Numbers21

1तखन अराद शहरके कनानी राजा, जे कनानके दक्षिणी मरुभूमिमे रहैत छल, से इजराएल अतारीम गाम दिसके बाटपर यात्रा करैत अछि से सुनलक, ओ इजराएलस लड़ल आ किछु लोकके बंदी सेहो बना लेलक।2इजराएल यहोवास' सपथ खा क' कहलक, “यदि अहाँ हमरासबके एहि कनानी लोकसबके उपर जीत देब, त हमसब ओकरासबके नगरसबके पूर्णरुपस नाश क' देबै।”3यहोवा इजराएलीसबके पुकार सुनलखिन आ ओकरासबके ओहि कनानीसबके उपर जीत देलथिन। ओसब ओकरा आ ओकरा नगरसबके पूर्णरुपस नाश क' देलक। ओहि स्थानके नाम होर्मा राखल गेल।4इजराएलीसब होर पर्वत स लाल समुद्र दिसके रास्तापर लम्बा यात्रा कएलक जे एदोम देशके चारुदिसि जाइत अछि। लम्बा यात्राके कारण इजराएली लोकसब बेसी अगुता गेलै।5लोकसब यहोवा आ मूसाके विरुद्ध बात करए लागल: “हमरासबके मरुभूमिमे मरबाक लेल मिस्रस' किएक निकालि लएलहुं? एतने रोटी अछि ने पानि, आ हमसब ई अधलाह भोजनके घृणा करैत छी।”6तेकरबाद यहोवा लोकसबके बीचमे बिषालु सांपसबके पठा देलथिन। ओ सांपसब लोकसबके डंस' लागल; बहुत इजराएलीसब मरि गेल।7लोकसब मूसालग आबिक' कहलक, “हमसब पाप कएने छी किएक त' हमसब यहोवा आ अहाँके विरुद्ध बात कएलहुं। सांपसबके हटा लेबएलेल यहोवासंग प्रार्थना करियौन।” तें मूसा लोकसबके लेल प्रार्थना कएलक।8यहोवा मूसाके कहलखिन, “पीतरिके एकटा सांप बनाक आ ओकरा एकटा खम्हामे टांगि दिऔ। जेकरा सांप डंसने अछि, यदि ओसब ओहिके देखत, त ओसब बांचि जाएत।”9तें मूसा एकटा पीतरिके सांप बनाक एकटा खम्हामे टांगि देलक। जं जेकरा सांप कटने छल से ओहि पितरिया सांपके देखलक, ओ बांचि गेल।10तेकरबाद इजराएली लोकसब यात्रा करैत गेल आ ओबोत नामके स्थानमे डेरा गिरौलक।11ओसब ओबोत स यात्रा कएलक आइए अबारीमके मरुभूमिमे डेरा गिरौलक जे पूर्व दिस मोआबके सामने रहए।12ओतएस ओसब यात्रा करैत आ जेरेद के उपत्यकामे डेरा गिरौलक।13ओतएस ओसब यात्रा कएलक आ अर्नोन नदीके ओहिपार डेरा गिरौलक, जे ओहि मरुभूमिमे अछि जे एमोरीसबके सीमास शुरु होइत अछि। अर्नोन नदी मोआबस' सटल अछि, मोआब आ एमोरीके बीचमे सीमा अछि।14एहिलेल यहोवाके युद्धके पोथीमे ई कहल जाइत अछि, “सूपामे वाहेब, आ अर्नोनके उपत्यका,15ओहि उपत्यकाके ढलान जे आर नामके नगर दिस जाइत अछि आ जे मोआबके सीमा धरि गेल अछि।”
16ओतएस ओसब बैर धरि गेल, ओहि कुआँ जत यहोवा मूसाके कहलखिन, “लोकसबके हमरालग एकट्ठा करु जे हम ओकरासबके पानि देब सकी।” 17तखन इजराएल ई भजन गएलक: “ए कुआँ भभरी फुटिक आ! एहिके विषयमे गीत गो,18हमरसबके अगुवासब खनने कुआँ विषयमे, जाहि कुआँ के राजकुमार लोकसब खनने रहैक, अपन राजदण्ड आ लाठीसब ल क।”
तखन ओसब मरुभूमि स मत्ताना दिस यात्रा कएलक।
