Romans5

1एहिलेल हमरा अपन प्रभु यीशु मसीहक माध्यमस' परमेश्वरक संगे शान्तिस' रहबाक चाही किएकत हम प्रभु यीशुपर विश्वास करबाक कारणे धर्मी ठहरल छी।2हमर प्रभु यीशु मसीह सेहो हमरा परमेश्वरके अनुग्रहके अनुभव सदैव करैत रहलेल अनुमति दैत अछि किएकत हम हुनकापर विश्वास करैत छी। हम विश्वासपूर्वक एहि बातक आशा क' सकैत छी जे हम परमेश्वरक महिमामे सहभागी होएब।3ई एसगरे बात नहि अछि जेकरापर हमरा गर्व भ' सकैत अछि। बल्कि, हम ओहि दर्दनाक परिस्थितिसबमे सेहो विश्वासपूर्वक गर्व क' सकैत छी। हम एना क' सकैत छी किएकत हमरा पता अछि जे दर्दनाक परिस्थितिसब सहनशीलताके बढ़बैत अछि।4आ सहनशीलता परमेश्वरस' स्वीकार कएल जाए दिस ल' जाएत अछि। आ जखन परमेश्वर हमरा स्वीकार करैत अछि, त' हम आओर बेसी आशावादी बनि जाएत छी।5आ जखन हम आशा' भरि जाएत छी, त' हम निराश नहि होएब। ई एहिलेल अछि किएकत पवित्र आत्मा जे हमरा गहिंराइस' बुझएके शक्ति देने अछि जे परमेश्वर हमरास' कतेक प्रेम करैत अछि। परमेश्वर जे हमरा ई पवित्र आत्मा देने अछि।6वास्तवमे, जखन हम असहाय रही, तखन मसीह यीशु जे हम अधर्मी लोकसबलेल मृत्युके सामना कएलनि। परमेश्वर एहिके ठीक समयपर घटित कएलनि।7वास्तवमे, केओ शायदे कखनो कोनो धर्मी व्यक्तिके लेल मरए के विचार करत, ओनात केओ एकटा नीक व्यक्तिके लेल साहसस' मरएके विचार क' सकैत अछि।8मुदा परमेश्वर हम विश्वासीसबके प्रति अपन प्रेम एहि तरहें' प्रदर्शित करैत अछि: जखन हम एखनो पापी रही, तखन प्रभु यीशु मसीह जे हमरासबहक लाभक लेल मृत्युके सामना कएलनि!9एहिलेल मसीहक मृत्यु जे हमरासबके पहिनहि धर्मी बना देने अछि, ई आओर बेसी निश्चित अछि जे ओ हमरासबके परमेश्वरके क्रोधस' ओहि समयमे बचा लेताह जखन परमेश्वर पापीसबके दण्ड देताह।10वास्तवमे, परमेश्वरके पुत्र प्रभु यीशु जे ओहि समय हमरासबके परमेश्वरस' मिलाप करौलथि जखन हमसब हुनकर दुश्मन रही। एहिलेल, यीशु जे पहिनहि हमरासबके परमेश्वरस' मिलाप करौने छथि, ई आओर बेसी निश्चित अछि जे ओ हमरा बचा लेथिन जखन परमेश्वर पापीसबके दण्ड देथिन किएकत ओ फेरुस' जीवित अछि!11आब ई एसगरे बात नहि अछि जे परमेश्वर हमरालेल करैत अछि। बल्कि, हमहूं परमेश्वरपर गर्व करैत छी हुनकर काज सबके चलते जे हमर प्रभु यीशु मसीह जे हमरालेल कएने अछि। यीशु जे पहिनेस' हमरासबके परमेश्वरक संगे मेल-मिलाप करौने अछि!12त' फेरु, पाप संसारमे प्रवेश कएलक किएकत एगो व्यक्ति जे पाप कएलक, आ सब जीवधारी मरए लागल किएकत ओसब पाप कएलक। ओहिना सब केओ मरए लागल, किएकत सब केओ पाप करैत अछि।  