Leviticus5
1जं केओ गवाह बनि एहन पाप क' लेत जे शपथ खिआ क' पुछल गेलाक बादो सुनल वा बुझल बात नहि कहत, तखन ओकरा अपन अधर्मके बोझ उठाबए पड़तैक।2यदि अहाँ गलतीस' कोनो एहन चीजके छुबि लैत छी जाहिके यहोवा अशुद्ध ठहरौने छथि जेना कोनो जंगली जानबरक शव आ अहाँके मरि गेल जानबरक शव आ जमीनपर घिसिया चलबला जानबरक शव, त' अहाँ दोषी भ' जाएब।3यदि अहाँ कोनो लोक कोनो एहन चीजके छुबि रहल छी जे यहोवाके नजरिमे अशुद्ध भ' क' दोषी भ' गेल होअए, भलेहि अहाँ ओकरा छुबएके मनसाय नहि बनौने होअए, जखन अहाँके बुझा जाए जे अहाँ की कएलहुं, तखन अहाँ दण्डक भागी होएब। 4यदि अहाँ लापरवाहीस' कोनो एहन काज करबाक प्रतिज्ञा करैत छी जे नीक आ अधलाह अछि, जखन अहाँके बुझाति अछि जे लोक ई काज नहि क' सकैत छी तखन अहाँ दोषी मानल जाएब।5यदि अहाँसब ओहिमेस' कोनो पाप करबाक दोषी छी त' अहाँसब जे कएलहुं से स्वीकार करु।6ओहि काजक दण्डक रुप अहाँसब यहोवा समक्ष हेंड़मेस' एकटा मौगयानी भेंड़के बच्चा आ पाठीमेस' एकटाके बलिदानक रुपमे आनब जे अहाँद्वारा कएल गेल पापक बलिदानक रुपमे पुजारी प्रायश्चितके लेल बलिदान देथिन, तखन अहाँ अपन पापक लेल आबि दोषी नहि रहब।7यदि अहाँसब गरीब छी आ एकटा भेंड़के बच्चा अनबाक सामर्थ्य नहि अछि त' दूटा पड़वा वा दूटा पेउरकी यहोवा लग अनबाक चाही। एकटा अहाँके पापक बलिदान होअए त, आ दोसर बलिदान जे वेदीपर पूरा तरहे जराओल जाएत।8अहाँ ओहिसबके पुजारीलग आनब। पहिने ओ ओहिमेस' एकटाके अहाँके पापक बलि चढ़ाओत। ओकरा मारबाक लेल ओकर गरदनि मरोड़त, मुदा ओकर माथ पूरा तरहे नहि धरस' अलग करताह।9तखन ओकरा किछु लेहू वेदीके कातमे छिड़का देथि। शेष लेहू वेदीके आधार पर बाहर निकालब जरुरी छै। जे अहाँके पापक बलिदान होअए त।10तब पुजारी हमर द्वारा देल गेल आज्ञाक' पूरा करत आ दोसर चिड़ैके वेदीपर पूर्णरुपस' जराबलेल चढ़ाओत। आबि अहाँ जे पाप कएलहुं ताहिके लेल दोषी नहि रहब आ यहोवा अहाँके क्षमाक' देताह।11मुदा यदि अहाँसब बहुत गरीब छी आ दूटा पड़वा वा दूटा पेउरकी ओ नहि लाबि सकैत छी त' अहाँसब अपन पापबलिक' लेल दू' सेर मेही आंटा आनि दिऔ। अहाँसब ओहिपर जैतूनक तेल आ धूप-दीप नहि राखू, किएक त' ई पापबलि अछि। 12अहाँ ओ आंटाके पुजारीलग ल' जाउ। ओ मुट्ठी भरि ल' क' ई प्रतिनिधित्व करत जे पूरा बलिदान सहीमे यहोवाके अछि, आ ओकरा वेदीपर, आन बलिदानक उपर जरा देत, ओ पापबलि ठहरत।13जखन ओ प्रायश्चितके विधि करत, तखन पुजारी अहाँके आबि कोनो पापमे दोषी नहि बनएमे सक्षम बना देताह आ यहोवा अहाँके क्षमा करताह। बलिदानक जे भाग नहि जराओल जाएत से पुजारीक होअए त, जेना आंटास' बनल बलिदानक मामिलामे होइत छै।14यहोवा मूसाके आगु कहलनि जे ओ लोकसबके कहथिन,15“जखन अहाँसब पाप करैत छी, तखन अहाँसब हमरा, यहोवाके ओ चीजसब नहि देब, जे अहाँसबके हुनका देब पड़त हमरालग हेंड़मेस' एकटा एहन भेंड़ आनिक' दोषबली स्वरुप देब' जाहिमे कोनो दोष नहि होअए। अहाँके ई तय करए पड़त जे एकर कीमत कतेक चानी अछि, पवित्र तम्बूमे अधिकारीक मानकके उपयोगक' ई एकटा एहन बलिदान होअए त जाहिस' अहाँ आबि दोषी नहि रहब। 16मुदा अहाँसबके ओहि बातक क्षतिपूर्ति सेहो करबाक चाही जे अहाँसब ओकरालेल किछु अलग कएने छी से नहि देलहुं। स' संगहि, एकर मूल्यक पांचम हिस्सा सेहो अवश्य जोड़ब। से अहाँ पुजारीके अवश्य दिऔ। ओ अहाँद्वारा कएल गेल पापक लेल भेंड़के दोषबली चढ़ा देत आ अहाँ आब दोषी नहि रहब आ हम अहाँके क्षमाक' देब।17यदि अहाँसब हमर कोनो आज्ञामे निषिद्ध काज क' क' पाप करैत छी आ भलेहि अहाँसब ई नहि जनैत छी जे अहाँ हमर कोनो आज्ञाक आज्ञा नहि मानलहुं त' अहाँ एखनो दोषी छी। हमरा जरिवाना अवश्य देब पड़त।18जखन अहाँसबके ई बुझएमे आबि जाएत जे अहाँसब की कएलहुं तखन अहाँसब एकटा भेंड़के दोषबलीके रुपमे पुजारीलग ल' जाउ जाहिस' अहाँसब दोषी नहि होएब। अहाँ हुंजमेस' एहन अवश्य ल' क' जाएब जाहिमे कोनो दोष नहि होअए। पुजारी हमरालेल भेंड़के बलि देबएलेल चढ़ौताह, आ परिणाम स्वरुप अहाँ जे पाप कएलहुं ताहिके लेल दोषी नहि ठहरओल जाएब आ हम अहाँके क्षमाक' देब।19ई दोषबलीके कारणे अहाँसब हमरा विरुद्ध पाप दोषी नहि होएब।”
Bridge Connectivity Solutions Pvt. Ltd.