Revelation15

1एहिसबके बादमे, आकाशमे एकटा आओर बड्ड अद्भुत चेन्ह देखाइ देलक। हम सातटा स्वर्गदूतसबके देखलहुं, जेकर ई काज रहैक जे विद्रोही लोकसबके सात प्रकारके दण्ड देथि। परमेश्वर एहि तरहें लोकसबके दण्डित करतथि, किएकत' एहिस' हुनक क्रोधके अन्तिम प्रचुरता प्रगट होएत।
2जे हम देखलहुं से एकटा महासागर सन देखाइत छल, जेना ओ आगिमे मिलाक' सीसास' बनाएल गेल होइक। हम ओहि लोकसबके सेहो देखलहुं जे जानबर आ ओकर मूर्तिके पूजा नहि क' क' ओकरापर विजयी भेल छल आ जेसब ओकरा दासके अपना उपर ओहि मूर्तिके संख्या लिखएलेल नहि देने छलथि। ओ ओहि महासागरके कातमे ठाढ़ भेल रहैक जे सीसासन साफ छल। हुनकासबके हाथमे वीणा रहैक, जे परमेश्वर हुनकासबके देने रहथि।3ओसब एकटा गीत गाबि रहल छलथि जेना परमेश्वरके दास मूसा बहुत दिन पहिने गएने रहथि। ओसब बलि-भेंड़ाके स्तुति करबाक लेल एना गएलनि:“प्रभु परमेश्वर, जे सब केओ पर शासन करैत छथि,जे किछु अहाँ करैत छी से शक्तिशाली आ अद्भुत अछि!अहाँके मार्ग धर्मी आ सत्य अछि, युग-युगके राजा।अपनेसब जातिसबपर सदाके लेल राजा छिऐ! 4हे प्रभु, सब लोकसब अपनेके भय मानैक आ अपनेके आदर करए, किएकत' अहीं मात्र पवित्र परमेश्वर छी।सबलोक आओत आ अपनहिके आगु झुकिक दण्डवत करत,किएकत' अपने देखओने जे अहाँसबके उचित न्याय कएने छिऐ।” 
5एकरबाद हम देखलहुं जे स्वर्गमे सभाघर खुजल छल, जत गवाहीके पवित्र तम्बू छल।6सातटा स्वर्गदूत जिनकर ई काज रहैक जे विद्रोही लोकसबके सात अलग-अलग दण्ड दिए ओसब परम पवित्र स्थानस' बाहर अएलनि। स्वर्गदूत साफ, चमकएबला मलमलके वस्त्र पहिरने रहैक; ओसब अपन छातीपर सोनाके डरकस बन्हने रहनि।7चारु प्राणीसबमे एकगोटे सात स्वर्गदूतमेस' प्रत्येकके दाखरसस' भरल सोनाके कटोरा देलकनि। दाखरस एहि बातके संकेत अछि जे परमेश्वर जे सदाके लेल जीवित छथि, ओकरासबपर बड्ड क्रोधित छथि जेसब विद्रोह कएने छल आ एनाक ओकरासबके दण्ड देबएबला छलथि। 8सभाघर ओहि धुआंस' भरि गेल जे महिमा आ सामर्थ्य आ सर्वशक्तिमान परमेश्वरके उपस्थितिके प्रतीक छल। जाधरि सातो स्वर्गदूतसब पृथ्वीके लोकसब सात प्रकारके दण्ड नहि देलनि, ताधरि केओ ओहि सभाघरमे प्रवेश करए नहि पौलक। 

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67