13सांचोमे, संसार भरिक लोक पाप करैत छल एकरास' पहिने जे परमेश्वर अपन व्यवस्था यहूदीसबके देलक। ओना, परमेश्वर ओकर काज सबके पापक रुपमे नहि मानैत छल एहिलेल जे व्यवस्था एखन नहि छल जे पापक पहिचान करबैत अछि।14तइयो, सब लोकसब मरैत गेल पहिन व्यक्ति आदमके समयस' ल क मूसाक समय धरि। एतधरि जे ओ लोक सेहो मरल जे सब आदमके देल गेल ओहि आदेश उल्लंघन क' क' पाप नहि कएलक। आदम ओहि व्यक्तिक जकां अछि जे बादमे आओत। 15मुदा परमेश्वर जे अनुग्रहस' हमरासबके वरदान देने अछि ओ ओहि अपराध जकां नहि अछि जेना आदम परमेश्वरक आदेशके अस्वीकार कएलक। वास्तवमे, ई सत्य अछि जे कतेको लोक मरल किएकत एगो व्यक्ति आदम जे परमेश्वरक आदेशके अस्वीकार कएलक। मुदा परमेश्वरक अनुग्रह आ जे परमेश्वर अनुग्रहस' हमरासबके देलनि यीशु मसीहक चलते बहुते लोकसब धरि पहुंचैत अछि जे कतेक महान अछि!16तथापि, जे परमेश्वर दैत अछि ओ ओहिस' भिन्न अछि जे भेल एगो व्यक्ति आदम जे पाप कएलक। ई सत्य अछि वास्तवमे, परमेश्वर जेकरासबके पापी ठहरौलनि आदमके पाप करबाक बाद जेकर परिणाम स्वरुप परमेश्वर जे सबके दण्डित कएलक। एकर विपरीत, परमेश्वर जे लोकसबके बेर-बेर ओकर निर्देशसबके अस्वीकार कएलाक बाद वरदान देलनि जेकर परिणाम छल जे परमेश्वर ओकरा धर्मी बनौलनि।17वास्तवमे, सबगोटे मरि गेल किएकत एगो व्यक्ति आदमके अपराधके कारण, ई आओर बेसी निश्चित अछि जे लोक परमेश्वरक बेसी दयालुके स्वीकार करैत अछि आ ओहिमे से ओ धर्मी बनबैत अछि ओ आत्म-नियन्त्रणमे रहत। ई होएत किएकत जे यीशु मसीहके द्वारा जीवनमे राज्य करब। 18एहिलेल, जेना परमेश्वर आदमके अपराधके कारण सबके दण्डित कएलनि, ओहिना, परमेश्वर सबके धर्मी बनबाक चाहैत छथि, जाहिस ओ अनन्त जीवन प्राप्त करैत अछि किएकत यीशु धर्मपूर्वक काज कएलनि।19वास्तवमे, जाहि तरहें लोक पापी बनल किएकत एगो व्यक्ति आदम जे परमेश्वरक आज्ञाके उल्लंघन कएलक, ओहि तरहें कतेको लोक धर्मी बनत किएकत एगो व्यक्ति यीशु जे परमेश्वरक आज्ञाक पालन कएलनि।20तथापि परमेश्वर जे अपन व्यवस्था जोड़लनि जाहिस' लोक हुनकर निर्देशक आओर बेसी अस्वीकारक' सकए। तथापि, जखन लोकसब बेसी पाप करए लागल, त' परमेश्वर जे आओर बेसी अनुग्रह देखएलनि!21ई एहिलेल भेल जे परमेश्वर लोकसबके धर्मी बनाक' ओकरा प्रति अनुग्रही भ' सकी। जेना पाप जे लोकसबपर मृत्युके नियन्त्रण स्थापित कएलक, ओहिना जखन परमेश्वर लोकसबके धर्मी बनबैत अछि, त' ओ अनन्त जीवन प्राप्त करैत अछि। ई एहिलेल अछि किएकत हमर प्रभु यीशु मसीह जे हमरालेल ई कएलनि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67