Romans6

1केओ कहि सकैत अछि, “यदि अहाँ जे कहलहुं से सत्य अछि, तखन निश्चितरुपस' हमसब विश्वासीसबके पाप करैत रहबाक चाही जाहिस' परमेश्वर अपन दया आओर बेसी देखा सकए!”2तखन हम कहब, हमसब आब पापक नियन्त्रणमे नहि छी निश्चितरुपस' पापी जीवन नहि जीबि सकैत छी!3अहाँके अवश्य जनबाक चाही जे परमेश्वर ओहि व्यक्तिके मसीह यीशुस' ओहि व्यक्तिस' जोड़ैत छथि जेकरा केओ बपतिस्मा दैत अछि, आ ई एहन अछि जेना ओ व्यक्ति मसीहके संग मरि गेल होए!4तएं, जेना मसीहक संगे बपतिस्मा ल' क' मरि रहल अछि, एहन अछि जेना परमेश्वर हमरासबके यीशुके संगे कबरमे दफन क' देलनि। ई भेल जे जेना परमेश्वर पिताके महिमामय शक्ति मसीहके मृतकमेस' जीवित उठएलनि, तहिना हमसब एकटा नव तरीकास' जीवन जिअ सकब।5वास्तवमे, हम यीशुके मृत्युमे सहभागी छी, निश्चितरुपस' हम परमेश्वरस' फेरु जीवित कएल जाएमे सेहो सहभागी होएब।6हम जनैत छी जे जखन लोकसब यीशुके क्रूसपर चढ़एलक, तखन परमेश्वर जे हमर बितल पापपूर्ण शरीरके स्वभावके हुनके संगे समाप्त क' देलनि। ओ एना एहिलेल कएलनि जे पापके हमरा उपर नियन्त्रणके पूरे तरहेंस' समाप्त कएल जा सकए, जे हमरासबके आब पापके दास बनिक' नहि जिअए पड़ए।7ई एहिलेल अछि किएकत' जे लोक पापपूर्ण जीवन जीबैत अछि ओ यीशुके मृत्युमे सहभागी होएत अछि, आ परमेश्वर ओकरा पापमय जीवनस' मुक्त करए छथि। 8आब जखन एहन अछि जे हम मसीहके संगे मरि गेल छी, त' हमरा विश्वास अछि की हम हुनकासंग अनन्तकालधरि जीवित सेहो रहब।9हमसब जनैत छी जे मसीह फेरु कहियो नहि मरि सकैत छथि, किएकत' परमेश्वर हुनका मृतकमेस' जीवित उठएलनि। केओ मसीहके फेरुस' मरए नहि देत।10ई एहिलेल अछि किएकत' जखन यीशु मरि गेलाह, तखन मात्र एकबेर पापक नियन्त्रण हटाबएलेल हुनका मरए पड़लनि। आब जखन ओ जीवित छथि त' फेरुस' ओ परमेश्वरक महिमा करबाक लेल जिऐत छथि।11तहिना स्वयंके पापके नियन्त्रणमे नहि बुझू। वास्तवमे, परमेश्वरक महिमा करबाक लेल स्वयंके जीवित मानू किएकत' परमेश्वर अहाँके मसीह यीशुके संग जोड़ि देने छथि।12किएक ई सत्य अछि, अपन पापमय इच्छाके अहाँ शरीरके नियन्त्रित नहि करए दिए। ई अहाँलेल पाप करएके काजमे ल' जाएत जे अहाँ करए चाहैत छी।13अपन शरीरके अंगके प्रयोग अधर्मी कामके साधनके लेल वा पाप करएके लेल नहि करु। बल्कि परमेश्वरके इच्छा पूरा करएलेल जीबू, एहन लोक जिनका परमेश्वर मरलाके बाद जीवित कएलनि। एकरे संगे, अपन शरीरके अंगसबके प्रयोग धर्मी काजके लेल करु जे परमेश्वरक महिमा होए।