Numbers22

1इजराएली लोकसब यरीहो शहरके लगमे मोआबके तराईमे, जे नगरस यरदन नदीके ओहिपार डेरा ने गिराब धरि यात्रा करैत कएलक।2सिप्पोरके बेटा बालाक नामके मोआबी राजा ओ सबकिछु देखलक जे इजराएलीसब एमोरीसबके कएने रहैक।3मोआब एहि लोकसबस बेसी भयभीत भ' गेल रहैक किएक त ईसब संख्यामे बहुते रहए, आ मोआब इजराएली लोकसबके कारण आतंक मे रहए।
4मोआबके राजा मिद्यानी बूढ़ प्रतिष्ठित लोकसबके कहलक, “ई भीड़ त अपनासबके चारुदिस भेल सब किछु खहा जएतैक जेना कोनो बरद खेतके घास जाइत अछि।” आब ओहि समयमे सिप्पोरके बेटा बालाक मोआबके राजा रहैक।5ओ युफ्रेटीस नदी काते-काते, पतोर मे रहनिहार, बोरके बेटा बिलामके ओकरे देश आ अपने लोकमे दूत पठाक' सन्देश पठएलक। ओ ओकरा बजाक आ कहलक, “देखू, एकटा जाति मिस्रस एत आबि गेल अछि। ओसब पृथ्वीके झंपिते एत ठीक हमरा बगलमे आबि गेल छै।6तें कृपया आब आउ आ एहि जातिके हमरालेल सराप दिऔ, किएक त ओसब हमरालेल बेसी बौकार छै। शायद तब हम ओकरा हराब लेल आक्रमण क' सकी आ ओकरासबके अपन देशस भगा सकी। हम जनैत छी जे जेकरा अहाँ आशीष दैत छी से आशीषित होइत अछि, आ जेकरा अहाँ सराप देबै ओ सरापित भ' जाएत।”7तें मोआब आ मिद्यानीके बूढ़ लोकसब ओकर भविष्य कहबाकलेल दक्षिणा ल क ओतएस' चलि देलक। ओसब बिलाम लग पहुंचल आ ओकरासंगे बालाकके सन्देश कहि देलक। 8बिलाम ओकरासबके कहलक, “आइ राति एतहि ठहरु। यहोवा हमरा की कहैत छथि से अहाँसबके कहब।” तें मोआबके हाकिमसब ओहि राति बलामे घरे रहि गेल।9यहोवा ओहि राति बिलाम लग आबि कहलखिन, “ई लोकसबके अछि जे अहाँ लग रह' लेल आएल छै?”10बिलाम यहोवाके उत्तर देलक, “सिप्पोरके बेटा, बालाक, मोआबके राजा एकरासबके हमरालग पठौने छथि। ओ कहलक,11‘देखू, जे लोकसब मिस्रस' एत हमरा देशमे आएल अछि। तें आबिक ओकरासबके हमरालेल सराप दिऔ। शायद हम ओकरासबस युद्धके क भगा सकी।’”12यहोवा बिलामके उत्तर देलथिन, “तोरा बालाकके सन्देश बाहकसब संगे जाएके कोनो आवश्यकता नहि छौ। तोरा ओहि इजराएलके लोकसबके सराप देबएके नहि छौ किएक त ओसब आशीष पएने लोकसब अछि।”13बिलाम भोरे उठि गेल आ बालाकके कर्मचारीसबके कहलक, “अहाँसब अपन देश जाउ किएक त यहोवा हमरा अहाँसबसंगे जाएस मनाहि क' देने छथि।”14तें मोआबके हाकिमसब घुरिक' बालाक लग चलि गेल। ओसब कहलक, “बिलाम हमरासबसंगे आबए अस्वीकारक' देलक।”15बालाक आओर उच्च अधिकारीसबके पठौलक जे पहिनुका दल स बेसी आदरके रहैक।16ओसब बिलाम लग आएल आ ओकरा कहलक, “सिप्पोरके पुत्र बालाक एना कहैत अछि, ‘कृपया हमरालग आबएस अहाँके किछु नहि रोकए,17किएक त हम अहाँके निमने अच्छा बेसी दक्षिणा देब आ अहाँके बड़ इज्जत देब, आ अहाँ जे जे कहब से हम अहाँके लेल करब। तें कृपया आबिक आ ई लोकसबके हमरालेल सराप दिऔ।’”18बिलाम जबाब द क' बालाकके आदमीसबके कहलक, “अहाँ बालाक हमरा सोना आ चानीस भरल अपन महलो देत तइयो, हम यहोवा, हमर यहोवाके, वचनके विरुद्ध नहि जा सकैत छी आ चाहे ओ जेकर कहैत छथि ओहिस बेसी वा कम क' सकी।19आब, आइ राति अहाँसब एहि ठाम गुजारु, जाहिस जे यहोवा हमरा किछु आगु कहैत छथि से हम किछु आओर जानि सकी।”20यहोवा बिलाम लग रातिमे प्रगट भेलखिन आ ओकरा कहलखिन, “किएक त ई लोकसब तोरा बजबए लेल आएल छौ, उठिक आ ओकरासबके संगे जो। मुदा हम जे करए कहबौ से मात्रे करिह।”