19मत्ताना स नहलीएल, आ नहलीएल स बामोत धरि यात्रा कएलक,20आ बामोतस' मोआब देशके तराईमे। एहि ठाम पिसगा पर्वतके चोटी मरुभूमि दिस झुकल अछि।21तखन इजराएल एमोरीसबके राजा सीहोनके ई कहिक' सन्देश पठौलक,22“हमरासबके अहाँक देश द' क' जाए दिअ। हमसब कोनो खेत वा अंगूर बगान दने नहि मुड़ब। हमसब अहाँके कुंवासबस' पानिओ नहि पिअब। हमसब राजे मार्ग दने यात्रा करब जाधरि हमसब अहाँक देशके सीमा पार नहि करब।”23मुदा राजा सीहोन इजराएलके अपन सीमा दने नहि जाए देलक। बल्कि सीहोन अपन सेना ल क मरुभूमिमे आक्रमण कएलक। ओ यहसके नगरमे आएल जत ओ इजराएलके विरुद्ध युद्ध कएलक।24इजराएल सीहोनके सेना तरुआरिके धारस' मारलक आ ओकर देश अर्नोन नदीस' यब्बोक नदीधरि, जत धरि अम्मोनी लोकसबके सीमा छल से कब्जा क' लेलक। आब अम्मोनीके सीमाके लोकसब भयभीत भ' गेल।25इजराएल एमोरीसबके नगरसब, हेशबोन शहर राजधानी आ ओकर गामसब समेत के कब्जा क' लेलक आ ओहिमे रह लागल।26हेशबोन एमोरी सबहक राजा सीहोनके नगर रहैक, जे मोआबके पहिनुका राजा संगे युद्ध कएने रहैक। सीहोन ओकरास अर्नोन नदी धरिके सारा भूमि ल' लेने रहैक।27एहिलेल जे कहावत मे एना कहैत अछि, “हेशबोनमे आउ। सीहोनके नगर पुनःनिर्माण होइक आ फेरुस स्थापित होइक28हेशबोनस' एकटा आगि उठलैक, सीहोनके नगरस एकटा आगिक धधरा जे मोआबके आरके भस्म क देलक, अर्नोन नदीके कातमे पहाड़सबके मालिकसबके नाश क' देलक। 29मोआब, तोरा धिक्कार छौ! कमोशके मूर्तिपूजा करएबलासब, तोंसब नाश भ' गेले। ओ ओकर बेटासबके भगौड़ा बना देलक आ ओकर बेटीसबके युद्ध बंदी एमोरी सबहक राजा सीहोनके।30मुदा हमसब सीहोन आ आमोरके सन्तानसबके जीत लेने छी। हेशबोन सहरके राजधानी त' दीबोन नामके मोआबी सहर धरि नाश भ' गेल अछि। हमसब ओकरा नोपह नगर धरि हरौने छी, जे मेदबा नगर धरि जाइत अछि।”31एहिनाक इजराएल सब एमोरी सबहक नगरमे रह' लागल।32तेकरबाद मूसा किछु लोकके याजेर शहरके आक्रमण करएके नीक तरीका जासूसी करबाक लेल पठौलक। ओसब ओकर गामसबके कब्जा लेलक आ ओत रहल एमोरीसबके भगा देलक।33तेकरबाद ओसब बशानके इलाका दिस घुड़ि गेल। बाशानके राजा ओग ओकरासबके विरुद्ध निकलि आएल, ओ आ ओकरा सारा सेना, एद्रेई नगरमे युद्ध कएलक।34तखन यहोवा मूसाके कहलखिन, “ओकरास भयभीत नहि होउ, किएक त ओकरापर, ओकर सारा सेना पर, आ ओकर देशपर हम अहाँके विजय द' देने छी। ओकर हालत ओहिना करु जेना एमोरी सबहक राजा सीहोनके कएने रहिऐक, जे हेशबोनमे रहैत छल।”35एहिलेल इजराएलीसब राजा ओगके, ओकर बेटासबके, आ ओकर सारा सेनासबके मारलक जाधरि कोनो व्यक्ति जीवित बांकी रहल। तब ओसब बाशान देशपर कब्जा क' लेलक।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67