Numbers23

1बिलाम बालाकके बलिदानक लेल कहलक, “हमरालेल सातगो वेदी बनाउ आ सातटा बच्छा आ भेंड़ तैयार करु।”2एहिलेल बालाक ओहिना कएलक जेना बिलाम अनुरोध कएने रहैक। तब बालाक आ बिलाम प्रत्येक वेदीपर एक-एकटा बच्छा आ भेंड़ बलिदान कएलक।3तब बिलाम बालाकके कहलक, “अहाँ अपन बलिदान लग ठाढ़ रहू आ हम जाइछी। मने यहोवा हमरा भेट करबाक लेल अओथिन। ओ जे हमरा देखौथिन से अहाँके हम कहब।” तें ओ गाछवृक्ष रहित पहाड़के उपर चलि गेल।4जखन ओ पहाड़के उपरे रहैक, यहोवा ओकरासंगे भेट कएलखिन, आ बिलाम यहोवाके कहलकनि, “हम सातटा वेदीसब, आ प्रत्येक वेदीपर एकएकटा बच्छा आ भेंड़ बलिदान कएने छी।”5यहोवा बिलामके मुंहमे एकटा सन्देश ध' देलथिन आ कहलखिन, “बालाक लग घुरिक जाउ आ ओकरासंगे बात करु।”6तें बिलाम बालाक लग घुरिक आएल, जे बलिसब लग ठाढ़ भेल छल, आ मोआबके सब हाकिमसब सेहो ओकरासंगे रहैक।7तखन बिलाम अपन भविष्यवाणी बाजए लागल आ कहलक, “बालाक हमरा अरामस' ल' क' आएल, पूर्वी पहाड़ीसबस' मोआबके राजा।‘आउ, याकूबके हमरालेल सराप दिऔ’, ओ कहलक।‘आउ, इजराएलके संहारि दिऔ।’8जेकरा यहोवा सराप नहि देने छथि तेकरा हम कोना सराप दैक?जेकरा यहोवा नहि विरोध करैत अछि तेकरा  हम कोना विरोध करियौ?9किएक त हम ओकरा चट्टानके चोटीपर स देखैत छी;हम पहाड़स ओकरा देखैत छी।देखू, ओ एहन जाति अछि जे एसगरे रहैत अछि आ ओसब अपने-आपके साधारण जाति मात्र नहि बुझति अछि।10याकूबके गरदाके के गनि सकैत अछिवा इजराएलके एक-चौथाइ संख्या के सेहो?हमरा धर्मी के मृत्यु मरए दिअ,आ हमर जीवन हुनके जेहन अन्त होइक!”11बालाक बिलामके कहलक, “अहाँ हमरा की कएलहुं? हम अहाँके हमर दुश्मनके सराप देबएलेल बजाक' लएलहुं, मुदा देखियौ, अहाँ ओकरासबके आशीर्वाद द' देलिऐ।”12बिलाम उत्तर द क' कहलक, “हमरा मुंहमे यहोवा जे ध देने छथि से बजबाक विषयमे हमरा होसियार रहबाक नहि अछि?”13तें बालाक बिलामके कहलक, “कृपया हमरासंगे दोसर स्थानमे आउ जत स अहाँ ओकरासबके देख सकैत छी। अहाँ ओकरा किछु मात्र देख सकैत छी सबगोटेके नहि। ओत अहाँ ओकरासबके हमरालेल सराप देबै।”14तें ओ बिलामके सोपीमके मैदानमे पिसगा पहाड़पर ल गेल, आ सातटा आओर वेदी बनौलक। ओ प्रत्येक वेदीपर बच्छा आ भेंड़के बलिदान कएलक।15तब बिलाम बालाकके कहलक, “अहाँ एत अपन बलि लग ठाढ़ रहू, हम ओत यहोवा संगे भेट करबाक लेल जाइतछी।”16तें यहोवा बिलाम संगे भेटलथि आ एकटा सन्देश ओकरा मुंहमे ध' देलथिन। ओ कहलखिन, “अहाँ बालाक लग घुरिक चलि जाउ आ ओकरा ई सन्देश देबै।”17बिलाम घुरिक ओत गेल, आ देखलक जे ओ बलिदानक के कातमे ठाढ़ भेल छल, आ मोआबी हाकिमसब संगे छल। तब बालाक ओकरा कहलक, “यहोवा की कहलखिन?”18बिलाम अपन भविष्यवाणी शुरु कएलक। ओ कहलक,“उठू, बालाक, आ सुनू।सिप्पोरक पुत्र, हमर बात सुनू।19यहोवा कोनो मनुष्य नहि छथि, जे ओ झूठ बजैथ,चाहे ओ कोनो आदमी नहि छथि जे ओ अपन मन बदलि लेथि।की ओ कोनो प्रतिज्ञा कएने छथि जे ओ नहि करथि?की ओ किछु करब से कहने छथि जे ओ कएने बिना रहि गेल छथि? 20देखू, हमरा आशीष देबएके आदेश भेटल अछि।यहोवा आशीष देने छथि, आ एहिके ओ उनटि नहि सकैत छथि।21ओ याकूबमे कोनो कठिनाइ नहि देखने छथिचाहे इजराएलमे कोनो समस्या।यहोवा ओकरा यहोवा ओकरासबके संगे मे छथि,आ अपन राजाके लेल ललकार ओकरा मध्यमे अछि।22यहोवा ओकरासबके मिश्र स बहार निकालिक लएलखिनजंगली सांढ़के सामर्थ्य जकां।23ओ कोनो जादू नहि छै जे याकूबके विरुद्धमे काज करए,आ कोनो भविष्यवाणी इजराएलके हानि क' सकैक।बल्कि, इजराएल आ याकूबके विषयमे ई कहल जा सकए,‘देखू यहोवा इजराएलके लेल केहन अद्भुत काज कएने छथि!’24देखू, ओ इजराएलीसब शेरनी जकां उठैत अछि,शेर जकां ठाढ़ भक' आक्रमण करैत अछि।ओ अपन अहरा खा नहि लैत अछि ताधरि विश्राम नहि करैत अछिओ जे मारने अछि तेकर लेहू पीबि नहि लैत अछि।”
25तब बालाक बिलामके कहलकनि, “ओकरासबके ने आशीष दिऔ, ने सराप।”26मुदा बिलाम बालाकके उत्तर देलथिन, “की हम अहाँके नहि कहने रही जे हम ओहे कहब जे यहोवा हमरा कहए' लेल कहलथि?”27तें बालाक बिलामके जबाब देलक, “आब आउ, हम अहाँके आने ठाममे ल' जाइत छी। मने ई यहोवाके खुशी होतैक जे हमरालेल अहाँद्वारा ओकरासबके सराप देथिन।”28एहिलेल बालाक बिलामके पोरके पहाड़के उपर ल गेल, जत स मरुभूमि देखाइ दैत छल। 29बिलाम बालाकके बलिदानक लेल फेरु कहलकनि, “हमरा सातटा वेदी बनाक आ सातटा बच्छा आ भेंड़ तैयार करु।”30तें बालाक ओहिना कएलक जेना बिलाम कहने रहैक; ओ प्रत्येक वेदीपर एक-एकटा बच्छा आ भेंड़ बलि कएलक।

Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.

https://app.library.bible/content/2acb82c33dca4c67