Revelation14
1मुदा फेरुस' हम बलि-भेंड़ाके यरूशलेममे सियोन पहाड़पर ठाढ़ भेल देखलहुं। हुनकासंग 144,000 लोकसब छल। हुनक नाम आ हुनकर पिताके नाम ओकरासबके माथपर लिखल छल।2हम स्वर्गस' एकटा आवाज सुनलहुं जे एकटा बड़का झरना वा भरिगर गर्जन जकां तीव्र छल। ओ एना सुनाइ दैत छल जे कतेक लोकसब वीणा बजौनिहार होइक। 3जं ओसब 144,000 लोक सिंहासनके आगु, चारि जीवित प्राणीके आगु, आ धर्मवृद्धके आगु ठाढ़ छल, ओसब एकटा नव गीत गाबि रहल छल। मात्र 144,000 लोकसब ओहि नव गीतके सिख सकैत छल, ओ लोकसब जेकरा पृथ्वीके लोकसबमेस' बलि-भेंड़ा छोड़एने छलथि। आओर केओ ओहि गीतके नहि सिखए सकैत छल!4ई 144,000 एहन लोकसब अछि जे स्त्रीसबसंगे स्वयंके भ्रष्ट नहि कएने रहैक; ओसब कहियो अनैतिक सम्बन्ध नहि बनौने रहैक। ई ओहन लोकसब अछि जे बलि-भेंड़ा जत' कतौ जाइत छथि त' हुनकर ओसब अनुसरण करैत अछि। ई ओहन लोकसब अछि, जेकरा पृथ्वीके लोकसबमेस' परमेश्वरके लेल बलि-भेंड़ा छोड़एने छथि; जेकरासबके बलि-भेंड़ा पहिने परमेश्वरके लेल तखन अपनालेल अर्पित कएने छथि। 5ई लोकसब कहियो झूठ नहि बजलनि, ओसब निर्दोष छथि।6फेरु तखन हम एकटा आओर स्वर्गदूतके आकाश आ स्वर्गके बीचमे उड़ैत देखलहुं। ओ परमेश्वरके अनन्त सुसमाचार पृथ्वीपर आनि रहल छलथि जे ओ पृथ्वीपर रहनिहारसबके प्रचार करए। ओ एहिके हरेक कुल, हरेक जाति, हरेक भाषा बाजएबला, आ हरेक लोकसबके समूहसबमे प्रचार करतथि।7ओ स्वर्गदूत जोरस' बजलनि, “परमेश्वरके महिमा, आदर आ स्तुति करियौ, किएकत' आब हुनकर समय अछि जे सबकेओके न्याय करथि! हुनकर आराधना करियौ किएकत' ओएह छथि जे स्वर्ग, पृथ्वी, समुद्र आ पानिके सब जलस्रोत बनौने छथि।” 8एकटा आओर स्वर्गदूत आकाशमे हुनकर पाछु आबिक' कहलनि, “बेबिलोन नामक दुष्ट शहर आब पुरे नाश भ' गेल अछि। बेबिलोन जे सब जातिके अनैतिक यौनाचारके वासनामे अपन संगी बनएलेल विवश कएने रहैक। बेबिलोन एहन व्यक्तिसन अछि जे केकरो पीबएलेल बहुत बेसी दाखरस दैत अछि!” 9एकटा आओर स्वर्गदूत, अर्थात् तेसर स्वर्गदूत, उंच शब्दमे कहैत आएल, “यदि लोकसब पशु आ ओकर मूर्तिके पूजा करैत अछि वा ओकरा चेन्ह अपन हाथ वा माथपर लगबैत अछि,10त' परमेश्वरके क्रोध ओकरापर फुटतैक, आ हुनकर क्रोध दाखरस जकां कड़ा होएत, जे ओ पिओतनि। ओ अपन पवित्र स्वर्गदूतके उपस्थितिमे आ बलि-भेंड़ाके उपस्थितिमे जरैत गन्धकमे ओकरासबके पीड़ा देतनि। 11आगिस' निकलैत धुआं सदाके लेल ओकरासबके यातना दैत रहत। परमेश्वर राति आ दीन सदैव, कष्ट दैत रहतनि। ई ओहि लोकसबके संग होएत जे जानबर आ ओकरा मूर्तिके पूजा करैत अछि वा ओकरा चेन्ह अपना उपर लिखबैत अछि।”12एहिलेल परमेश्वरके धर्मी लोकसब, जे हुनकर आज्ञासबके पालन करैत अछि आ जे यीशुपर विश्वास करैत अछि, ओकरासबके अवश्य चाही जे विश्वासपूर्वक आज्ञासबके पालन करए आ हुनकापर भरोसा करैत रहैक।13तखन हम स्वर्गस' एकटा आवाज सुनलहुं, “ई लिखू: आब ओसब कतेक धन्य अछि जे प्रभुमे मरैत अछि। परमेश्वरके आत्मा कहैत छथि, ‘हं मरलाके बाद, ओकरासबके पीड़ा नहि सहए पड़तनि, बल्कि ओ विश्राम करत, आ सबगोटे ओकर नीक काजसबके स्मरण करत जे ओसब कएने छै।’”14फेरु तखन हम एकटा आओर आश्चर्यक बात देखलहुं। ई एकटा उज्जर बादल छल, आ मेघपर केओ विराजमान भेल छलथि जे मनुष्यक पुत्र जकां देखाइ दैत छलथि। ओ अपन माथपर एकटा सोनाके मुकुट पहिरने छलथि। हुनकर हाथमे एकटा धरगर हंसुवा रहए। 15फेरु एकटा आओर स्वर्गदूत सभाघरस' बहरएलाह। ओ उंच शब्दमे बादल पर विराजमानस' कहलनि, “समय आबि गेल अछि जे पृथ्वीपर फसल काटल जाइक, अहाँके अपने हंसुवास' बालि कटबाक चाही, किएकत' फसल पाकि गेल अछि।”16तखन बादल पर विराजमान अपन हंसुवा ल' क' पृथ्वीपर अएलथि आ ओ पृथ्वीपर बालि कटलथि।17स्वर्गके सभाघरस' एकटा आओर स्वर्गदूत बहरएलाह। हुनकोलग एकटा धरगर हंसुवा छल।18एकरबाद, वेदीलगस' सेहो एकटा स्वर्गदूत अएलनि। ई ओएह छथि जे वेदीके आगिपर अधिकार रखैत छथि। ओ ओहि स्वर्गदूतके जिनकालग हंसुवा छल ओकरा जोरस कहलनि, “हंसुवास' पृथ्वीपरके अंगूर बगानमेस' दाखरस काटिक' जमा करु, किएकत' अंगूर पाकि गेल अछि!”19एहिलेल ओ स्वर्गदूत पृथ्वीपर अपन हंसुवा चलएलनि। तखन ओ ओहि अंगूर बगानसबके बड़का रसकुण्डमे फेक देलक, जत परमेश्वर क्रोधमे दण्डित करताह।20परमेश्वर अंगूरसबके यरूशलेम शहरके बाहर रसकुण्डमे पिच देलनि, आ लेहू निकलल! लेहू एकटा धारमे एतेक बहल जे घोड़ासबके लगामधरि पहुंच गेल आ तीन सय किलो मीटर धरि पसरि गेल।
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.