Revelation13

1तेकरबाद, फेरु हम एकटा जानबरके समुद्रस' बाहर निकलैत देखलहुं। ओकरा दसटा सींग आ सातटा सिर रहथि। ओकर प्रत्येक सींगपर एकटा राजमुकुट रहैक। ओकरा प्रत्येक सिरपर एकटा एहन नाम रहैक, जे परमेश्वरके अपमान करैत छल। 2ई जानबर एकटा चितुवा सन छल। मुदा ओकर पयर भालु सन छल, आ ओकर मुंह सिंह जकां छल। अजगर ओहि जानबरके बड्ड शक्तिशाली बना देलक। ओ ओकरा लोकसबपर शासन करबाक लेल राजाके अधिकार सहित सिंहासन देलक।3ओ जानबरके सिरमेस' एकटा एहन सिर छल जाहिपर एकटा घाव छल एना बुझाति छल जे ओ मरि जएतैक। मुदा ओकर घाव ठीक भ' गेल छल। एहिलेल पृथ्वीके सब लोक ओहि जानबरस' आश्चर्यचकित भेल आ ओकर पाछु भक्त भ' गेल।4सब लोकसब अजगरके सेहो पूजा कएलक किएकत' ओ जानबरके ओकरासबपर शासन करबाक अधिकार देने रहैक। ओसब ओहि पशुके पूजा कएलक आ एक-दोसरसंग कहलकनि, “एहि जानबर जकां शक्तिशाली केओ नहि अछि, के एकर विरुद्ध युद्धके' सकैत अछि?”5परमेश्वर ओहि जानबरके घमण्डी बात करएलेल आ हुनक निन्दा करएके अनुमति देलथिन। परमेश्वर ओकरा लोकसबपर बियालीस महिना धरि शासन करबाक अधिकार देलथिन।6जं ओ जानबर बाजल त' ओ परमेश्वरके, हुनकर नामके, हुनकर निवास स्थानके आ ओकरासबके जे स्वर्गमे रहैत अछि अपमान कएलक।7परमेश्वर ओहि पशुके परमेश्वरके योग्य लोकसबसंगे युद्धके' क' विजयी होएबाक अनुमति सेहो देलथिन। ओकरा लग प्रत्येक कुल, प्रत्येक जातिपर, प्रत्येक भाषा बाजएबला, प्रत्येक देशपर राज करबाक अधिकार रहथि। 8पृथ्वीपर रहनिहारसब केओ एहि पशुके पूजा करत। जे लोक एहि पशुके पूजा करत ओकरेसबके नाम जीवनके पुस्तकमे नहि लिखल अछि। ई ओ पुस्तक अछि जे संसारके रचनास' पहिने लिखल गेल छल, आ ई ओहि बलि-भेंड़ासंग सम्बन्धित अछि जिनका मारि देल गेल रहैक।9जे बुझए चाहैत अछि से एहि सन्देशके ध्यानस सुनबाक चाही।10यदि परमेश्वर निर्णय कएने छथि जे किछु लोकसब बंदी बनालेल जाइक त, ओसब ओहि शत्रुद्वारा बंदी बनालेल जाएत। यदि परमेश्वर निर्णय लेने छथि जे किछु धर्मी लोकसब युद्धमे मारल जाइक त' ओसब युद्धमे मरत। एहिलेल परमेश्वरके लोकसबके दुख सहबाक चाही आ हुनका प्रति विश्वासयोग्य रहबाक चाही। 11फेरु हम देखलहुं जे एकटा जानबर आओर पृथ्वीस' बहराति छल। ओकरा माथपर भेंड़ाके सींग सन दूटा छोट सींग छल। ओहो अजगर जकां क्रूरतास' बजैत छल।12ओ पृथ्वीपर अपन पुरे अधिकारस' शासन करैत छल आ लोकसबके विवश करैत छल जे पहिनुका जानबरके पूजा करए, अर्थात् ओहि जानबरके जे लगभग मरिए गेल छल, मुदा ओकर घाव ठीक भ' गेल छल।13दोसरो पशु आश्चर्यजनक चमत्कारसब कएने छल, एतधरि जे लोकसबके आंखिके सामने पृथ्वीपर आकाशस' आगि वर्षा दैत छल। 14दोसर पशु ओ ई चमत्कार पहिनुका जानबर दिसस' कएने छल। एना क' क', ओ पृथ्वीके लोकसबके धोखा देलक, जं ओसब सोंचए जे ओकरासबके पहिनुका जानबरके पूजा करबाक चाही। मुदा ई मात्र एहिलेल भेल जे परमेश्वर एना होबएलेल अनुमति देने रहथि। दोसर जानबर पृथ्वीपर रहनिहारसबके कहलकनि जे ओ पहिनुका जानबरके मूर्ति बनाउ जेकरा तरुआरिस' मारि देल गेल छल मुदा आब जीवित अछि।15परमेश्वर दोसर जानबरके ओहि पहिनुका जानबरके मूर्तिमे जीवनके सांस फुकएके अनुमति देलथिन जे ओ मूर्ति बाजि सकैक। आ ओ जानबर आज्ञा देलक जे जे केओ ओहि मूर्तिके पूजा नहि करए तेकरा मारि देल जाइक। 16दोसर जानबर इहो चाहैत छल जे लोकसबके पहिनुका पशुके चेन्ह अपन अपन दहिना हाथ वा माथपर लिखाएब आवश्यक अछि, चाहे ओ महत्वपूर्ण व्यक्ति होइक वा महत्वहीन व्यक्ति, धनीक होइक आ गरीब, स्वतन्त्र चाहे दास होइक।17दोसर जानबर इहो चाहैत छल जे जेकरा हाथ वा माथपर ओहि पहिनुका जानबरके नामके चेन्ह अर्थात् ओकर नाम वा ओकरा नामके संख्या नहि अछि, ओहन आदमी किछु किन वा बेच नहि क' सकैक।18अहाँसबके विवेकी बनिक' एहि चेन्हक अर्थ बुझए पड़त। केओ व्यक्ति जे बुद्धिमान जकां सोंचैत अछि, त' ओ जानबरके संख्या गनि लैक किएकत' ओ संख्या मनुष्यक नामके संकेत अछि। ई 666 अछि।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67