14वास्तवमे, अपन पापमय इच्छासबके स्वयंके नियन्त्रित करए नहि दिऔ किएकत परमेश्वर यहूदी लोकसबके जे व्यवस्था देने रहथि, ओ आब अहाँके नियन्त्रित नहि करत। एकर बल्कि, परमेश्वरक अनुग्रह अहाँके नियन्त्रित करैत अछि।15केओ कहि सकैत अछि, “यदि जे अहाँ कहने छी ओ सांच अछि त' निश्चितरुपस' हमरा विश्वासीसबके पाप करैत रहबाक चाही किएकत परमेश्वर यहूदी लोकसबके जे व्यवस्था देने रही, ओ आब हमरासबके नियन्त्रित नहि करत। एकरा बदला, परमेश्वरक अनुग्रह हमरासबके नियन्त्रित करैत अछि!” तखन हम कहब “बिलकुल नहि!”16अहाँ अवश्य जनैत छी जे यदि अहाँ कोनो वस्तु वा व्यक्तिके अधीन भ' जाएत छी, त' अहाँ ओहि वस्तु वा व्यक्तिके समान दास भ' जाइत छी, जेकरा अधीन अहाँ भ' जाएत छी! ई सत्य अछि चाहे अहाँ स्वयंके पापमय जीवन जीवके लेल समर्पित करैत छी, जे अहाँके अनन्तकालधरि मृत्युके दिस ल' जाएत, वा स्वयंके परमेश्वरके समर्पित करैत अछि, जे अहाँके धर्मी बनाओत।17यद्यपि अहाँ पहिने पापके दासक जीवन जीवित रही, आब अहाँ ठीक मनस' ओहि शिक्षा प्रति समर्पित छी जेकरा परमेश्वर अहाँके सिखऔने अछि। परमेश्वरके धन्यवाद होए!18वास्तवमे, परमेश्वर अहाँके पापमय जीवनस' मुक्त देने अछि, आब अहाँ धर्मी भ' क' परमेश्वरक सेवा क' रहल छी।19हम पौलुस मानवीय भाषामे बजैत छी, किएकत अहाँ आत्मिकरुपस' अपरिपक्व छी। वास्तवमे, जेना अहाँ पहिने अपन शरीरके अंगसबके प्रयोग अपवित्रतामे आओर परमेश्वरक नियमके उल्लंघन करैत होअए अधर्मके दासके रुपमे प्रस्तुत कएने रही, आब ओहि तरहें अपन अंगसबके उपयोग धर्मी जीवन जिअएके लेल करी। एकरास' अहाँ परमेश्वरक लोकसब जकां जीवन जी सकब।20ई एहिलेल अछि किएकत जखन अहाँ पहिने जखन पापके दासक जीवनमे रही, तखन अहाँ धर्मी जेना नहि जी रहल रही।21एहिलेल, पहिने अहाँके ओहि पापमय काजसबस' कोनो लाभ नहि भेटल जे आब अहाँके लाज होइत अछि। किएकत ओ काज अन्त: अहाँके अनन्तकालके मृत्युके दिस ल' जाएत।22परन्च आब अहाँ यीशुपर विश्वास करैत छी, परमेश्वर जे अहाँके पापमय जीवनस' मुक्त क' देने अछि आ अपन सेवा क' लेल अलग बनौने अछि। एहिलेल, अहाँके जे लाभ भेटैत अछि, ओ अछि एहन जीवन जे परमेश्वरक लोकसब जकां होएत अछि। वास्तवमे, एहन जीवनक परिणाम अन्तत अनन्तकालके जीवन प्राप्त कएनाइ अछि।23हम ई कहैत छी किएकत पापमय जीवन जिअएबला लोकके अन्तत मृत्युके सामना करए पड़त अनन्तकालधरि, मुदा परमेश्वरके वरदान हमर प्रभु मसीह यीशुस' जुड़ल लोकसबके अनन्तकालके जीवन दैत अछि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67