21बिलाम दोसर दिन भोरे उठल, अपन गदहापर काठी कसिक, आ मोआबके हाकिमसब संगे चलि गेल।22बलाम चलि गेल मुदा यहोवाके क्रोध भड़ैक गेलैक। बिलामके विरुद्धमे यहोवाके दूत अपने-आपके ओहि रास्तापर ठाढ़ भ गेलनि, जे गदहापर सबार भक जाइत रहैक। बिलामके दूटा सेवक सेहो संगे रहैक।23गदहा ओहि यहोवाके दूत के अपन हाथमे तरुआरि लेने रास्तापर ठाढ़ भेल देख लेलक। ओ गदहा सड़कस खहरि क खेतमे चलि गेल। बिलाम अपन गदहाके सड़कपर आबएलेल ओकरा मारलक।24तखन यहोवाके दूत सड़क आ अंगूर बगानके दहिना बामा कात रहल देवाल के बीच सकेत रस्ता बना देलक।25ओ गदहा यहोवाके दूत के फेरु देखलक। ओ देवाल दिस चलि गेल आ बिलामके गोर ओहिमे रगड़ा गेल। बिलाम ओकरा फेरु मारलक।26यहोवाके दूत आओर आगु जा क आ दोसर सकेत रास्तामे ठाढ़ भ' गेल जत ओहि गदहाके मुड़लेल कोनो दिस जगह नहि रहि गेल।27ओ गदहा ओहि यहोवाके दूत के देखलक, आ ओ बिलामके लेलनि बैसि गेल। बिलामके क्रोधित भ गेल आ ओ अपन गदहाके अपन लाठी ल क मारलक।28तखन यहोवा ओहि गदहाके बाजएके लेल सामर्थ्य देलथिन जे ओ बाजि सकैक। ओ बिलामके पुछलक, “हम अहाँके की कएने छी जे हमरा अहाँ तीन मरलहुं?” 29बिलाम ओहि गदहाके जबाब देलक, “ई एहिलेल जे तों हमरासंगे बेबकूफी बाला व्यवहार कएले। हमरा हाथमे तरुआरि रहितौ त हम तोरा मारि दितियौ।”30ओ गदहा बिलामके उत्तर देलक, “की हम ओहे गदहा नहि छी जेअक्र पर अहाँ जीवनभरि स एखनोधरि चढ़ैत छी? हम एहन व्यवहार अहाँसंगे कहियो कएने छी?” बिलाम कहलक, “नहि।”31तखन यहोवा बिलामके आंखि खोलि देलथिन, आ ओ यहोवाके दूत के रास्तापर हाथमे तरुआरि लेने देखलक। बिलाम अपन सर झुकएलक आ मुंहे भरे पड़ि गेल।32यहोवाके दूत ओकरा कहलनि, “किएक अपन गदहाके तीनबेर मारलियऐक? देखू, हम अहाँके विरुद्धमे केओ आएल जकां आएल छी किएक त हमरा आगु अहाँक काजसब दुष्टे अछि।33ओ गदहा हमरा देख लेलक आ हमरास तीनबेर अपन रस्ता बदलि लेलक। यदि ओ हमरास अपन रस्ता नहि बदलने रहितैक, हम अहाँक अवश्य मारि दिती आ गदहाके जीविते रहए दितिऐक।”34बिलाम यहोवाके दूत के कहलक, “हम पाप कएली। हम नहि जनैत छली जे हमर रास्तापर अहाँ ठाढ़ भेल छी। त आब, यदि ई अहाँके पसीन नहि अछि, हम घुरिक चलि जाएब।”35मुदा यहोवाके दूत बिलामके कहलक, “एहि लोकसबके संगे आगु जाउ। मुदा अहाँ ओहे वचन बाजब जे हम अहाँके कहब।” एहिलेल बिलाम ओहि लोकसबसंगे चलि गेल जे बालाकके हाकिमसब छल।36जखन बालाक सुनलक जे बिलाम आबि गेल छथि, ओ मोआबके शहरमे अर्नोन नदी किनहेरिमे अछि ओत' भेंटघाट करबाक लेल गेल।37बालाक बिलामके कहलक, “हम अहाँके बजाबलेल अपन लोक पठौने नहि रही? अहाँ किएक नहि अएलहुं? की हम अहाँके आदर करबाक योग्य नहि छी की?”38तेकरबाद बिलाम बालाकके कहलक, “देखू, हम अहाँ लग आएल छी। की हमरालग बजबाक लेल कोनो सामर्थ्य अछि? हम ओहे वचन बाजि सकैत छी जे यहोवा हमरा मुंहमे देथिन।”39बिलाम बालाक संगे चलि गेल, आ ओसब किर्यथूसोत नगरमे पहुंचल।40तब बालाक किछु बच्छा आ हेंड़के भेंड़के बलिदान कएलनि आ किछु माउस बिलाम आ ओकरासंगे रहल हाकिमसबके देलक।41भोरहरियामे, बालाक बिलामके ल' क' बमोत बाल नगरके उंचगर स्थानमे गेल। ओतएस' निच्चा घाटीमे बिलाम इजराएलीसबके किछु अंश मात्र देख सकैत छल।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67