी जे ई हाथ हमर आ हमरासंग रहनिहार सबहक जरुरतिके पूरा क' क' सेवा करैत छल।35हम अहाँसबके सब बातमे देखा देलहुं जे एहि तरहें हमरासबके कमजोर लोकसबके मदति करबाक लेल बहुत मेहनति करबाक चाही, आ प्रभु यीशुक वचनसबके सेहो मन रखबाक चाही, जे ओ स्वयं कहने छलाह, “लेबएस' बेसी धन्य अछि दान करब।”36ई बात कहलाक बाद पौलुस सब गोटेक संग ठेहुन रोपिक' प्रार्थना कएलनि।37तखन ओसब पौलुसके गला लगाक' चुम्मा लेलक।38ओसब ओहि बातक कारणे सबस' बेसी दुखित भेलाह जे ओसब हुनकर मुंह फेरु कहियो नहि देखएबला अछि। आ ओसब हुनका जहाजपर पहुंचा देलकनि।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.